Atos 15

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 तखन किछु लोक यहूदिया प्रदेश सँ अन्‍ताकिया मे आबि कऽ विश्‍वासी भाय सभ केँ एहि तरहेँ सिखाबऽ लागल जे, “जाबत धरि अहाँ सभ मूसाक प्रथाक अनुसार अपना शरीर मे खतनाक चेन्‍ह नहि कऽ लेब, ताबत धरि अहाँ सभक उद्धार नहि भऽ सकत।”
1 Então alguns que tinham descido da Judéia ensinavam aos irmãos: Se não vos circuncidardes, segundo o rito de Moisés, não podeis ser salvos.
2 एहि विषय पर ओकरा सभक संग पौलुस आ बरनबास केँ बहुत झगड़ा आ वाद-विवाद भऽ गेलनि। अन्‍त मे ई निश्‍चय कयल गेल जे पौलुस, बरनबास आ ओहिठामक आरो किछु विश्‍वासी भाय सभ यरूशलेम जाथि आ एहि प्रश्‍नक विषय मे ओतऽ मसीह-दूत सभ और मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार लोकनिक संग बात करथि।
2 Tendo Paulo e Barnabé contenda e não pequena discussão com eles, os irmãos resolveram que Paulo e Barnabé e mais alguns dentre eles subissem a Jerusalém, aos apóstolos e aos anciãos, por causa desta questão.
3 अन्‍ताकियाक मण्‍डली हुनका सभ केँ विदा कयलकनि। ओ सभ फीनिकी आ सामरिया प्रदेश दऽ कऽ गेलाह आ ओहिठामक विश्‍वासी भाय सभ केँ ई खबरि सुनौलनि जे कोना गैर-यहूदी लोक सभ सेहो विश्‍वास कयलनि, जकरा सुनि कऽ सभ विश्‍वासी भाय अति आनन्‍दित भेलाह।
3 Eles, pois, sendo acompanhados pela igreja por um trecho do caminho, passavam pela Fenícia e por Samária, contando a conversão dos gentios; e davam grande alegria a todos os irmãos.
4 पौलुस आ बरनबास जखन यरूशलेम पहुँचलाह तँ ओहिठामक मण्‍डली, मसीह-दूत आ मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार सभ हुनका सभक स्‍वागत कयलथिन। तखन पौलुस आ बरनबास हुनका सभ केँ सुनाबऽ लगलाह जे परमेश्‍वर हुनका सभक माध्‍यम सँ केहन-केहन काज सभ कयलनि।
4 E, quando chegaram a Jerusalém, foram recebidos pela igreja e pelos apóstolos e anciãos, e relataram tudo quanto Deus fizera por meio deles.
5 एहि पर फरिसी दलक किछु लोक, जे विश्‍वासी भऽ गेल छल, से सभ उठि कऽ कहऽ लागल, “अन्‍यजातिक विश्‍वासी सभ केँ खतना करौनाइ जरूरी अछि, और ओकरा सभ केँ आज्ञा देल जाय जे ओ सभ मूसाक धर्म-नियमक पालन करय।”
5 Mas alguns da seita dos fariseus, que tinham crido, levantaram-se dizendo que era necessário circuncidá-los e mandar-lhes observar a lei de Moisés.
6 एहि बातक सम्‍बन्‍ध मे विचार-विमर्श करबाक लेल, मसीह-दूत आ मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार लोकनि एक ठाम जमा भेलाह।
6 Congregaram-se pois os apóstolos e os anciãos para considerar este assunto.
7 बहुत काल धरि घमर्थन भेलाक बाद, पत्रुस उठि कऽ कहलनि, “यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ केँ बुझल अछि जे बहुत दिन पहिने परमेश्‍वर अहाँ सभ मे सँ हमरा एहि लेल चुनलनि जे गैर-यहूदी लोक सभ हमरा मुँह सँ शुभ समाचार सुनय आ विश्‍वास करय।
7 E, havendo grande discussão, levantou-se Pedro e disse-lhes: Irmãos, bem sabeis que já há muito tempo Deus me elegeu dentre vós, para que os gentios ouvissem da minha boca a palavra do evangelho e cressem.
8 मोनक बात बुझऽ वला परमेश्‍वर अपना सभ जकाँ ओकरो सभ केँ अपन पवित्र आत्‍मा प्रदान कऽ कऽ एहि बातक प्रमाण देलनि जे ओकरा सभ केँ ओ स्‍वीकार कयलनि।
8 E Deus, que conhece os corações, testemunhou a favor deles, dando-lhes o Espírito Santo, assim como a nós;
9 अपना सभ और ओकरा सभ मे ओ कोनो भेद नहि रखलनि—ओ ओकरा सभक मोन विश्‍वासेक द्वारा शुद्ध कयलनि।
9 e não fez distinção alguma entre eles e nós, purificando os seus corações pela fé.
10 तेँ अहाँ सभ आब किएक विश्‍वासी सभक कान्‍ह पर एहन जुआ लादि कऽ परमेश्‍वर केँ जँचैत छियनि, जकरा ने अपना सभ आ ने अपना सभक पूर्वज लोकनि खीचि सकलाह?
10 Agora, pois, por que tentais a Deus, pondo sobre a cerviz dos discípulos um jugo que nem nossos pais nem nós pudemos suportar?
11 नहि! अपना सभक विश्‍वास अछि जे अपना सभक उद्धार प्रभु यीशुक कृपेक कारणेँ भेल अछि—जेना ओकरा सभक तेना अपनो सभक।”
11 Mas cremos que somos salvos pela graça do Senhor Jesus, do mesmo modo que eles também.
12 ई बात सुनि कऽ सभाक सभ लोक चुप भऽ गेलाह, और पौलुस आ बरनबासक बात सुनऽ लगलाह जे परमेश्‍वर हुनका सभक द्वारा केहन-केहन आश्‍चर्यपूर्ण चिन्‍ह आ चमत्‍कार सभ गैर-यहूदी लोक सभक बीच कयलनि।
12 Então toda a multidão se calou e escutava a Barnabé e a Paulo, que contavam quantos sinais e prodígios Deus havia feito por meio deles entre os gentios.
13 हुनका सभक बात जखन समाप्‍त भेलनि तखन याकूब बजलाह, “यौ भाइ लोकनि, हमर बात सुनू!
13 Depois que se calaram, Tiago, tomando a palavra, disse: Irmãos, ouvi-me:
14 परमेश्‍वर कोना शुरू मे दोसरो जाति सभ पर दया कऽ कऽ ओकरा सभ केँ अपन लोक बना लेलनि, तकरा सम्‍बन्‍ध मे सिमोन एखने कहलनि,
14 Simão relatou como primeiramente Deus visitou os gentios para tomar dentre eles um povo para o seu Nome.
15 आ हिनकर ई बात परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक बात सँ सेहो मिलैत अछि, जेना लिखल अछि,
15 E com isto concordam as palavras dos profetas; como está escrito:
16 ‘एकरा बाद हम घूमि कऽ आयब,
16 Depois disto voltarei, e reedificarei o tabernáculo de Davi, que está caído; reedificarei as suas ruínas, e tornarei a levantá-lo;
17 जाहि सँ बाँकी सभ लोक सेहो हमरा ताकय,
17 para que o resto dos homens busque ao Senhor, sim, todos os gentios, sobre os quais é invocado o meu nome,
18 ई बात कहऽ वला हम ओ परमेश्‍वर छी
18 diz o Senhor que faz estas coisas, que são conhecidas desde a antiguidade.
19 “एहि लेल दोसर जातिक लोक सभ जे अपना बाट केँ छोड़ि कऽ परमेश्‍वर लग आबि रहल अछि, तकरा सभक लेल अपना सभ कठिनाइ नहि उत्‍पन्‍न करी, से हमर विचार अछि।
19 Por isso, julgo que não se deve perturbar aqueles, dentre os gentios, que se convertem a Deus,
20 तेँ ओकरा सभ केँ लिखि पठा देल जाय जे ओ सभ एहि बात सभ सँ बाँचल रहथु—मूर्ति पर चढ़यबाक कारणेँ अशुद्ध भेल वस्‍तु सभ सँ, अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ, कण्‍ठ दबा कऽ मारल ⌞अर्थात्, बिनु खून बहा कऽ मारल⌟ पशुक माँसु सँ आ खूनक खान-पान सँ।
20 mas escrever-lhes que se abstenham das contaminações dos ídolos, da prostituição, do que é sufocado e do sangue.
21 कारण, प्राचीन काल सँ तँ मूसाक धर्म-नियमक प्रचार नगर-नगर मे कयल जाइत अछि, आ हुनकर लेख प्रत्‍येक विश्राम-दिन सभाघर सभ मे पढ़ल जाइत अछि।”
21 Porque Moisés, desde tempos antigos, tem em cada cidade homens que o preguem, e cada sábado é lido nas sinagogas.
22 तखन मसीह-दूत सभ आ मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार लोकनि पूरा मण्‍डलीक संग मिलि कऽ निर्णय कयलनि जे अपना सभ मे सँ किछु गोटे केँ चुनि कऽ पौलुस आ बरनबासक संग अन्‍ताकिया पठाबी। तँ यहूदा, जिनकर दोसर नाम बरसब्‍बा छलनि, आ सिलास केँ ओ सभ चुनलनि। हुनका सभ केँ विश्‍वासी भाय सभ विशेष मानैत छलनि।
22 Então pareceu bem aos apóstolos e aos anciãos com toda a igreja escolher homens dentre eles e enviá-los a Antioquia com Paulo e Barnabé, a saber: Judas, chamado Barsabás, e Silas, homens influentes entre os irmãos.
23 हुनके सभक हाथेँ ओ सभ ई चिट्ठी पठौलनि—
23 E por intermédio deles escreveram o seguinte: Os apóstolos e os anciãos, irmãos, aos irmãos dentre os gentios em Antioquia, na Síria e na Cicília, saúde.
24 हमरा सभ केँ सुनबा मे आयल अछि जे हमरा सभ मे सँ किछु गोटे अहाँ सभक ओहिठाम जा कऽ अपना बात द्वारा दुःख देने अछि। हम सभ ओकरा सभ केँ एहि तरहक कोनो आदेश नहि देने छलिऐक।
24 Portanto ouvimos que alguns dentre nós, aos quais nada mandamos, vos têm perturbado com palavras, confundindo as vossas almas,
25 तेँ हम सभ एक ठाम जमा भऽ कऽ सभक सहमति सँ दू आदमी केँ अहाँ सभ लग पठयबाक निर्णय कयलहुँ।
25 pareceu-nos bem, tendo chegado a um acordo, escolher alguns homens e enviá-los com os nossos amados Barnabé e Paulo,
26 हमरा सभक प्रिय मित्र पौलुस आ बरनबास, जिनकर जान अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक नामक कारणेँ जाय लागल छलनि,
26 homens que têm exposto as suas vidas pelo nome de nosso Senhor Jesus Cristo.
27 तिनका सभक संग हम सभ एहि दूनू भाय यहूदा आ सिलास केँ अहाँ सभ लग पठा रहल छी। ओ सभ अपन मुँहो सँ यैह बात कहि देताह जे एहि पत्र मे लिखल अछि।
27 Enviamos portanto Judas e Silas, os quais também por palavra vos anunciarão as mesmas coisas.
28 पवित्र आत्‍मा केँ आ हमरा सभ केँ ई उचित बुझायल जे निम्‍नलिखित आवश्‍यक बात सभ केँ छोड़ि कऽ आरो कोनो बातक बोझ अहाँ सभ पर नहि लादी—
28 Porque pareceu bem ao Espírito Santo e a nós não vos impor maior encargo além destas coisas necessárias:
29 मूर्ति पर चढ़ाओल खयबाक वस्‍तु सँ, खूनक खान-पान सँ, कण्‍ठ दबा कऽ मारल ⌞अर्थात् बिनु खून बहा कऽ मारल⌟ पशुक माँसु सँ, आ अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध सँ बँचू। एहि बात सभ सँ दूर रहला सँ अहाँ सभक भलाइ होयत।
29 Que vos abstenhais das coisas sacrificadas aos ídolos, e do sangue, e da carne sufocada, e da prostituição; e destas coisas fareis bem de vos guardar. Bem vos vá.
30 हुनका सभ केँ मण्‍डलीक लोक विदा कयलकनि, आ ओ सभ अन्‍ताकिया गेलाह। ओतऽ पहुँचि कऽ ओ सभ मण्‍डलीक लोक केँ बजा कऽ चिट्ठी देलथिन।
30 Então eles, tendo-se despedido, desceram a Antioquia e, havendo reunido a assembléia, entregaram a carta.
31 ओ सभ चिट्ठी पढ़ि प्रोत्‍साहनक एहन बात सँ अति आनन्‍दित भेलाह।
31 E, quando a leram, alegraram-se pela consolação.
32 यहूदा आ सिलास, जे स्‍वयं परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता छलाह, विभिन्‍न तरहक बात सँ विश्‍वासी भाय सभ केँ विश्‍वास मे मजगूत आ प्रोत्‍साहित कयलथिन।
32 Depois Judas e Silas, que também eram profetas, exortaram os irmãos com muitas palavras e os fortaleceram.
33 यहूदा आ सिलास किछु दिन धरि अन्‍ताकिया मे रहलाह। तकरबाद विश्‍वासी भाय सभ हुनका सभ केँ आशीर्वाद दऽ कऽ, तिनका सभ लग विदा कऽ देलथिन जे सभ हुनका सभ केँ पठौने छलथिन।
33 E, tendo-se demorado ali por algum tempo, foram pelos irmãos despedidos em paz, de volta aos que os haviam mandado.
34 [मुदा सिलास ओहीठाम रहबाक निर्णय कयलनि।]
34 {Mas pareceu bem a Silas ficar ali.}
35 पौलुस आ बरनबास अन्‍ताकिया मे रहि गेलाह, जतऽ ओ सभ, आ दोसरो बहुत गोटे, प्रभुक वचनक शिक्षा दैत रहलाह आ शुभ समाचार सुनबैत रहलाह।
35 Mas Paulo e Barnabé demoraram-se em Antioquia, ensinando e pregando com muitos outros a palavra do Senhor.
36 किछु समय बितला पर पौलुस बरनबास केँ कहलथिन, “चलू! जाहि-जाहि नगर मे अपना सभ प्रभुक वचनक प्रचार कयने छी, ताहि-ताहि ठाम जा कऽ देखी जे ओतुक्‍का विश्‍वासी भाय सभ केहन छथि।”
36 Decorridos alguns dias, disse Paulo a Barnabé: Tornemos a visitar os irmãos por todas as cidades em que temos anunciado a palavra do Senhor, para ver como vão.
37 बरनबास यूहन्‍ना केँ, जिनकर दोसर नाम मरकुस छलनि, सेहो संग लऽ जाय चाहैत छलाह,
37 Ora, Barnabé queria que levassem também a João, chamado Marcos.
38 मुदा पौलुस केँ ई बात उपयुक्‍त नहि बुझि पड़लनि जे, जे आदमी हुनका सभ केँ पंफूलिया प्रदेश मे छोड़ि देने छलनि आ जे हुनका सभक काज मे संग नहि देबऽ चाहलक, तकरा अपना संग मे लऽ जाइ।
38 Mas a Paulo não parecia razoável que tomassem consigo aquele que desde a Panfília se tinha apartado deles e não os tinha acompanhado no trabalho.
39 एहि पर हुनका दूनू गोटे मे बहुत बड़का मतभेद भऽ गेलनि, और अन्‍त मे ओ सभ एक-दोसर सँ अलग भऽ गेलाह। बरनबास मरकुस केँ अपना संग लऽ पानि जहाज सँ साइप्रस द्वीप चल गेलाह।
39 E houve entre eles tal desavença que se separaram um do outro, e Barnabé, levando consigo a Marcos, navegou para Chipre.
40 पौलुस सिलास केँ चुनलनि। अन्‍ताकियाक भाय सभ हुनका सभ केँ प्रभुक कृपा पर सौंपि विदा कयलथिन।
40 Mas Paulo, tendo escolhido a Silas, partiu encomendado pelos irmãos à graça do Senhor.
41 ओ सभ सीरिया आ किलिकिया प्रदेश मे घूमि-घूमि कऽ ओहिठामक मण्‍डली सभ केँ विश्‍वास मे मजगूत करैत आगाँ बढ़ैत गेलाह।
41 E passou pela Síria e Cilícia, fortalecendo as igrejas.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.