Atos 11

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 मसीह-दूत सभ और यहूदिया प्रदेशक आरो विश्‍वासी भाय सभ जखन सुनलनि जे गैर-यहूदी सभ सेहो परमेश्‍वरक वचन स्‍वीकार कयने अछि,
1 E ouviram os apóstolos e os irmãos que estavam na Judeia que também os gentios tinham recebido a palavra de Deus.
2 तँ पत्रुस केँ यरूशलेम अयला पर यहूदी विश्‍वासी सभ हुनका पर दोष लगाबऽ लगलथिन।
2 E, subindo Pedro a Jerusalém, disputavam com ele os que eram da circuncisão,
3 ओ सभ कहलथिन, “अहाँ गैर-यहूदी सभक घर मे प्रवेश कयलहुँ आ ओकरा सभक संग भोजनो कयलहुँ!”
3 dizendo: Entraste em casa de varões incircuncisos e comeste com eles.
4 तखन पत्रुस, कोना की भेल छल, से सभ बात हुनका सभ केँ शुरू सँ सुनाबऽ लगलाह।
4 Mas Pedro começou a fazer-lhes uma exposição por ordem, dizendo:
5 ओ कहलथिन, “याफा नगर मे प्रार्थना करैत काल हम ध्‍यान-मग्‍न भऽ गेलहुँ और हमरा सामने एक दृश्‍य प्रगट भेल। हम एक बड़का चद्दरि सनक कोनो चीज चारू खूँट सँ बान्‍हल स्‍वर्ग सँ उतारल जाइत देखलहुँ। ओ वस्‍तु हमरा लग आबि कऽ रूकल।
5 Estando eu orando na cidade de Jope, tive, num arrebatamento dos sentidos, uma visão; via um vaso, como um grande lençol que descia do céu e vinha até junto de mim.
6 हम जखन गौर सँ देखऽ लगलहुँ तँ ओहि मे हमरा घरैया-पशु, जंगली जानबर, जमीन मे ससरऽ वला जीव-जन्‍तु, और आकाशक चिड़ै सभ देखाइ पड़ल।
6 E, pondo nele os olhos, considerei e vi animais da terra, quadrúpedes, e feras, e répteis, e aves do céu.
7 तखन हमरा ई आवाज सुनाइ देलक, ‘पत्रुस, उठह! एहि मे सँ मारि कऽ खाह!’
7 E ouvi uma voz que me dizia: Levanta-te, Pedro! Mata e come.
8 मुदा हम उत्तर देलियनि जे, ‘नहि नहि, प्रभु! हम कोनो अपवित्र वा अशुद्ध वस्‍तु कहियो नहि खयने छी।’
8 Mas eu disse: De maneira nenhuma, Senhor; pois nunca em minha boca entrou coisa alguma comum ou imunda.
9 तखन दोसर बेर फेर स्‍वर्ग सँ आवाज सुनाइ देलक जे, ‘जाहि वस्‍तु केँ परमेश्‍वर शुद्ध ठहरौने छथिन, तकरा तोँ अशुद्ध नहि कहक।’
9 Mas a voz respondeu-me do céu segunda vez: Não chames tu comum ao que Deus purificou.
10 एहिना तीन बेर भेल, आ तकरबाद ओ सभ वस्‍तु फेर स्‍वर्ग दिस उठा लेल गेल।
10 E sucedeu isto por três vezes; e tudo tornou a recolher-se no céu.
11 “ताही क्षण मे तीन आदमी जे हमरा बजयबाक लेल कैसरिया सँ पठाओल गेल छल, से सभ ओहि घर लग पहुँचल जतऽ हम रहैत छलहुँ।
11 E eis que, na mesma hora, pararam junto da casa em que eu estava três varões que me foram enviados de Cesareia.
12 पवित्र आत्‍मा हमरा आदेश देलनि जे, कोनो खराब बात नहि सोचि कऽ ओकरा सभक संग जाह। ई छओटा विश्‍वासी भाय सेहो हमरा संग गेलाह और हम सभ ओहि आदमीक घर मे गेलहुँ जे हमरा बजबौने छलाह।
12 E disse-me o Espírito que fosse com eles, nada duvidando; e também estes seis irmãos foram comigo, e entramos em casa daquele varão.
13 ओ हमरा सभ केँ कहलनि जे कोना हुनका अपना घर मे स्‍वर्गदूत दर्शन देलथिन आ कहलथिन जे, ‘ककरो याफा नगर पठा कऽ सिमोन जकर दोसर नाम पत्रुस छैक, तकरा बजबा लिअ।
13 E contou-nos como vira em pé um anjo em sua casa, e lhe dissera: Envia varões a Jope e manda chamar a Simão, que tem por sobrenome Pedro,
14 ओ आबि कऽ अहाँ केँ उपदेश देत जाहि द्वारा अहाँ सपरिवार उद्धार प्राप्‍त करब।’
14 o qual te dirá palavras com que te salves, tu e toda a tua casa.
15 “हम जखन उपदेश देनाइ शुरुए कयने छलहुँ तखने पवित्र आत्‍मा हुनका सभ पर उतरि अयलाह, ठीक ओहिना जेना अपना सभ पर शुरू मे अयलाह।
15 E, quando comecei a falar, caiu sobre eles o Espírito Santo, como também sobre nós ao princípio.
16 तुरत प्रभुक कहल ओ बात हमरा मोन पड़ल जे, ‘यूहन्‍ना लोक केँ पानि सँ बपतिस्‍मा देलनि मुदा अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा सँ बपतिस्‍मा देल जायत।’
16 E lembrei-me do dito do Senhor, quando disse: João certamente batizou com água, mas vós sereis batizados com o Espírito Santo.
17 जँ परमेश्‍वर हुनका सभ केँ वैह दान देलनि जे दान अपना सभ जखन प्रभु यीशु मसीह पर विश्‍वास कयलहुँ तखन अपना सभ केँ देलनि, तँ हम परमेश्‍वरक काज केँ रोकऽ वला के छी!”
17 Portanto, se Deus lhes deu o mesmo dom que a nós, quando cremos no Senhor Jesus Cristo, quem era, então, eu, para que pudesse resistir a Deus?
18 ई सुनि ओ सभ सन्‍तुष्‍ट भऽ गेलाह आ परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत बजलाह, “तखन तँ परमेश्‍वर दोसरो जाति सभ केँ सेहो अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप आ हृदय-परिवर्तन करबाक वरदान देलथिन जाहि सँ ओहो सभ जीवन प्राप्‍त करय!”
18 E, ouvindo estas coisas, apaziguaram-se e glorificaram a Deus, dizendo: Na verdade, até aos gentios deu Deus o arrependimento para a vida.
19 स्‍तिफनुस केँ मारल गेलाक बाद मसीही विश्‍वासी सभ पर जखन अत्‍याचार बढ़ऽ लागल तँ ओ सभ जहाँ-तहाँ छिड़िया गेलाह आ फीनिकी प्रदेश, साइप्रस द्वीप और अन्‍ताकिया नगर तक पहुँचलाह। मुदा विशेष काल ओ सभ मात्र यहूदी सभक बीच शुभ समाचारक प्रचार करैत छलाह।
19 E os que foram dispersos pela perseguição que sucedeu por causa de Estêvão caminharam até à Fenícia, Chipre e Antioquia, não anunciando a ninguém a palavra senão somente aos judeus.
20 परन्‍तु हुनका सभ मे सँ किछु लोक, जे साइप्रस आ कुरेनक निवासी छलाह, से सभ अन्‍ताकिया नगर जा कऽ यूनानी सभ सँ सेहो सम्‍पर्क कऽ ओकरा सभ केँ प्रभु यीशुक सम्‍बन्‍ध मे शुभ समाचार सुनाबऽ लगलथिन।
20 E havia entre eles alguns varões de Chipre e de Cirene, os quais, entrando em Antioquia, falaram aos gregos, anunciando o Senhor Jesus.
21 प्रभुक शक्‍ति हुनका सभक संग छलनि, आ बहुतो लोक प्रभु पर विश्‍वास कऽ कऽ हुनकर रस्‍ता पर आबि गेलनि।
21 E a mão do Senhor era com eles; e grande número creu e se converteu ao Senhor.
22 अन्‍ताकिया मे भेल सभ बातक खबरि जखन यरूशलेमक विश्‍वासी मण्‍डली लग पहुँचल तँ ओ सभ बरनबास केँ अन्‍ताकिया पठौलनि।
22 E chegou a fama destas coisas aos ouvidos da igreja que estava em Jerusalém; e enviaram Barnabé até Antioquia,
23 — ausente —
23 o qual, quando chegou e viu a graça de Deus, se alegrou e exortou a todos a que, com firmeza de coração, permanecessem no Senhor.
24 — ausente —
24 Porque era homem de bem e cheio do Espírito Santo e de fé. E muita gente se uniu ao Senhor.
25 तखन बरनबास साउल केँ तकबाक लेल तरसुस नगर गेलाह।
25 E partiu Barnabé para Tarso, a buscar Saulo; e, achando-o, o conduziu para Antioquia.
26 हुनका सँ भेँट भेला पर, ओ हुनका ओतऽ सँ अन्‍ताकिया लऽ अनलथिन। ओ दूनू गोटे वर्ष दिन ओतऽ मण्‍डलीक संगति मे रहलाह आ बहुत लोक केँ प्रभुक विषय मे शिक्षा देलथिन। ओतहि, अर्थात् अन्‍ताकिए मे, सभ सँ पहिने प्रभु यीशु मसीहक शिष्‍य सभ केँ “मसीही” कहबाक प्रथा शुरू भेल।
26 E sucedeu que todo um ano se reuniram naquela igreja e ensinaram muita gente. Em Antioquia, foram os discípulos, pela primeira vez, chamados cristãos.
27 ओहि समय मे यरूशलेम सँ परमेश्‍वरक किछु प्रवक्‍ता सभ अन्‍ताकिया अयलाह।
27 Naqueles dias, desceram profetas de Jerusalém para Antioquia.
28 ओहि मे सँ एक, अगबुस नामक प्रवक्‍ता उठि कऽ परमेश्‍वरक आत्‍माक प्रेरणा सँ भविष्‍यवाणी कयलनि जे सम्‍पूर्ण राज्‍य मे भयंकर रौदी पड़त। (ई बात सम्राट क्‍लौदियुसक शासन काल मे पूरा भेल।)
28 E, levantando-se um deles, por nome Ágabo, dava a entender, pelo Espírito, que haveria uma grande fome em todo o mundo, e isso aconteceu no tempo de Cláudio César.
29 तेँ प्रभुक शिष्‍य सभ निर्णय कयलनि जे हम सभ अपन-अपन सामर्थ्‍यक अनुसार यहूदिया प्रदेशक भाय सभक लेल किछु मदति करी।
29 E os discípulos determinaram mandar, cada um conforme o que pudesse, socorro aos irmãos que habitavam na Judeia.
30 ओ सभ एहिना करबो कयलनि, आ बरनबास और साउलक हाथेँ अपन दान मण्‍डलीक देख-रेख कयनिहार सभ लग पठा देलथिन।
30 O que eles com efeito fizeram, enviando-o aos anciãos por mão de Barnabé e de Saulo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.