Apocalipse 20

jivən səndesh (MAI) vs NVT

Sair da comparação
NVT Nova Versão Transformadora
1 तकरबाद हम एक स्‍वर्गदूत केँ स्‍वर्ग सँ नीचाँ अबैत देखलहुँ। हुनका हाथ मे अथाह कुण्‍डक कुंजी आ बड़काटा जंजीर छलनि।
1 Então vi um anjo descer do céu trazendo na mão a chave do abismo e uma grande corrente.
2 ओ ओहि अजगर केँ, अर्थात् प्राचीन समयक ओहि साँप केँ, जे महादुष्‍ट वा शैतान अछि, पकड़ि कऽ एक हजार वर्षक लेल बान्‍हि देलनि।
2 Ele prendeu o dragão, a antiga serpente que é o diabo, Satanás, e o acorrentou por mil anos.
3 ओकरा अथाह कुण्‍ड मे फेकि कऽ बन्‍द कऽ देलनि आ ओहि पर मोहर मारि देलनि जाहि सँ जा धरि एक हजार वर्ष बिति नहि जाय, ता धरि ओ जाति-जातिक लोक सभ केँ आओर नहि बहका सकय। तकरबाद ओकरा किछु समयक लेल छोड़ल गेनाइ आवश्‍यक अछि।
3 O anjo o lançou no abismo, o fechou e pôs um lacre na porta, de modo que ele não pudesse mais enganar as nações até que terminassem os mil anos. Depois disso, é necessário que ele seja solto por um pouco de tempo.
4 तखन हम सिंहासन सभ देखलहुँ। जे सभ ओहि पर बैसल छलाह, तिनका सभ केँ न्‍याय करबाक अधिकार देल गेल छलनि। हम ओहि लोक सभक आत्‍मा सभ केँ देखलहुँ जिनका सभक सिर यीशुक गवाही देबाक कारणेँ आ परमेश्‍वरक वचन सुनयबाक कारणेँ काटि देल गेल छलनि। ओ सभ ने तँ ओहि जानबरक आ ने ओकर मूर्तिक पूजा कयने छलाह, ने अपना कपार वा हाथ पर ओकर छाप लगबौने छलाह। ओ सभ फेर जीवित भऽ हजार वर्ष तक मसीहक संग राज्‍य कयलनि।
4 Vi tronos, e os que estavam sentados neles haviam recebido autoridade para julgar. Vi também as almas daqueles que haviam sido decapitados por testemunharem a respeito de Jesus e por proclamarem a palavra de Deus. Não tinham adorado a besta nem sua estátua, nem aceitado sua marca na testa ou nas mãos. Eles ressuscitaram e reinaram com Cristo por mil anos.
5 ई पहिल जीबि उठनाइ अछि। बाँकी मरल लोक सभ हजार वर्ष समाप्‍त भेलाक बादे जीवित भेल।
5 Esta é a primeira ressurreição. (O restante dos mortos só voltou à vida depois que terminaram os mil anos.)
6 धन्‍य आ पवित्र छथि ओ सभ, जे पहिल जीबि उठनाइ मे सहभागी छथि। एहन लोक सभ पर दोसर मृत्‍युक कोनो प्रभाव नहि पड़त। ओ सभ परमेश्‍वर आ मसीहक सेवाक लेल पुरोहित होयताह आ हुनका संग हजार वर्ष तक राज्‍य करैत रहताह।
6 Felizes e santos são aqueles que participam da primeira ressurreição. A segunda morte não tem poder algum sobre eles, pois serão sacerdotes de Deus e de Cristo e reinarão com ele por mil anos.
7 हजार वर्ष पुरि गेलाक बाद शैतान केँ अपन बन्‍हन सँ मुक्‍त कऽ देल जयतैक।
7 Quando terminarem os mil anos, Satanás será solto da prisão
8 ओ पृथ्‍वीक चारू कोनाक राष्‍ट्र सभ केँ, अर्थात् “गोग” आ “मागोग” केँ बहकयबाक लेल आ युद्धक लेल जमा करबाक हेतु निकलत। ओकरा सभक संख्‍या समुद्रक बालु जकाँ असंख्‍य रहतैक।
8 e sairá para enganar as nações, Gogue e Magogue, em todas as extremidades da terra. Ele as reunirá para a batalha, um exército poderoso, incontável como a areia da praia.
9 ओ सभ सम्‍पूर्ण पृथ्‍वी पर पसरि कऽ परमेश्‍वरक लोक सभक निवास स्‍थान केँ, अर्थात्, परमेश्‍वरक प्रिय नगर केँ, घेरि लेलक। मुदा स्‍वर्ग सँ आगि बरसल आ ओकरा सभ केँ भस्‍म कऽ देलकैक।
9 Subiram pela vasta planície da terra e cercaram o acampamento do povo santo e a cidade amada. Mas fogo desceu do céu e os consumiu.
10 तखन शैतान, जे ओकरा सभ केँ बहकौने छलैक, तकरा आगि आ गन्‍धकक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक, जाहिठाम जानबर आ झुट्ठा भविष्‍यवक्‍ता केँ फेकल गेल छलैक। ओ सभ दिन-राति अनन्‍त काल धरि अत्‍यन्‍त कष्‍ट भोगैत रहत।
10 O diabo, que os havia enganado, foi lançado no lago de fogo que arde com enxofre, onde já estavam a besta e o falso profeta. Ali serão atormentados dia e noite, para todo o sempre.
11 तकरबाद हम एक विशाल उज्‍जर सिंहासन आ ओहि पर विराजमान व्‍यक्‍ति केँ देखलहुँ। हुनका सोझाँ सँ पृथ्‍वी आ आकाश लुप्‍त भऽ गेल और ओकर कोनो नामो-निशान नहि रहल।
11 Vi um grande trono e aquele que estava sentado nele. A terra e o céu fugiram de sua presença, mas não encontraram lugar para se esconder.
12 तखन हम छोट-पैघ, सभ मरल लोक केँ सिंहासनक सम्‍मुख ठाढ़ देखलहुँ आ पुस्‍तक सभ खोलल गेल। तकरबाद एक आओर पुस्‍तक खोलल गेल जे जीवनक पुस्‍तक अछि। मरल सभक कयल कर्म, जे पुस्‍तक सभ मे लिखल गेल छलैक, ताहि अनुसार ओकरा सभक न्‍याय कयल गेलैक।
12 Vi os mortos, pequenos e grandes, em pé diante do trono de Deus. E foram abertos os livros, incluindo o Livro da Vida. Os mortos foram julgados segundo o que haviam feito, conforme o que estava registrado nos livros.
13 समुद्र ओहि मरल सभ केँ जे ओकरा मे छल, प्रस्‍तुत कयलक। तखन मृत्‍यु आ पाताल अपन-अपन मरल सभ केँ प्रस्‍तुत कयलक। ओकरा सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍तिक न्‍याय ओकरा कर्मक अनुसार कयल गेलैक।
13 O mar entregou seus mortos, e a morte e o mundo dos mortos também entregaram seus mortos. E todos foram julgados de acordo com seus atos.
14 तकरबाद मृत्‍यु आ पाताल, दूनू केँ आगिक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक। ई आगिक कुण्‍ड दोसर मृत्‍यु अछि।
14 Então a morte e o mundo dos mortos foram lançados no lago de fogo. Esse lago de fogo é a segunda morte.
15 जकरा सभक नाम जीवनक पुस्‍तक मे लिखल नहि भेटलैक तकरा सभ केँ आगिक कुण्‍ड मे फेकि देल गेलैक।
15 E quem não tinha o nome registrado no Livro da Vida foi lançado no lago de fogo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 20, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.