Apocalipse 20
jivən səndesh (MAI) vs ARC
1 तकरबाद हम एक स्वर्गदूत केँ स्वर्ग सँ नीचाँ अबैत देखलहुँ। हुनका हाथ मे अथाह कुण्डक कुंजी आ बड़काटा जंजीर छलनि।
1 E vi descer do céu um anjo que tinha a chave do abismo e uma grande cadeia na sua mão.
2 ओ ओहि अजगर केँ, अर्थात् प्राचीन समयक ओहि साँप केँ, जे महादुष्ट वा शैतान अछि, पकड़ि कऽ एक हजार वर्षक लेल बान्हि देलनि।
2 Ele prendeu o dragão, a antiga serpente, que é o diabo e Satanás, e amarrou-o por mil anos.
3 ओकरा अथाह कुण्ड मे फेकि कऽ बन्द कऽ देलनि आ ओहि पर मोहर मारि देलनि जाहि सँ जा धरि एक हजार वर्ष बिति नहि जाय, ता धरि ओ जाति-जातिक लोक सभ केँ आओर नहि बहका सकय। तकरबाद ओकरा किछु समयक लेल छोड़ल गेनाइ आवश्यक अछि।
3 E lançou-o no abismo, e ali o encerrou, e pôs selo sobre ele, para que mais não engane as nações, até que os mil anos se acabem. E depois importa que seja solto por um pouco de tempo.
4 तखन हम सिंहासन सभ देखलहुँ। जे सभ ओहि पर बैसल छलाह, तिनका सभ केँ न्याय करबाक अधिकार देल गेल छलनि। हम ओहि लोक सभक आत्मा सभ केँ देखलहुँ जिनका सभक सिर यीशुक गवाही देबाक कारणेँ आ परमेश्वरक वचन सुनयबाक कारणेँ काटि देल गेल छलनि। ओ सभ ने तँ ओहि जानबरक आ ने ओकर मूर्तिक पूजा कयने छलाह, ने अपना कपार वा हाथ पर ओकर छाप लगबौने छलाह। ओ सभ फेर जीवित भऽ हजार वर्ष तक मसीहक संग राज्य कयलनि।
4 E vi tronos; e assentaram-se sobre eles aqueles a quem foi dado o poder de julgar. E vi as almas daqueles que foram degolados pelo testemunho de Jesus e pela palavra de Deus, e que não adoraram a besta nem a sua imagem, e não receberam o sinal na testa nem na mão; e viveram e reinaram com Cristo durante mil anos.
5 ई पहिल जीबि उठनाइ अछि। बाँकी मरल लोक सभ हजार वर्ष समाप्त भेलाक बादे जीवित भेल।
5 Mas os outros mortos não reviveram, até que os mil anos se acabaram. Esta é a primeira ressurreição.
6 धन्य आ पवित्र छथि ओ सभ, जे पहिल जीबि उठनाइ मे सहभागी छथि। एहन लोक सभ पर दोसर मृत्युक कोनो प्रभाव नहि पड़त। ओ सभ परमेश्वर आ मसीहक सेवाक लेल पुरोहित होयताह आ हुनका संग हजार वर्ष तक राज्य करैत रहताह।
6 Bem-aventurado e santo aquele que tem parte na primeira ressurreição; sobre estes não tem poder a segunda morte, mas serão sacerdotes de Deus e de Cristo e reinarão com ele mil anos.
7 हजार वर्ष पुरि गेलाक बाद शैतान केँ अपन बन्हन सँ मुक्त कऽ देल जयतैक।
7 E, acabando-se os mil anos, Satanás será solto da sua prisão
8 ओ पृथ्वीक चारू कोनाक राष्ट्र सभ केँ, अर्थात् “गोग” आ “मागोग” केँ बहकयबाक लेल आ युद्धक लेल जमा करबाक हेतु निकलत। ओकरा सभक संख्या समुद्रक बालु जकाँ असंख्य रहतैक।
8 e sairá a enganar as nações que estão sobre os quatro cantos da terra, Gogue e Magogue, cujo número é como a areia do mar, para as ajuntar em batalha.
9 ओ सभ सम्पूर्ण पृथ्वी पर पसरि कऽ परमेश्वरक लोक सभक निवास स्थान केँ, अर्थात्, परमेश्वरक प्रिय नगर केँ, घेरि लेलक। मुदा स्वर्ग सँ आगि बरसल आ ओकरा सभ केँ भस्म कऽ देलकैक।
9 E subiram sobre a largura da terra e cercaram o arraial dos santos e a cidade amada; mas desceu fogo do céu e os devorou.
10 तखन शैतान, जे ओकरा सभ केँ बहकौने छलैक, तकरा आगि आ गन्धकक कुण्ड मे फेकि देल गेलैक, जाहिठाम जानबर आ झुट्ठा भविष्यवक्ता केँ फेकल गेल छलैक। ओ सभ दिन-राति अनन्त काल धरि अत्यन्त कष्ट भोगैत रहत।
10 E o diabo, que os enganava, foi lançado no lago de fogo e enxofre, onde está a besta e o falso profeta; e de dia e de noite serão atormentados para todo o sempre.
11 तकरबाद हम एक विशाल उज्जर सिंहासन आ ओहि पर विराजमान व्यक्ति केँ देखलहुँ। हुनका सोझाँ सँ पृथ्वी आ आकाश लुप्त भऽ गेल और ओकर कोनो नामो-निशान नहि रहल।
11 E vi um grande trono branco e o que estava assentado sobre ele, de cuja presença fugiu a terra e o céu, e não se achou lugar para eles.
12 तखन हम छोट-पैघ, सभ मरल लोक केँ सिंहासनक सम्मुख ठाढ़ देखलहुँ आ पुस्तक सभ खोलल गेल। तकरबाद एक आओर पुस्तक खोलल गेल जे जीवनक पुस्तक अछि। मरल सभक कयल कर्म, जे पुस्तक सभ मे लिखल गेल छलैक, ताहि अनुसार ओकरा सभक न्याय कयल गेलैक।
12 E vi os mortos, grandes e pequenos, que estavam diante do trono, e abriram-se os livros. E abriu-se outro livro, que é o da vida. E os mortos foram julgados pelas coisas que estavam escritas nos livros, segundo as suas obras.
13 समुद्र ओहि मरल सभ केँ जे ओकरा मे छल, प्रस्तुत कयलक। तखन मृत्यु आ पाताल अपन-अपन मरल सभ केँ प्रस्तुत कयलक। ओकरा सभ मे सँ प्रत्येक व्यक्तिक न्याय ओकरा कर्मक अनुसार कयल गेलैक।
13 E deu o mar os mortos que nele havia; e a morte e o inferno deram os mortos que neles havia; e foram julgados cada um segundo as suas obras.
14 तकरबाद मृत्यु आ पाताल, दूनू केँ आगिक कुण्ड मे फेकि देल गेलैक। ई आगिक कुण्ड दोसर मृत्यु अछि।
14 E a morte e o inferno foram lançados no lago de fogo. Esta é a segunda morte.
15 जकरा सभक नाम जीवनक पुस्तक मे लिखल नहि भेटलैक तकरा सभ केँ आगिक कुण्ड मे फेकि देल गेलैक।
15 E aquele que não foi achado escrito no livro da vida foi lançado no lago de fogo.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 20, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.