Apocalipse 16

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 तखन हम मन्‍दिर मे सँ ऊँ‍च स्‍वर मे एक आवाज सुनलहुँ जे ओहि सातो स्‍वर्गदूत केँ कहि रहल छलनि, “जाह, परमेश्‍वरक क्रोध सँ भरल ओ सातो कटोरा पृथ्‍वी पर उझिलि दहक।”
1 E ouvi, vinda do santuário, uma grande voz, que dizia aos sete anjos: Ide e derramai sobre a terra as sete taças, da ira de Deus.
2 एहि पर पहिल स्‍वर्गदूत जा कऽ अपन कटोरा पृथ्‍वी पर उझिलि देलनि। ओहि सँ जाहि लोक पर जानबरक छाप लागल छल आ जे सभ ओकर मूर्तिक पूजा करैत छल, तकरा सभक शरीर मे घृणित आ दुःखदायी फोंका बहरा गेलैक।
2 Então foi o primeiro e derramou a sua taça sobre a terra; e apareceu uma chaga ruim e maligna nos homens que tinham o sinal da besta e que adoravam a sua imagem.
3 दोसर स्‍वर्गदूत अपन कटोरा समुद्र मे उझिललनि, तँ समुद्रक पानि मरल मनुष्‍यक खून जकाँ खूने-खून भऽ गेल आ ओहि मेहक प्रत्‍येक जीव-जन्‍तु मरि गेल।
3 O segundo anjo derramou a sua taça no mar, que se tornou em sangue como de um morto, e morreu todo ser vivente que estava no mar.
4 तेसर स्‍वर्गदूत अपन कटोरा नदी सभ पर आ जलक स्रोत सभ पर उझिललनि; ओहो सभ खून बनि गेल।
4 O terceiro anjo derramou a sua taça nos rios e nas fontes das águas, e se tornaram em sangue.
5 तखन हम ओहि स्‍वर्गदूत केँ, जिनका जल पर अधिकार छनि, ई कहैत सुनलहुँ, “हे पवित्र परमेश्‍वर, अहाँ, जे छी आ जे छलहुँ, अहाँ न्‍यायी छी, अहाँक ई निर्णय सभ न्‍यायसंगत अछि।
5 E ouvi o anjo das águas dizer: Justo és tu, que és e que eras, o Santo; porque julgaste estas coisas;
6 जे सभ अहाँक लोक सभक आ अहाँक प्रवक्‍ता सभक खून बहौने छल, तकरा सभ केँ अहाँ पिबाक लेल खूने देलहुँ। ओकरा सभ केँ ई दण्‍ड भेटनाइ उचिते छल।”
6 porque derramaram o sangue de santos e de profetas, e tu lhes tens dado sangue a beber; eles o merecem.
7 तखन हम फेर वेदी लग सँ एकटा आवाज केँ ई कहैत सुनलहुँ, “हँ, हे सर्वशक्‍तिमान प्रभु-परमेश्‍वर, अहाँक निर्णय सभ निश्‍चय उचित आ न्‍यायसंगत अछि।”
7 E ouvi uma voz do altar, que dizia: Na verdade, ó Senhor Deus Todo-Poderoso, verdadeiros e justos são os teus juízos.
8 चारिम स्‍वर्गदूत अपन कटोरा सूर्य पर उझिलि देलनि। सूर्य केँ शक्‍ति देल गेलैक जे ओ मनुष्‍य सभ केँ अपन आगिक ताप सँ झरकाबय।
8 O quarto anjo derramou a sua taça sobre o sol, e foi-lhe permitido que abrasasse os homens com fogo.
9 मनुष्‍य सभ प्रचण्‍ड ताप सँ झरकऽ लागल। ओ सभ विपत्ति सभ पर अधिकार रखनिहार परमेश्‍वरक नामक निन्‍दा कयलक, मुदा अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन नहि कयलक आ परमेश्‍वरक स्‍तुति नहि करऽ चाहलक।
9 E os homens foram abrasados com grande calor; e blasfemaram o nome de Deus, que tem poder sobre estas pragas; e não se arrependeram para lhe darem glória.
10 पाँचम स्‍वर्गदूत अपन कटोरा जानबरक सिंहासन पर उझिलि देलनि। एहि सँ ओकर सम्‍पूर्ण राज्‍य मे अन्‍हार पसरि गेलैक आ पीड़ाक कारणेँ लोक सभ अपन जीह दाँत सँ काटऽ लागल।
10 O quinto anjo derramou a sua taça sobre o trono da besta, e o seu reino se fez tenebroso; e os homens mordiam de dor as suas línguas.
11 ओ सभ अपन पीड़ा आ फोंका सभक कारणेँ स्‍वर्ग मे विराजमान रहऽ वला परमेश्‍वरक निन्‍दा कयलक, मुदा अपन अधलाह काज सभक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन नहि कयलक।
11 E por causa das suas dores, e por causa das suas chagas, blasfemaram o Deus do céu; e não se arrependeram das suas obras.
12 छठम स्‍वर्गदूत अपन कटोरा फरात महा-नदी पर उझिलि देलनि। फरात नदीक जल सुखा गेल जाहि सँ पूब दिसक राजा सभक लेल अयबाक बाट तैयार भऽ जाइक।
12 O sexto anjo derramou a sua taça sobre o grande rio Eufrates; e a sua água secou-se, para que se preparasse o caminho dos reis que vêm do oriente.
13 तकरबाद हम अजगरक मुँह सँ, जानबरक मुँह सँ आ झुट्ठा भविष्‍यवक्‍ताक मुँह सँ तीनटा दुष्‍टात्‍मा केँ, जे देखऽ मे बेङ जकाँ लगैत छल, बहराइत देखलहुँ।
13 E da boca do dragão, e da boca da besta, e da boca do falso profeta, vi saírem três espíritos imundos, semelhantes a rãs.
14 ई सभ चमत्‍कार देखाबऽ वला दुष्‍टात्‍मा सभ अछि। ओ सभ समस्‍त संसारक राजा सभ लग जा कऽ ओकरा सभ केँ जमा करैत अछि जाहि सँ “सर्वशक्‍तिमान परमेश्‍वरक महान् दिन” अयला पर ओ सभ युद्ध करय।
14 Pois são espíritos de demônios, que operam sinais; os quais vão ao encontro dos reis de todo o mundo, para os congregar para a batalha do grande dia do Deus Todo-Poderoso.
15 “देखह, हम चोर जकाँ आबि रहल छी! धन्‍य अछि ओ जे जागल रहैत अछि आ अपन वस्‍त्र अपना संग रखैत अछि जाहि सँ ओ नाङट नहि बहराय आ लोक ओकर नग्‍नता नहि देखैक।”
15 {Eis que venho como ladrão. Bem-aventurado aquele que vigia, e guarda as suas vestes, para que não ande nu, e não se veja a sua nudez.}
16 ओ अशुद्ध आत्‍मा सभ राजा सभ केँ ओहि स्‍थान पर जमा कयलक जे इब्रानी भाषा मे हर-मगिदोन कहबैत अछि।
16 E eles os congregaram no lugar que em hebraico se chama Armagedom.
17 तखन सातम स्‍वर्गदूत अपन कटोरा हवा मे उझिललनि। मन्‍दिरक सिंहासन सँ बहुत जोरक आवाज मे ई कहैत सुनाइ देलक, “समाप्‍त भऽ गेल!”
17 O sétimo anjo derramou a sua taça no ar; e saiu uma grande voz do santuário, da parte do trono, dizendo: Está feito.
18 एहि पर बिजुली चमकऽ लागल, मेघक गोंगिअयबाक आ तड़कबाक आवाज होमऽ लागल आ बहुत भारी भूकम्‍‍प भेल। ओ भूकम्‍‍प एतेक भारी छल जे पृथ्‍वी पर मनुष्‍यक उत्‍पत्ति सँ लऽ कऽ आइ तक कहियो नहि ओहन भूकम्‍‍प भेल छल।
18 E houve relâmpagos e vozes e trovões; houve também um grande terremoto, qual nunca houvera desde que há homens sobre a terra, terremoto tão forte quão grande;
19 ओहि भूकम्‍‍प सँ महानगरक तीन टुकड़ा भऽ गेल आ संसारक राष्‍ट्र सभक नगर सभ खण्‍डहर भऽ गेल। परमेश्‍वर महानगर बेबिलोन केँ स्‍मरण कयलनि और अपन भयंकर क्रोधक मदिरा ओकरा पिऔलनि।
19 e a grande cidade fendeu-se em três partes, e as cidades das nações caíram; e Deus lembrou-se da grande Babilônia, para lhe dar o cálice do vinho do furor da sua ira.
20 सभ द्वीप विलीन भऽ गेल आ पहाड़ सभक पता नहि चलल।
20 Todas ilhas fugiram, e os montes não mais se acharam.
21 आकाश सँ मन-मन भरि केँ बड़का-बड़का पाथर मनुष्‍य सभ पर खसऽ लागल। पाथरक वर्षाक कारणेँ मनुष्‍य सभ परमेश्‍वरक निन्‍दा कयलक, किएक तँ ई विपत्ति अत्‍यन्‍त भयंकर छल।
21 E sobre os homens caiu do céu uma grande saraivada, pedras quase do peso de um talento; e os homens blasfemaram de Deus por causa da praga da saraivada; porque a sua praga era mui grande.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.