Apocalipse 11
jivən səndesh (MAI) vs NVT
1 तकरबाद हमरा एकटा नापऽ वला लग्गा देल गेल आ कहल गेल जे, “उठह, परमेश्वरक मन्दिर आ वेदी केँ नापह और मन्दिर मे आराधना कयनिहार सभक गिनती करह।
1 Depois disso, recebi uma vara de medir e me foi dito: “Vá e tire as medidas do templo de Deus e do altar, e conte o número de adoradores.
2 मुदा मन्दिरक बाहरी आङन केँ छोड़ि दहक, ओकरा नहि नापह, किएक तँ ओ परमेश्वर केँ नहि चिन्हऽ वला जातिक लोक सभ केँ देल गेल अछि। ओ सभ बयालीस महिना तक पवित्र नगर केँ लतमरदनि करैत रहत।
2 Mas não meça o pátio exterior, porque ele foi entregue às nações. Elas pisotearão a cidade santa durante 42 meses.
3 हम अपन दूनू गवाह केँ अधिकार देबैक जे ओ सभ चट्टी ओढ़ि कऽ एक हजार दू सय साठि दिन तक हमरा सँ पाओल सम्बादक प्रचार करथि।”
3 Darei autoridade a minhas duas testemunhas, e elas se vestirão de pano de saco e profetizarão durante 1.260 dias”.
4 ई दूनू गवाह दूनू जैतूनक गाछ आ दीप राखऽ वला दूनू लाबनि छथि जे तिनका सामने मे ठाढ़ रहैत छथि जे पृथ्वीक प्रभु छथि।
4 Essas duas testemunhas são as duas oliveiras e os dois candelabros que estão diante do Senhor de toda a terra.
5 जँ केओ हिनका सभ केँ हानि पहुँचयबाक कोशिश करत, तँ हिनका सभक मुँह सँ आगि बहरा कऽ ओहि दुश्मन सभ केँ भस्म कऽ देतैक। जे केओ हिनका सभक हानि पहुँचाबऽ चाहत, तकर विनाश एहि तरहेँ निश्चित अछि।
5 Se alguém tentar lhes fazer mal, da boca lhes sairá fogo e consumirá seus inimigos. Assim deve morrer quem tentar lhes fazer mal.
6 हिनका सभ केँ अधिकार छनि जे आकाशक द्वारि बन्द कऽ देथि, जाहि सँ ई सभ जहिया तक प्रभु सँ पाओल सम्बादक प्रचार करताह, तहिया तक वर्षा नहि होइक। हिनका सभ केँ इहो अधिकार छनि जे, जलस्रोत केँ खून बना देथि आ जतेक बेर चाहथि, पृथ्वी पर सभ प्रकारक महामारी पठबथि।
6 Elas têm poder para fechar o céu, a fim de que não chova durante o tempo que profetizarem, e têm poder para transformar as águas em sangue e para ferir a terra com pragas de toda espécie, quantas vezes desejarem.
7 जखन ओ सभ अपन गवाही देबाक काज समाप्त कऽ लेताह तँ ओ जानबर जे अथाह कुण्ड मे सँ बहराइत अछि, से हुनका सभ पर आक्रमण करत आ हुनका सभ केँ पराजित कऽ कऽ मारि देतनि।
7 Quando tiverem concluído seu testemunho, a besta que vem do abismo lutará contra elas, e ela as vencerá e as matará.
8 हुनका सभक लास ओहि महानगरक सड़क पर पड़ल रहतनि, जतऽ हुनका सभक प्रभु केँ सेहो क्रूस पर चढ़ा कऽ मारि देल गेल छलनि और जे तुलनात्मक रूप मे “सदोम” आ “मिस्र” कहबैत अछि।
8 Os corpos ficarão estendidos na rua principal da grande cidade, chamada figuradamente “Sodoma” e “Egito”, onde seu Senhor foi crucificado.
9 साढ़े तीन दिन तक प्रत्येक राष्ट्र, कुल, भाषा आ जातिक लोक हुनका सभक लास केँ देखैत रहत आ ओहि लास सभ केँ कबर मे नहि राखऽ देत।
9 Durante três dias e meio, todos os povos, tribos, línguas e nações olharão para esses corpos, e ninguém terá permissão de sepultá-los.
10 पृथ्वीक निवासी सभ हुनका सभक मृत्यु सँ प्रसन्न होयत आ एक-दोसर केँ उपहार पठा कऽ आनन्द मनाओत, किएक तँ परमेश्वरक ई दूनू प्रवक्ता पृथ्वीक निवासी सभ केँ बहुत कष्ट पहुँचौने छलाह।
10 Os habitantes da terra festejarão e trocarão presentes entre si para comemorar a morte dos dois profetas que os haviam atormentado.
11 मुदा साढ़े तीन दिनक बाद परमेश्वरक दिस सँ हुनका दूनू मे जीवनक साँस आबि गेलनि आ ओ सभ उठि कऽ ठाढ़ भऽ गेलाह। तखन सभ देखनिहारक मोन मे भयंकर डर सन्हिया गेलैक।
11 Depois de três dias e meio, porém, Deus soprou vida nos dois profetas, e eles se levantaram, enchendo de terror os que os viram.
12 तखने स्वर्ग सँ ऊँच आवाज मे एक स्वर हुनका सभ केँ ई कहैत सुनाइ देलक जे, “एतऽ ऊपर आबह,” आ ओ दूनू गोटे अपन दुश्मन सभक आँखिक सामने मेघ बाटे स्वर्ग मे चल गेलाह।
12 Então uma forte voz do céu disse aos dois: “Subam aqui!”. E eles subiram ao céu numa nuvem, sob o olhar de seus inimigos.
13 ओही घड़ी बड़का भूकम्प भेल आ नगरक दसम भाग माटि मे मिलि गेल। ओहि भूकम्प सँ सात हजार लोक मारल गेल आ बाँचल लोक सभ भयभीत भऽ स्वर्ग मे विराजमान रहऽ वला परमेश्वरक महिमाक गुणगान करऽ लागल।
13 Nesse momento, houve um grande terremoto que destruiu um décimo da cidade. Sete mil pessoas morreram, e as que restaram ficaram aterrorizadas e deram glória ao Deus do céu.
14 दोसर विपत्ति समाप्त भऽ गेल। देखू, तेसर विपत्ति जल्दिए आबऽ वला अछि।
14 O segundo terror passou, mas logo vem o terceiro.
15 सातम स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि। एहि पर स्वर्ग मे एना कहैत कतेको आवाज जोर-जोर सँ आबऽ लागल जे,
15 O sétimo anjo tocou sua trombeta, e fortes vozes gritaram no céu: “O reino do mundo se tornou de nosso Senhor e de seu Cristo, e ele reinará para todo o sempre”.
16 तखन चौबीसो धर्मवृद्ध, जे परमेश्वरक सम्मुख अपन-अपन सिंहासन पर बैसल छलाह, से सभ मुँह भरे खसि कऽ परमेश्वरक आराधना करैत कहऽ लगलाह जे,
16 Os 24 anciãos que estavam sentados em seus tronos diante de Deus se prostraram com o rosto em terra e o adoraram,
17 “हे सर्वशक्तिमान प्रभु-परमेश्वर,
17 dizendo: “Nós te agradecemos, Senhor Deus, o Todo-poderoso, que és e que eras, pois agora assumiste teu grande poder e começaste a reinar.
18 जाति-जातिक लोक सभ क्रोधित भेल,
18 As nações se enfureceram, mas agora chegou o tempo de tua ira. É tempo de julgar os mortos e de recompensar teus servos, os profetas, assim como teu povo santo e todos que temem o teu nome, desde os pequenos até os grandes. É tempo de destruir todos que causaram destruição na terra”.
19 तखन परमेश्वरक मन्दिर जे स्वर्ग मे छल से खोलल गेल आ ओहि मन्दिर मे परमेश्वरक “सम्बन्धक साक्षीक सन्दूक” देखाइ देलक। बिजुली चमकऽ लागल, मेघक गोंगिअयबाक आ तड़कबाक आवाज होमऽ लागल, भूकम्प भेल आ बड़का-बड़का पाथर खसऽ लागल।
19 Então se abriu no céu o templo de Deus, e dentro do templo foi vista a arca de sua aliança. Houve relâmpagos, estrondos e trovões, um terremoto e uma grande tempestade de granizo.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.