2 Tessalonicenses 2
jivən səndesh (MAI) vs NVI
1 यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीह जे फेर औताह, ताहि विषय मे, आ अपना सभ जे हुनका लग जमा होयब, ताहि विषय मे हम सभ अहाँ सभ केँ कहि रहल छी—
1 Irmãos, quanto à vinda de nosso Senhor Jesus Cristo e à nossa reencontro com ele, rogamos a vocês
2 केओ जँ ईश्वरीय सम्बाद पयबाक, वा हमरा सभक दिस सँ कोनो सूचना अथवा पत्र प्राप्त करबाक दावा करय जाहि मे ई कहल गेल होअय जे प्रभुक अयबाक दिन आबि चुकल अछि, तँ ताहि सँ अहाँ सभ तुरत्ते भ्रम मे नहि पड़ि जाउ आ ने घबड़ाउ।
2 que não se deixem abalar nem alarmar tão facilmente, quer por profecia, quer por palavra, quer por carta supostamente vinda de nós, como se o dia do Senhor já tivesse chegado.
3 केओ अहाँ सभ केँ कोनो तरहेँ धोखा नहि देबऽ पाबओ, कारण ओ दिन ताबत धरि नहि आओत जाबत धरि परमेश्वरक विरोध मे “महा-विद्रोह” नहि भऽ जायत और ओ “अधर्मक पुरुष”, जकर विनाश निश्चित अछि, से प्रगट नहि भऽ जायत।
3 Não deixem que ninguém os engane de modo algum. Antes daquele dia virá a apostasia e, então, será revelado o homem do pecado, o filho da perdição.
4 ओ ईश्वर कहौनिहार अथवा पूज्य मानल जाय वला प्रत्येक वस्तुक विरोध करैत अपना केँ ओहि सभ सँ एतेक महान् ठहराओत जे परमेश्वरक मन्दिर मे विराजमान भऽ अपना केँ ईश्वर घोषित करत।
4 Este se opõe e se exalta acima de tudo o que se chama Deus ou é objeto de adoração, a ponto de se assentar no santuário de Deus, proclamando que ele mesmo é Deus.
5 की अहाँ सभ केँ याद नहि अछि जे अहाँ सभक बीच रहैत हम ई बात सभ बुझबैत रहैत छलहुँ?
5 Não se lembram de que quando eu ainda estava com vocês costumava lhes falar essas coisas?
6 अहाँ सभ केँ बुझल अछि जे कोन सामर्थ्य ओकरा एखन रोकने छैक जाहि सँ ओ निर्धारित समय पर प्रगट होअय।
6 E agora vocês sabem o que o está detendo, para que ele seja revelado no seu devido tempo.
7 अधर्मक गुप्त शक्ति एखनो अपन काज शुरू कऽ देने अछि, मुदा जाबत धरि ओकरा रोकनिहार केँ हटाओल नहि जायत ताबत धरि ओ ओकरा रोकने रहत।
7 A verdade é que o mistério da iniqüidade já está em ação, restando apenas que seja afastado aquele que agora o detém.
8 तकरबाद ओ अधर्मी पुरुष प्रगट कयल जायत जकरा प्रभु यीशु अपन मुँहक फूक सँ मारि देथिन। प्रभु यीशु महिमा मे आबि कऽ ओकर सर्वनाश कऽ देथिन।
8 Então será revelado o perverso, a quem o Senhor Jesus matará com o sopro de sua boca e destruirá pela manifestação de sua vinda.
9 ओ अधर्मी पुरुष शैतानक सामर्थ्य सँ परिपूर्ण भऽ कऽ आओत। ओ सभ तरहक शक्तिशाली आश्चर्यपूर्ण चिन्ह आ छल-कपट वला चमत्कार देखाओत,
9 A vinda desse perverso é segundo a ação de Satanás, com todo o poder, com sinais e com maravilhas enganadoras.
10 और नाश भेनिहार लोक सभ केँ हर प्रकारक अधर्मक माध्यम सँ धोखा दऽ कऽ फँसाओत। ओ सभ एहि लेल नाश भेनिहार अछि जे ओ सभ ओहि सत्य सँ प्रेम नहि करऽ चाहलक जे सत्य ओकरा सभ केँ बँचा सकैत छलैक।
10 Ele fará uso de todas as formas de engano da injustiça para os que estão perecendo, porquanto rejeitaram o amor à verdade que os poderia salvar.
11 एही लेल परमेश्वर ओकरा सभ मे भ्रमपूर्ण मनोभाव उत्पन्न करैत छथिन जाहि सँ ओ सभ झूठक विश्वास करय।
11 Por essa razão Deus lhes envia um poder sedutor, a fim de que creiam na mentira,
12 एहि तरहेँ जे केओ सत्य पर विश्वास नहि कयलक आ अधर्म मे मग्न रहल से सभ दोषी ठहरि कऽ दण्डित कयल जायत।
12 e sejam condenados todos os que não creram na verdade, mas tiveram prazer na injustiça.
13 यौ भाइ लोकनि, प्रभुक प्रिय लोक, अहाँ सभक लेल हमरा सभ केँ सदिखन परमेश्वर केँ धन्यवाद देबाक अछि, कारण, परमेश्वर शुरुए सँ अहाँ सभ केँ एहि उद्देश्य सँ चुनलनि जे अहाँ सभ हुनकर आत्माक काज द्वारा पवित्र भऽ कऽ और सत्य पर विश्वास कऽ कऽ उद्धार प्राप्त करी।
13 Mas nós, devemos sempre dar graças a Deus por vocês, irmãos amados pelo Senhor, porque desde o princípio Deus os escolheu para serem salvos mediante a obra santificadora do Espírito e a fé na verdade.
14 जे शुभ समाचार हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ ताहि द्वारा परमेश्वर अहाँ सभ केँ एहि उद्धारक लेल बजौलनि, जाहि सँ अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक महिमा मे सहभागी बनी।
14 Ele os chamou para isso por meio de nosso evangelho, a fim de tomarem posse da glória de nosso Senhor Jesus Cristo.
15 तेँ यौ भाइ लोकनि, अपना विश्वास मे स्थिर रहू आ ओहि शिक्षा मे दृढ़ बनल रहू जे अहाँ सभ केँ हमरा सभ सँ मौखिक रूप सँ वा पत्र द्वारा भेटल अछि।
15 Portanto, irmãos, permaneçam firmes e apeguem-se às tradições que lhes foram ensinadas, quer de viva voz, quer por carta nossa.
16 आब स्वयं अपना सभक प्रभु यीशु मसीह और अपना सभक पिता परमेश्वर जे अपना सभ सँ प्रेम कयलनि आ अपना कृपा सँ अनन्त कालीन उत्साह आ अटल आशा देने छथि,
16 Que o próprio Senhor Jesus Cristo e Deus nosso Pai, que nos amou e nos deu eterna consolação e boa esperança pela graça,
17 से अहाँ सभ केँ प्रोत्साहित करैत रहथि और सभ प्रकारक नीक काज करबाक लेल आ नीक बात बजबाक लेल बल दैत रहथि।
17 dê ânimo aos seus corações e os fortaleça para fazerem sempre o bem, tanto em atos como em palavras.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Tessalonicenses 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.