2 Timóteo 1

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 हम, पौलुस, जे परमेश्‍वरक इच्‍छा सँ आ एहि उद्देश्‍य सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी जे हम ओहि जीवनक प्रचार करी जाहि जीवनक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर वचन देने छथि, आ जे मसीह यीशु सँ भेटैत अछि,
1 Eu, Paulo, apóstolo de Cristo Jesus pela vontade de Deus, que fui mandado para anunciar a promessa da vida que temos por estarmos unidos com Cristo Jesus,
2 अपन प्रिय बालक तिमुथियुस केँ ई पत्र लिखि रहल छी।
2 escrevo a você, Timóteo, meu querido filho na fé. Que a
3 हम दिन-राति लगातार अपना प्रार्थना सभ मे अहाँ केँ स्‍मरण कऽ कऽ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि, जिनकर सेवा, जहिना हमर पुरखा सभ कयलनि, तहिना हमहूँ शुद्ध मोन सँ करैत छी।
3 Todas as vezes que lembro de você nas minhas orações, de dia e de noite, eu agradeço a Deus, a quem sirvo com a consciência limpa, como também os meus antepassados serviram.
4 हमरा जखन अहाँक आँखिक नोर स्‍मरण होइत अछि, तँ हमरा बड्ड इच्‍छा होइत अछि जे अहाँ सँ फेर भेँट करी आ भेँट कऽ कऽ बड़का आनन्‍द प्राप्‍त करी।
4 Lembro das suas lágrimas e quero muito ver você outra vez para que eu possa ficar cheio de alegria.
5 अहाँक निष्‍कपट विश्‍वास केँ सेहो हम स्‍मरण करैत छी। ई विश्‍वास सभ सँ पहिने अहाँक नानी लोइस आ अहाँक माय यूनिके मे छल और हमरा पूर्ण भरोसा अछि जे आब अहूँ मे अछि।
5 Lembro da sua fé sincera, a mesma fé que a sua avó Loide e Eunice, a sua mãe, tinham. E tenho a certeza de que é a mesma fé que você tem.
6 तेँ हम अहाँ केँ मोन पाड़ैत छी जे ओहि वरदान केँ क्रियाशील करू, जे परमेश्‍वर अहाँ केँ ताहि समय मे देलनि जखन अहाँ पर हम अपन हाथ रखलहुँ।
6 Por isso quero que você lembre de conservar vivo o dom de Deus que você recebeu quando coloquei as mãos sobre você .
7 परमेश्‍वर तँ अपना सभ केँ डरपोकक आत्‍मा नहि, बल्‍कि सामर्थ्‍य, प्रेम आ आत्‍मसंयमक आत्‍मा प्रदान कयने छथि।
7 Pois o Espírito que Deus nos deu não nos torna medrosos; pelo contrário, o Espírito nos enche de poder e de amor e nos torna prudentes.
8 एहि लेल अहाँ ने तँ अपना सभक प्रभुक साक्षी देबऽ सँ लाज मानू, आ ने तँ हमरा कारणेँ लाजक अनुभव करू, जे हम प्रभुक लेल जहल मे बन्‍दी छी, बल्‍कि परमेश्‍वरक देल सामर्थ्‍य सँ बल पाबि प्रभु यीशु मसीहक सुसमाचारक लेल हमरा संग कष्‍ट सहू।
8 Portanto, não se envergonhe de dar o seu testemunho a favor do nosso Senhor, nem se envergonhe de mim, que estou na cadeia porque sou servo dele. Pelo contrário, com a força que vem de Deus, esteja pronto para sofrer comigo por amor ao evangelho .
9 कारण, परमेश्‍वर अपना सभक उद्धार कयलनि आ अपना सभ केँ पवित्र जीवन बितयबाक लेल बजौलनि। ई उद्धार अपना सभक कयल काजक कारणेँ नहि, बल्‍कि हुनकर अपन उद्देश्‍य आ कृपाक कारणेँ भेल। हुनकर ओ कृपा मसीह यीशुक माध्‍यम सँ संसारक सृष्‍टि सँ पहिने अपना सभ पर कयल गेल छल,
9 Deus nos salvou e nos chamou para sermos o seu povo. Não foi por causa do que temos feito, mas porque este era o seu plano e por causa da sua graça . Ele nos deu essa graça por meio de Cristo Jesus, antes da criação do mundo.
10 मुदा आब आबि कऽ अपना सभक उद्धारकर्ता मसीह यीशुक अयनाइ द्वारा स्‍पष्‍ट रूप सँ देखाइ देलक अछि। प्रभु यीशु मसीह मृत्‍युक विनाश कयलनि और अपन सुसमाचारक माध्‍यम सँ एहि बात केँ प्रकाश मे अनने छथि जे जीवन और अमरत्‍व पयबाक बाट की अछि।
10 Mas agora ela foi revelada a nós por meio do glorioso aparecimento de Cristo Jesus, o nosso Salvador. Ele acabou com o poder da morte e, por meio do evangelho, revelou a vida que dura para sempre.
11 हम एही सुसमाचारक लेल प्रचारक, मसीह-दूत आ शिक्षक नियुक्‍त कयल गेल छी।
11 Deus me escolheu como apóstolo e mestre para anunciar o evangelho.
12 एही कारणेँ हम एतऽ ई कष्‍ट सहि रहल छी, मुदा हम एहि सँ लज्‍जित नहि छी, कारण, हम जनैत छी जे हम किनका पर विश्‍वास कयने छी और हमरा कनेको सन्‍देह नहि अछि जे, जे किछु हम हुनका रखबाक लेल सौंपि देने छियनि, तकरा ओ अपन अयबाक दिन तक सुरक्षित राखऽ मे सामर्थ्‍यवान छथि।
12 É por isso que sofro essas coisas. Mas eu ainda tenho muita confiança, pois sei em quem tenho crido e estou certo de que ele é poderoso para guardar, até aquele dia , aquilo que ele me confiou.
13 जे शिक्षा अहाँ हमरा सँ पौने छी, तकरा सही शिक्षाक नमूना मानि, मसीह यीशु सँ प्राप्‍त विश्‍वास आ प्रेम मे स्‍थिर रहि कऽ लोक सभ केँ सिखाउ।
13 Tome como modelo os ensinamentos verdadeiros que eu lhe dei e fique firme na fé e no amor que temos por estarmos unidos com Cristo Jesus.
14 और पवित्र आत्‍मा, जे अपना सभ मे वास करैत छथि, तिनका सहायता सँ, उत्तम धनक रूप मे जे शुभ समाचार अहाँक जिम्‍मा मे देल गेल अछि, तकरा सुरक्षित राखू।
14 Por meio do poder do Espírito Santo, que vive em nós, guarde esse precioso tesouro que foi entregue a você.
15 अहाँ जनैत छी जे आसिया प्रदेशक सभ केओ हमर संग छोड़ि देलक अछि, जाहि मे फुगिलुस और हिरमुगिनेस सेहो अछि।
15 Você já sabe que todos os irmãos da província da Ásia, inclusive Fígelo e Hermógenes, me abandonaram.
16 उनेसिफुरुसक घरक लोक सभ पर परमेश्‍वर अपन दया कयने रहथुन, कारण, ओ कतेको बेर हमर उत्‍साह बढ़ौलनि और हमर एहि जंजीर सभ सँ लज्‍जित नहि भेलाह,
16 Que o Senhor seja bondoso com a família de Onesíforo, pois muitas vezes ele me animou e não teve vergonha de mim por eu estar na cadeia!
17 बल्‍कि रोम पहुँचि कऽ हमर पता लगयबाक लेल बहुतो कष्‍ट उठौलनि आ हमरा सँ भेँट कयलनि।
17 Pelo contrário, logo que chegou a Roma, ele me procurou até me encontrar.
18 प्रभु करथि जे हुनकर अपन अयबाक दिन मे उनेसिफुरुस परमेश्‍वरक दया पबथि। ओ इफिसुस मे हमर जे-जतेक सेवा कयलनि से अहाँ नीक जकाँ जनैत छी।
18 Que o Senhor dê a ele a certeza de que naquele dia ele receberá a sua misericórdia! E você sabe melhor do que eu o quanto ele me ajudou em Éfeso.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Timóteo 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.