2 Timóteo 1
jivən səndesh (MAI) vs BKJ
1 हम, पौलुस, जे परमेश्वरक इच्छा सँ आ एहि उद्देश्य सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी जे हम ओहि जीवनक प्रचार करी जाहि जीवनक सम्बन्ध मे परमेश्वर वचन देने छथि, आ जे मसीह यीशु सँ भेटैत अछि,
1 Paulo, apóstolo de Jesus Cristo, pela vontade de Deus, segundo a promessa da vida que está em Cristo Jesus,
2 अपन प्रिय बालक तिमुथियुस केँ ई पत्र लिखि रहल छी।
2 a Timóteo, meu amado filho: Graça, misericórdia e paz, da parte de Deus o Pai, e da de Cristo Jesus nosso Senhor.
3 हम दिन-राति लगातार अपना प्रार्थना सभ मे अहाँ केँ स्मरण कऽ कऽ परमेश्वर केँ धन्यवाद दैत छियनि, जिनकर सेवा, जहिना हमर पुरखा सभ कयलनि, तहिना हमहूँ शुद्ध मोन सँ करैत छी।
3 Dou graças a Deus, a quem sirvo desde os meus antepassados com uma consciência pura, porque sem cessar faço menção de ti nas minhas orações, noite e dia;
4 हमरा जखन अहाँक आँखिक नोर स्मरण होइत अछि, तँ हमरा बड्ड इच्छा होइत अछि जे अहाँ सँ फेर भेँट करी आ भेँट कऽ कऽ बड़का आनन्द प्राप्त करी।
4 desejando muito ver-te, lembrando-me das tuas lágrimas, para me encher de alegria;
5 अहाँक निष्कपट विश्वास केँ सेहो हम स्मरण करैत छी। ई विश्वास सभ सँ पहिने अहाँक नानी लोइस आ अहाँक माय यूनिके मे छल और हमरा पूर्ण भरोसा अछि जे आब अहूँ मे अछि।
5 trazendo à memória a fé não fingida que há em ti, a qual habitou primeiro em tua avó Loide e em tua mãe Eunice, e estou convencido de que também habita em ti.
6 तेँ हम अहाँ केँ मोन पाड़ैत छी जे ओहि वरदान केँ क्रियाशील करू, जे परमेश्वर अहाँ केँ ताहि समय मे देलनि जखन अहाँ पर हम अपन हाथ रखलहुँ।
6 Por este motivo, te lembro que despertes o dom de Deus, que está em ti pela imposição das minhas mãos.
7 परमेश्वर तँ अपना सभ केँ डरपोकक आत्मा नहि, बल्कि सामर्थ्य, प्रेम आ आत्मसंयमक आत्मा प्रदान कयने छथि।
7 Deus não nos deu o espírito de medo, mas de poder, e de amor, e de uma mente sã.
8 एहि लेल अहाँ ने तँ अपना सभक प्रभुक साक्षी देबऽ सँ लाज मानू, आ ने तँ हमरा कारणेँ लाजक अनुभव करू, जे हम प्रभुक लेल जहल मे बन्दी छी, बल्कि परमेश्वरक देल सामर्थ्य सँ बल पाबि प्रभु यीशु मसीहक सुसमाचारक लेल हमरा संग कष्ट सहू।
8 Portanto, não te envergonhes do testemunho de nosso Senhor, nem de mim, que sou prisioneiro seu; antes, participa das aflições do evangelho, segundo o poder de Deus;
9 कारण, परमेश्वर अपना सभक उद्धार कयलनि आ अपना सभ केँ पवित्र जीवन बितयबाक लेल बजौलनि। ई उद्धार अपना सभक कयल काजक कारणेँ नहि, बल्कि हुनकर अपन उद्देश्य आ कृपाक कारणेँ भेल। हुनकर ओ कृपा मसीह यीशुक माध्यम सँ संसारक सृष्टि सँ पहिने अपना सभ पर कयल गेल छल,
9 que nos salvou e nos chamou com uma santa vocação; não segundo as nossas obras, mas segundo o seu próprio propósito e graça que nos foi dada em Cristo Jesus, antes do começo do mundo,
10 मुदा आब आबि कऽ अपना सभक उद्धारकर्ता मसीह यीशुक अयनाइ द्वारा स्पष्ट रूप सँ देखाइ देलक अछि। प्रभु यीशु मसीह मृत्युक विनाश कयलनि और अपन सुसमाचारक माध्यम सँ एहि बात केँ प्रकाश मे अनने छथि जे जीवन और अमरत्व पयबाक बाट की अछि।
10 e que agora se faz manifesto, pela aparição de nosso Salvador Jesus Cristo, o qual aboliu a morte e trouxe a vida e a imortalidade à luz por meio do evangelho,
11 हम एही सुसमाचारक लेल प्रचारक, मसीह-दूत आ शिक्षक नियुक्त कयल गेल छी।
11 para o que fui nomeado pregador, e apóstolo, e um mestre dos gentios;
12 एही कारणेँ हम एतऽ ई कष्ट सहि रहल छी, मुदा हम एहि सँ लज्जित नहि छी, कारण, हम जनैत छी जे हम किनका पर विश्वास कयने छी और हमरा कनेको सन्देह नहि अछि जे, जे किछु हम हुनका रखबाक लेल सौंपि देने छियनि, तकरा ओ अपन अयबाक दिन तक सुरक्षित राखऽ मे सामर्थ्यवान छथि।
12 por cuja causa sofro também estas coisas, mas não me envergonho, porque eu sei em quem tenho crido e estou convencido de que ele é poderoso para guardar o que tenho confiado nele até aquele dia.
13 जे शिक्षा अहाँ हमरा सँ पौने छी, तकरा सही शिक्षाक नमूना मानि, मसीह यीशु सँ प्राप्त विश्वास आ प्रेम मे स्थिर रहि कऽ लोक सभ केँ सिखाउ।
13 Conserva o modelo das sãs palavras que tens ouvido de mim, na fé e no amor que há em Cristo Jesus.
14 और पवित्र आत्मा, जे अपना सभ मे वास करैत छथि, तिनका सहायता सँ, उत्तम धनक रूप मे जे शुभ समाचार अहाँक जिम्मा मे देल गेल अछि, तकरा सुरक्षित राखू।
14 Guarda aquilo que a ti foi confiado pelo Espírito Santo que habita em nós.
15 अहाँ जनैत छी जे आसिया प्रदेशक सभ केओ हमर संग छोड़ि देलक अछि, जाहि मे फुगिलुस और हिरमुगिनेस सेहो अछि।
15 Bem sabes isto, que todos os que estão na Ásia se apartaram de mim; entre os quais estão Figelo e Hermógenes.
16 उनेसिफुरुसक घरक लोक सभ पर परमेश्वर अपन दया कयने रहथुन, कारण, ओ कतेको बेर हमर उत्साह बढ़ौलनि और हमर एहि जंजीर सभ सँ लज्जित नहि भेलाह,
16 O Senhor conceda misericórdia à casa de Onesíforo, porque muitas vezes me revigorou e não se envergonhou da minha cadeia;
17 बल्कि रोम पहुँचि कऽ हमर पता लगयबाक लेल बहुतो कष्ट उठौलनि आ हमरा सँ भेँट कयलनि।
17 mas quando esteve em Roma, me procurou diligentemente e me achou.
18 प्रभु करथि जे हुनकर अपन अयबाक दिन मे उनेसिफुरुस परमेश्वरक दया पबथि। ओ इफिसुस मे हमर जे-जतेक सेवा कयलनि से अहाँ नीक जकाँ जनैत छी।
18 O Senhor lhe conceda que ache misericórdia diante do Senhor naquele dia. E, quantas coisas ele ministrou a mim em Éfeso, tu sabes muito bem.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Timóteo 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.