2 Coríntios 8

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ केँ ओहि कृपाक विषय मे सुनाबऽ चाहैत छी जे मकिदुनिया प्रदेशक मण्‍डली सभ केँ परमेश्‍वरक दिस सँ प्राप्‍त भेल अछि—
1 Também, irmãos, vos fazemos conhecer a graça de Deus concedida às igrejas da Macedônia;
2 संकटक अग्‍नि-परीक्षा मे रहितो हुनका सभ मेहक उमड़ैत आनन्‍द आ हुनका सभक घोर गरीबी हुनका सभक मोन केँ एहन बना देलकनि जे ओ सभ पूरा तन-मन-धन सँ बेसी सँ बेसी दान देबाक लेल तैयार छलाह।
2 porque, no meio de muita prova de tribulação, manifestaram abundância de alegria, e a profunda pobreza deles superabundou em grande riqueza da sua generosidade.
3 हम गवाही दैत छी जे ओ सभ अपने इच्‍छा सँ अपन क्षमताक अनुसार आ क्षमतो सँ बेसी देलनि।
3 Porque eles, testemunho eu, na medida de suas posses e mesmo acima delas, se mostraram voluntários,
4 ओ सभ हमरा सभ सँ बेर-बेर विनती करैत जोर देलनि जे हम सभ हुनको सभ केँ प्रभुक लोक सभक सहायता करऽ मे सहभागी होयबाक अवसर दियनि।
4 pedindo-nos, com muitos rogos, a graça de participarem da assistência aos santos.
5 ओ सभ एहि बात मे हमरा सभक आशा सँ बढ़ि कऽ निकललाह। ओ सभ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार सभ सँ पहिने परमेश्‍वरक प्रति, तखन हमरा सभक प्रति, अपना केँ समर्पित कऽ देलनि।
5 E não somente fizeram como nós esperávamos, mas também deram-se a si mesmos primeiro ao Senhor, depois a nós, pela vontade de Deus;
6 तेँ हम सभ तीतुस केँ अनुरोध कयलहुँ जे ओ जखन पहिनहि सँ अहाँ सभक बीच ई दान देबऽ वला काज शुरू करौने छलाह, तँ आब ओकरा पूरा करऽ मे सेहो अहाँ सभक सहायता करथि।
6 o que nos levou a recomendar a Tito que, como começou, assim também complete esta graça entre vós.
7 जहिना अहाँ सभ प्रत्‍येक बात मे आगाँ बढ़ल छी, अर्थात् विश्‍वास मे, बाजऽ मे, ज्ञान मे, पूर्ण समर्पणता मे आ हमरा सभक प्रति प्रेम मे, तहिना अहाँ सभ खुशी मोन सँ दान देबऽ मे सेहो आगाँ रहू।
7 Como, porém, em tudo, manifestais superabundância, tanto na fé e na palavra como no saber, e em todo cuidado, e em nosso amor para convosco, assim também abundeis nesta graça.
8 हम अहाँ सभ केँ आदेश नहि दऽ रहल छी, बल्‍कि एहि बातक चर्चा कऽ कऽ जे दोसर लोक सभ दान देबाक लेल कोना तत्‍पर रहैत अछि ई जाँचऽ चाहैत छी जे अहाँ सभक प्रेम कतेक पक्‍का अछि।
8 Não vos falo na forma de mandamento, mas para provar, pela diligência de outros, a sinceridade do vosso amor;
9 किएक तँ अहाँ सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा केँ जनैत छी जे धनिक होइतो ओ अहाँ सभक लेल गरीब बनि गेलाह, जाहि सँ अहाँ सभ हुनकर गरीब बनला सँ धनिक बनि जाइ।
9 pois conheceis a graça de nosso Senhor Jesus Cristo, que, sendo rico, se fez pobre por amor de vós, para que, pela sua pobreza, vos tornásseis ricos.
10 आब एहि विषय मे अहाँ सभक लेल की नीक होयत ताहि सम्‍बन्‍ध मे हम अपन सल्‍लाह दऽ रहल छी—एक वर्ष पहिने अहीं सभ दान देबहे मे नहि, बल्‍कि दान देबाक इच्‍छा करऽ मे सेहो सभ सँ पहिल छलहुँ।
10 E nisto dou minha opinião; pois a vós outros, que, desde o ano passado, principiastes não só a prática, mas também o querer, convém isto.
11 एहि दान वला काज केँ आब पूरा कऽ लिअ, जाहि सँ जहिना इच्‍छा करऽ मे तत्‍पर छलहुँ तहिना अपन सामर्थ्‍यक अनुसार दान दऽ कऽ एहि काज केँ पूरो करी।
11 Completai, agora, a obra começada, para que, assim como revelastes prontidão no querer, assim a leveis a termo, segundo as vossas posses.
12 किएक तँ जँ केओ देबाक लेल इच्‍छुक अछि तँ ओकरा लग जे किछु छैक तकरा अनुसार दान ग्रहणयोग्‍य ठहराओल जयतैक, नहि कि तकरा अनुसार जे ओकरा लग नहि छैक।
12 Porque, se há boa vontade, será aceita conforme o que o homem tem e não segundo o que ele não tem.
13 हमर कहबाक तात्‍पर्य ई नहि जे, अहाँ सभ दोसर लोक केँ कष्‍ट सँ बचा कऽ अपने कष्‍ट मे पड़ि जाइ, बल्‍कि ई जे, सभ मे समानता होअय।
13 Porque não é para que os outros tenham alívio, e vós, sobrecarga; mas para que haja igualdade,
14 एहि समय मे अहाँ सभक सम्‍पन्‍नता हुनका सभक अभावक पूर्ति करत जाहि सँ कहियो हुनका सभक सम्‍पन्‍नता अहाँ सभक अभावक पूर्ति करय आ एहि तरहेँ समानताक स्‍थिति रहि सकय।
14 suprindo a vossa abundância, no presente, a falta daqueles, de modo que a abundância daqueles venha a suprir a vossa falta, e, assim, haja igualdade,
15 धर्मशास्‍त्रक लेख सेहो अछि जे, “जे अपना लेल बहुत जमा कयलक तकरा लग फाजिल नहि भेलैक, आ जे अपना लेल कनेके जमा कयलक तकरा अभाव नहि रहलैक।”
15 como está escrito: O que muito colheu não teve demais; e o que pouco, não teve falta.
16 परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद होनि जे ओ तीतुसक हृदय मे सेहो अहाँ सभक लेल एहने चिन्‍ता रखने छथिन जेहन हमरा हृदय मे अछि।
16 Mas graças a Deus, que pôs no coração de Tito a mesma solicitude por amor de vós;
17 किएक तँ ओ हमरा सभक अनुरोध खुशी-खुशी स्‍वीकारे नहि कयलनि, बल्‍कि अहाँ सभ लग उत्‍साहपूर्बक आ अपन इच्‍छा सँ जा रहल छथि।
17 porque atendeu ao nosso apelo e, mostrando-se mais cuidadoso, partiu voluntariamente para vós outros.
18 हम सभ हुनका संग ओहि भाय केँ सेहो पठा रहल छी जे सुसमाचार सम्‍बन्‍धी काज मे विश्‍वासयोग्‍य रहबाक कारणेँ सभ मण्‍डली मे प्रशंसाक पात्र छथि।
18 E, com ele, enviamos o irmão cujo louvor no evangelho está espalhado por todas as igrejas.
19 एतबे नहि, बल्‍कि मण्‍डली सभ सेहो हुनका चुनने छनि जे ओ जमा कयल दान केँ पहुँचयबाक लेल हमरा सभक संग जाथि। हम सभ ई सेवा-काज एहन तरीका सँ करैत छी जाहि सँ प्रभुक महिमा आ हमरा सभक परोपकार करबाक उत्‍सुकता देखाइ देअय।
19 E não só isto, mas foi também eleito pelas igrejas para ser nosso companheiro no desempenho desta graça ministrada por nós, para a glória do próprio Senhor e para mostrar a nossa boa vontade;
20 हम सभ एहि लेल एहन सावधानी रखैत छी जाहि सँ एहि बड़का दानक प्रबन्‍ध मे केओ हमरा सभ पर दोष नहि लगाबऽ पाबय।
20 evitando, assim, que alguém nos acuse em face desta generosa dádiva administrada por nós;
21 किएक तँ हम सभ मात्र प्रभुएक दृष्‍टि मे नहि, बल्‍कि मनुष्‍य सभक दृष्‍टि मे सेहो ठीक सँ काज करबाक ध्‍यान रखैत छी।
21 pois o que nos preocupa é procedermos honestamente, não só perante o Senhor, como também diante dos homens.
22 एहि दूनू गोटेक संग हम सभ अपन एकटा आरो भाय केँ सेहो पठा रहल छी, जे कतेको बेर आ बहुतो बात मे अपन उत्‍साह प्रमाणित कयने छथि। अहाँ सभ पर हिनका बहुत भरोसा छनि तेँ हिनकर उत्‍साह आरो बढ़ल छनि।
22 Com eles, enviamos nosso irmão cujo zelo, em muitas ocasiões e de muitos modos, temos experimentado; agora, porém, se mostra ainda mais zeloso pela muita confiança em vós.
23 तीतुसक विषय मे हम ई कहब जे ओ हमर सहयोगी छथि आ अहाँ सभक सेवा करऽ मे हमरा संग काज करैत छथि, और एहि भाय सभक विषय मे ई, जे ई सभ मण्‍डली सभक पठाओल प्रतिनिधि छथि आ हिनका सभक जीवन सँ मसीह केँ सम्‍मान होइत छनि।
23 Quanto a Tito, é meu companheiro e cooperador convosco; quanto a nossos irmãos, são mensageiros das igrejas e glória de Cristo.
24 एहि लेल अहाँ सभ हिनका सभ केँ अपन प्रेमक प्रमाण दिअ आ एहि बातक प्रमाण सेहो दिअ जे हम सभ अहाँ सभ पर कोन कारणेँ गर्व करैत छी, जाहि सँ मण्‍डली सभ ई बात बुझत जे हमर सभक गर्व सही आधार पर कयल गेल अछि।
24 Manifestai, pois, perante as igrejas, a prova do vosso amor e da nossa exultação a vosso respeito na presença destes homens.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.