2 Coríntios 4
jivən səndesh (MAI) vs AAI
1 एहि लेल, परमेश्वरक दया सँ हमरा सभ केँ ई सेवा-काज भेटबाक कारणेँ हम सभ कखनो साहस नहि छोड़ैत छी।
1 Isanimih God ana kabeberamaim iti bowabow bowamih itit, imih men gubamit ehuhuriramih.
2 हम सभ ठोस निर्णय लेने छी जे कोनो नीचता वला गुप्त काज नहि करब। हम सभ ने तँ छल-कपट करैत छी आ ने परमेश्वरक वचन मे हेर-फेर करैत छी, बल्कि हम सभ स्पष्ट रूप सँ सत्य प्रस्तुत कऽ कऽ प्रचार करैत छी। एहि सँ प्रत्येक मनुष्य देखि सकैत अछि जे हम सभ परमेश्वर केँ उपस्थित मानि शुद्ध मोन सँ सत्यक प्रचार करैत छी।
2 Baise yawas biya’ohow hai sinaf kakafih wa’iwa’irih etei hima’am i tabihamiyen, men tabifufuwen o God ana tur tabobotabir kakafemih. Turobe tabibinan, God it ata sifroubonayan, saise afa so’obayah boro hinitutumit.
3 जँ हमरा सभक सुसमाचार पर परदा पड़ल अछिओ तँ ई परदा तकरे सभक लेल पड़ल अछि जे सभ विनाशक मार्ग पर चलि रहल अछि।
3 It tur gewasin tabibinan sabuw isah men nabirerereb na’at iyab kasikasiyih tema’am i boro kasiyomaim hinama.
4 शैतान, जे एहि संसारक ईश्वर अछि, से ओहि अविश्वासी सभक बुद्धि केँ आन्हर बना देने छैक जाहि सँ ओ सभ परमेश्वरक प्रतिरूप, जे मसीह छथि, तिनकर महिमाक इजोत जे सुसमाचार द्वारा प्रगट कयल गेल अछि, से नहि देखय।
4 Anayabin iti tafaram ana god baitumatum atih matah bofafaren, imih tur gewasin ana marakaw ekukusisiar men ti’i’itin naatu Keriso ana fair men tesoso’ob, nati tur i God taiyuwin.
5 कारण, हम सभ अपन नहि, बल्कि यीशु मसीहक प्रचार करैत छी जे ओ प्रभु छथि। हम सभ यीशुक सेवा मे अहाँ सभक सेवक छी,
5 Anayabin aki men taiyuwi isai abibinanamih, baise aki tur a binan a’o’orerereb, Jesu Keriso i Regah naatu Keriso wabinamaim abi’akir kwa isa.
6 किएक तँ जे परमेश्वर ई कहलनि जे, “अन्हार मे सँ इजोत चमकओ,” से हमरा सभक मोन मे इजोत चमकौने छथि जाहि सँ हम सभ परमेश्वरक ओ महिमा जानि जाइ जे मसीहक मुँह पर चमकैत छनि।
6 God eo, “Guguminamaim marakaw kukusisiar.” Nati God ta’imon dogorot wanawanan iwa’an marakaw God ana bonamanamarinamaim Keriso yumatanamaim kusisiar ta’itin tasoso’ob.
7 मुदा ई अमूल्य धन माटिक बर्तन सभ मे, अर्थात् हमरा सभ मे, राखल अछि जाहि सँ स्पष्ट होअय जे ई सर्वश्रेष्ठ सामर्थ्य हमरा सभक अपन नहि, बल्कि परमेश्वरक छनि।
7 Baise it iyab ayubit ana sawar gewasih noukwat kamaramaim hibu’ir wanawanan hiya ti’inu’in, ine ebi’obaiyit tasoso’ob fair gagamin i God nowan men it nowatamih.
8 हमरा सभ पर चारू दिस सँ कष्ट अबैत अछि मुदा हम सभ पिचाइत नहि छी, निरुपाय भऽ जाइत छी मुदा निराश नहि छी।
8 It mar etei roun roun yabat erarabit, baise men ebimkweyakweyarit, veya ta i takakasiy, baise ata not men erara’iy.
9 अत्याचार सभ सँ पीड़ित होइत रहैत छी मुदा अपना केँ परमेश्वर द्वारा त्यागल नहि बुझैत छी। खसाओल जाइत छी मुदा नष्ट नहि भऽ जाइत छी।
9 Aki ai rakit moumurin maiyow, baise aki men abigaganamih, veya ta ta i kakafin anababatun wanawanan arur, baise aki men ebi’a’afiyi’imih.
10 हम सभ सदिखन सभ ठाम अपना शरीर मे यीशुक मृत्यु वला दुःख-भोगक अनुभव करैत छी जाहि सँ यीशुक जीवन सेहो हमरा सभक शरीर मे प्रत्यक्ष होअय,
10 Mar etei aki morob wanamaim abatabat Jesu hirab momorob na’atube, saise i ana yawas aki biyai’imaim nirerereb hina’itin.
11 किएक तँ हम सभ जीवित रहितो यीशुक कारणेँ सदिखन मृत्युक हाथ मे सौंपल जाइत छी जाहि सँ हमरा सभक नाशवान शरीर मे यीशुक जीवन प्रगट होअय।
11 Anayabin it iyab yawasit tama’am Jesu wabinamaim it mar etei morobomaim tama’am, saise i ana yawas it biyatamaim nirerereb.
12 एहि तरहेँ हम सभ सदा मृत्युक सामना करैत छी, मुदा तकर परिणाम भेल अहाँ सभक लेल जीवन।
12 Isan imih, iti ebi’obaiyit morob aki bairi ama areremor baise yawas i kwa bairi kwama’am.
13 धर्मशास्त्र मे केओ कहने अछि, “हम विश्वास कयलहुँ, एहि लेल हम बजलहुँ।” विश्वासक वैह आत्मा हमरो सभ मे होयबाक कारणेँ हमहूँ सभ विश्वास करैत छी आ तेँ बजैत छी,
13 God ana tur Buk Atamaninamaim hikirum hio, “Ayu ao anayabin ayu abitumatum.” Nati ayubin ana baitumatum ta’imon aki auman a’o anayabin abitumatum.
14 कारण, हम सभ ई जनैत छी जे, ओ जे प्रभु यीशु केँ मृत्यु सँ जिऔलनि, वैह हमरो सभ केँ यीशुक संग जिऔताह, आ अहाँ सभक संग हमरो सभ केँ अपना सम्मुख उपस्थित करताह।
14 Anayabin aki aso’ob God Regah Jesu morobone biyawas, kwa bairit tanita’imon God nanamaim tanabat.
15 ई सभ किछु अहाँ सभक हितक लेल भऽ रहल अछि जाहि सँ आरो-आरो लोकक बीच परमेश्वरक कृपा बढ़ल जयबाक कारणेँ, परमेश्वरक स्तुति मे धन्यवादक प्रार्थना अधिक सँ अधिक बढ़ैत जाय।
15 Sawar tutufin hinamamatar i kwa a gewasin isan. Imih God ana kabeber sabuw moumurih tafahimaim nasuwa, sabuw boro tafan nayababar hinamour hinamisir merarayow God hinitin naatu God ana fair hinabora’ara’ah.
16 यैह कारण अछि जे हम सभ साहस नहि छोड़ैत छी। ओना तँ हमरा सभक बाहरी शारीरिक बल घटल जा रहल अछि तैयो हमरा सभक भितरी आत्मिक बल दिन प्रति दिन नव भेल जा रहल अछि।
16 Ana’an nati Isan it men gubamit nahurir, basit it biyat eriririm baise wanawanat mar etei ebiboubun.
17 किएक तँ हमरा सभक पल भरिक ई हल्लुक कष्ट हमरा सभक लेल अतुल्य और अनन्त कालीन महिमा तैयार कऽ रहल अछि।
17 Anayabin it biyababan naatu bai’akir i men gagamin naatu boro men manin, baise iti biyababan naatu bai’akir imaim boro God ana toto ana buyoy ma’ama wanatowan kwanatarakwib kwanab.
18 तेँ हमरा सभक नजरि ओहि वस्तु सभ पर टिकल नहि अछि जे देखाइ दैत अछि, बल्कि ओहि वस्तु सभ पर जे आँखि सँ नहि देखल जा सकैत अछि, किएक तँ देखाइ पड़ऽ वला वस्तु सभ तँ कनेके काल टिकैत अछि, मुदा जे वस्तु सभ देखल नहि जा सकैत अछि, से अनन्त काल तक बनल रहैत अछि।
18 Anayabin it i sawar ta’i’itah isah matat takubar tama ta’i’itinkikin, baise sawar wa’iwa’irih isah men tama tanuwanuwamih. Sawar abistan ta’i’itah i boro men manin hinama, baise sawar abistan wa’iwa’irih i boro hinama wanatowan.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.