2 Coríntios 4

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 एहि लेल, परमेश्‍वरक दया सँ हमरा सभ केँ ई सेवा-काज भेटबाक कारणेँ हम सभ कखनो साहस नहि छोड़ैत छी।
1 Pelo que, tendo este ministério, assim como já alcançamos misericórdia, não desfalecemos;
2 हम सभ ठोस निर्णय लेने छी जे कोनो नीचता वला गुप्‍त काज नहि करब। हम सभ ने तँ छल-कपट करैत छी आ ने परमेश्‍वरक वचन मे हेर-फेर करैत छी, बल्‍कि हम सभ स्‍पष्‍ट रूप सँ सत्‍य प्रस्‍तुत कऽ कऽ प्रचार करैत छी। एहि सँ प्रत्‍येक मनुष्‍य देखि सकैत अछि जे हम सभ परमेश्‍वर केँ उपस्‍थित मानि शुद्ध मोन सँ सत्‍यक प्रचार करैत छी।
2 pelo contrário, rejeitamos as coisas ocultas, que são vergonhosas, não andando com astúcia, nem adulterando a palavra de Deus; mas, pela manifestação da verdade, nós nos recomendamos à consciência de todos os homens diante de Deus.
3 जँ हमरा सभक सुसमाचार पर परदा पड़ल अछिओ तँ ई परदा तकरे सभक लेल पड़ल अछि जे सभ विनाशक मार्ग पर चलि रहल अछि।
3 Mas, se ainda o nosso evangelho está encoberto, é naqueles que se perdem que está encoberto,
4 शैतान, जे एहि संसारक ईश्‍वर अछि, से ओहि अविश्‍वासी सभक बुद्धि केँ आन्‍हर बना देने छैक जाहि सँ ओ सभ परमेश्‍वरक प्रतिरूप, जे मसीह छथि, तिनकर महिमाक इजोत जे सुसमाचार द्वारा प्रगट कयल गेल अछि, से नहि देखय।
4 nos quais o deus deste século cegou os entendimentos dos incrédulos, para que lhes não resplandeça a luz do evangelho da glória de Cristo, o qual é a imagem de Deus.
5 कारण, हम सभ अपन नहि, बल्‍कि यीशु मसीहक प्रचार करैत छी जे ओ प्रभु छथि। हम सभ यीशुक सेवा मे अहाँ सभक सेवक छी,
5 Pois não nos pregamos a nós mesmos, mas a Cristo Jesus como Senhor; e a nós mesmos como vossos servos por amor de Jesus.
6 किएक तँ जे परमेश्‍वर ई कहलनि जे, “अन्‍हार मे सँ इजोत चमकओ,” से हमरा सभक मोन मे इजोत चमकौने छथि जाहि सँ हम सभ परमेश्‍वरक ओ महिमा जानि जाइ जे मसीहक मुँह पर चमकैत छनि।
6 Porque Deus, que disse: Das trevas brilhará a luz, é quem brilhou em nossos corações, para iluminação do conhecimento da glória de Deus na face de Cristo.
7 मुदा ई अमूल्‍य धन माटिक बर्तन सभ मे, अर्थात् हमरा सभ मे, राखल अछि जाहि सँ स्‍पष्‍ट होअय जे ई सर्वश्रेष्‍ठ सामर्थ्‍य हमरा सभक अपन नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक छनि।
7 Temos, porém, este tesouro em vasos de barro, para que a excelência do poder seja de Deus, e não da nossa parte.
8 हमरा सभ पर चारू दिस सँ कष्‍ट अबैत अछि मुदा हम सभ पिचाइत नहि छी, निरुपाय भऽ जाइत छी मुदा निराश नहि छी।
8 Em tudo somos atribulados, mas não angustiados; perplexos, mas não desesperados;
9 अत्‍याचार सभ सँ पीड़ित होइत रहैत छी मुदा अपना केँ परमेश्‍वर द्वारा त्‍यागल नहि बुझैत छी। खसाओल जाइत छी मुदा नष्‍ट नहि भऽ जाइत छी।
9 perseguidos, mas não desamparados; abatidos, mas não destruídos;
10 हम सभ सदिखन सभ ठाम अपना शरीर मे यीशुक मृत्‍यु वला दुःख-भोगक अनुभव करैत छी जाहि सँ यीशुक जीवन सेहो हमरा सभक शरीर मे प्रत्‍यक्ष होअय,
10 trazendo sempre no corpo o morrer de Jesus, para que também a vida de Jesus se manifeste em nossos corpos;
11 किएक तँ हम सभ जीवित रहितो यीशुक कारणेँ सदिखन मृत्‍युक हाथ मे सौंपल जाइत छी जाहि सँ हमरा सभक नाशवान शरीर मे यीशुक जीवन प्रगट होअय।
11 pois nós, que vivemos, estamos sempre entregues à morte por amor de Jesus, para que também a vida de Jesus se manifeste em nossa carne mortal.
12 एहि तरहेँ हम सभ सदा मृत्‍युक सामना करैत छी, मुदा तकर परिणाम भेल अहाँ सभक लेल जीवन।
12 De modo que em nós opera a morte, mas em vós a vida.
13 धर्मशास्‍त्र मे केओ कहने अछि, “हम विश्‍वास कयलहुँ, एहि लेल हम बजलहुँ।” विश्‍वासक वैह आत्‍मा हमरो सभ मे होयबाक कारणेँ हमहूँ सभ विश्‍वास करैत छी आ तेँ बजैत छी,
13 Ora, temos o mesmo espírito de fé, conforme está escrito: Cri, por isso falei; também nós cremos, por isso também falamos,
14 कारण, हम सभ ई जनैत छी जे, ओ जे प्रभु यीशु केँ मृत्‍यु सँ जिऔलनि, वैह हमरो सभ केँ यीशुक संग जिऔताह, आ अहाँ सभक संग हमरो सभ केँ अपना सम्‍मुख उपस्‍थित करताह।
14 sabendo que aquele que ressuscitou o Senhor Jesus, nos ressuscitará a nós com Jesus, e nos apresentará convosco.
15 ई सभ किछु अहाँ सभक हितक लेल भऽ रहल अछि जाहि सँ आरो-आरो लोकक बीच परमेश्‍वरक कृपा बढ़ल जयबाक कारणेँ, परमेश्‍वरक स्‍तुति मे धन्‍यवादक प्रार्थना अधिक सँ अधिक बढ़ैत जाय।
15 Pois tudo é por amor de vós, para que a graça, multiplicada por meio de muitos, faça abundar a ação de graças para glória de Deus.
16 यैह कारण अछि जे हम सभ साहस नहि छोड़ैत छी। ओना तँ हमरा सभक बाहरी शारीरिक बल घटल जा रहल अछि तैयो हमरा सभक भितरी आत्‍मिक बल दिन प्रति दिन नव भेल जा रहल अछि।
16 Por isso não desfalecemos; mas ainda que o nosso homem exterior se esteja consumindo, o interior, contudo, se renova de dia em dia.
17 किएक तँ हमरा सभक पल भरिक ई हल्‍लुक कष्‍ट हमरा सभक लेल अतुल्‍य और अनन्‍त कालीन महिमा तैयार कऽ रहल अछि।
17 Porque a nossa leve e momentânea tribulação produz para nós cada vez mais abundantemente um eterno peso de glória;
18 तेँ हमरा सभक नजरि ओहि वस्‍तु सभ पर टिकल नहि अछि जे देखाइ दैत अछि, बल्‍कि ओहि वस्‍तु सभ पर जे आँखि सँ नहि देखल जा सकैत अछि, किएक तँ देखाइ पड़ऽ वला वस्‍तु सभ तँ कनेके काल टिकैत अछि, मुदा जे वस्‍तु सभ देखल नहि जा सकैत अछि, से अनन्‍त काल तक बनल रहैत अछि।
18 não atentando nós nas coisas que se vêem, mas sim nas que se não vêem; porque as que se vêem são temporais, enquanto as que se não vêem são eternas.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.