2 Coríntios 3

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 की हम सभ फेर अपने प्रशंसा करऽ लगलहुँ? की किछु आन लोक सभ जकाँ हमरो सभ केँ एहि बातक आवश्‍यकता अछि जे सिफारिश-पत्र अहाँ सभ केँ देखाबी अथवा अहाँ सभ सँ लिखाबी?
1 Será que com isso, estamos começando a nos recomendar a nós mesmos novamente? Será que precisamos, como alguns, de cartas de recomendação para vocês ou da parte de vocês?
2 हमरा सभक पत्र तँ अहीं सभ छी जे हमरा सभक हृदय पर लिखल गेल छी आ जकरा सभ केओ देखि आ पढ़ि सकैत अछि।
2 Vocês mesmos são a nossa carta, escrita em nosso coração, conhecida e lida por todos.
3 ई स्‍पष्‍ट अछि जे अहाँ सभ मसीहक पत्र छी जकरा ओ हमरा सभ सँ लिखबौलनि। ई पत्र मोइस सँ नहि, बल्‍कि जीवित परमेश्‍वरक आत्‍मा सँ, पाथरक पाटी पर नहि, बल्‍कि मानव हृदयक पाटी पर लिखल गेल अछि।
3 Vocês demonstram que são uma carta de Cristo, resultado do nosso ministério, escrita não com tinta, mas com o Espírito do Deus vivo, não em tábuas de pedra, mas em tábuas de corações humanos.
4 एहन बात कहबाक साहस एहि लेल अछि जे हमरा सभ केँ मसीहक कारणेँ परमेश्‍वर पर भरोसा अछि।
4 Tal é a confiança que temos diante de Deus, por meio de Cristo.
5 ई नहि, जे हम सभ अपने एतेक योग्‍य छी जे अपने सँ किछु कऽ सकबाक दावा करी, बल्‍कि हमरा सभक योग्‍यता तँ परमेश्‍वरेक दिस सँ अबैत अछि।
5 Não que possamos reivindicar qualquer coisa com base em nossos próprios méritos, mas a nossa capacidade vem de Deus.
6 वैह हमरा सभ केँ योग्‍य बनौने छथि, जाहि सँ हम सभ ओहि नव सम्‍बन्‍धक विषय मे सुना सकी जे परमेश्‍वर अपन वचन दऽ कऽ मनुष्‍यक संग स्‍थापित कयने छथि। ई नव सम्‍बन्‍ध अक्षर सँ लिखल विधान द्वारा स्‍थापित नहि भेल, बल्‍कि परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा, किएक तँ अक्षर वला विधान मारैत अछि मुदा आत्‍मा जीवन दैत छथि।
6 Ele nos capacitou para sermos ministros de uma nova aliança, não da letra, mas do Espírito; pois a letra mata, mas o Espírito vivifica.
7 आब सोचू। मूसा केँ देल गेल विधान जे पाथर पर खोधि कऽ लिखल छल से मृत्‍यु मे लऽ जाइत छल। तैयो ओ एहन महिमाक संग आयल जे मूसाक मुँह सेहो एतेक चमकैत छल जे इस्राएली सभ एकटक लगा कऽ हुनका मुँह दिस नहि देखि सकल, जखन कि ओ चमक तुरत फेर मन्‍द पड़ऽ लगैत छल। जँ मृत्‍यु दिआबऽ वला विधान एतेक महिमामय छल,
7 O ministério que trouxe a morte foi gravado com letras em pedras; mas esse ministério veio com tal glória que os israelitas não podiam fixar os olhos na face de Moisés por causa do resplendor do seu rosto, ainda que desvanecente.
8 तँ की पवित्र आत्‍मा दिआबऽ वला विधान ओहि सँ आरो बेसी महिमामय नहि होयत?
8 Não será o ministério do Espírito ainda muito mais glorioso?
9 जखन दोषी ठहराबऽ वला विधान एतेक महिमामय छल तँ की धार्मिक ठहराबऽ वला विधान ओहि सँ बहुत अधिक महिमामय नहि होयत?
9 Se era glorioso o ministério que trouxe condenação, quanto mais glorioso será o ministério que produz justiça!
10 वास्‍तव मे, ओ जे पहिने महिमामय छल, तकरा एहि सर्वश्रेष्‍ठ महिमाक सम्‍मुख आब कोनो महिमा नहि छैक।
10 Pois o que outrora foi glorioso, agora não tem glória, em comparação com a glória insuperável.
11 किएक तँ जखन नहि टिकऽ वला विधान एतेक महिमामय छल तँ सदा अटल रहऽ वला विधान कतेक आरो महिमामय होयत!
11 E se o que estava se desvanecendo se manifestou com glória, quanto maior será a glória do que permanece!
12 हमरा सभक एहने आशा होयबाक कारणेँ हम सभ साहसपूर्बक बजैत छी।
12 Portanto, visto que temos tal esperança, mostramos muita confiança.
13 हम सभ मूसा जकाँ नहि छी। मूसा तँ अपना मुँह पर परदा रखने रहैत छलाह जाहि सँ इस्राएली लोक सभ लुप्‍त होमऽ वला चमक पर अन्‍त तक नजरि नहि टिकौने रहय।
13 Não somos como Moisés, que colocava um véu sobre a face para que os israelitas não contemplassem o resplendor que se desvanecia.
14 मुदा ओकरा सभक मोन कठोर कयल गेल छलैक। आइओ धरि जखन पुरान विधान पढ़ल जाइत अछि तँ वैह परदा लागल रहैत छैक। ओ हटाओल नहि गेल अछि किएक तँ ओकरा मात्र मसीह द्वारा हटाओल जाइत अछि।
14 Na verdade as mentes deles se fecharam, pois até hoje o mesmo véu permanece quando é lida a antiga aliança. Não foi retirado, porque é somente em Cristo que ele é removido.
15 हँ, आइओ जखन मूसाक धर्म-नियम पढ़ल जाइत अछि तँ ओकरा सभक मोन पर परदा टाँगल रहैत छैक।
15 De fato, até o dia de hoje, quando Moisés é lido, um véu cobre os seus corações.
16 मुदा जखने केओ प्रभु लग फिरैत अछि तँ ओ परदा हटा देल जाइत अछि।
16 Mas quando alguém se converte ao Senhor, o véu é retirado.
17 जाहि प्रभु लग फिरबाक अछि, से नव विधानक ओ आत्‍मा छथि, आ जतऽ प्रभुक आत्‍मा छथि ततऽ स्‍वतन्‍त्रता अछि।
17 Ora, o Senhor é o Espírito e, onde está o Espírito do Senhor, ali há liberdade.
18 मुदा अपना सभक मुँह पर परदा नहि अछि आ जहिना अएना मे देखल जाइत अछि, तहिना अपना सभ प्रभुक महिमाक प्रतिबिम्‍ब देखैत छी। संगहि अपना सभ क्रमशः बढ़ैत मात्रा मे ओहि महिमामय रूप मे बदलल जाइत छी। ई रूपान्‍तर प्रभुक, अर्थात्‌ पवित्र आत्‍माक, काज छनि।
18 E todos nós, que com a face descoberta contemplamos a glória do Senhor, segundo a sua imagem estamos sendo transformados com glória cada vez maior, a qual vem do Senhor, que é o Espírito.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.