1 Tessalonicenses 5
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 यौ भाइ लोकनि, कोन बात कहिया कखन होयत, ताहि सम्बन्ध मे किछु लिखबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि,
1 A respeito da época e do momento, não há necessidade, irmãos, de que vos escrevamos.
2 कारण, अहाँ सभ अपने नीक सँ जनैत छी जे, “प्रभुक दिन” ताहि तरहेँ अचानक आओत जाहि तरहेँ राति मे चोर अबैत अछि।
2 Pois vós mesmos sabeis muito bem que o dia do Senhor virá como um ladrão de noite.
3 लोक सभ कहैत रहत जे, “सभ शान्त आ सुरक्षित अछि,” तखन जहिना गर्भवती स्त्री पर अचानक बच्चा केँ जन्म देबाक कष्ट अबैत छैक, तहिना ओकरा सभ पर विनाश आओत, और ओकरा सभ केँ बचबाक कोनो उपाय नहि रहतैक।
3 Quando os homens disserem: Paz e segurança!, então repentinamente lhes sobrevirá a destruição, como as dores à mulher grávida. E não escaparão.
4 मुदा, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ अन्हार मे नहि रहि रहल छी जे ओ दिन चोर जकाँ अहाँ सभ पर अचानक आबि जाय।
4 Mas vós, irmãos, não estais em trevas, de modo que esse dia vos surpreenda como um ladrão.
5 अहाँ सभ केओ तँ इजोतक सन्तान छी, दिनक सन्तान छी। अपना सभ रातिक वा अन्हारक नहि छी।
5 Porque todos vós sois filhos da luz e filhos do dia. Não somos da noite nem das trevas.
6 एहि लेल अपना सभ आन लोक सभ जकाँ सुतल नहि रही, बल्कि सतर्क रही आ अपना केँ वश मे राखी।
6 Não durmamos, pois, como os demais. Mas vigiemos e sejamos sóbrios.
7 कारण, जे सभ सुतैत अछि से रातिए मे सुतैत अछि आ जे सभ पिबि कऽ माति जाइत अछि सेहो रातिए मे मतैत अछि।
7 Porque os que dormem, dormem de noite; e os que se embriagam, embriagam-se de noite.
8 मुदा अपना सभ जे छी, से दिनक छी आ तेँ विश्वास आ प्रेम केँ कवच जकाँ, और मुक्तिक आशा केँ टोप जकाँ पहिरि कऽ सतर्क रही।
8 Nós, ao contrário, que somos do dia, sejamos sóbrios. Tomemos por couraça a fé e a caridade, e por capacete a esperança da salvação.
9 कारण, परमेश्वर अपना सभ केँ दण्ड पयबाक लेल नहि, बल्कि अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा उद्धार पयबाक लेल चुनने छथि।
9 Porquanto não nos destinou Deus para a ira, mas para alcançar a salvação por nosso Senhor Jesus Cristo.
10 प्रभु यीशु अपना सभक लेल एहि लेल मरलाह जे अपना सभ ⌞हुनकर फेर अयबाक समय मे⌟ चाहे जीवित होइ वा मरि गेल होइ, हुनका संग जीबी।
10 Ele morreu por nós, a fim de que nós, quer em estado de vigília, quer de sono, vivamos em união com ele.
11 तेँ अहाँ सभ एक-दोसर केँ प्रोत्साहित करू और विश्वास मे मजगूत बनाउ, जेना अहाँ सभ करितो छी।
11 Assim, pois, consolai-vos mutuamente e edificai-vos uns aos outros, como já o fazeis.
12 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक आग्रह अछि जे, अहाँ सभक बीच जे सभ परिश्रम करैत छथि, आत्मिक देख-रेख करैत छथि और प्रभुक दिस सँ अहाँ सभ केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत छथि, तिनका सभक आदर करिऔन।
12 Suplicamo-vos, irmãos, que reconheçais aqueles que arduamente trabalham entre vós para dirigir-vos no Senhor e vos admoestar.
13 हुनका सभक काजक कारणेँ प्रेमपूर्बक हुनका सभक सम्मान करिऔन। एक-दोसरक संग मेल-मिलाप सँ रहू।
13 Tende para com eles singular amor, em vista do cargo que exercem. Conservai a paz entre vós.
14 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक इहो आग्रह अछि जे, आलसी भाय सभ केँ चेतावनी दिअ। जे केओ हिम्मत हारि लेने छथि, तिनका सभक हिम्मत बढ़ाउ। जे केओ कमजोर छथि तिनका सभक सहायता करू। सभक संग सहनशीलताक व्यवहार करैत धैर्य राखू।
14 Pedimo-vos, porém, irmãos, corrigi os desordeiros, encorajai os tímidos, amparai os fracos e tende paciência para com todos.
15 एहि बातक ध्यान राखू जे, केओ अधलाह व्यवहारक बदला अधलाह व्यवहार नहि करी, बल्कि सदिखन एक-दोसराक लेल आ सभ लोकक लेल भलाइ करैत रहबाक प्रयास करू।
15 Vede que ninguém pague a outro mal por mal. Antes, procurai sempre praticar o bem entre vós e para com todos.
16 सदिखन आनन्दित रहू,
16 Vivei sempre contentes.
17 लगातार प्रार्थना करैत रहू।
17 Orai sem cessar.
18 प्रत्येक परिस्थिति मे परमेश्वर केँ धन्यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्वर यैह बात चाहैत छथि।
18 Em todas as circunstâncias, dai graças, porque esta é a vosso respeito a vontade de Deus em Jesus Cristo.
19 परमेश्वरक पवित्र आत्माक आगि केँ नहि मिझाउ।
19 Não extingais o Espírito.
20 परमेश्वरक दिस सँ पाओल-सुनाओल सम्बाद सभ केँ तुच्छ नहि बुझू।
20 Não desprezeis as profecias.
21 सभ बात केँ ठीक सँ जाँचू-बुझू और जे ठीक अछि ताहि मे दृढ़ रहू।
21 Examinai tudo: abraçai o que é bom.
22 सभ तरहक अधलाह बात सँ दूर रहू।
22 Guardai-vos de toda a espécie de mal.
23 शान्ति देबऽ वला परमेश्वर स्वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि।
23 O Deus da paz vos conceda santidade perfeita. Que todo o vosso ser, espírito, alma e corpo, seja conservado irrepreensível para a vinda de nosso Senhor Jesus Cristo!
24 ई काज ओ अवश्य करताह, कारण ओ जे अहाँ सभ केँ बजबैत छथि से विश्वासयोग्य छथि।
24 Fiel é aquele que vos chama, e o cumprirá.
25 यौ भाइ लोकनि, हमरा सभक लेल प्रार्थना करैत रहू।
25 Irmãos, orai também por nós.
26 ओहिठामक सभ भाय लोकनि केँ हमरा सभक दिस सँ पवित्र प्रेमक संग नमस्कार कहिऔन।
26 Saudai a todos os irmãos com o ósculo santo.
27 अहाँ सभ केँ प्रभुक समक्ष ई आज्ञा दैत छी जे, सभ भाय केँ ई पत्र पढ़ि कऽ सुनाओल जाय।
27 Peço-vos encarecidamente, no Senhor, que esta carta seja lida a todos os irmãos.
28 अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय।
28 A graça de nosso Senhor Jesus Cristo esteja convosco!
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Tessalonicenses 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.