1 Tessalonicenses 5

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यौ भाइ लोकनि, कोन बात कहिया कखन होयत, ताहि सम्‍बन्‍ध मे किछु लिखबाक कोनो आवश्‍यकता नहि अछि,
1 Mas, irmãos, acerca dos tempos e das estações, não necessitais de que se vos escreva;
2 कारण, अहाँ सभ अपने नीक सँ जनैत छी जे, “प्रभुक दिन” ताहि तरहेँ अचानक आओत जाहि तरहेँ राति मे चोर अबैत अछि।
2 porque vós mesmos sabeis muito bem que o Dia do Senhor virá como o ladrão de noite.
3 लोक सभ कहैत रहत जे, “सभ शान्‍त आ सुरक्षित अछि,” तखन जहिना गर्भवती स्‍त्री पर अचानक बच्‍चा केँ जन्‍म देबाक कष्‍ट अबैत छैक, तहिना ओकरा सभ पर विनाश आओत, और ओकरा सभ केँ बचबाक कोनो उपाय नहि रहतैक।
3 Pois que, quando disserem: Há paz e segurança, então, lhes sobrevirá repentina destruição, como as dores de parto àquela que está grávida; e de modo nenhum escaparão.
4 मुदा, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ अन्‍हार मे नहि रहि रहल छी जे ओ दिन चोर जकाँ अहाँ सभ पर अचानक आबि जाय।
4 Mas vós, irmãos, já não estais em trevas, para que aquele Dia vos surpreenda como um ladrão;
5 अहाँ सभ केओ तँ इजोतक सन्‍तान छी, दिनक सन्‍तान छी। अपना सभ रातिक वा अन्‍हारक नहि छी।
5 porque todos vós sois filhos da luz e filhos do dia; nós não somos da noite nem das trevas.
6 एहि लेल अपना सभ आन लोक सभ जकाँ सुतल नहि रही, बल्‍कि सतर्क रही आ अपना केँ वश मे राखी।
6 Não durmamos, pois, como os demais, mas vigiemos e sejamos sóbrios.
7 कारण, जे सभ सुतैत अछि से रातिए मे सुतैत अछि आ जे सभ पिबि कऽ माति जाइत अछि सेहो रातिए मे मतैत अछि।
7 Porque os que dormem dormem de noite, e os que se embebedam embebedam-se de noite.
8 मुदा अपना सभ जे छी, से दिनक छी आ तेँ विश्‍वास आ प्रेम केँ कवच जकाँ, और मुक्‍तिक आशा केँ टोप जकाँ पहिरि कऽ सतर्क रही।
8 Mas nós, que somos do dia, sejamos sóbrios, vestindo-nos da couraça da fé e do amor e tendo por capacete a esperança da salvação.
9 कारण, परमेश्‍वर अपना सभ केँ दण्‍ड पयबाक लेल नहि, बल्‍कि अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा उद्धार पयबाक लेल चुनने छथि।
9 Porque Deus não nos destinou para a ira, mas para a aquisição da salvação, por nosso Senhor Jesus Cristo,
10 प्रभु यीशु अपना सभक लेल एहि लेल मरलाह जे अपना सभ ⌞हुनकर फेर अयबाक समय मे⌟ चाहे जीवित होइ वा मरि गेल होइ, हुनका संग जीबी।
10 que morreu por nós, para que, quer vigiemos, quer durmamos, vivamos juntamente com ele.
11 तेँ अहाँ सभ एक-दोसर केँ प्रोत्‍साहित करू और विश्‍वास मे मजगूत बनाउ, जेना अहाँ सभ करितो छी।
11 Pelo que exortai-vos uns aos outros e edificai-vos uns aos outros, como também o fazeis.
12 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक आग्रह अछि जे, अहाँ सभक बीच जे सभ परिश्रम करैत छथि, आत्‍मिक देख-रेख करैत छथि और प्रभुक दिस सँ अहाँ सभ केँ शिक्षा आ चेतावनी दैत छथि, तिनका सभक आदर करिऔन।
12 E rogamo-vos, irmãos, que reconheçais os que trabalham entre vós, e que presidem sobre vós no Senhor, e vos admoestam;
13 हुनका सभक काजक कारणेँ प्रेमपूर्बक हुनका सभक सम्‍मान करिऔन। एक-दोसरक संग मेल-मिलाप सँ रहू।
13 e que os tenhais em grande estima e amor, por causa da sua obra. Tende paz entre vós.
14 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ सँ हमरा सभक इहो आग्रह अछि जे, आलसी भाय सभ केँ चेतावनी दिअ। जे केओ हिम्‍मत हारि लेने छथि, तिनका सभक हिम्‍मत बढ़ाउ। जे केओ कमजोर छथि तिनका सभक सहायता करू। सभक संग सहनशीलताक व्‍यवहार करैत धैर्य राखू।
14 Rogamo-vos também, irmãos, que admoesteis os desordeiros, consoleis os de pouco ânimo, sustenteis os fracos e sejais pacientes para com todos.
15 एहि बातक ध्‍यान राखू जे, केओ अधलाह व्‍यवहारक बदला अधलाह व्‍यवहार नहि करी, बल्‍कि सदिखन एक-दोसराक लेल आ सभ लोकक लेल भलाइ करैत रहबाक प्रयास करू।
15 Vede que ninguém dê a outrem mal por mal, mas segui, sempre, o bem, tanto uns para com os outros como para com todos.
16 सदिखन आनन्‍दित रहू,
16 Regozijai-vos sempre.
17 लगातार प्रार्थना करैत रहू।
17 Orai sem cessar.
18 प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दिऔन, कारण, अहाँ सभ जे मसीह यीशु मे छी तिनका सभ सँ परमेश्‍वर यैह बात चाहैत छथि।
18 Em tudo dai graças, porque esta é a vontade de Deus em Cristo Jesus para convosco.
19 परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक आगि केँ नहि मिझाउ।
19 Não extingais o Espírito.
20 परमेश्‍वरक दिस सँ पाओल-सुनाओल सम्‍बाद सभ केँ तुच्‍छ नहि बुझू।
20 Não desprezeis as profecias.
21 सभ बात केँ ठीक सँ जाँचू-बुझू और जे ठीक अछि ताहि मे दृढ़ रहू।
21 Examinai tudo. Retende o bem.
22 सभ तरहक अधलाह बात सँ दूर रहू।
22 Abstende-vos de toda aparência do mal.
23 शान्‍ति देबऽ वला परमेश्‍वर स्‍वयं अहाँ सभ केँ पूर्ण रूप सँ पवित्र करथि। ओ अहाँ सभक आत्‍मा, प्राण आ शरीर केँ अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक अयबाक समय धरि निर्दोष आ सुरक्षित राखथि।
23 E o mesmo Deus de paz vos santifique em tudo; e todo o vosso espírito, e alma, e corpo sejam plenamente conservados irrepreensíveis para a vinda de nosso Senhor Jesus Cristo.
24 ई काज ओ अवश्‍य करताह, कारण ओ जे अहाँ सभ केँ बजबैत छथि से विश्‍वासयोग्‍य छथि।
24 Fiel é o que vos chama, o qual também o fará.
25 यौ भाइ लोकनि, हमरा सभक लेल प्रार्थना करैत रहू।
25 Irmãos, orai por nós.
26 ओहिठामक सभ भाय लोकनि केँ हमरा सभक दिस सँ पवित्र प्रेमक संग नमस्‍कार कहिऔन।
26 Saudai a todos os irmãos com ósculo santo.
27 अहाँ सभ केँ प्रभुक समक्ष ई आज्ञा दैत छी जे, सभ भाय केँ ई पत्र पढ़ि कऽ सुनाओल जाय।
27 Pelo Senhor vos conjuro que esta epístola seja lida a todos os santos irmãos.
28 अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय।
28 A graça de nosso Senhor Jesus Cristo seja convosco. Amém!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Tessalonicenses 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.