1 Tessalonicenses 2

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जनिते छी जे अहाँ सभक ओतऽ हमरा सभक अयनाइ व्‍यर्थ नहि भेल।
1 Bem sabeis, irmãos, que a nossa ida a vós não foi em vão.
2 अहाँ सभ केँ तँ बुझल अछि जे एहि सँ पहिने हमरा सभ केँ फिलिप्‍पी नगर मे दुर्व्‍यवहार और अपमान सहऽ पड़ल छल। तैयो अपना परमेश्‍वरक सहायता सँ हम सभ घोर विरोधक सामना करितो अहाँ सभ केँ परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनयबाक लेल साहस कयलहुँ।
2 Apesar de maltratados e ultrajados em Filipos, como sabeis, ousamos, confiados em nosso Deus, pregar-vos o Evangelho de Deus em meio de muitas lutas.
3 सुसमाचार पर विश्‍वास करबाक जे आग्रह हम सभ करैत छी से ने तँ असत्‍य पर आधारित अछि, ने अपवित्र उद्देश्‍य सँ प्रेरित अछि आ ने ओहि मे कोनो छल-कपट अछि।
3 A nossa pregação não provém de erro, nem de intenções fraudulentas, nem de engano.
4 बल्‍कि, परमेश्‍वरे हमरा सभ केँ एहि जोगरक बुझलनि जे हमरा सभक हाथ मे सुसमाचार-प्रचारक काज सौंपल जाय आ एहि तरहेँ हम सभ प्रचार करितो छी। हम सभ ई काज मनुष्‍य केँ प्रसन्‍न करबाक लेल नहि करैत छी, बल्‍कि परमेश्‍वर केँ, जे हमरा सभक मोन केँ जँचैत छथि।
4 Mas, como Deus nos julgou dignos de nos confiar o Evangelho, falamos, não para agradar aos homens, e sim a Deus, que sonda os nossos corações.
5 अहाँ सभ जनैत छी, आ परमेश्‍वरो गवाह छथि जे हम सभ कहियो चापलूसी वला बात नहि बजलहुँ, आ ने हमरा सभक व्‍यवहार मे कोनो प्रकारक लोभक बहाना छल।
5 Com efeito, nunca usamos de adulação, como sabeis, nem fomos levados por fins interesseiros. Deus é testemunha.
6 हम सभ मनुष्‍य सँ प्रशंसा पयबाक प्रयत्‍न नहि कयलहुँ—ने अहाँ सभ सँ आ ने आन ककरो सँ।
6 Não buscamos glórias humanas, nem de vós nem de outros.
7 जहिना माय अपना दूधपीबा बच्‍चाक लालन-पालन करैत अछि तहिना हम सभ अहाँ सभक संग कोमल व्‍यवहार कयलहुँ।
7 Na qualidade de apóstolos de Cristo, poderíamos apresentar-nos como pessoas de autoridade. Todavia, nos fizemos discretos no meio de vós. Como a mãe a acariciar os seus filhinhos,
8 अहाँ सभक लेल हमरा सभ केँ तेहन ममता आ प्रेम भऽ गेल छल जे अहाँ सभ केँ मात्र परमेश्‍वरक सुसमाचार सुनाबऽ मे नहि, बल्‍कि अपना केँ अर्पित करऽ मे सेहो हमरा सभ केँ बड़का आनन्‍द भेल—अहाँ सभ हमरा सभक ततेक प्रिय भऽ गेल छलहुँ।
8 assim, em nossa ternura por vós, desejávamos não só comunicar-vos o Evangelho de Deus, mas até a nossa própria vida, porquanto nos sois muito queridos.
9 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ केँ तँ हमरा सभक कठोर परिश्रम अवश्‍य मोन होयत, अहाँ सभक बीच कोना हम सभ राति-दिन खटैत रहैत छलहुँ जाहि सँ परमेश्‍वरक सुसमाचार सुनबैत ककरो पर भार नहि बनिऐक।
9 Vós vos lembrais, irmãos, dos nossos trabalhos e de nossa fadiga. Trabalhando noite e dia, para não sermos pesados a nenhum de vós, pregamo-vos o Evangelho de Deus.
10 अहाँ सभ एहि बातक गवाह छी, आ परमेश्‍वरो छथि जे, अहाँ सभ जे विश्‍वासी छी तिनका सभक बीच हमरा सभक आचरण-व्‍यवहार कतेक पवित्र, उचित और निर्दोष छल।
10 Vós sois testemunhas, e também Deus, de quão santa, justa e irrepreensivelmente nos portamos convosco que crestes.
11 अहाँ सभ जनैत छी जे जेहने व्‍यवहार एकटा बाबू अपन धिआ-पुताक संग करैत अछि तेहन व्‍यवहार हम सभ अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटेक संग कयलहुँ—
11 E sabeis que procedemos com cada um de vós como um pai com seus filhos:
12 बात सिखबैत आ उत्‍साह बढ़बैत आग्रह करैत रहलहुँ जे, जे परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ अपना राज्‍य आ महिमा मे सहभागी होयबाक लेल बजबैत छथि तिनका जेहन जीवन नीक लगनि, ओहने जीवन बिताउ।
12 nós vos temos exortado, estimulado, conjurado a vos comportardes de maneira digna de Deus, que vos chama ao seu Reino e à sua glória.
13 हम सभ लगातार एहू लेल परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि जे, अहाँ सभ जखन हमरा सभ सँ परमेश्‍वरक वचन सुनलहुँ तँ ओकरा मनुष्‍यक सोचल बात बुझि कऽ नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कहल बात मानि कऽ स्‍वीकार कयलहुँ, आ से ओ वास्‍तव मे अछिओ। और आब अहाँ सभ जे विश्‍वास करैत छी तिनका सभक जीवन मे ओ वचन काज कऽ रहल अछि।
13 Por isso é que também nós não cessamos de dar graças a Deus, porque recebestes a palavra de Deus, que de nós ouvistes, e a acolhestes, não como palavra de homens, mas como aquilo que realmente é, como palavra de Deus, que age eficazmente em vós, os fiéis.
14 हँ, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ यहूदिया प्रदेश मे रहऽ वला परमेश्‍वरक मण्‍डली सभ जकाँ भऽ गेलहुँ, अर्थात्, ओतऽ रहऽ वला मसीह यीशुक लोक सभ जकाँ। कारण, अहाँ सभ अपना समाजक लोक सँ तेहने दुर्व्‍यवहार सहलहुँ जेहन ओहो सभ यहूदी सभ सँ सहलनि।
14 Com efeito, irmãos, vós vos tornastes imitadores das igrejas de Deus que estão na Judéia, das igrejas de Jesus Cristo. Tivestes que sofrer da parte dos vossos compatriotas o mesmo que eles sofreram dos judeus,
15 यहूदी सभ तँ प्रभु यीशु केँ आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ केँ मारि देलकनि और आब हमरो सभ केँ भगौने अछि। ओ सभ परमेश्‍वर केँ अप्रसन्‍न करैत अछि। ओ सभ पूरा मानव जातिक विरोधी अछि,
15 aqueles judeus que mataram o Senhor Jesus, que nos perseguiram, que não são do agrado de Deus, que são inimigos de todos os homens,
16 कारण, जाहि सुसमाचार द्वारा गैर-यहूदी सभ केँ उद्धार होइतैक, तकरा हमरा सभ केँ गैर-यहूदी सभ मे सुनाबऽ सँ रोकबाक प्रयत्‍न करैत रहैत अछि। एहि तरहेँ ओ सभ अपन पापक घैल भरैत जा रहल अछि। एहि कारणेँ परमेश्‍वर आब अपन क्रोध प्रगट कऽ कऽ ओकरा सभ केँ दण्‍ड देथिन।
16 visto que nos proíbem pregar aos gentios para que se salvem. E com isto vão enchendo sempre mais a medida dos seus pecados. Mas a ira de Deus acabou por atingi-los.
17 यौ भाइ लोकनि! हम सभ जखन अहाँ सभ सँ किछु समयक लेल दूर कयल गेलहुँ—हृदय मे सँ नहि, बल्‍कि नजरिक सोझाँ सँ—तँ अहाँ सभ केँ फेर देखबाक बड्ड उत्‍सुकता भेल।
17 Nós, irmãos, separados de vós por algum tempo - de vista, não de coração -, temos o mais vivo e ardente desejo de vos rever.
18 तेँ अहाँ सभ सँ भेँट करबाक कोशिश कयलहुँ। हँ, हम पौलुस, बेर-बेर अयबाक प्रयत्‍न कयलहुँ, मुदा शैतान हमरा सभ केँ रोकि देलक।
18 Pelo que fizemos o possível por ir visitar-vos, ao menos eu, Paulo, em diversas ocasiões. Mas Satanás nos impediu.
19 यौ भाइ लोकनि, हमरा सभक आशा और आनन्‍द की अछि? की अहाँ सभ नहि छी? और अपना सभक प्रभु यीशु जहिया फेर औताह, तँ हुनका समक्ष हमरा सभक ओ विजय-मुकुट की होयत जाहि पर हम सभ गर्व करब? की अहाँ सभ नहि होयब?
19 Pois quem, senão vós, será a nossa esperança, a nossa alegria e a nossa coroa de glória ante nosso Senhor Jesus, no dia de sua vinda?
20 अहीं सभ तँ हमरा सभक गौरव आ आनन्‍द छी।
20 Sim, sois vós a nossa glória e a nossa alegria!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Tessalonicenses 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.