1 Tessalonicenses 2
jivən səndesh (MAI) vs ARIB
1 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जनिते छी जे अहाँ सभक ओतऽ हमरा सभक अयनाइ व्यर्थ नहि भेल।
1 Porque vós mesmos sabeis, irmãos, que a nossa entrada entre vós não foi vã;
2 अहाँ सभ केँ तँ बुझल अछि जे एहि सँ पहिने हमरा सभ केँ फिलिप्पी नगर मे दुर्व्यवहार और अपमान सहऽ पड़ल छल। तैयो अपना परमेश्वरक सहायता सँ हम सभ घोर विरोधक सामना करितो अहाँ सभ केँ परमेश्वरक शुभ समाचार सुनयबाक लेल साहस कयलहुँ।
2 mas, havendo anteriormente padecido e sido maltratados em Filipos, como sabeis, tivemos a confiança em nosso Deus para vos falar o evangelho de Deus em meio de grande combate.
3 सुसमाचार पर विश्वास करबाक जे आग्रह हम सभ करैत छी से ने तँ असत्य पर आधारित अछि, ने अपवित्र उद्देश्य सँ प्रेरित अछि आ ने ओहि मे कोनो छल-कपट अछि।
3 Porque a nossa exortação não procede de erro, nem de imundícia, nem é feita com dolo;
4 बल्कि, परमेश्वरे हमरा सभ केँ एहि जोगरक बुझलनि जे हमरा सभक हाथ मे सुसमाचार-प्रचारक काज सौंपल जाय आ एहि तरहेँ हम सभ प्रचार करितो छी। हम सभ ई काज मनुष्य केँ प्रसन्न करबाक लेल नहि करैत छी, बल्कि परमेश्वर केँ, जे हमरा सभक मोन केँ जँचैत छथि।
4 mas, assim como fomos aprovados por Deus para que o evangelho nos fosse confiado, assim falamos, não para agradar aos homens, mas a Deus, que prova os nossos corações.
5 अहाँ सभ जनैत छी, आ परमेश्वरो गवाह छथि जे हम सभ कहियो चापलूसी वला बात नहि बजलहुँ, आ ने हमरा सभक व्यवहार मे कोनो प्रकारक लोभक बहाना छल।
5 Pois, nunca usamos de palavras lisonjeiras, como sabeis, nem agimos com intuitos gananciosos. Deus é testemunha,
6 हम सभ मनुष्य सँ प्रशंसा पयबाक प्रयत्न नहि कयलहुँ—ने अहाँ सभ सँ आ ने आन ककरो सँ।
6 nem buscamos glória de homens, quer de vós, quer de outros, embora pudéssemos, como apóstolos de Cristo, ser-vos pesados;
7 जहिना माय अपना दूधपीबा बच्चाक लालन-पालन करैत अछि तहिना हम सभ अहाँ सभक संग कोमल व्यवहार कयलहुँ।
7 antes nos apresentamos brandos entre vós, qual ama que acaricia seus próprios filhos.
8 अहाँ सभक लेल हमरा सभ केँ तेहन ममता आ प्रेम भऽ गेल छल जे अहाँ सभ केँ मात्र परमेश्वरक सुसमाचार सुनाबऽ मे नहि, बल्कि अपना केँ अर्पित करऽ मे सेहो हमरा सभ केँ बड़का आनन्द भेल—अहाँ सभ हमरा सभक ततेक प्रिय भऽ गेल छलहुँ।
8 Assim nós, sendo-vos tão afeiçoados, de boa vontade desejávamos comunicar-vos não somente o evangelho de Deus, mas ainda as nossas próprias almas; porquanto vos tornastes muito amados de nós.
9 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ केँ तँ हमरा सभक कठोर परिश्रम अवश्य मोन होयत, अहाँ सभक बीच कोना हम सभ राति-दिन खटैत रहैत छलहुँ जाहि सँ परमेश्वरक सुसमाचार सुनबैत ककरो पर भार नहि बनिऐक।
9 Porque vos lembrais, irmãos, do nosso labor e fadiga; pois, trabalhando noite e dia, para não sermos pesados a nenhum de vós, vos pregamos o evangelho de Deus.
10 अहाँ सभ एहि बातक गवाह छी, आ परमेश्वरो छथि जे, अहाँ सभ जे विश्वासी छी तिनका सभक बीच हमरा सभक आचरण-व्यवहार कतेक पवित्र, उचित और निर्दोष छल।
10 Vós e Deus sois testemunhas de quão santa e irrepreensivelmente nos portamos para convosco que credes;
11 अहाँ सभ जनैत छी जे जेहने व्यवहार एकटा बाबू अपन धिआ-पुताक संग करैत अछि तेहन व्यवहार हम सभ अहाँ सभ मे सँ प्रत्येक गोटेक संग कयलहुँ—
11 assim como sabeis de que modo vos tratávamos a cada um de vós, como um pai a seus filhos,
12 बात सिखबैत आ उत्साह बढ़बैत आग्रह करैत रहलहुँ जे, जे परमेश्वर अहाँ सभ केँ अपना राज्य आ महिमा मे सहभागी होयबाक लेल बजबैत छथि तिनका जेहन जीवन नीक लगनि, ओहने जीवन बिताउ।
12 exortando-vos e consolando-vos, e instando que andásseis de um modo digno de Deus, o qual vos chama ao seu reino e glória.
13 हम सभ लगातार एहू लेल परमेश्वर केँ धन्यवाद दैत छियनि जे, अहाँ सभ जखन हमरा सभ सँ परमेश्वरक वचन सुनलहुँ तँ ओकरा मनुष्यक सोचल बात बुझि कऽ नहि, बल्कि परमेश्वरक कहल बात मानि कऽ स्वीकार कयलहुँ, आ से ओ वास्तव मे अछिओ। और आब अहाँ सभ जे विश्वास करैत छी तिनका सभक जीवन मे ओ वचन काज कऽ रहल अछि।
13 Por isso nós também, sem cessar, damos graças a Deus, porquanto vós, havendo recebido a palavra de Deus que de nós ouvistes, a recebestes, não como palavra de homens, mas {segundo ela é na verdade} como palavra de Deus, a qual também opera em vós que credes.
14 हँ, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ यहूदिया प्रदेश मे रहऽ वला परमेश्वरक मण्डली सभ जकाँ भऽ गेलहुँ, अर्थात्, ओतऽ रहऽ वला मसीह यीशुक लोक सभ जकाँ। कारण, अहाँ सभ अपना समाजक लोक सँ तेहने दुर्व्यवहार सहलहुँ जेहन ओहो सभ यहूदी सभ सँ सहलनि।
14 Pois vós, irmãos, vos haveis feito imitadores das igrejas de Deus em Cristo Jesus que estão na Judéia; porque também padecestes de vossos próprios concidadãos o mesmo que elas padeceram dos judeus;
15 यहूदी सभ तँ प्रभु यीशु केँ आ परमेश्वरक प्रवक्ता सभ केँ मारि देलकनि और आब हमरो सभ केँ भगौने अछि। ओ सभ परमेश्वर केँ अप्रसन्न करैत अछि। ओ सभ पूरा मानव जातिक विरोधी अछि,
15 os quais mataram ao Senhor Jesus, bem como aos profetas, e a nós nos perseguiram, e não agradam a Deus, e são contrários a todos os homens,
16 कारण, जाहि सुसमाचार द्वारा गैर-यहूदी सभ केँ उद्धार होइतैक, तकरा हमरा सभ केँ गैर-यहूदी सभ मे सुनाबऽ सँ रोकबाक प्रयत्न करैत रहैत अछि। एहि तरहेँ ओ सभ अपन पापक घैल भरैत जा रहल अछि। एहि कारणेँ परमेश्वर आब अपन क्रोध प्रगट कऽ कऽ ओकरा सभ केँ दण्ड देथिन।
16 e nos impedem de falar aos gentios para que sejam salvos; de modo que enchem sempre a medida de seus pecados; mas a ira caiu sobre eles afinal.
17 यौ भाइ लोकनि! हम सभ जखन अहाँ सभ सँ किछु समयक लेल दूर कयल गेलहुँ—हृदय मे सँ नहि, बल्कि नजरिक सोझाँ सँ—तँ अहाँ सभ केँ फेर देखबाक बड्ड उत्सुकता भेल।
17 Nós, porém, irmãos, sendo privados de vós por algum tempo, de vista, mas não de coração, tanto mais procuramos com grande desejo ver o vosso rosto;
18 तेँ अहाँ सभ सँ भेँट करबाक कोशिश कयलहुँ। हँ, हम पौलुस, बेर-बेर अयबाक प्रयत्न कयलहुँ, मुदा शैतान हमरा सभ केँ रोकि देलक।
18 pelo que quisemos ir ter convosco, pelo menos eu, Paulo, não somente uma vez, mas duas, e Satanás nos impediu.
19 यौ भाइ लोकनि, हमरा सभक आशा और आनन्द की अछि? की अहाँ सभ नहि छी? और अपना सभक प्रभु यीशु जहिया फेर औताह, तँ हुनका समक्ष हमरा सभक ओ विजय-मुकुट की होयत जाहि पर हम सभ गर्व करब? की अहाँ सभ नहि होयब?
19 Porque, qual é a nossa esperança, ou gozo, ou coroa de glória, diante de nosso Senhor Jesus na sua vinda? Porventura não o sois vós?
20 अहीं सभ तँ हमरा सभक गौरव आ आनन्द छी।
20 Na verdade vós sois a nossa glória e o nosso gozo.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Tessalonicenses 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.