1 Pedro 1

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 हम पत्रुस, जे यीशु मसीहक एक मसीह-दूत छी, ई पत्र अहाँ सभ परमेश्‍वरक चुनल लोक सभ केँ लिखि रहल छी, जे सभ पुन्‍तुस, गलातिया, कप्‍पदुकिया, आसिया आ बितूनिया प्रदेश सभ मे छिड़िया कऽ रहि रहल छी आ संसार मे परदेशी छी।
1 Pedro, apóstolo de Jesus Cristo, aos eleitos de Deus, peregrinos dispersos no Ponto, na Galácia, na Capadócia, na província da Ásia e na Bitínia,
2 अहाँ सभ पिता परमेश्‍वरक पूर्वज्ञानक अनुसार पहिनहि सँ चुनल गेल छी। परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ एहि अभिप्राय सँ चुनने छथि जे अहाँ सभ हुनकर पवित्र आत्‍मा द्वारा पवित्र कयल जाइ, यीशु मसीहक आज्ञाक पालन करी आ हुनकर खून सँ शुद्ध कयल जाइ।
2 escolhidos de acordo com a pré-conhecimento de Deus Pai, pela obra santificadora do Espírito, para a obediência a Jesus Cristo e a aspersão do seu sangue: Graça e paz lhes sejam multiplicadas.
3 अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक जे परमेश्‍वर आ पिता छथि, तिनकर स्‍तुति होनि! ओ अपन अपार दया सँ अपना सभ केँ नव जन्‍म देने छथि जाहि सँ अपना सभ यीशु मसीहक मृत्‍यु मे सँ जीबि उठबाक द्वारा एक जीवन्‍त आशा प्राप्‍त करी।
3 Bendito seja o Deus e Pai de nosso Senhor Jesus Cristo! Conforme a sua grande misericórdia, ele nos regenerou para uma esperança viva, por meio da ressurreição de Jesus Cristo dentre os mortos,
4 परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ ओहि धनक उत्तराधिकारी बना देने छथि जे कहियो नष्‍ट, दुषित वा पुरान नहि होयत, जे अहाँ सभक लेल स्‍वर्ग मे सुरक्षित राखल अछि।
4 para uma herança que jamais poderá perecer, macular-se ou perder o seu valor. Herança guardada nos céus para vocês
5 अहाँ सभक विश्‍वासक माध्‍यम सँ परमेश्‍वरक सामर्थ्‍य अहाँ सभ केँ ओहि उद्धारक लेल सुरक्षित राखि रहल अछि जे समयक अन्‍त मे प्रगट होमऽ वला अछि।
5 que, mediante a fé, são protegidos pelo poder de Deus até chegar a salvação prestes a ser revelada no último tempo.
6 ई अहाँ सभक लेल बड़का आनन्‍दक विषय अछि, ओना तँ भऽ सकैत अछि जे एखन किछु समयक लेल अहाँ सभ अनेक प्रकारक कष्‍ट मे पड़ि कऽ दुखी होइ।
6 Nisso vocês exultam, ainda que agora, por um pouco de tempo, devam ser entristecidos por todo tipo de provação.
7 ई कष्‍ट सभ एहि लेल अबैत अछि जाहि सँ अहाँ सभक विश्‍वास परीक्षा द्वारा असली प्रमाणित होअय। सोन, नष्‍ट होमऽ वला होइतो, आगि मे तपा कऽ शुद्ध कयल जाइत अछि, आ अहाँ सभक विश्‍वास तँ सोन सँ कतेक मूल्‍यवान अछि। तहिना अहाँ सभक विश्‍वास असली प्रमाणित भऽ कऽ यीशु मसीह जहिया फेर औताह, तहिया प्रशंसा, सम्‍मान आ आदरक कारण होयत।
7 Assim acontece para que fique comprovado que a fé que vocês têm, muito mais valiosa do que o ouro que perece, mesmo que refinado pelo fogo, é genuína e resultará em louvor, glória e honra, quando Jesus Cristo for revelado.
8 अहाँ सभ यीशु मसीह केँ नहि देखने छिऐन, तैयो अहाँ सभ हुनका सँ प्रेम करैत छी। अहाँ सभ हुनका एखनो नहि देखैत छी, तैयो हुनका पर विश्‍वास करैत छी आ एहन अद्‌भुत आनन्‍द सँ आनन्‍दित छी जकर वर्णन नहि कयल जा सकैत अछि।
8 Mesmo não o tendo visto, vocês o amam; e apesar de não o verem agora, crêem nele e exultam com alegria indizível e gloriosa,
9 कारण, अहाँ सभ अपन विश्‍वासक परिणाम प्राप्‍त कऽ रहल छी, अर्थात्, अपन आत्‍माक उद्धार।
9 pois vocês estão alcançando o alvo da sua fé, a salvação das suas almas.
10 एही उद्धारक विषय मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ प्राचीन काल मे सावधानीपूर्बक खोजबीन आ जाँच-पड़ताल कयलनि। ओ सभ अहाँ सभ पर कयल जाय वला कृपाक बारे मे भविष्‍यवाणी कयलनि।
10 Foi a respeito dessa salvação que os profetas que falaram da graça destinada a vocês investigaram e examinaram,
11 हुनका सभ मे जे मसीहक आत्‍मा रहैत छलाह से मसीहक दुःख-भोग आ तकरबाद होमऽ वला महिमाक बात सभक भविष्‍यवाणी कयलनि, आ ओ सभ ई जानऽ चाहैत छलाह जे एहि भविष्‍यवाणी सभ द्वारा मसीहक आत्‍मा कोन समय आ कोन परिस्‍थितिक दिस संकेत कऽ रहल छथि।
11 procurando saber o tempo e as circunstâncias para os quais apontava o Espírito de Cristo que neles estava, quando lhes predisse os sofrimentos de Cristo e as glórias que se seguiriam àqueles sofrimentos.
12 तखन हुनका सभ केँ ई स्‍पष्‍ट कयल गेलनि जे, जाहि बात सभक भविष्‍यवाणी ओ सभ सुना रहल छलाह, से हुनका सभक अपन हितक लेल नहि, बल्‍कि अहाँ सभक हितक लेल अछि। कारण, ओ सभ जाहि बात सभक भविष्‍यवाणी कयलनि, सैह बात सभ आब अहाँ सभ केँ सुनाओल गेल अछि। ओ अहाँ सभ केँ तिनका सभ द्वारा सुनाओल गेल जे सभ स्‍वर्ग सँ पठाओल पवित्र आत्‍माक प्रेरणा सँ अहाँ सभक बीच शुभ समाचारक प्रचार कयलनि। ई बात सभ बुझबाक लेल स्‍वर्गदूतो सभ लालायित रहैत छथि।
12 A eles foi revelado que estavam ministrando, não para si próprios, mas para vocês, quando falaram das coisas que agora lhes foram anunciadas por meio daqueles que lhes pregaram o evangelho pelo Espírito Santo enviado do céu; coisas que até os anjos anseiam observar.
13 एहि लेल अहाँ सभ अपन बुद्धि केँ काज करबाक लेल तैयार करू। अपना पर नियन्‍त्रण राखू आ पूर्ण रूप सँ अपन आशा ओहि कृपा पर रखने रहू जे यीशु मसीह केँ फेर अयला पर अहाँ सभ पर कयल जायत।
13 Portanto, estejam com a mente preparada, prontos para a ação; sejam sóbrios e coloquem toda a esperança na graça que lhes será dada quando Jesus Cristo for revelado.
14 अहाँ सभ आज्ञाकारी धिआ-पुता जकाँ अपन आचरण राखू, नहि कि पहिने जकाँ, जखन अहाँ सभ अज्ञानी छलहुँ आ अपन अधलाह इच्‍छा सभक अनुसार आचरण करैत छलहुँ।
14 Como filhos obedientes, não se deixem amoldar pelos maus desejos de outrora, quando viviam na ignorância.
15 परमेश्‍वर, जे अहाँ सभ केँ बजौने छथि, से पवित्र छथि। तहिना अहूँ सभ अपन सम्‍पूर्ण आचरण-व्‍यवहार मे पवित्र बनू।
15 Mas, assim como é santo aquele que os chamou, sejam santos vocês também em tudo o que fizerem,
16 कारण, ओ धर्मशास्‍त्र मे कहैत छथि जे, “अहाँ सभ पवित्र बनू, किएक तँ हम पवित्र छी।”
16 pois está escrito: "Sejam santos, porque eu sou santo".
17 जँ अहाँ सभ तिनका सँ “पिता” कहि कऽ प्रार्थना करैत छियनि, जे बिनु पक्षपात कयने प्रत्‍येक मनुष्‍यक ओकर काजक अनुसार न्‍याय करैत छथि, तँ जाबत धरि अहाँ सभ एहि संसार मे परदेशी भऽ कऽ रहैत छी ताबत धरि हुनका पर श्रद्धा रखैत अपन जीवन व्‍यतीत करू।
17 Uma vez que vocês chamam Pai aquele que julga imparcialmente as obras de cada um, portem-se com temor durante a jornada terrena de vocês.
18 अहाँ सभ तँ जनैत छी जे ओहि बेकारक जीवन-चर्या सँ जे अहाँ सभ केँ अपना पूर्वज सभ सँ प्राप्‍त भेल, ताहि सँ अहाँ सभ केँ मुक्‍त करबाक लेल एकटा दाम चुकाओल गेल, मुदा से दाम सोन-चानी जकाँ नष्‍ट होमऽ वला वस्‍तु सभ नहि छल,
18 Pois vocês sabem que não foi por meio de coisas perecíveis como prata ou ouro que vocês foram redimidos da sua maneira vazia de viver que lhes foi transmitida por seus antepassados,
19 बल्‍कि निर्दोष आ निष्‍कलंक बलि-भेँड़ाक बहुमूल्‍य खून, अर्थात्‌ मसीहक बहाओल खून, छल।
19 mas pelo precioso sangue de Cristo, como de um cordeiro sem mancha e sem defeito,
20 मसीह संसारक सृष्‍टि सँ पहिनहि चुनल गेल छलाह, मुदा अहाँ सभक हितक लेल एहि अन्‍तिमे समय मे प्रगट कयल गेलाह।
20 conhecido antes da criação do mundo, revelado nestes últimos tempos em favor de vocês.
21 हुनके द्वारा अहाँ सभ परमेश्‍वर पर विश्‍वास कयलहुँ, जे हुनका मृत्‍यु सँ जिऔलथिन आ महिमा प्रदान कयलथिन। आब अहाँ सभक विश्‍वास आ भरोसा परमेश्‍वर पर टिकल अछि।
21 Por meio dele vocês crêem em Deus, que o ressuscitou dentre os mortos e o glorificou, de modo que a fé e a esperança de vocês estão em Deus.
22 आब अहाँ सभ जँ आज्ञाकारी बनि सत्‍य केँ स्‍वीकार कऽ कऽ अपन आत्‍मा केँ पवित्र कऽ लेने छी, जाहि सँ अपना भाय सभक लेल निष्‍कपट प्रेम-भाव रखैत छी, तँ एक-दोसर सँ पूरा मोन सँ प्रेम करैत रहबाक लक्ष्‍य बनाउ।
22 Agora que vocês purificaram as suas vidas pela obediência à verdade, visando ao amor fraternal e sincero, amem sinceramente uns aos outros e de todo o coração.
23 कारण, अहाँ सभ दोहरा कऽ जन्‍म लेने छी, आ अहाँ सभक ई नव जन्‍म नाश होमऽ वला बीया सँ नहि, बल्‍कि ओहन बीया सँ भेल अछि जे कहियो नाश नहि होयत—ई परमेश्‍वरक जीवित और अटल वचन द्वारा भेल अछि।
23 Pois vocês foram regenerados, não de uma semente perecível, mas imperecível, por meio da palavra de Deus, viva e permanente.
24 किएक तँ लिखल अछि जे,
24 Pois, "toda a humanidade é como a relva, e toda a sua glória, como a flor da relva; a relva murcha e cai a sua flor,
25 मुदा प्रभुक वचन युगानुयुग स्‍थिर रहैत अछि।”
25 mas a palavra do Senhor permanece para sempre". Essa é a palavra que lhes foi anunciada.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Pedro 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.