1 Coríntios 16

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 आब प्रभुक लोकक लेल चन्‍दा जमा करबाक सम्‍बन्‍ध मे हम ई कहऽ चाहैत छी जे, अहूँ सभ ओहिना करू जेना हम गलातिया प्रदेशक मण्‍डली सभ केँ कहि देने छी।
1 Quanto à coleta em benefício dos santos, segui também vós as diretrizes que eu tracei às igrejas da Galácia.
2 सप्‍ताहक पहिल दिन मे प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति अपन कमाइक अनुसार किछु अलग कऽ कऽ जमा करैत जाय। एहि तरहेँ हमरा पहुँचला पर चन्‍दा जमा करबाक आवश्‍यकता नहि रहत।
2 No primeiro dia da semana, cada um de vós ponha de parte o que tiver podido poupar, para que não esperem a minha chegada para fazer as coletas.
3 जखन हम आयब तँ जकरा सभ केँ अहाँ सभ उपयुक्‍त बुझब तकरा सभ केँ हम परिचय-पत्र दऽ कऽ अहाँ सभ द्वारा जमा कयल दान यरूशलेम पहुँचयबाक लेल पठा देबैक।
3 Quando chegar, enviarei, com uma carta, os que tiverdes escolhido para levar a Jerusalém a vossa oferta.
4 आ जँ यैह उचित बुझायत जे हमहूँ जाइ तँ ओ सभ हमरा संग जायत।
4 Se valer a pena que eu também vá, irão comigo.
5 हम मकिदुनिया प्रदेश दऽ कऽ अहाँ सभक ओतऽ आयब, कारण हमरा मकिदुनियाक यात्रा करबाक कार्यक्रम अछि।
5 Irei ter convosco, depois que tiver passado pela Macedônia; apenas passarei por lá.
6 सम्‍भव अछि जे हम अहाँ सभक संग विशेष दिन ठहरी वा जाड़क समय सेहो बिताबी, जाहि सँ ओतऽ सँ हमरा जाहिठाम जयबाक रहत ताहिठामक लेल अहाँ सभ हमरा जयबाक प्रबन्‍ध कऽ सकी।
6 Talvez fique convosco ou até passe todo o inverno, para que me leveis aonde eu tenho de ir.
7 हम अहाँ सभ सँ एखन रस्‍ते मे भेँट नहि करऽ चाहैत छी, बल्‍कि, जँ प्रभुक इच्‍छा होयतनि, तँ हमरा बेसी दिन तक अहाँ सभक संग रहबाक आशा अछि।
7 Desta vez, quero vos ver não somente de passagem, mas espero demorar-me algum tempo convosco, se o Senhor o permitir.
8 मुदा हम पेन्‍तेकुस्‍त पाबनि धरि इफिसुसे मे रहब,
8 Ficarei em Éfeso até Pentecostes:
9 किएक तँ एतऽ फलदायक काजक लेल हमरा आगाँ एक विशाल द्वारि खुजल अछि, आ बहुत विरोधी सभ सेहो अछि।
9 aí se me abriu uma grande porta à minha atividade e os adversários aí são muitos.
10 जँ तिमुथियुस अबथि तँ हुनकर ध्‍यान रखबनि जे अहाँ सभक बीच हुनका कोनो प्रकारक भय नहि होनि कारण हमरे जकाँ ओहो प्रभुक काज कऽ रहल छथि।
10 Se Timóteo for visitar-vos, vede que esteja sem preocupação entre vós, porque trabalha exatamente como eu na obra do Senhor.
11 एहि लेल केओ हुनका तुच्‍छ नहि बुझनि। हुनका आशीर्वाद दऽ कऽ हमरा लग पठा देबनि। हम बाट ताकि रहल छी जे भाइ सभक संग ओ कहिया आबि जयताह।
11 Portanto, ninguém o despreze. E preparai-lhe a viagem em paz para que venha ter comigo, porque o espero com os irmãos.
12 आब भाइ अपुल्‍लोसक सम्‍बन्‍ध मे—हम हुनका बहुत आग्रह कयलियनि जे भाइ सभक संग ओ अहाँ सभ लग चल जाथि, मुदा एहि समय मे ओ नहि जाय चाहैत छथि। अवसर भेटला पर ओ जयताह।
12 Quanto ao nosso irmão Apolo, roguei-lhe muito fosse ter convosco com os irmãos, mas de modo algum quis ele ir agora. Contudo irá ver-vos, quando tiver oportunidade.
13 सतर्क रहू, ओहि सिद्धान्‍त पर अटल रहू जाहि पर अहाँ सभक विश्‍वास आधारित अछि। साहसी आ मजगूत बनल रहू।
13 Vigiai! Sede firmes na fé! Sede homens! Sede fortes!
14 जे किछु करी से प्रेम सँ करू।
14 Tudo o que fazeis, fazei-o na caridade.
15 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ स्‍तेफनासक घरक लोक सभ सँ परिचित छी जे ओ सभ अखाया प्रदेश मे पहिल व्‍यक्‍ति सभ छथि जे मसीहक विश्‍वासी भेलाह आ प्रभुक लोक सभक सेवा मे समर्पित छथि।
15 Ainda uma recomendação, irmãos: sabeis que a família de Estéfanas são as primícias da Acaia e se consagraram ao serviço dos santos.
16 आब हम अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे एहन लोकक अगुआइ स्‍वीकार करू, आ आनो सभक जे सभ हिनका सभ जकाँ प्रभुक काज मे संग दऽ परिश्रम करैत छथि।
16 Tratai essas pessoas com consideração, bem como todos aqueles que ajudam e trabalham na mesma obra.
17 स्‍तेफनास, फूरतुनातुस आ अखइकुस केँ आबि गेला सँ हमरा बहुत प्रसन्‍नता अछि। अहाँ सभ हमरा संग नहि रहि कऽ जे सहायता नहि कऽ सकलहुँ ताहि कमी केँ ओ सभ पूरा कऽ देलनि।
17 Eu me alegro com a vinda de Estéfanas, Fortunato e Acaico, porque eles supriram a vossa ausência,
18 ओ सभ हमरो आ अहूँ सभक मोन केँ प्रोत्‍साहित कऽ देलनि अछि। एहन लोक सभ केँ विशेष मान्‍यता दिअ।
18 e tranqüilizaram o meu espírito e o vosso. Tende, pois, consideração a tais homens.
19 आसिया प्रदेशक मण्‍डली सभक दिस सँ अहाँ सभ केँ नमस्‍कार। अक्‍विला आ प्रिस्‍किला आ हुनका घर मे जमा होमऽ वला मण्‍डली प्रभु मे अहाँ सभ केँ हार्दिक नमस्‍कार कहैत छथि।
19 As igrejas da Ásia vos saúdam. Áquila e Prisca, com a comunidade que se reúne em sua casa, enviam-vos muitas saudações.
20 एतुका सभ भाइ लोकनि अहाँ सभ केँ नमस्‍कार कहैत छथि। पवित्र मोन सँ एक-दोसर केँ सस्‍नेह नमस्‍कार करू।
20 Todos os irmãos vos saúdam. Saudai-vos uns aos outros com ósculo santo.
21 हम, पौलुस, अपन नमस्‍कार अपने हाथ सँ लिखि रहल छी।
21 Esta saudação escrevo-a de próprio punho: PAULO.
22 जँ केओ प्रभु सँ प्रेम नहि राखय तँ ओ सरापित होअय।
22 Se alguém não amar o Senhor, seja maldito! Maran atá.
23 प्रभु यीशुक कृपा अहाँ सभ पर बनल रहय।
23 A graça do Senhor Jesus esteja convosco.
24 मसीह यीशु मे अहाँ सभ गोटे केँ हमर प्रेम। आमीन।
24 Eu vos amo a todos vós em Cristo Jesus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.