1 Coríntios 12
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 यौ भाइ लोकनि, हम चाहैत छी जे अहाँ सभ आत्मिक वरदान सभक विषय मे ठीक सँ बुझी।
1 A respeito dos dons espirituais, irmãos, não quero que vivais na ignorância.
2 अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे जखन अहाँ सभ प्रभु सँ अपरिचित छलहुँ तखन कोनो ने कोनो तरहेँ प्रभावित भऽ अहाँ सभ बौक मुरुत सभक दिस भटकाओल जाइत छलहुँ।
2 Sabeis que, quando éreis pagãos, vos deixáveis levar, conforme vossas tendências, aos ídolos mudos.
3 एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जे परमेश्वरक आत्माक प्रेरणा सँ बाजऽ वला केओ एना नहि कहैत अछि जे, “यीशु सरापित होओ” आ ने पवित्र आत्माक प्रेरणा बिना केओ ई कहि सकैत अछि जे, “यीशुए प्रभु छथि।”
3 Por isso, eu vos declaro: ninguém, falando sob a ação divina, pode dizer: Jesus seja maldito e ninguém pode dizer: Jesus é o Senhor, senão sob a ação do Espírito Santo.
4 वरदान विभिन्न प्रकारक अछि मुदा वरदान देबऽ वला पवित्र आत्मा एकेटा छथि।
4 Há diversidade de dons, mas um só Espírito.
5 सेवाक काज सेहो अनेक प्रकारक अछि मुदा एकेटा प्रभु छथि जिनकर सेवा कयल जाइत अछि।
5 Os ministérios são diversos, mas um só é o Senhor.
6 काज अनेक तरीका सँ होइत अछि मुदा सभ लोक मे एकेटा परमेश्वर ओहि सभ काज मे क्रियाशील छथि।
6 Há também diversas operações, mas é o mesmo Deus que opera tudo em todos.
7 सभक हितक लेल एक-एक व्यक्ति मे पवित्र आत्माक उपस्थिति कोनो ने कोनो रूप मे प्रगट कयल जाइत अछि।
7 A cada um é dada a manifestação do Espírito para proveito comum.
8 पवित्र आत्मा द्वारा किनको बुद्धिपूर्ण बात बजबाक आ किनको ओही पवित्र आत्मा द्वारा ज्ञानक बात बजबाक वरदान भेटैत अछि।
8 A um é dada pelo Espírito uma palavra de sabedoria; a outro, uma palavra de ciência, por esse mesmo Espírito;
9 किनको ओही पवित्र आत्मा द्वारा विशेष विश्वास आ किनको ओही पवित्र आत्मा द्वारा बिमार लोक केँ स्वस्थ करबाक वरदान सभ देल जाइत अछि,
9 a outro, a fé, pelo mesmo Espírito; a outro, a graça de curar as doenças, no mesmo Espírito;
10 किनको चमत्कारक काज सभ करबाक वरदान, किनको प्रभुक दिस सँ सम्बाद पयबाक आ सुनयबाक वरदान, किनको ई चिन्हबाक वरदान जे कोनो बात परमेश्वरक आत्माक दिस सँ अछि वा दोसर आत्माक दिस सँ, किनको अनजान भाषा बजबाक वरदान आ किनको ओहि भाषा सभक अर्थ बुझयबाक वरदान देल जाइत अछि।
10 a outro, o dom de milagres; a outro, a profecia; a outro, o discernimento dos espíritos; a outro, a variedade de línguas; a outro, por fim, a interpretação das línguas.
11 ई सभ ओही एक पवित्र आत्माक काज छनि जे अपन इच्छाक अनुसार एक-एक व्यक्ति केँ वरदान बँटैत छथि।
11 Mas um e o mesmo Espírito distribui todos estes dons, repartindo a cada um como lhe apraz.
12 जहिना मनुष्यक शरीर एक अछि, मुदा तैयो ओकर बहुत अंग होइत अछि आ सभ अंग अनेक होइतो एकेटा शरीर अछि, तहिना मसीह सेहो छथि।
12 Porque, como o corpo é um todo tendo muitos membros, e todos os membros do corpo, embora muitos, formam um só corpo, assim também é Cristo.
13 किएक तँ, अपना सभ यहूदी होइ वा यूनानी, गुलाम होइ वा स्वतन्त्र, एके शरीर होयबाक लेल अपना सभ गोटे केँ एके पवित्र आत्मा द्वारा बपतिस्मा देल गेल अछि। सभ केँ एके पवित्र आत्मा पिआओल गेल छथि।
13 Em um só Espírito fomos batizados todos nós, para formar um só corpo, judeus ou gregos, escravos ou livres; e todos fomos impregnados do mesmo Espírito.
14 शरीर मे सेहो एक नहि, अनेक अंग अछि।
14 Assim o corpo não consiste em um só membro, mas em muitos.
15 जँ पयर कहय, “हम हाथ नहि छी, एहि लेल हम शरीरक अंग नहि छी,” तँ की ओ एहि कारणेँ शरीरक अंग नहि भेल?
15 Se o pé dissesse: Eu não sou a mão; por isso, não sou do corpo, acaso deixaria ele de ser do corpo?
16 जँ कान कहय, “हम आँखि नहि छी, एहि लेल हम शरीरक अंग नहि छी,” तँ की एहि कारणेँ ओ शरीरक अंग नहि भेल?
16 E se a orelha dissesse: Eu não sou o olho; por isso, não sou do corpo, deixaria ela de ser do corpo?
17 जँ सम्पूर्ण शरीर आँखिए होइत तँ ओ सुनैत कोना? जँ सम्पूर्ण शरीर काने होइत तँ ओ सुँघैत कोना?
17 Se o corpo todo fosse olho, onde estaria o ouvido? Se fosse todo ouvido, onde estaria o olfato?
18 मुदा परमेश्वर अपन इच्छाक अनुसार प्रत्येक अंग केँ शरीर मे अपन स्थान पर राखि देने छथि।
18 Mas Deus dispôs no corpo cada um dos membros como lhe aprouve.
19 जँ सभ एकेटा अंग रहैत तँ शरीर कोना होइत?
19 Se todos fossem um só membro, onde estaria o corpo?
20 मुदा वास्तविकता ई अछि जे अंग अनेक अछि, तैयो शरीर एक अछि।
20 Há, pois, muitos membros, mas um só corpo.
21 आँखि हाथ केँ नहि कहि सकैत अछि जे, “हमरा तोहर आवश्यकता नहि,” आ ने मूड़ी पयर केँ कहि सकैत अछि जे, “हमरा तोहर आवश्यकता नहि।”
21 O olho não pode dizer à mão: Eu não preciso de ti; nem a cabeça aos pés: Não necessito de vós.
22 उल्टे, शरीरक जे-जे अंग कम महत्वक बुझल जाइत अछि से सभ अत्यन्त आवश्यक अछि।
22 Antes, pelo contrário, os membros do corpo que parecem os mais fracos, são os mais necessários.
23 शरीरक जाहि-जाहि अंग केँ अपना सभ कम आदरक योग्य बुझैत छी तकरे सभ पर विशेष ध्यान दैत छी। जे-जे अंग अशोभनीय अछि तकरा झाँपि कऽ शोभनीय बनबैत छी
23 E os membros do corpo que temos por menos honrosos, a esses cobrimos com mais decoro. Os que em nós são menos decentes, recatamo-los com maior empenho,
24 मुदा अपना सभक शोभनीय अंग सभक लेल एकर आवश्यकता नहि होइत अछि। परमेश्वर अपना सभक शरीरक अंग केँ एना कऽ जोड़ि देने छथि जाहि सँ कम आदरणीय अंग सभ केँ विशेष आदर भेटैक
24 ao passo que os membros decentes não reclamam tal cuidado. Deus dispôs o corpo de tal modo que deu maior honra aos membros que não a têm,
25 आ शरीर मे फूट उत्पन्न नहि होअय, बल्कि शरीरक सभ अंग एक-दोसराक बराबरि-बराबरि चिन्ता करय।
25 para que não haja dissensões no corpo e que os membros tenham o mesmo cuidado uns para com os outros.
26 जँ एक अंग केँ पीड़ा होइत छैक तँ ओकरा संग सभ अंग केँ पीड़ा होइत छैक। जँ एक अंग केँ सम्मान होइत छैक तँ ओकरा संग सभ अंग आनन्द मनबैत अछि।
26 Se um membro sofre, todos os membros padecem com ele; e se um membro é tratado com carinho, todos os outros se congratulam por ele.
27 एही तरहेँ अहाँ सभ मिलि कऽ मसीहक शरीर छी आ अहाँ सभ मे सँ प्रत्येक व्यक्ति तकर एक अंग छी।
27 Ora, vós sois o corpo de Cristo e cada um, de sua parte, é um dos seus membros.
28 परमेश्वर मण्डली मे सभ केँ अपन-अपन स्थान पर राखि देने छथि—सभ सँ पहिल मसीह-दूत सभ केँ, दोसर, परमेश्वरक प्रवक्ता सभ केँ, तेसर शिक्षा देनिहार सभ केँ, तकरबाद चमत्कारक काज कयनिहार सभ केँ, स्वस्थ करबाक वरदान पौनिहार सभ केँ, दोसराक सहायता करऽ वला सभ केँ, अगुआइ करबाक वरदान पौनिहार सभ केँ और अनजान भाषा बजबाक वरदान पौनिहार सभ केँ।
28 Na Igreja, Deus constituiu primeiramente os apóstolos, em segundo lugar os profetas, em terceiro lugar os doutores, depois os que têm o dom dos milagres, o dom de curar, de socorrer, de governar, de falar diversas línguas.
29 की सभ केओ मसीह-दूत छथि? की सभ केओ परमेश्वरक प्रवक्ता छथि? की सभ केओ शिक्षा देनिहार छथि? की सभ केओ चमत्कारक काज कयनिहार छथि?
29 São todos apóstolos? São todos profetas? São todos doutores?
30 की सभ केओ स्वस्थ करबाक वरदान पौनिहार छथि? की सभ केओ अनजान भाषा बजनिहार छथि? की सभ केओ अनजान भाषा मे बाजल बातक अर्थ बतौनिहार छथि?
30 Fazem todos milagres? Têm todos a graça de curar? Falam todos em diversas línguas? Interpretam todos?
31 अहाँ सभ श्रेष्ठ वरदान सभ पयबाक लेल उत्सुक रहू।
31 Aspirai aos dons superiores. E agora, ainda vou indicar-vos o caminho mais excelente de todos.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.