1 Coríntios 12

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यौ भाइ लोकनि, हम चाहैत छी जे अहाँ सभ आत्‍मिक वरदान सभक विषय मे ठीक सँ बुझी।
1 Acerca dos dons espirituais, não quero, irmãos, que sejais ignorantes.
2 अहाँ सभ केँ बुझले अछि जे जखन अहाँ सभ प्रभु सँ अपरिचित छलहुँ तखन कोनो ने कोनो तरहेँ प्रभावित भऽ अहाँ सभ बौक मुरुत सभक दिस भटकाओल जाइत छलहुँ।
2 Vós bem sabeis que éreis gentios, levados aos ídolos mudos, conforme éreis guiados.
3 एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जे परमेश्‍वरक आत्‍माक प्रेरणा सँ बाजऽ वला केओ एना नहि कहैत अछि जे, “यीशु सरापित होओ” आ ने पवित्र आत्‍माक प्रेरणा बिना केओ ई कहि सकैत अछि जे, “यीशुए प्रभु छथि।”
3 Portanto, vos quero fazer compreender que ninguém que fala pelo Espírito de Deus diz: Jesus é anátema! E ninguém pode dizer que Jesus é o Senhor, senão pelo Espírito Santo.
4 वरदान विभिन्‍न प्रकारक अछि मुदा वरदान देबऽ वला पवित्र आत्‍मा एकेटा छथि।
4 Ora, há diversidade de dons, mas o Espírito é o mesmo.
5 सेवाक काज सेहो अनेक प्रकारक अछि मुदा एकेटा प्रभु छथि जिनकर सेवा कयल जाइत अछि।
5 E há diversidade de ministérios, mas o Senhor é o mesmo.
6 काज अनेक तरीका सँ होइत अछि मुदा सभ लोक मे एकेटा परमेश्‍वर ओहि सभ काज मे क्रियाशील छथि।
6 E há diversidade de operações, mas é o mesmo Deus que opera tudo em todos.
7 सभक हितक लेल एक-एक व्‍यक्‍ति मे पवित्र आत्‍माक उपस्‍थिति कोनो ने कोनो रूप मे प्रगट कयल जाइत अछि।
7 Mas a manifestação do Espírito é dada a cada um para o que for útil.
8 पवित्र आत्‍मा द्वारा किनको बुद्धिपूर्ण बात बजबाक आ किनको ओही पवित्र आत्‍मा द्वारा ज्ञानक बात बजबाक वरदान भेटैत अछि।
8 Porque a um, pelo Espírito, é dada a palavra da sabedoria; e a outro, pelo mesmo Espírito, a palavra da ciência;
9 किनको ओही पवित्र आत्‍मा द्वारा विशेष विश्‍वास आ किनको ओही पवित्र आत्‍मा द्वारा बिमार लोक केँ स्‍वस्‍थ करबाक वरदान सभ देल जाइत अछि,
9 e a outro, pelo mesmo Espírito, a fé; e a outro, pelo mesmo Espírito, os dons de curar;
10 किनको चमत्‍कारक काज सभ करबाक वरदान, किनको प्रभुक दिस सँ सम्‍बाद पयबाक आ सुनयबाक वरदान, किनको ई चिन्‍हबाक वरदान जे कोनो बात परमेश्‍वरक आत्‍माक दिस सँ अछि वा दोसर आत्‍माक दिस सँ, किनको अनजान भाषा बजबाक वरदान आ किनको ओहि भाषा सभक अर्थ बुझयबाक वरदान देल जाइत अछि।
10 e a outro, a operação de maravilhas; e a outro, a profecia; e a outro, o dom de discernir os espíritos; e a outro, a variedade de línguas; e a outro, a interpretação das línguas.
11 ई सभ ओही एक पवित्र आत्‍माक काज छनि जे अपन इच्‍छाक अनुसार एक-एक व्‍यक्‍ति केँ वरदान बँटैत छथि।
11 Mas um só e o mesmo Espírito opera todas essas coisas, repartindo particularmente a cada um como quer.
12 जहिना मनुष्‍यक शरीर एक अछि, मुदा तैयो ओकर बहुत अंग होइत अछि आ सभ अंग अनेक होइतो एकेटा शरीर अछि, तहिना मसीह सेहो छथि।
12 Porque, assim como o corpo é um e tem muitos membros, e todos os membros, sendo muitos, são um só corpo, assim é Cristo também.
13 किएक तँ, अपना सभ यहूदी होइ वा यूनानी, गुलाम होइ वा स्‍वतन्‍त्र, एके शरीर होयबाक लेल अपना सभ गोटे केँ एके पवित्र आत्‍मा द्वारा बपतिस्‍मा देल गेल अछि। सभ केँ एके पवित्र आत्‍मा पिआओल गेल छथि।
13 Pois todos nós fomos batizados em um Espírito, formando um corpo, quer judeus, quer gregos, quer servos, quer livres, e todos temos bebido de um Espírito.
14 शरीर मे सेहो एक नहि, अनेक अंग अछि।
14 Porque também o corpo não é um só membro, mas muitos.
15 जँ पयर कहय, “हम हाथ नहि छी, एहि लेल हम शरीरक अंग नहि छी,” तँ की ओ एहि कारणेँ शरीरक अंग नहि भेल?
15 Se o pé disser: Porque não sou mão, não sou do corpo; não será por isso do corpo?
16 जँ कान कहय, “हम आँखि नहि छी, एहि लेल हम शरीरक अंग नहि छी,” तँ की एहि कारणेँ ओ शरीरक अंग नहि भेल?
16 E, se a orelha disser: Porque não sou olho, não sou do corpo; não será por isso do corpo?
17 जँ सम्‍पूर्ण शरीर आँखिए होइत तँ ओ सुनैत कोना? जँ सम्‍पूर्ण शरीर काने होइत तँ ओ सुँघैत कोना?
17 Se todo o corpo fosse olho, onde estaria o ouvido? Se todo fosse ouvido, onde estaria o olfato?
18 मुदा परमेश्‍वर अपन इच्‍छाक अनुसार प्रत्‍येक अंग केँ शरीर मे अपन स्‍थान पर राखि देने छथि।
18 Mas, agora, Deus colocou os membros no corpo, cada um deles como quis.
19 जँ सभ एकेटा अंग रहैत तँ शरीर कोना होइत?
19 E, se todos fossem um só membro, onde estaria o corpo?
20 मुदा वास्‍तविकता ई अछि जे अंग अनेक अछि, तैयो शरीर एक अछि।
20 Agora, pois, há muitos membros, mas um corpo.
21 आँखि हाथ केँ नहि कहि सकैत अछि जे, “हमरा तोहर आवश्‍यकता नहि,” आ ने मूड़ी पयर केँ कहि सकैत अछि जे, “हमरा तोहर आवश्‍यकता नहि।”
21 E o olho não pode dizer à mão: Não tenho necessidade de ti; nem ainda a cabeça, aos pés: Não tenho necessidade de vós.
22 उल्‍टे, शरीरक जे-जे अंग कम महत्‍वक बुझल जाइत अछि से सभ अत्‍यन्‍त आवश्‍यक अछि।
22 Antes, os membros do corpo que parecem ser os mais fracos são necessários.
23 शरीरक जाहि-जाहि अंग केँ अपना सभ कम आदरक योग्‍य बुझैत छी तकरे सभ पर विशेष ध्‍यान दैत छी। जे-जे अंग अशोभनीय अछि तकरा झाँपि कऽ शोभनीय बनबैत छी
23 E os que reputamos serem menos honrosos no corpo, a esses honramos muito mais; e aos que em nós são menos decorosos damos muito mais honra.
24 मुदा अपना सभक शोभनीय अंग सभक लेल एकर आवश्‍यकता नहि होइत अछि। परमेश्‍वर अपना सभक शरीरक अंग केँ एना कऽ जोड़ि देने छथि जाहि सँ कम आदरणीय अंग सभ केँ विशेष आदर भेटैक
24 Porque os que em nós são mais honestos não têm necessidade disso, mas Deus assim formou o corpo, dando muito mais honra ao que tinha falta dela,
25 आ शरीर मे फूट उत्‍पन्‍न नहि होअय, बल्‍कि शरीरक सभ अंग एक-दोसराक बराबरि-बराबरि चिन्‍ता करय।
25 para que não haja divisão no corpo, mas, antes, tenham os membros igual cuidado uns dos outros.
26 जँ एक अंग केँ पीड़ा होइत छैक तँ ओकरा संग सभ अंग केँ पीड़ा होइत छैक। जँ एक अंग केँ सम्‍मान होइत छैक तँ ओकरा संग सभ अंग आनन्‍द मनबैत अछि।
26 De maneira que, se um membro padece, todos os membros padecem com ele; e, se um membro é honrado, todos os membros se regozijam com ele.
27 एही तरहेँ अहाँ सभ मिलि कऽ मसीहक शरीर छी आ अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति तकर एक अंग छी।
27 Ora, vós sois o corpo de Cristo e seus membros em particular.
28 परमेश्‍वर मण्‍डली मे सभ केँ अपन-अपन स्‍थान पर राखि देने छथि—सभ सँ पहिल मसीह-दूत सभ केँ, दोसर, परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ केँ, तेसर शिक्षा देनिहार सभ केँ, तकरबाद चमत्‍कारक काज कयनिहार सभ केँ, स्‍वस्‍थ करबाक वरदान पौनिहार सभ केँ, दोसराक सहायता करऽ वला सभ केँ, अगुआइ करबाक वरदान पौनिहार सभ केँ और अनजान भाषा बजबाक वरदान पौनिहार सभ केँ।
28 E a uns pôs Deus na igreja, primeiramente, apóstolos, em segundo lugar, profetas, em terceiro, doutores, depois, milagres, depois, dons de curar, socorros, governos, variedades de línguas.
29 की सभ केओ मसीह-दूत छथि? की सभ केओ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता छथि? की सभ केओ शिक्षा देनिहार छथि? की सभ केओ चमत्‍कारक काज कयनिहार छथि?
29 Porventura, são todos apóstolos? São todos profetas? São todos doutores? São todos operadores de milagres?
30 की सभ केओ स्‍वस्‍थ करबाक वरदान पौनिहार छथि? की सभ केओ अनजान भाषा बजनिहार छथि? की सभ केओ अनजान भाषा मे बाजल बातक अर्थ बतौनिहार छथि?
30 Têm todos o dom de curar? Falam todos diversas línguas? Interpretam todos?
31 अहाँ सभ श्रेष्‍ठ वरदान सभ पयबाक लेल उत्‍सुक रहू।
31 Portanto, procurai com zelo os melhores dons; e eu vos mostrarei um caminho ainda mais excelente.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.