Romanos 6

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 तखन की, अपना सभ आओर पाप करैत रही जाहि सँ परमेश्‍वर आओर कृपा करथि?
1 Que diremos, pois? Permaneceremos no pecado, para que a graça seja mais abundante?
2 किन्‍नहुँ नहि! अपना सभ जे पापक लेखेँ मरि गेल छी, आब पाप मे जीवन कोना व्‍यतीत करब?
2 De modo nenhum! Nós que estamos mortos para o pecado, como viveremos ainda nele?
3 की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे, अपना सभ गोटे जे बपतिस्‍मा लऽ कऽ मसीह यीशु मे सहभागी भेलहुँ से हुनका मृत्‍यु मे सेहो सहभागी भेलहुँ?
3 Ou não sabeis que todos quantos fomos batizados em Jesus Cristo fomos batizados na sua morte?
4 तेँ अपना सभ बपतिस्‍मा द्वारा हुनका मृत्‍यु मे सहभागी भऽ हुनका संग गाड़ल सेहो गेल छी जाहि सँ जहिना यीशु मसीह पिता परमेश्‍वरक महिमा द्वारा मुइल सभ मे सँ जिआओल गेलाह तहिना अपनो सभ एक नव जीवन जीबी।
4 De sorte que fomos sepultados com ele pelo batismo na morte; para que, como Cristo ressuscitou dos mortos pela glória do Pai, assim andemos nós também em novidade de vida.
5 जँ हुनका मृत्‍यु मे अपना सभ हुनका सँ संयुक्‍त भऽ गेल छी, तँ निश्‍चय हुनका जीबि उठनाइ मे सेहो अपना सभ हुनका सँ संयुक्‍त भऽ जायब।
5 Porque, se fomos plantados juntamente com ele na semelhança da sua morte, também o seremos na da sua ressurreição;
6 अपना सभ केँ ई कखनो नहि बिसरबाक चाही जे अपना सभक पहिलुका स्‍वभाव हुनके संग क्रूस पर चढ़ा देल गेल, जाहि सँ अपना सभ मेहक पापपूर्ण “हम” मरि जाय आ अपना सभ फेर पापक दास नहि बनी,
6 sabendo isto: que o nosso velho homem foi com ele crucificado, para que o corpo do pecado seja desfeito, a fim de que não sirvamos mais ao pecado.
7 किएक तँ मरल आदमी पर पाप केँ कोनो शक्‍ति नहि रहि जाइत छैक।
7 Porque aquele que está morto está justificado do pecado.
8 आब जँ अपना सभ मसीहक संग मरलहुँ तँ अपना सभ विश्‍वास करैत छी जे हुनका संग जीवित सेहो रहब।
8 Ora, se já morremos com Cristo, cremos que também com ele viveremos;
9 किएक तँ अपना सभ जनैत छी जे मसीह मुइल सभ मे सँ जिआओल गेलाक बाद फेर कहियो नहि मरताह। आब मृत्‍यु केँ हुनका पर कोनो अधिकार नहि रहल।
9 sabendo que, havendo Cristo ressuscitado dos mortos, já não morre; a morte não mais terá domínio sobre ele.
10 ओ जखन मरलाह तँ पाप केँ पराजित करबाक लेल सदाक लेल एके बेर मरलाह, आ जीबि उठि कऽ ओ आब परमेश्‍वरेक लेल जीबैत छथि।
10 Pois, quanto a ter morrido, de uma vez morreu para o pecado; mas, quanto a viver, vive para Deus.
11 एही तरहेँ अहाँ सभ सेहो अपना केँ पापक लेखेँ मुइल आ मसीह यीशु मे परमेश्‍वरक लेल जीवित बुझू।
11 Assim também vós considerai-vos como mortos para o pecado, mas vivos para Deus, em Cristo Jesus, nosso Senhor.
12 एहि लेल आब अहाँ सभ अपन नश्‍वर शरीर मे पाप केँ राज्‍य नहि करऽ दिअ जे ओकर अभिलाषा सभक अनुसार जीवन व्‍यतीत करी।
12 Não reine, portanto, o pecado em vosso corpo mortal, para lhe obedecerdes em suas concupiscências;
13 अहाँ सभ अपना शरीरक अंग सभ केँ दुष्‍टताक साधनक रूप मे पाप करबाक लेल समर्पित नहि करू। बल्‍कि मृत्‍यु सँ जीवन मे लाओल लोक सभ जकाँ अपना केँ परमेश्‍वर केँ समर्पित कऽ दिअ आ शरीरक अंग सभ केँ नीक काज करबाक साधनक रूप मे परमेश्‍वर केँ अर्पित करू।
13 nem tampouco apresenteis os vossos membros ao pecado por instrumentos de iniquidade; mas apresentai-vos a Deus, como vivos dentre mortos, e os vossos membros a Deus, como instrumentos de justiça.
14 तखन पाप अहाँ सभ पर राज्‍य नहि कऽ पाओत, किएक तँ अहाँ सभ धर्म-नियमक अधीन नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपाक अधीन छी।
14 Porque o pecado não terá domínio sobre vós, pois não estais debaixo da lei, mas debaixo da graça.
15 तखन की? की अपना सभ जँ धर्म-नियमक अधीन नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपाक अधीन छी, तँ एहि कारणेँ पाप करी? किन्‍नहुँ नहि!
15 Pois quê? Pecaremos porque não estamos debaixo da lei, mas debaixo da graça? De modo nenhum!
16 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे जकर आज्ञा मानबाक लेल अहाँ सभ अपना केँ दासक रूप मे समर्पित करैत छी, अहाँ सभ तकरे दास छी?—ओ चाहे पापक होइ, जकर परिणाम मृत्‍यु अछि, चाहे आज्ञाकारिताक, जकर परिणाम धार्मिकता अछि।
16 Não sabeis vós que a quem vos apresentardes por servos para lhe obedecer, sois servos daquele a quem obedeceis, ou do pecado para a morte, ou da obediência para a justiça?
17 परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद जे अहाँ सभ, जे सभ एक समय मे पापक दास छलहुँ, आब पूरा मोन सँ ओहि शिक्षाक आज्ञाकारी भऽ गेल छी जाहि मे अहाँ सभ सौंपल गेलहुँ।
17 Mas graças a Deus que, tendo sido servos do pecado, obedecestes de coração à forma de doutrina a que fostes entregues.
18 अहाँ सभ पाप सँ मुक्‍त कयल गेलहुँ और आब धार्मिकताक दास भऽ गेल छी।
18 E, libertados do pecado, fostes feitos servos da justiça.
19 हम ई साधारण मानव जीवनक उदाहरण, अर्थात्‌ दास आ मालिकक उदाहरण, एहि लेल प्रयोग कऽ रहल छी जे अहाँ सभक मानवीय दुर्बलताक कारणेँ बात बुझनाइ अहाँ सभक लेल कठिन अछि। अहाँ सभ जहिना पहिने अपना शरीरक अंग केँ अशुद्धता आ अधर्मक अधीन कयने छलहुँ, जाहि सँ दुराचार बढ़ल, तहिना आब अपना शरीरक अंग केँ धार्मिकताक अधीन करू, जाहि सँ अहाँ सभ पवित्र बनी।
19 Falo como homem, pela fraqueza da vossa carne; pois que, assim como apresentastes os vossos membros para servirem à imundícia e à maldade para a maldade, assim apresentai agora os vossos membros para servirem à justiça para a santificação.
20 किएक तँ जखन अहाँ सभ पापक दास छलहुँ तँ धार्मिकताक नियन्‍त्रण सँ अहाँ सभ स्‍वतन्‍त्र छलहुँ।
20 Porque, quando éreis servos do pecado, estáveis livres da justiça.
21 ओहि समय मे अहाँ सभ केँ ओहि कर्म सँ की लाभ भेल? आब ओहि बात सँ लज्‍जित होइत छी, कारण, ओकर परिणाम मृत्‍यु अछि।
21 E que fruto tínheis, então, das coisas de que agora vos envergonhais? Porque o fim delas é a morte.
22 मुदा आब अहाँ सभ पाप सँ छुटकारा पाबि परमेश्‍वरक दास बनि गेल छी, जकर फल अछि पवित्रता आ जकर परिणाम अछि अनन्‍त जीवन।
22 Mas, agora, libertados do pecado e feitos servos de Deus, tendes o vosso fruto para santificação, e por fim a vida eterna.
23 किएक तँ पापक मजदूरी अछि मृत्‍यु, मुदा परमेश्‍वरक वरदान अछि अनन्‍त जीवन जे अपना सभक प्रभु, मसीह यीशुक माध्‍यम सँ प्राप्‍त होइत अछि।
23 Porque o salário do pecado é a morte, mas o dom gratuito de Deus é a vida eterna, por Cristo Jesus, nosso Senhor.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.