Romanos 2

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 तेँ यौ दोष लगौनिहार, अहाँ जे केओ होइ, निरुत्तर छी, किएक तँ जाहि बात मे अहाँ अनका पर दोष लगबैत छी ताही मे अहाँ अपने केँ दोषी ठहरबैत छी, कारण, जे दोष अहाँ अनका पर लगबैत छी सैह काज अपनो करैत छी।
1 Assim, és inescusável, ó homem, quem quer que sejas, que te arvoras em juiz. Naquilo que julgas a outrem, a ti mesmo te condenas; pois tu, que julgas, fazes as mesmas coisas que eles.
2 और अपना सभ जनैत छी जे एहन अधलाह काज कयनिहार लोक सभ पर परमेश्‍वरक दिस सँ दण्‍डक आज्ञा उचिते होइत अछि।
2 Ora, sabemos que o juízo de Deus contra aqueles que fazem tais coisas corresponde à verdade.
3 यौ जी, अहाँ दोसर पर जे एहन काज करबाक दोष लगबैत छी आ स्‍वयं वैह काज करैत छी, तँ की अहाँ सोचैत छी जे अहाँ परमेश्‍वरक दण्‍डक आज्ञा सँ बाँचि जायब?
3 Tu, ó homem, que julgas os que praticam tais coisas, mas as cometes também, pensas que escaparás ao juízo de Deus?
4 वा की अहाँ परमेश्‍वरक असीम कृपा, सहनशीलता आ धैर्य केँ तुच्‍छ मानैत छी आ ई नहि जनैत छी जे परमेश्‍वर अपना कृपा द्वारा अहाँ केँ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करबाक अवसर दऽ रहल छथि?
4 Ou desprezas as riquezas da sua bondade, tolerância e longanimidade, desconhecendo que a bondade de Deus te convida ao arrependimento?
5 मुदा अपन जिद्दीपन आ अपरिवर्तित हृदयक कारणेँ अहाँ अपना लेल परमेश्‍वरक प्रकोप केँ ओहि दिनक लेल संचित कऽ रहल छी जहिया परमेश्‍वरक प्रकोप आ उचित न्‍याय प्रगट होयत।
5 Mas, pela tua obstinação e coração impenitente, vais acumulando ira contra ti, para o dia da cólera e da revelação do justo juízo de Deus,
6 परमेश्‍वर “प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ ओकर काजक अनुरूप फल देथिन।”
6 que retribuirá a cada um segundo as suas obras:
7 जे लोक सभ धैर्यपूर्बक सत्‍कर्म करैत रहि कऽ परमेश्‍वर सँ देल सम्‍मान, आदर और अमरत्‍वक खोज मे लागल रहैत अछि तकरा परमेश्‍वर अनन्‍त जीवन देथिन।
7 a vida eterna aos que, perseverando em fazer o bem, buscam a glória, a honra e a imortalidade;
8 मुदा जे केओ स्‍वार्थी लालसा सभक वश मे रहैत अछि आ सत्‍य केँ स्‍वीकार नहि करैत अछि, बल्‍कि अधर्म पर चलैत अछि, तकरा पर परमेश्‍वरक दण्‍ड आ क्रोध बरसत।
8 mas ira e indignação aos contumazes, rebeldes à verdade e seguidores do mal.
9 दुष्‍कर्म कयनिहार प्रत्‍येक मनुष्‍य पर कष्‍ट आ संकट आओत, पहिने यहूदी पर आ फेर आन जातिक लोक पर।
9 Tribulação e angústia sobrevirão a todo aquele que pratica o mal, primeiro ao judeu e depois ao grego;
10 मुदा सत्‍कर्म कयनिहार प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ सम्‍मान, आदर आ शान्‍ति भेटतैक, पहिने यहूदी केँ आ फेर आन जातिक लोक केँ।
10 mas glória, honra e paz a todo o que faz o bem, primeiro ao judeu e depois ao grego.
11 किएक तँ परमेश्‍वर ककरो संग पक्षपात नहि करैत छथि।
11 Porque, diante de Deus, não há distinção de pessoas.
12 ओ लोक, जकरा लग मूसा द्वारा देल गेल धर्म-नियम नहि छलैक आ ओहि अवस्‍था मे पाप कयलक से सभ बिनु धर्म-नियमक आधार पर नाश होयत, और ओ लोक, जकरा लग धर्म-नियम छलैक आ पाप कयलक तकर न्‍याय धर्म-नियमक अनुरूप कयल जयतैक।
12 Todos os que sem a lei pecaram, sem aplicação da lei perecerão; e quantos pecaram sob o regime da lei, pela lei serão julgados.
13 किएक तँ परमेश्‍वरक समक्ष ओ सभ धार्मिक नहि ठहरत जे सभ धर्म-नियमक सुननिहार अछि, बल्‍कि वैह सभ धार्मिक ठहराओल जायत जे सभ धर्म-नियमक पालन कयनिहार अछि।
13 Porque diante de Deus não são justos os que ouvem a lei, mas serão tidos por justos os que praticam a lei.
14 जखन गैर-यहूदी लोक, जकरा सभ केँ धर्म-नियम नहि भेटलैक, से सभ स्‍वभाव सँ धर्म-नियमक बात सभ पर चलैत अछि तखन ई बात प्रमाणित होइत अछि जे, ओना तँ मूसा केँ देल गेल धर्म-नियम ओकरा सभ लग नहि अछि, तैयो ओकरा सभक भीतर एकटा नियम अछि—
14 Os pagãos, que não têm a lei, fazendo naturalmente as coisas que são da lei, embora não tenham a lei, a si mesmos servem de lei;
15 ओकरा सभक आचरण सँ ई स्‍पष्‍ट देखाइ दैत अछि जे, धर्म-नियमक आदेश ओकरा सभक हृदय पर लिखल छैक। ओकर सभक भितरी मोन ओकरा सभ केँ कखनो दोषी तँ कखनो निर्दोष ठहरा कऽ एहि बातक गवाही सेहो दैत अछि।
15 eles mostram que o objeto da lei está gravado nos seus corações, dando-lhes testemunho a sua consciência, bem como os seus raciocínios, com os quais se acusam ou se escusam mutuamente.
16 ई बात सभ ओहि दिन स्‍पष्‍ट होयत जहिया हमर एहि शुभ समाचारक कथन अनुसार परमेश्‍वर यीशु मसीहक द्वारा लोक सभक गुप्‍त बात सभक न्‍याय करताह।
16 Isso aparecerá claramente no dia em que, segundo o meu Evangelho, Deus julgar as ações secretas dos homens, por Jesus Cristo.
17 अहाँ सभ, जे सभ यहूदी कहबैत छी, धर्म-नियम पर भरोसा रखैत छी आ परमेश्‍वरक लोक होयबाक घमण्‍ड करैत छी।
17 Mas tu, que és chamado judeu, e te apóias na lei, e te glorias de teu Deus;
18 परमेश्‍वरक इच्‍छाक ज्ञान अहाँ सभ केँ अछि और धर्म-नियमक शिक्षा पयबाक कारणेँ उत्तम बातक मोल जनैत छी।
18 tu, que conheces a sua vontade, e instruído pela lei sabes aquilatar a diferença das coisas;
19 अहाँ सभक धारणा अछि जे, अहाँ सभ आन्‍हर सभक लेल बाट देखौनिहार, अन्‍हार मे रहनिहार सभक लेल इजोत,
19 tu, que te ufanas de ser guia dos cegos, luzeiro dos que estão em trevas,
20 मूर्ख सभ केँ बुझौनिहार, और अज्ञानी सभक गुरु छी, किएक तँ अहाँ सभ केँ धर्म-नियमक द्वारा सम्‍पूर्ण ज्ञान आ सत्‍य प्राप्‍त भऽ गेल अछि।
20 doutor dos ignorantes, mestre dos simples, porque encontras na lei a regra da ciência e da verdade;
21 मुदा एकटा बात, अहाँ सभ जे अनका शिक्षा दैत छिऐक, की अपनो केँ शिक्षा दैत छी? अहाँ सभ उपदेश दैत छी जे चोरी नहि करू, की अपने चोरी करैत छी?
21 tu, que ensinas aos outros... não te ensinas a ti mesmo! Tu, que pregas que não se deve furtar, furtas!
22 अहाँ जे कहैत छी जे, परस्‍त्रीगमन नहि करू, की अहाँ करैत छी? अहाँ सभ मूर्ति सभ सँ घृणा करैत छी, की अहाँ सभ मन्‍दिर सभक धन केँ लुटैत छी?
22 Tu, que dizes que não se deve adulterar, adulteras! Tu, que abominas os ídolos, pilhas os seus templos!
23 अहाँ सभ धर्म-नियम पर घमण्‍ड करैत छी, की अहाँ सभ धर्म-नियमक उल्‍लंघन कऽ कऽ परमेश्‍वरक अपमान करैत छियनि?
23 Tu, que te glorias da lei, desonras a Deus pela transgressão da lei!
24 जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, “तोरा सभक कारणेँ अन्‍य जातिक बीच मे परमेश्‍वरक नामक निन्‍दा भऽ रहल अछि।”
24 Porque assim fala a Escritura: "Por vossa causa o nome de Deus é blasfemado entre os pagãos {Is 52,5}.
25 धर्म-नियमक अनुरूप कयल जाय वला विधि, खतना, सँ तखने लाभ होइत अछि जखन अहाँ धर्म-नियमक पालन करैत छी। जँ अहाँ धर्म-नियमक उल्‍लंघन करैत छी तँ अहाँक खतना करौनाइ बेकार अछि।
25 A circuncisão, em verdade, é proveitosa se guardares a lei. Mas, se fores transgressor da lei, serás, com tua circuncisão, um mero incircunciso.
26 एही तरहेँ, जँ बिनु खतना कराओल कोनो व्‍यक्‍ति धर्म-नियमक पालन करैत अछि, तँ की ओ तैयो खतना कराओल व्‍यक्‍ति नहि मानल जायत?
26 Se, portanto, o incircunciso observa os preceitos da lei, não será ele considerado como circunciso, apesar de sua incircuncisão?
27 एतबे नहि—ओहन मनुष्‍य जकरा शारीरिक रूप मे खतना नहि कयल गेल छैक, जँ धर्म-नियम पर चलैत अछि तँ ओ अहाँ केँ, जे लिखित रूप मे धर्म-नियम पाबि कऽ और खतना कराइओ कऽ धर्म-नियमक उल्‍लंघन करैत छी, दोषी ठहराओत।
27 Ainda mais, o incircunciso de nascimento, cumprindo a lei, te julgará que, com a letra e com a circuncisão, és transgressor da lei.
28 असल यहूदी ओ नहि, जे मात्र बाहरी रूप सँ यहूदी देखाइ दैत अछि। तहिना असल खतना ओ नहि, जे मात्र शरीर मे बाहरी चेन्‍ह अछि।
28 Não é verdadeiro judeu o que o é exteriormente, nem verdadeira circuncisão a que aparece exteriormente na carne.
29 असल यहूदी तँ ओ अछि जे मोन सँ यहूदी अछि, और असल खतना वैह अछि जे हृदय पर कयल गेल अछि। एहन खतना लिखित धर्म-नियम पर निर्भर नहि रहैत अछि, बल्‍कि पवित्र आत्‍मा द्वारा कयल जाइत अछि। एहन लोकक प्रशंसा मनुष्‍यक दिस सँ नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक दिस सँ होइत अछि।
29 Mas é judeu o que o é interiormente, e verdadeira circuncisão é a do coração, segundo o espírito da lei, e não segundo a letra. Tal judeu recebe o louvor não dos homens, e sim de Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.