Romanos 1

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 ई पत्र मसीह यीशुक सेवक पौलुसक दिस सँ अछि, जे मसीह-दूत होयबाक लेल बजाओल गेलहुँ आ परमेश्‍वरक ओहि शुभ समाचारक प्रचार करबाक लेल अलग कयल गेल छी,
1 Paulo, servo de Cristo Jesus, chamado para ser apóstolo, separado para o evangelho de Deus,
2 जाहि शुभ समाचारक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर पहिनहि सँ अपन प्रवक्‍ता सभक माध्‍यम सँ पवित्र धर्मशास्‍त्र मे वचन देने छथि।
2 o qual foi prometido por ele de antemão por meio dos seus profetas nas Escrituras Sagradas,
3 ई शुभ समाचार परमेश्‍वरक पुत्रक विषय मे अछि, जे मानवीय वंशावलीक अनुसार दाऊदक वंशज छलाह,
3 acerca de seu Filho, que, como homem, era descendente de Davi,
4 आ मुइल सभ मे सँ जीबि उठबाक कारणेँ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा सामर्थ्‍यक संग परमेश्‍वरक पुत्र प्रमाणित भेलाह। ओ छथि अपना सभक प्रभु, यीशु मसीह।
4 e que mediante o Espírito de santidade foi declarado Filho de Deus com poder, pela sua ressurreição dentre os mortos: Jesus Cristo, nosso Senhor.
5 हुनका द्वारा आ हुनकर नामक सम्‍मानक लेल हमरा सभ केँ मसीह-दूत बनबाक वरदान भेटल अछि जाहि सँ सभ जातिक लोकक बीच हम सभ हुनकर प्रचार करी आ ओ सभ विश्‍वास कऽ कऽ हुनकर अधीनता स्‍वीकार करनि।
5 Por meio dele e por causa do seu nome, recebemos graça e apostolado para chamar dentre todas as nações um povo para a obediência que vem pela fé.
6 ओहि लोक सभ मे अहूँ सभ छी, अहाँ सभ जे सभ यीशु मसीहक अपन लोक होयबाक लेल बजाओल गेल छी।
6 E vocês também estão entre os chamados para pertencerem a Jesus Cristo.
7 अहाँ सभ जे रोम शहर मे परमेश्‍वरक प्रिय लोक छी आ पवित्र होयबाक लेल बजाओल गेल छी, अहाँ सभ गोटे केँ हम ई पत्र लिखि रहल छी। अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि आ अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
7 A todos os que em Roma são amados de Deus e chamados para serem santos: A vocês, graça e paz da parte de Deus nosso Pai e do Senhor Jesus Cristo.
8 सर्वप्रथम हम यीशु मसीहक माध्‍यम सँ अहाँ सभक लेल अपना परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छिऐन, किएक तँ अहाँ सभक विश्‍वासक चर्चा समस्‍त संसार मे पसरि रहल अछि।
8 Antes de tudo, sou grato a meu Deus, mediante Jesus Cristo, por todos vocês, porque em todo o mundo está sendo anunciada a fé que vocês têm.
9 जाहि परमेश्‍वरक सेवा हम हुनकर पुत्रक शुभ समाचारक प्रचार कऽ कऽ अपन सम्‍पूर्ण हृदय सँ करैत छी, सैह हमर साक्षी छथि जे हम प्रार्थना सभ मे निरन्‍तर अहाँ सभ केँ स्‍मरण करैत रहैत छी,
9 Deus, a quem sirvo de todo o coração pregando o evangelho de seu Filho, é minha testemunha de como sempre me lembro de vocês
10 आ सदिखन ई विनती करैत छिऐन जे, जँ हुनकर इच्‍छा छनि, तँ ओ अन्‍त मे हमरा लेल अहाँ सभ लग अयबाक कोनो ने कोनो उपाय करताह।
10 em minhas orações; e peço que agora, finalmente, pela vontade de Deus, seja-me aberto o caminho para que eu possa visitá-los.
11 किएक तँ हमरा अहाँ सभ सँ भेँट करबाक बड्ड इच्‍छा अछि, जाहि सँ अहाँ सभ केँ विश्‍वास मे दृढ़ बनयबाक लेल, हम आत्‍मिक रूप सँ अहाँ सभक मदति कऽ सकी।
11 Anseio vê-los, a fim de compartilhar com vocês algum dom espiritual, para fortalecê-los,
12 वा एकरा एहि तरहेँ कहू—हम चाहैत छी जे अपना सभ एक संग रहि कऽ एक-दोसराक विश्‍वास द्वारा प्रोत्‍साहित होइ—अहाँ सभ हमरा विश्‍वास द्वारा आ हम अहाँ सभक विश्‍वास द्वारा।
12 isto é, para que eu e vocês sejamos mutuamente encorajados pela fé.
13 यौ भाइ लोकनि, हम नहि चाहैत छी जे अहाँ सभ एहि बात सँ अनजान रहू जे कतेको बेर हम अहाँ सभक लग अयबाक योजना बनौने छलहुँ, जाहि सँ जहिना दोसर गैर-यहूदी सभक बीच हम फलदायक काज कऽ सकलहुँ, तहिना अहूँ सभक बीच कऽ सकी, मुदा एखन तक ओहि योजना मे कोनो ने कोनो बाधा अबैत रहल अछि।
13 Quero que vocês saibam, irmãos, que muitas vezes planejei visitá-los, mas fui impedido de fazê-lo até agora. Meu propósito é colher algum fruto entre vocês, assim como tenho colhido entre os demais gentios.
14 हमरा यूनानी आ गैर-यूनानी सभक प्रति, और ज्ञानी आ अज्ञानी सभक प्रति एक दायित्‍व निर्वाह करबाक अछि।
14 Sou devedor tanto a gregos como a bárbaros, tanto a sábios como a ignorantes.
15 एहि लेल हम रोम मे सेहो अहाँ सभक बीच यीशु मसीहक शुभ समाचारक प्रचार करबाक लेल उत्‍सुक छी।
15 Por isso estou disposto a pregar o evangelho também a vocês que estão em Roma.
16 हम ई शुभ समाचार सुनाबऽ सँ लज्‍जित नहि होइत छी, किएक तँ ई शुभ समाचार ओ माध्‍यम अछि जाहि द्वारा परमेश्‍वर अपना सामर्थ्‍य सँ प्रत्‍येक विश्‍वास कयनिहार लोकक उद्धार करैत छथि, पहिने यहूदी सभक आ फेर आन जातिक लोक सभक।
16 Não me envergonho do evangelho, porque é o poder de Deus para a salvação de todo aquele que crê: primeiro do judeu, depois do grego.
17 एहि शुभ समाचार मे परमेश्‍वरक ओ योजना प्रगट होइत अछि जाहि योजना द्वारा ओ अपना नजरि मे लोक केँ धार्मिक ठहरबैत छथि, आ ई धार्मिकता शुरू सँ अन्‍त तक विश्‍वास पर आधारित अछि, जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “जे विश्‍वास द्वारा धार्मिक ठहराओल गेल अछि, से जीवन प्राप्‍त करत।”
17 Porque no evangelho é revelada a justiça de Deus, uma justiça que do princípio ao fim é pela fé, como está escrito: "O justo viverá pela fé".
18 परमेश्‍वरक क्रोध ओहन लोक सभक सभ प्रकारक अधर्म आ दुष्‍टता पर स्‍वर्ग सँ प्रगट भऽ रहल अछि जे सभ अपना दुष्‍टता द्वारा सत्‍य केँ झाँपि कऽ रखने अछि।
18 Portanto, a ira de Deus é revelada do céu contra toda impiedade e injustiça dos homens que suprimem a verdade pela injustiça,
19 कारण, परमेश्‍वरक सम्‍बन्‍ध मे जे किछु जानल जा सकैत अछि से ओकरा सभ पर स्‍पष्‍ट रूप सँ प्रगट भेल अछि। परमेश्‍वर अपने ओकरा सभ पर एहि बात केँ प्रगट कऽ देने छथिन।
19 pois o que de Deus se pode conhecer é manifesto entre eles, porque Deus lhes manifestou.
20 किएक तँ परमेश्‍वरक अदृश्‍य गुण, अर्थात् हुनकर अनन्‍त कालीन शक्‍ति आ ईश्‍वरीय स्‍वभाव, संसारक सृष्‍टिएक समय सँ हुनका रचना मे साफ-साफ देखाइ दैत अछि। तेँ ओकरा सभ केँ अपन आचरणक सफाइ देबाक कोनो बहाना नहि चलतैक।
20 Pois desde a criação do mundo os atributos invisíveis de Deus, seu eterno poder e sua natureza divina, têm sido vistos claramente, sendo compreendidos por meio das coisas criadas, de forma que tais homens são indesculpáveis;
21 किएक तँ ओ सभ परमेश्‍वर केँ जनितो ने हुनका परमेश्‍वर मानि कऽ समुचित आदर कयलकनि आ ने हुनका धन्‍यवाद देलकनि। ओ सभ निरर्थक कल्‍पना सभ मे पड़ि गेल आ ओकरा सभक विवेकहीन मोन अन्‍हार सँ भरि गेलैक।
21 porque, tendo conhecido a Deus, não o glorificaram como Deus, nem lhe renderam graças, mas os seus pensamentos tornaram-se fúteis e os seus corações insensatos se obscureceram.
22 ओ सभ अपना केँ बुद्धिमान बुझलक मुदा मूर्ख बनि गेल।
22 Dizendo-se sábios, tornaram-se loucos
23 ओ सभ अविनाशी परमेश्‍वरक वैभव आ महानताक स्‍थान पर नाशवान मनुष्‍य, चिड़ै-चुनमुन, चौपाया जानबर आ साँपक आकार मे बनाओल मूर्ति सभ केँ परमेश्‍वरक समतुल्‍य मानि अपनौलक।
23 e trocaram a glória do Deus imortal por imagens feitas segundo a semelhança do homem mortal, bem como de pássaros, quadrúpedes e répteis.
24 एहि लेल परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ ओकर अपन हृदयक काम-वासनाक अशुद्धता मे छोड़ि देलथिन जाहि सँ आपस मे ओ सभ अपना शरीर केँ अपवित्र करऽ लागल।
24 Por isso Deus os entregou à impureza sexual, segundo os desejos pecaminosos dos seus corações, para a degradação dos seus corpos entre si.
25 ओ सभ परमेश्‍वरक सत्‍यक बदला झूठ केँ अपनौलक आ सृष्‍टि कयल वस्‍तु सभक पूजा आ सेवा कयलक—नहि कि ओहि सृष्‍टिकर्ताक, जे सर्वदा धन्‍य छथि। आमीन।
25 Trocaram a verdade de Deus pela mentira, e adoraram e serviram a coisas e seres criados, em lugar do Criador, que é bendito para sempre. Amém.
26 यैह कारण अछि जे परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ नीच वासना सभ मे छोड़ि देलथिन। ओकरा सभक स्‍त्रिओ स्‍वभाविक सम्‍बन्‍धक स्‍थान पर अस्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध राखऽ लागलि।
26 Por causa disso Deus os entregou a paixões vergonhosas. Até suas mulheres trocaram suas relações sexuais naturais por outras, contrárias à natureza.
27 एही तरहेँ पुरुष सभ सेहो स्‍त्रीक संग होमऽ वला स्‍वभाविक सम्‍बन्‍ध केँ छोड़ि पुरुषक संग वला काम-वासनाक लेल उत्तेजित होमऽ लागल। पुरुष पुरुषेक संग निर्लज्‍ज कर्म कऽ अपने व्‍यक्‍तित्‍व मे अपन दुराचरणक उचित फल पौलक।
27 Da mesma forma, os homens também abandonaram as relações naturais com as mulheres e se inflamaram de paixão uns pelos outros. Começaram a cometer atos indecentes, homens com homens, e receberam em si mesmos o castigo merecido pela sua perversão.
28 एहि तरहेँ ओ सभ जखन परमेश्‍वरक सत्‍य-ज्ञान केँ रखनाइ महत्‍वपूर्ण नहि बुझलक तँ परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ भ्रष्‍ट मोनक वश मे छोड़ि देलथिन जाहि सँ ओ सभ अनुचित काज करय,
28 Além do mais, visto que desprezaram o conhecimento de Deus, ele os entregou a uma disposição mental reprovável, para praticarem o que não deviam.
29 — ausente —
29 Tornaram-se cheios de toda sorte de injustiça, maldade, ganância e depravação. Estão cheios de inveja, homicídio, rivalidades, engano e malícia. São bisbilhoteiros,
30 — ausente —
30 caluniadores, inimigos de Deus, insolentes, arrogantes e presunçosos; inventam maneiras de praticar o mal; desobedecem a seus pais;
31 ओ सभ विवेकहीन, विश्‍वासघाती, प्रेम-शुन्‍य और निर्दयी भऽ गेल अछि।
31 são insensatos, desleais, sem amor pela família, implacáveis.
32 ओ सभ परमेश्‍वरक ई उचित फैसला जनैत अछि जे एहन काज कयनिहार मृत्‍युदण्‍ड पयबाक जोगरक अछि, तैयो ओ सभ मात्र अपने नहि एहन काज करैत अछि, बल्‍कि एहन काज कयनिहार लोक सभक समर्थन सेहो करैत अछि।
32 Embora conheçam o justo decreto de Deus, de que as pessoas que praticam tais coisas merecem a morte, não somente continuam a praticá-las, mas também aprovam aqueles que as praticam.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.