Romanos 14

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 जे व्‍यक्‍ति विश्‍वास मे कमजोर अछि, तकरा स्‍वीकार करू और व्‍यक्‍तिगत विचारधाराक कारण ओकरा सँ वाद-विवाद नहि करू।
1 Ora, ao que é fraco na fé, acolhei-o, mas não para condenar-lhe os escrúpulos.
2 केओ विश्‍वास करैत अछि जे सभ प्रकारक भोजन कयनाइ उचित अछि। दोसर, जकर विश्‍वास कमजोर अछि, से मात्र साग-पात खाइत अछि।
2 Um crê que de tudo se pode comer, e outro, que é fraco, come só legumes.
3 जे व्‍यक्‍ति सभ चीज खाइत अछि, से शाकाहारी केँ हेय दृष्‍टि सँ नहि देखय, आ ने शाकाहारी तकरा पर दोष लगाबय, जे सभ चीज खाइत अछि, कारण, परमेश्‍वर ओकरा स्‍वीकार कयने छथि।
3 Quem come não despreze a quem não come; e quem não come não julgue a quem come; pois Deus o acolheu.
4 अहाँ के छी जे दोसराक नोकर पर दोष लगबैत छी? ओ ठीक करैत अछि वा नहि, से ओकर अपन मालिक कहताह, आ ओ अवश्‍य ठीक ठहरत, कारण प्रभु ओकरा ठीक करबाक सामर्थ्‍य देथिन।
4 Quem és tu, que julgas o servo alheio? Para seu próprio senhor ele está em pé ou cai; mas estará firme, porque poderoso é o Senhor para o firmar.
5 केओ एक दिन केँ दोसर दिन सँ नीक मानैत अछि आ दोसर व्‍यक्‍ति सभ दिन केँ बराबरि बुझैत अछि। एहन विषय सभक सम्‍बन्‍ध मे प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति अपना मोन मे निश्‍चय करओ।
5 Um faz diferença entre dia e dia, mas outro julga iguais todos os dias. Cada um esteja inteiramente convicto em sua própria mente.
6 जे व्‍यक्‍ति कोनो दिन केँ विशेष मानैत अछि से ओकरा प्रभुक आदरक लेल विशेष मानैत अछि। जे माँसु खाइत अछि से प्रभुक आदरक लेल खाइत अछि, कारण, ओ तकरा लेल प्रभु केँ धन्‍यवाद दैत अछि। आ जे परहेज करैत अछि से प्रभुक आदरक लेल परहेज करैत अछि और ओहो प्रभु केँ धन्‍यवाद दैत अछि।
6 Aquele que faz caso do dia, para o Senhor o faz. E quem come, para o Senhor come, porque dá graças a Deus; e quem não come, para o Senhor não come, e dá graças a Deus.
7 अपना सभ मे सँ केओ ने तँ अपना लेल जीबैत छी आ ने अपना लेल मरैत छी।
7 Porque nenhum de nós vive para si, e nenhum morre para si.
8 जँ जीवित रहैत छी तँ प्रभुक लेल आ जँ मरैत छी तँ प्रभुक लेल। तेँ अपना सभ जीबी वा मरी, प्रभुएक छी।
8 Pois, se vivemos, para o Senhor vivemos; se morremos, para o Senhor morremos. De sorte que, quer vivamos quer morramos, somos do Senhor.
9 एही लेल मसीह मरलाह आ जीवित भऽ उठलाह जाहि सँ ओ मरल सभ आ जीवित सभ, दूनूक प्रभु होथि।
9 Porque foi para isto mesmo que Cristo morreu e tornou a viver, para ser Senhor tanto de mortos como de vivos.
10 तखन अहाँ अपना भाय पर किएक दोष लगबैत छी? और एम्‍हर, अहाँ जे छी, अहाँ अपना भाय केँ हेय दृष्‍टि सँ किएक देखैत छी? कारण, अपना सभ गोटे केँ तँ परमेश्‍वरक न्‍याय-सिंहासनक सम्‍मुख ठाढ़ होयबाक अछि,
10 Mas tu, por que julgas teu irmão? Ou tu, também, por que desprezas teu irmão? Pois todos havemos de comparecer ante o tribunal de Deus.
11 किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
11 Porque está escrito: Por minha vida, diz o Senhor, diante de mim se dobrará todo joelho, e toda língua louvará a Deus.
12 एहि सँ ई स्‍पष्‍ट अछि जे अपना सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटे केँ अपन जीवनक लेखा परमेश्‍वर केँ देबऽ पड़त।
12 Assim, pois, cada um de nós dará conta de si mesmo a Deus.
13 तेँ आब सँ अपना सभ एक-दोसर पर दोष लगौनाइ छोड़ि दी। निश्‍चय कऽ लिअ जे अपन भायक बाट पर रोड़ा नहि अटकायब वा जाल नहि ओछायब।
13 Portanto não nos julguemos mais uns aos outros; antes o seja o vosso propósito não pôr tropeço ou escândalo ao vosso irmão.
14 हम प्रभु यीशुक लोक होयबाक कारणेँ जनैत छी, हमरा एहि बातक पूर्ण निश्‍चय अछि, जे कोनो भोजन अपने मे अशुद्ध नहि अछि। मुदा जँ कोनो व्‍यक्‍ति ओकरा अशुद्ध मानैत अछि तँ ओ वस्‍तु ओकरा लेल अशुद्ध अछि।
14 Eu sei, e estou certo no Senhor Jesus, que nada é de si mesmo imundo a não ser para aquele que assim o considera; para esse é imundo.
15 अहाँ जे वस्‍तु खाइत छी ताहि कारणेँ जँ अहाँक भाय केँ चोट लगैत छैक तँ अहाँ अपना भायक संग प्रेमपूर्ण आचरण नहि कऽ रहल छी। ओहि भायक लेल मसीह अपन प्राण देलनि, तँ अहाँ अपन भोजन द्वारा ओकर विनाशक कारण नहि बनू।
15 Pois, se pela tua comida se entristece teu irmão, já não andas segundo o amor. Não faças perecer por causa da tua comida aquele por quem Cristo morreu.
16 जे बात अहाँ नीक मानैत छी तकरा निन्‍दाक विषय नहि बनऽ दिअ।
16 Não seja pois censurado o vosso bem;
17 कारण, परमेश्‍वरक राज्‍य खयनाइ-पिनाइक बात नहि अछि, बल्‍कि परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सँ प्राप्‍त धार्मिकता, शान्‍ति आ आनन्‍दक बात अछि।
17 porque o reino de Deus não consiste no comer e no beber, mas na justiça, na paz, e na alegria no Espírito Santo.
18 जे केओ एहि तरहेँ मसीहक सेवा करैत अछि, तकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न रहैत छथिन आ ओकरा लोको सभ नीक मानैत छैक।
18 Pois quem nisso serve a Cristo agradável é a Deus e aceito aos homens.
19 तेँ अपना सभ एही प्रयत्‍न मे रही जे ओहने बात सभ करी जाहि बात सभ सँ मेल-मिलापक वृद्धि होइत अछि आ जाहि द्वारा अपना सभ एक-दोसराक आत्‍मिक उन्‍नति कऽ सकब।
19 Assim, pois, sigamos as coisas que servem para a paz e as que contribuem para a edificação mútua.
20 परमेश्‍वर जे काज कऽ रहल छथि तकरा भोजनक कारणेँ नहि बिगाड़ू। ई सत्‍य अछि जे सभ भोजन अपने मे शुद्ध अछि मुदा जँ कोनो वस्‍तु खयबाक कारणेँ दोसर व्‍यक्‍ति ओ खयबाक लेल प्रेरित भऽ जाइत अछि जे ओ गलत मानैत अछि, तँ खयनिहारक लेल ओ वस्‍तु खयनाइ गलत भऽ जाइत अछि।
20 Não destruas por causa da comida a obra de Deus. Na verdade tudo é limpo, mas é um mal para o homem dar motivo de tropeço pelo comer.
21 जँ अहाँक माँसु-मदिराक सेवन सँ वा अहाँक आन कोनो काज कयनाइ अहाँक भायक लेल पाप करबाक कारण बनत, तँ उचित ई होयत जे अहाँ तकर परहेज करब।
21 Bom é não comer carne, nem beber vinho, nem fazer outra coisa em que teu irmão tropece.
22 एहि बात सभक सम्‍बन्‍ध मे अहाँक जे धारणा होअय, तकरा परमेश्‍वरक सम्‍मुख अपना धरि सीमित राखू। धन्‍य अछि ओ मनुष्‍य जे जाहि बात केँ ओ ठीक बुझैत अछि, ताहि कारणेँ अपना केँ दोषी नहि पबैत अछि।
22 A fé que tens, guarda-a contigo mesmo diante de Deus. Bem-aventurado aquele que não se condena a si mesmo naquilo que aprova.
23 मुदा जे व्‍यक्‍ति सन्‍देह कऽ कऽ खाइत अछि, से दोषी ठहरैत अछि, कारण, ओ विश्‍वास सँ नहि खाइत अछि; आ जे किछु एहि विश्‍वास सँ नहि कयल जाइत अछि जे ई ठीक अछि, से पाप अछि।
23 Mas aquele que tem dúvidas, se come está condenado, porque o que faz não provém da fé; e tudo o que não provém da fé é pecado.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 14, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.