Romanos 13

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति शासन कयनिहार अधिकारी सभक अधीन रहओ। किएक तँ कोनो अधिकार एहन नहि अछि जे परमेश्‍वर द्वारा स्‍थापित नहि कयल गेल होअय—जे सभ शासन कऽ रहल छथि, तिनकर सभक अधिकार परमेश्‍वर सँ भेटल छनि।
1 Toda alma esteja sujeita às autoridades superiores; porque não há autoridade que não venha de Deus; e as autoridades existentes foram ordenadas por Deus.
2 एहि लेल, जे केओ शासनक विरोध करैत अछि से तकर विरोध करैत अछि जे परमेश्‍वर स्‍थापित कयने छथि, आ अपना पर दण्‍डक आज्ञा केँ बजबैत अछि।
2 Por isso, quem resiste à autoridade resiste à ordenação de Deus; e os que resistem receberão sobre si mesmos a condenação.
3 कारण, अधिकारी सभ उचित काज कयनिहार सभक लेल नहि, बल्‍कि गलत काज कयनिहार सभक लेल भय उत्‍पन्‍न करैत छथि। की अहाँ अधिकारी सँ निर्भय रहऽ चाहैत छी? तखन उचित काज करैत रहू आ ओ अहाँक प्रशंसा करताह।
3 Porque os governantes não são terror para as boas obras, mas para as más. Tu então não queres temer a autoridade? Faze o que é bom e terás louvor dela.
4 किएक तँ ओ अहाँक कल्‍याण करबाक लेल परमेश्‍वरक सेवक छथि। मुदा जँ अहाँ गलत काज करैत छी तँ हुनका सँ अवश्‍य भयभीत होउ, कारण, दण्‍ड देबाक अधिकार हुनका व्‍यर्थे नहि छनि। ओ परमेश्‍वरक सेवक छथि आ गलत काज कयनिहार लोक केँ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार दण्‍ड दैत छथि।
4 Porque ela é o ministro de Deus para o teu bem. Mas se tu fizeres o que é mau, teme, pois ela não traz a espada em vão; porque é ministro de Deus e vingador para executar a ira contra aquele que pratica o mal.
5 तेँ अधिकारी सभक अधीन रहनाइ आवश्‍यक अछि—मात्र दण्‍ड सँ बचबाक लेल नहि, बल्‍कि अपना विवेकक समक्ष निर्दोष रहबाक लेल सेहो।
5 Portanto, é necessário que estejais sujeitos, não somente pela ira, mas também por causa da consciência.
6 एही कारण सँ अहाँ सभ राजकर सेहो चुकबैत छी, किएक तँ अधिकारी सभ परमेश्‍वरक सेवक छथि आ अपन कर्तव्‍य पूरा करऽ मे लागल रहैत छथि।
6 E também por esta razão pagais tributos, porque eles são ministros de Deus, atendendo continuamente sobre esta mesma coisa.
7 अहाँ सभ सेहो सभक प्रति अपन कर्तव्‍य पूरा करू—जिनका राजकर देबाक अछि, तिनका राजकर दिऔन; जिनका सीमा-कर देबाक अछि, तिनका सीमा-कर दिऔन; जिनकर भय मानबाक अछि तिनकर भय मानू आ जिनकर आदर करबाक अछि तिनकर आदर करू।
7 Portanto, dai a cada um o que deveis; a quem deveis tributo, tributo; a quem imposto, imposto; a quem temor, temor; a quem honra, honra.
8 एक-दोसराक लेल प्रेमक ऋण केँ छोड़ि अन्‍य कोनो बात मे ककरो ऋणी बनल नहि रहू, किएक तँ जे अपन पड़ोसी सँ प्रेम करैत अछि से पूरा धर्म-नियमक पालन कयने अछि।
8 A nenhum homem devais coisa alguma, senão o amar-vos uns aos outros, porque quem ama o próximo cumpre a lei.
9 कारण, “परस्‍त्रीगमन नहि करह, हत्‍या नहि करह, चोरी नहि करह, लोभ नहि करह,” आ एकर बादो आओर जे कोनो आज्ञा सभ अछि, तकर सभक सारांश एहि कथन मे पाओल जाइत अछि जे, “अपना पड़ोसी सँ अपने जकाँ प्रेम करह।”
9 Por isto: Tu não cometerás adultério, não assassinarás, não furtarás, não darás falso testemunho, não cobiçarás; e, se há algum outro mandamento, tudo se resume nesta palavra: Tu amarás ao teu próximo como a ti mesmo.
10 प्रेम पड़ोसीक संग अन्‍याय नहि करैत अछि, तेँ प्रेम कयनाइ भेल धर्म-नियमक सम्‍पूर्ण बातक पालन कयनाइ।
10 O amor não faz mal ao próximo; portanto o amor é o cumprimento da lei.
11 अपना सभ कतेक महत्‍वपूर्ण समय मे रहि रहल छी, से बुझि, एहि बात सभ पर ध्‍यान दिअ। निन्‍न सँ जागि कऽ उठबाक समय आबि गेल अछि, कारण, अपना सभ जाहि समय मे विश्‍वास मे अयलहुँ, तकर अपेक्षा आब अपना सभक उद्धार पूर्ण होयबाक समय बेसी लग अछि।
11 E então, conhecendo o tempo, que já é hora de despertarmos do sono; porque a nossa salvação agora está mais perto de nós do que quando cremos.
12 राति समाप्‍त होमऽ-होमऽ पर अछि आ दिन होमऽ वला अछि। तेँ अपना सभ अन्‍हारक दुष्‍कर्म केँ त्‍यागि कऽ प्रकाशक अस्‍त्र केँ धारण करी।
12 A noite é passada, e o dia é chegado. Portanto, rejeitemos as obras das trevas e vistamo-nos da armadura da luz.
13 अपना सभ उचित आचरण करी, जे दिनक समय मे शोभनीय होइत अछि। अपना सभ भोग-विलास आ नशेबाजी सँ, गलत शारीरिक सम्‍बन्‍ध आ निर्लज्‍जता सँ, झगड़ा आ ईर्ष्‍याक बात सभ सँ दूरे रही।
13 E nós caminhamos honestamente, como de dia, não em tumultos, nem em embriaguez, nem em orgias, nem em devassidão, nem em contendas e inveja.
14 प्रभु यीशु मसीह केँ धारण करू, आ अपन पापी स्‍वभावक इच्‍छा सभ केँ तृप्‍त करबाक विचार छोड़ि दिअ।
14 Mas revesti-vos do Senhor Jesus Cristo e não façam provisão para a carne, para cumprir suas cobiças.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.