Romanos 12

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 तेँ यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे, परमेश्‍वरक अपार दयाक कारणेँ जे ओ अपना सभ पर कयने छथि, अहाँ सभ अपना शरीर केँ जीवित, पवित्र आ परमेश्‍वर द्वारा ग्रहणयोग्‍य बलिदानक रूप मे हुनका अर्पित करू। यैह भेल अहाँ सभक लेल परमेश्‍वरक असली आत्‍मिक आराधना कयनाइ।
1 Portanto, irmãos, pelas misericórdias de Deus, peço que ofereçam o seu corpo como sacrifício vivo, santo e agradável a Deus. Este é o culto racional de vocês.
2 अहाँ सभ एहि संसारक अनुरूप आचरण नहि करू, बल्‍कि परमेश्‍वर केँ अहाँक सोच-विचार केँ नव बनाबऽ दिऔन आ तहिना अहाँ केँ पूर्ण रूप सँ बदलि देबऽ दिऔन। एहि तरहेँ परमेश्‍वर अहाँ सभ सँ की चाहैत छथि, अर्थात् हुनका नजरि मे की नीक अछि, की ग्रहणयोग्‍य अछि आ की सर्वोत्तम अछि, तकरा अहाँ सभ अनुभव सँ जानि जायब।
2 E não vivam conforme os padrões deste mundo, mas deixem que Deus os transforme pela renovação da mente, para que possam experimentar qual é a boa, agradável e perfeita vontade de Deus.
3 हम ओहि वरदानक अधिकार सँ जे प्रभु अपना कृपा सँ हमरा देलनि, अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक केँ ई कहैत छी जे, केओ अपना केँ जतेक बुझक चाही, ताहि सँ बेसी महत्‍वपूर्ण नहि बुझू, बल्‍कि परमेश्‍वर सँ देल गेल विश्‍वासक नाप सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति अपन सन्‍तुलित मूल्‍यांकन करू।
3 Porque, pela graça que me foi dada, digo a cada um de vocês que não pense de si mesmo além do que convém. Pelo contrário, pense com moderação, segundo a medida da fé que Deus repartiu a cada um.
4 किएक तँ जहिना अपना सभ गोटे केँ एकटा शरीर अछि जाहि मे अनेक अंग होइत अछि आ सभ अंगक काज एक समान नहि होइत अछि,
4 Porque assim como num só corpo temos muitos membros, mas nem todos os membros têm a mesma função,
5 तहिना अपनो सभ अनेक होइतो मसीह मे एके शरीर छी आ सभ अंग एक-दोसराक अछि।
5 assim também nós, embora sejamos muitos, somos um só corpo em Cristo e membros uns dos outros.
6 अपना सभ पर कयल गेल कृपाक अनुसार अपना सभ केँ भेटल वरदान सेहो भिन्‍न-भिन्‍न अछि। जँ किनको परमेश्‍वर सँ सम्‍बाद पाबि सुनयबाक वरदान भेटल होनि तँ ओ अपना विश्‍वासक अनुरूप तकर ठीक-ठीक उपयोग करथु,
6 Temos, porém, diferentes dons segundo a graça que nos foi dada: se é profecia, seja segundo a proporção da fé;
7 जँ सेवा करबाक तँ सेवाक काज मे लागल रहथु। जँ किनको शिक्षा देबाक वरदान भेटल होनि तँ शिक्षा देबाक काज मे लागल रहथु,
7 se é ministério, dediquemo-nos ao ministério; o que ensina dedique-se ao ensino;
8 आ जँ दोसर केँ विश्‍वास मे उत्‍साहित करबाक वरदान भेटल होनि, तँ उत्‍साह दैत रहथु। दान देबऽ वला हृदय खोलि कऽ देथु। अगुआ सभ कर्मठ भऽ कऽ अगुआइ करथु, आ दया करऽ वला सभ खुशी मोन सँ उपकार करथु।
8 o que exorta faça-o com dedicação; o que contribui, com generosidade; o que preside, com zelo; quem exerce misericórdia, com alegria.
9 अहाँ सभक प्रेम निष्‍कपट होअय। जे किछु अधलाह अछि, ताहि सँ घृणा करू; जे किछु नीक अछि, ताहि सँ प्रेम करू।
9 O amor seja sem hipocrisia. Odeiem o mal e apeguem-se ao bem.
10 एक-दोसर सँ भाय-बहिन वला प्रेम राखि एक-दोसराक लेल समर्पित रहू। आपस मे एक-दोसर केँ आदरक संग अपना सँ श्रेष्‍ठ मानू।
10 Amem uns aos outros com amor fraternal. Quanto à honra, deem sempre preferência aos outros.
11 आलस नहि करू, बल्‍कि आत्‍मिक उत्‍साह सँ परिपूर्ण भऽ प्रभुक सेवा करैत रहू।
11 Quanto ao zelo, não sejam preguiçosos. Sejam fervorosos de espírito, servindo o Senhor.
12 आशा राखि आनन्‍दित रहू, विपत्ति मे धैर्य राखू, प्रार्थना मे लागल रहू।
12 Alegrem-se na esperança, sejam pacientes na tribulação e perseverem na oração.
13 परमेश्‍वरक लोक सभ केँ जाहि बातक आवश्‍यकता होनि ताहि मे हुनकर सहायता करिऔन। अतिथि-सत्‍कार करऽ मे तत्‍पर रहू।
13 Ajudem a suprir as necessidades dos santos. Pratiquem a hospitalidade.
14 अहाँ सभ पर जे अत्‍याचार करय तकरा आशीर्वाद दिअ; हँ, आशीर्वाद दिअ, सराप नहि।
14 Abençoem aqueles que perseguem vocês; abençoem e não amaldiçoem.
15 जे केओ आनन्‍दित अछि, तकरा संग आनन्‍द मनाउ, आ जे केओ शोकित अछि तकरा संग शोक।
15 Alegrem-se com os que se alegram e chorem com os que choram.
16 आपस मे मेल-मिलापक भावना राखू। घमण्‍डी नहि बनू, बल्‍कि दीन-हीन सभक संगति करू। अपना केँ बड़का बुद्धिआर नहि बुझऽ लागू।
16 Tenham o mesmo modo de pensar de uns para com os outros. Em vez de serem orgulhosos, sejam solidários com os humildes. Não sejam sábios aos seus próprios olhos.
17 केओ जँ अहाँक संग अधलाह व्‍यवहार कयलक, तँ बदला मे अहाँ ओकरा संग अधलाह व्‍यवहार नहि करू। सभक नजरि मे जे बात उचित अछि, सैह करबाक चेष्‍टा करू।
17 Não paguem a ninguém mal por mal; procurem fazer o bem diante de todos.
18 जहाँ तक भऽ सकय, और जहाँ तक अहाँक वश मे होअय, सभ लोकक संग मेल सँ रहू।
18 Se possível, no que depender de vocês, vivam em paz com todas as pessoas.
19 प्रिय भाइ लोकनि, अहाँ सभ स्‍वयं ककरो सँ बदला नहि लिअ, बल्‍कि तकरा परमेश्‍वरक क्रोध पर छोड़ि दिअ, कारण, धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “प्रभु कहैत छथि जे, बदला लेबाक काज हमर अछि, हमहीं बदला लेब।”
19 Meus amados, não façam justiça com as próprias mãos, mas deem lugar à ira de Deus, pois está escrito: “A mim pertence a vingança; eu é que retribuirei, diz o Senhor.”
20 बरु, जेना लिखल अछि,
20 Façam o contrário: “Se o seu inimigo tiver fome, dê-lhe de comer; se tiver sede, dê-lhe de beber; porque, fazendo isto, você amontoará brasas vivas sobre a cabeça dele.”
21 अहाँ सभ दुष्‍टता सँ हारि नहि मानू, बल्‍कि भलाइ द्वारा दुष्‍टता पर विजयी होउ।
21 Não se deixe vencer pelo mal, mas vença o mal com o bem.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Romanos 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.