Mateus 8

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 यीशु जखन पहाड़ पर सँ नीचाँ उतरलाह तँ लोकक बड़का भीड़ हुनका पाछाँ चलऽ लगलनि।
1 Tendo Jesus descido da montanha, uma grande multidão o seguiu.
2 एक कुष्‍ठ-रोगी हुनका लग अयलनि आ निंघुड़ि कऽ प्रणाम करैत कहलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ जँ चाही तँ हमरा शुद्ध कऽ सकैत छी।”
2 Eis que um leproso aproximou-se e prostrou-se diante dele, dizendo: Senhor, se queres, podes curar-me.
3 यीशु हाथ बढ़ा कऽ ओकरा छुबैत कहलथिन, “हम अवश्‍य चाहैत छिअह, तोँ शुद्ध भऽ जाह।” और ओ तुरत अपन रोग सँ शुद्ध भऽ गेल।
3 Jesus estendeu a mão, tocou-o e disse: Eu quero, sê curado. No mesmo instante, a lepra desapareceu.
4 यीशु ओकरा कहलथिन, “सुनह, ककरो किछु कहिअहक नहि। जाह, अपना केँ पुरोहित केँ देखाबह, आ धर्म-नियम मे लिखल मूसाक आदेश अनुसार जे चढ़ौना चढ़यबाक अछि, से चढ़ाबह। एहि तरहेँ सभक लेल गवाही रहत जे तोँ शुद्ध भऽ गेल छह।”
4 Jesus então lhe disse: Vê que não o digas a ninguém. Vai, porém, mostrar-te ao sacerdote e oferece o dom prescrito por Moisés em testemunho de tua cura.
5 यीशु जखन कफरनहूम नगर मे प्रवेश कयलनि तँ रोमी सेनाक एकटा कप्‍तान आबि हुनका सँ विनती कयलथिन,
5 Entrou Jesus em Cafarnaum. Um centurião veio a ele e lhe fez esta súplica:
6 “हे प्रभु, हमर नोकर लकवा सँ पीड़ित भऽ घर मे पड़ल अछि आ महा कष्‍ट मे अछि।”
6 Senhor, meu servo está em casa, de cama, paralítico, e sofre muito.
7 यीशु हुनका कहलथिन, “हम आबि ओकरा स्‍वस्‍थ कऽ देबैक।”
7 Disse-lhe Jesus: Eu irei e o curarei.
8 सेनाक कप्‍तान उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि जोगरक नहि छी जे अपने हमरा घर पर आबी। अपने मात्र कहि देल जाओ आ हमर नोकर स्‍वस्‍थ भऽ जायत।
8 Respondeu o centurião: Senhor, eu não sou digno de que entreis em minha casa. Dizei uma só palavra e meu servo será curado.
9 कारण हमहूँ शासनक अधीन मे छी, और हमरा अधीन मे सैनिक सभ अछि। हम एकटा केँ कहैत छिऐक, ‘जाह’ तँ ओ जाइत अछि आ दोसर केँ कहैत छिऐक, ‘आबह’ तँ ओ अबैत अछि। हम अपना नोकर केँ कहैत छिऐक, ‘ई काज करह’ तँ ओ करैत अछि।”
9 Pois eu também sou um subordinado e tenho soldados às minhas ordens. Eu digo a um: Vai, e ele vai; a outro: Vem, e ele vem; e a meu servo: Faze isto, e ele o faz...
10 हुनकर बात सुनि यीशु केँ आश्‍चर्य भेलनि आ ओ अपना पाछाँ चलऽ वला लोक सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, हम इस्राएली सभ मे एहन विश्‍वास ककरो मे नहि देखलहुँ।
10 Ouvindo isto, cheio de admiração, disse Jesus aos presentes: Em verdade vos digo: não encontrei semelhante fé em ninguém de Israel.
11 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, पूब आ पश्‍चिम सँ बहुत लोक आओत और अब्राहम, इसहाक आ याकूबक संग स्‍वर्गक राज्‍य मे भोज खयबाक लेल बैसत,
11 Por isso, eu vos declaro que multidões virão do Oriente e do Ocidente e se assentarão no Reino dos céus com Abraão, Isaac e Jacó,
12 मुदा जे सभ ⌞अब्राहमक वंशज होयबाक कारणेँ⌟ राज्‍यक उत्तराधिकारी होयबाक चाही, से सभ बाहर अन्‍हार मे भगाओल जायत, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।”
12 enquanto os filhos do Reino serão lançados nas trevas exteriores, onde haverá choro e ranger de dentes.
13 तकरबाद यीशु सेनाक कप्‍तान केँ कहलथिन, “जाउ, जेहन विश्‍वास अहाँ कयलहुँ अछि, अहाँक लेल ओहिना होयत।” ओही घड़ी हुनकर नोकर स्‍वस्‍थ भऽ गेलनि।
13 Depois, dirigindo-se ao centurião, disse: Vai, seja-te feito conforme a tua fé. Na mesma hora o servo ficou curado.
14 यीशु जखन पत्रुसक घर मे अयलाह तँ देखैत छथि जे पत्रुसक सासु बोखार सँ पीड़ित भऽ ओछायन पर पड़ल छथि।
14 Foi então Jesus à casa de Pedro, cuja sogra estava de cama, com febre.
15 यीशु हुनकर हाथ केँ छुबि देलथिन आ हुनकर बोखार उतरि गेलनि। ओ उठि कऽ हिनकर सेवा-सत्‍कार करऽ लगलीह।
15 Tomou-lhe a mão, e a febre a deixou. Ela levantou-se e pôs-se a servi-los.
16 साँझ पड़ला पर लोक सभ बहुतो लोक केँ जकरा मे दुष्‍टात्‍मा छलैक यीशु लग अनलकनि। यीशु आज्ञा दऽ कऽ ओकरा सभ मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालि देलथिन और सभ रोगी केँ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन,
16 Pela tarde, apresentaram-lhe muitos possessos de demônios. Com uma palavra expulsou ele os espíritos e curou todos os enfermos.
17 जाहि सँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाहक ई वचन पूरा होअय जे,
17 Assim se cumpriu a predição do profeta Isaías: Tomou as nossas enfermidades e sobrecarregou-se dos nossos males {Is 53,4}.
18 जखन यीशु अपना चारू कात लोकक बड़का भीड़ देखलनि तँ अपना शिष्‍य सभ केँ झीलक ओहि पार चलबाक आदेश देलथिन।
18 Certo dia, vendo-se no meio de grande multidão, ordenou Jesus que o levassem para a outra margem do lago.
19 तखन एकटा धर्मशिक्षक हुनका लग आबि कऽ कहलथिन, “गुरुजी, जतऽ कतौ अपने जायब, ततऽ हमहूँ अपनेक संग चलब।”
19 Nisto aproximou-se dele um escriba e lhe disse: Mestre, seguir-te-ei para onde quer que fores.
20 यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “नढ़िया केँ सोन्‍हि छैक और आकाशक चिड़ै केँ खोंता, मुदा मनुष्‍य-पुत्र केँ मूड़िओ नुकयबाक जगह नहि छैक।”
20 Respondeu Jesus: As raposas têm suas tocas e as aves do céu, seus ninhos, mas o Filho do Homem não tem onde repousar a cabeça.
21 केओ दोसर, हुनकर एकटा शिष्‍य, हुनका कहलकनि, “प्रभु, हमरा पहिने जा कऽ अपना बाबूक लास केँ गाड़ि आबऽ दिअ।”
21 Outra vez um dos seus discípulos lhe disse: Senhor, deixa-me ir primeiro enterrar meu pai.
22 यीशु ओकरा कहलथिन, “अहाँ हमरा पाछाँ आउ, आ मुरदा सभ केँ अपन मुरदा गाड़ऽ दिऔक।”
22 Jesus, porém, lhe respondeu: Segue-me e deixa que os mortos enterrem seus mortos.
23 यीशु नाव पर चढ़लाह तँ शिष्‍य सभ सेहो हुनका संग विदा भेलथिन।
23 Subiu ele a uma barca com seus discípulos.
24 एकाएक झील मे बहुत बड़का अन्‍हड़-बिहारि उठल आ नाव लहरिक पानि सँ भरऽ लागल। मुदा यीशु सुतल छलाह।
24 De repente, desencadeou-se sobre o mar uma tempestade tão grande, que as ondas cobriam a barca. Ele, no entanto, dormia.
25 शिष्‍य सभ आबि कऽ हुनका जगबैत कहलथिन, “प्रभु, हमरा सभ केँ बचाउ! हम सभ डुबऽ-डुबऽ पर छी!”
25 Os discípulos achegaram-se a ele e o acordaram, dizendo: Senhor, salva-nos, nós perecemos!
26 यीशु शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभक विश्‍वास एतेक कम किएक अछि? अहाँ सभ एतेक डेरायल किएक छी?” तकरबाद यीशु उठि कऽ अन्‍हड़-बिहारि आ लहरि केँ डँटलथिन। अन्‍हड़-बिहारि थम्‍हि गेल आ सभ किछु एकदम शान्‍त भऽ गेल।
26 E Jesus perguntou: Por que este medo, gente de pouca fé? Então, levantando-se, deu ordens aos ventos e ao mar, e fez-se uma grande calmaria.
27 शिष्‍य सभ आश्‍चर्यित भऽ कहऽ लगलाह, “ई केहन मनुष्‍य छथि? अन्‍हड़-बिहारि आ लहरिओ हिनकर आदेश मानैत छनि!”
27 Admirados, diziam: Quem é este homem a quem até os ventos e o mar obedecem?
28 जखन यीशु झीलक ओहि पार गदरेनी सभक इलाका मे पहुँचलाह तँ दुष्‍टात्‍मा सँ ग्रसित दू व्‍यक्‍ति कबरिस्‍तान वला क्षेत्र सँ बहरा कऽ हुनका भेटलनि। ओ दूनू व्‍यक्‍ति एतेक उग्र छल जे लोक सभ डरेँ ओहि बाटे चलनाइ छोड़ि देने छल।
28 No outro lado do lago, na terra dos gadarenos, dois possessos de demônios saíram de um cemitério e vieram-lhe ao encontro. Eram tão furiosos que pessoa alguma ousava passar por ali.
29 ओ दूनू चिचिया उठल, “यौ परमेश्‍वरक पुत्र, हमरा सभ सँ अपने केँ कोन काज? की समय सँ पहिनहि अपने हमरा सभ केँ सतयबाक लेल एतऽ आयल छी?”
29 Eis que se puseram a gritar: Que tens a ver conosco, Filho de Deus? Vieste aqui para nos atormentar antes do tempo?
30 ओहिठाम सँ कनेक दूर पर सुगरक बड़का झुण्‍ड चरि रहल छल।
30 Havia, não longe dali, uma grande manada de porcos que pastava.
31 दुष्‍टात्‍मा सभ यीशु सँ विनती कयलकनि, “जँ अहाँ हमरा सभ केँ भगाइए रहल छी तँ हमरा सभ केँ ओहि सुगरक झुण्‍ड मे पठा दिअ।”
31 Os demônios imploraram a Jesus: Se nos expulsas, envia-nos para aquela manada de porcos.
32 यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “जो!” दुष्‍टात्‍मा सभ दूनू व्‍यक्‍ति मे सँ निकलि कऽ सुगरक झुण्‍ड मे प्रवेश कऽ गेल। सुगरक पूरा झुण्‍ड दौड़ि कऽ पहाड़ पर सँ झील मे खसल और डुबि कऽ मरि गेल।
32 Ide, disse-lhes. Eles saíram e entraram nos porcos. Nesse instante toda a manada se precipitou pelo declive escarpado para o lago, e morreu nas águas.
33 तखन सुगर चराबऽ वला सभ भागल आ ई सभ समाचार नगर मे जा कऽ सुनाबऽ लागल। ओहि दूनू दुष्‍टात्‍मा लागल व्‍यक्‍ति केँ की भेलैक, सेहो सुनौलकैक।
33 Os guardas fugiram e foram contar na cidade o que se tinha passado e o sucedido com os endemoninhados.
34 एहि पर नगरक सभ लोक यीशु सँ भेँट करबाक लेल नगर सँ बाहर आबि गेल। यीशु केँ देखि ओ सभ हुनका सँ विनती करऽ लगलनि जे, “अहाँ हमरा सभक इलाका सँ चल जाउ।”
34 Então a população saiu ao encontro de Jesus. Quando o viu, suplicou-lhe que deixasse aquela região.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.