Mateus 4

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 तकरबाद पवित्र आत्‍मा यीशु केँ निर्जन क्षेत्र मे लऽ गेलथिन जाहि सँ शैतान द्वारा हुनका सँ पाप करयबाक कोशिश कयल जानि।
1 A seguir, foi Jesus levado pelo Espírito ao deserto, para ser tentado pelo diabo.
2 ओहिठाम चालिस दिन आ चालिस राति उपास कयलाक बाद यीशु भुखायल छलाह।
2 E, depois de jejuar quarenta dias e quarenta noites, teve fome.
3 जाँचऽ वला शैतान हुनका लग अयलनि आ कहलकनि, “जँ तोँ परमेश्‍वरक पुत्र छह तँ एहि पाथर सभ केँ रोटी बनि जयबाक आज्ञा दहक।”
3 Então, o tentador, aproximando-se, lhe disse: Se és Filho de Deus, manda que estas pedras se transformem em pães.
4 यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, ‘मनुष्‍य मात्र रोटी सँ नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक मुँह सँ निकलल प्रत्‍येक वचन सँ जीवित रहत।’”
4 Jesus, porém, respondeu: Está escrito:
5 तखन शैतान यीशु केँ पवित्र नगर मे लऽ गेलनि और मन्‍दिरक सभ सँ ऊँ‍च स्‍थान पर ठाढ़ कऽ कऽ कहलकनि,
5 Então, o diabo o levou à Cidade Santa, colocou-o sobre o pináculo do templo
6 “जँ तोँ परमेश्‍वरक पुत्र छह तँ एतऽ सँ नीचाँ कुदि जाह। कारण, धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
6 e lhe disse: Se és Filho de Deus, atira-te abaixo, porque está escrito: Aos seus anjos ordenará a teu respeito que te guardem; e: Eles te susterão nas suas mãos, para não tropeçares nalguma pedra.
7 यीशु ओकरा कहलथिन, “इहो लिखल अछि जे, ‘अपन प्रभु-परमेश्‍वरक जाँच नहि करहुन।’”
7 Respondeu-lhe Jesus: Também está escrito:
8 तखन शैतान हुनका बहुत ऊँच पहाड़ पर लऽ गेलनि और ओतऽ सँ संसारक सभ राज्‍य आ ओकर वैभव देखबैत
8 Levou-o ainda o diabo a um monte muito alto, mostrou-lhe todos os reinos do mundo e a glória deles
9 हुनका कहलकनि, “जँ तोँ हमरा सामने निहुरबह आ हमर उपासना करबह तँ हम ई सभ तोरा दऽ देबह।”
9 e lhe disse: Tudo isto te darei se, prostrado, me adorares.
10 यीशु ओकरा कहलथिन, “हे शैतान, हमरा सोझाँ सँ दूर हो! कारण, धर्मशास्‍त्र मे ई लिखल अछि जे,
10 Então, Jesus lhe ordenou: Retira-te, Satanás, porque está escrito:
11 तकरबाद शैतान यीशु लग सँ चल गेल, और स्‍वर्गदूत सभ आबि कऽ हुनकर सेवा करऽ लगलथिन।
11 Com isto, o deixou o diabo, e eis que vieram anjos e o serviram.
12 जखन यीशु सुनलनि जे बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना जहल मे बन्‍दी बना लेल गेल छथि तखन ओ गलील प्रदेश मे घूमि कऽ चल अयलाह।
12 Ouvindo, porém, Jesus que João fora preso, retirou-se para a Galileia;
13 ओ नासरत नगर केँ छोड़ि कऽ कफरनहूम नगर मे रहऽ लगलाह। ई नगर जबूलून आ नप्‍ताली कुलक भूमि-क्षेत्र मे झीलक कछेर पर अछि।
13 e, deixando Nazaré, foi morar em Cafarnaum, situada à beira-mar, nos confins de Zebulom e Naftali;
14 एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाहक ई वचन पूरा भेल जे,
14 para que se cumprisse o que fora dito por intermédio do profeta Isaías:
15 “हे जबूलून आ नप्‍ताली कुलक भूमि-क्षेत्र!
15 Terra de Zebulom, terra de Naftali, caminho do mar, além do Jordão, Galileia dos gentios!
16 जे सभ अन्‍हार मे बसल छल,
16 O povo que jazia em trevas viu grande luz, e aos que viviam na região e sombra da morte resplandeceu-lhes a luz.
17 ओही समय सँ यीशु प्रचार करऽ लगलाह जे, “अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू, कारण, स्‍वर्गक राज्‍य लग मे आबि गेल अछि।”
17 Daí por diante, passou Jesus a pregar e a dizer: Arrependei-vos, porque está próximo o reino dos céus.
18 जखन यीशु गलील झीलक कछेर पर टहलैत छलाह तखन ओ दू भाइ केँ झील मे माछ पकड़बाक लेल जाल फेकैत देखलनि। ओ सभ मछबार छल। एकटाक नाम सिमोन, जकर दोसर नाम पत्रुस छलैक आ ओकर भायक नाम अन्‍द्रेयास छल।
18 Caminhando junto ao mar da Galileia, viu dois irmãos, Simão, chamado Pedro, e André, que lançavam as redes ao mar, porque eram pescadores.
19 यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “हमरा पाछाँ आउ। हम अहाँ सभ केँ मनुष्‍य केँ पकड़ऽ वला मछबार बना देब।”
19 E disse-lhes: Vinde após mim, e eu vos farei pescadores de homens.
20 ओ सभ तुरत अपन जाल छोड़ि कऽ हुनका संग भऽ गेलनि।
20 Então, eles deixaram imediatamente as redes e o seguiram.
21 ओतऽ सँ कनेक आगाँ बढ़लाक बाद यीशु अन्‍य दू भाय केँ देखलनि—याकूब आ यूहन्‍ना। ओ सभ जबदी नामक व्‍यक्‍तिक बेटा छल आ अपना बाबूक संग नाव मे जाल सरिअबैत छल। यीशु ओकरा सभ केँ अपना संग अयबाक लेल कहलथिन।
21 Passando adiante, viu outros dois irmãos, Tiago, filho de Zebedeu, e João, seu irmão, que estavam no barco em companhia de seu pai, consertando as redes; e chamou-os.
22 ओहो सभ तुरत नाव आ अपन बाबू केँ छोड़ि कऽ यीशुक संग भऽ गेलनि।
22 Então, eles, no mesmo instante, deixando o barco e seu pai, o seguiram.
23 यीशु सम्‍पूर्ण गलील प्रदेश मे घूमि-घूमि कऽ यहूदी सभक सभाघर सभ मे शिक्षा देबऽ लगलाह, परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार सुनाबऽ लगलाह, आ लोक सभ केँ सभ तरहक बिमारी सँ छुटकारा देबऽ लगलाह।
23 Percorria Jesus toda a Galileia, ensinando nas sinagogas, pregando o evangelho do reino e curando toda sorte de doenças e enfermidades entre o povo.
24 एहि तरहेँ हुनकर यश सम्‍पूर्ण सीरिया प्रदेश मे पसरि गेलनि। लोक बिमार सभ केँ जे विभिन्‍न प्रकारक रोग वा कष्‍ट सँ पीड़ित छल, वा जकरा सभ मे दुष्‍टात्‍मा छलैक, मिर्गी सँ पीड़ित छल वा लकवा मारल छल—सभ केँ यीशु लग अनैत छल, और यीशु ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ दैत छलथिन।
24 E a sua fama correu por toda a Síria; trouxeram-lhe, então, todos os doentes, acometidos de várias enfermidades e tormentos: endemoninhados, lunáticos e paralíticos. E ele os curou.
25 गलील प्रदेश, “दस नगर” क्षेत्र, यरूशलेम नगर, यहूदिया प्रदेश और यरदन नदीक ओहि पारक क्षेत्र सँ लोकक विशाल भीड़ हुनका पाछाँ चलऽ लगलनि।
25 E da Galileia, Decápolis, Jerusalém, Judeia e dalém do Jordão numerosas multidões o seguiam.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.