Mateus 28

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 विश्राम-दिनक प्रात भेने, अर्थात् सप्‍ताहक पहिल दिन, भोर सँ भोर मरियम मग्‍दलीनी आ दोसर मरियम कबर देखबाक लेल गेलीह।
1 Passado o sábado, no começo do primeiro dia da semana, Maria Madalena e a outra Maria foram ver o túmulo.
2 एकाएक बड़का भूकम्‍‍प भेल, कारण, परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत स्‍वर्ग सँ उतरलाह, और कबरक मुँह पर सँ पाथर गुड़का कऽ ओहि पर बैसि रहलाह।
2 E eis que houve um grande terremoto; porque um anjo do Senhor desceu do céu e, aproximando-se, removeu a pedra e sentou sobre ela.
3 हुनकर रूप बिजलोका जकाँ चमकैत छलनि आ हुनकर वस्‍त्र बर्फ सन उज्‍जर छलनि।
3 O aspecto dele era como um relâmpago, e a sua roupa era branca como a neve.
4 पहरा पर बैसल सैनिक सभ हुनका देखि एतेक डेरा गेल जे थर-थर काँपऽ लागल आ मरल सन भऽ गेल।
4 E os guardas, com medo do anjo, tremeram e ficaram como se estivessem mortos.
5 तखन स्‍वर्गदूत ओहि स्‍त्रीगण सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ नहि डेराउ। हम जनैत छी जे अहाँ सभ यीशु केँ, जिनका क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलनि, तिनका तकबाक लेल आयल छी।
5 Mas o anjo, dirigindo-se às mulheres, disse: — Não tenham medo! Sei que vocês procuram Jesus, que foi crucificado.
6 मुदा ओ एतऽ नहि छथि। ओ जहिना कहने छलाह तहिना जीबि उठल छथि। आउ, ओहि स्‍थान केँ देखू जतऽ हुनका राखल गेल छलनि,
6 Ele não está aqui; ressuscitou, como tinha dito. Venham ver onde ele jazia.
7 आ तखन जल्‍दी जा कऽ हुनकर शिष्‍य सभ केँ ई समाचार सुनाउ जे, ‘ओ मुइल सभ मे सँ जीबि उठलाह! अहाँ सभ सँ पहिने गलील जा रहल छथि आ ओतऽ हुनका सँ भेँट होयत।’ ई बात अहाँ सभ केँ कहि देलहुँ।”
7 Agora vão depressa e digam aos seus discípulos que ele ressuscitou dos mortos e vai adiante de vocês para a Galileia; lá vocês o verão. É como acabei de dizer a vocês.
8 ओ सभ डर आ तैयो बड़का खुशीक संग ई समाचार शिष्‍य सभ केँ सुनयबाक लेल कबर पर सँ दौड़ पड़लीह।
8 E, retirando-se elas apressadamente do sepulcro, tomadas de medo e grande alegria, correram para anunciar isso aos discípulos.
9 एकाएक यीशु हुनका सभक आगाँ मे प्रगट भऽ देखाइ देलथिन आ नमस्‍कार कयलथिन। स्‍त्रीगण सभ लग मे जा कऽ हुनकर पयर पकड़ि कऽ आराधना कयलनि।
9 E eis que Jesus veio ao encontro delas e disse: E elas, aproximando-se, abraçaram os pés dele e o adoraram.
10 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ डेराउ नहि। जा कऽ हमर भाय सभ केँ गलील मे पहुँचबाक लेल कहिऔक। ओतहि ओ सभ हमरा देखत।”
10 Então Jesus lhes disse:
11 स्‍त्रीगण सभ एखन रस्‍ते मे छलीह। ओम्‍हर कबर पर पहरा देबऽ वला मे सँ किछु सैनिक सभ नगर मे जा कऽ मुख्‍यपुरोहित सभ केँ एहि घटनाक सम्‍पूर्ण विवरण कहि सुनौलक।
11 E, enquanto elas iam, eis que alguns da guarda foram à cidade e contaram aos principais sacerdotes tudo o que havia acontecido.
12 मुख्‍यपुरोहित सभ यहूदी सभक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनि केँ जमा कऽ एहि विषय मे किछु विचार-विमर्श कयलनि। तकरबाद ओ सभ ओहि सैनिक सभ केँ बहुत रुपैया-पैसा दैत कहलथिन,
12 Reunindo-se eles em conselho com os anciãos, deram grande soma de dinheiro aos soldados,
13 “लोक केँ अहाँ सभ ई कहू जे, ‘राति मे हम सभ जखन सुतल छलहुँ तँ ओकर चेला सभ ओकर लास चोरा कऽ लऽ गेल।’
13 recomendando-lhes: — Digam isto: “Os discípulos dele vieram de noite, enquanto estávamos dormindo, e roubaram o corpo.”
14 राज्‍यपाल पिलातुस तक जँ कतौ ई खबरि पहुँचत तँ हम सभ हुनका सँ ई बात सभ मिला लेब और अहाँ सभ केँ बचा लेब।”
14 E, se isto chegar ao conhecimento do governador, nós o convenceremos e faremos com que vocês não tenham maiores preocupações.
15 सैनिक सभ हुनका सभ सँ ओ पाइ लऽ लेलक आ जहिना ओ सभ सिखौने छलथिन तहिना लोक सभ केँ कहऽ लागल। ई अफवाह यहूदी सभ मे दूर-दूर पसरि गेल और आइओ तक ओकरा सभ मे प्रचलित अछि।
15 Os soldados receberam o dinheiro e fizeram como tinham sido instruídos. Esta versão se espalhou entre os judeus até o dia de hoje.
16 यीशुक एगारह शिष्‍य गलील जा कऽ ओहि पहाड़ पर गेलाह जतऽ यीशु हुनका सभ केँ पहुँचबाक लेल कहने छलथिन।
16 Os onze discípulos partiram para a Galileia, para o monte que Jesus lhes havia designado.
17 यीशु केँ देखि कऽ ओ सभ हुनकर आराधना कयलथिन। मुदा किछु गोटेक मोन मे हुनका बारे मे शंको छलनि।
17 E, quando viram Jesus, o adoraram; mas alguns duvidaram.
18 तखन यीशु हुनका सभक लग आबि कहलथिन, “स्‍वर्ग आ पृथ्‍वीक सम्‍पूर्ण अधिकार हमरा देल गेल अछि।
18 Jesus, aproximando-se, falou-lhes, dizendo:
19 एहि लेल अहाँ सभ आब जा कऽ सभ जातिक लोक केँ हमर शिष्‍य बनाउ और ओकरा सभ केँ पिता, पुत्र आ पवित्र आत्‍माक नाम सँ बपतिस्‍मा दिऔक।
19 Portanto, vão e façam discípulos de todas as nações, batizando-os em nome do Pai, do Filho e do Espírito Santo,
20 हम जतेक आदेश अहाँ सभ केँ देने छी तकर सभक पालन करबाक लेल ओकरा सभ केँ सिखाउ। मोन राखू, संसारक अन्‍त तक हम सदिखन अहाँ सभक संग छी।”
20 ensinando-os a guardar todas as coisas que tenho ordenado a vocês. E eis que estou com vocês todos os dias até o fim dos tempos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 28, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.