Mateus 26

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 ई सभ बात जखन कहल भऽ गेलनि तँ यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन,
1 Quando Jesus acabou de proferir estas palavras, disse aos seus discípulos:
2 “अहाँ सभ जनैत छी जे दू दिनक बाद फसह-पाबनि अछि। ओहि समय मे मनुष्‍य-पुत्र क्रूस पर लटका कऽ मारबाक लेल पकड़बाओल जायत।”
2 — Vocês sabem que, daqui a dois dias, será celebrada a Páscoa, e o Filho do Homem será entregue para ser crucificado.
3 ओम्‍हर काइफा नामक महापुरोहित जे छलाह तिनका आङन मे मुख्‍यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ जमा भऽ कऽ
3 Então os principais sacerdotes e os anciãos do povo se reuniram no palácio do sumo sacerdote, chamado Caifás,
4 अपना मे विचार-विमर्श करऽ लगलाह जे कोन तरहेँ छल सँ यीशु केँ पकड़ि कऽ मारल जाय।
4 e deliberaram prender Jesus, à traição, e matá-lo.
5 ओ सभ कहैत छलाह जे, “मुदा पाबनिक समय मे नहि। एना नहि होअय जे जनता उपद्रव करय।”
5 Mas diziam: — Não durante a festa, para que não haja tumulto entre o povo.
6 यीशु जखन बेतनिया गाम मे सिमोन नामक एक आदमी, जिनका पहिने कुष्‍ठ-रोग भेल छलनि, तिनका ओहिठाम छलाह,
6 Quando Jesus estava em Betânia, na casa de Simão, o leproso,
7 तँ एक स्‍त्री बेसकिमती सुगन्‍धित तेल एकटा संगमरमरक बर्तन मे लऽ कऽ अयलीह। यीशु भोजन करैत छलाह तखने ओ स्‍त्री ओहि सुगन्‍धित तेल केँ यीशुक माथ पर ढारि देलथिन।
7 aproximou-se dele uma mulher, trazendo um frasco feito de alabastro com um perfume precioso, que ela derramou sobre a cabeça de Jesus, estando ele à mesa.
8 ई देखि हुनकर शिष्‍य सभ खिसिआइत बजलाह, “एहन नीक वस्‍तु किएक एना बरबाद कयल गेल?
8 Vendo isto, os discípulos ficaram indignados e disseram: — Para que este desperdício?
9 एहि तेल केँ बढ़ियाँ दाम मे बेचि कऽ बहुतो गरीबक सहायता कयल जा सकैत छल।”
9 Este perfume poderia ter sido vendido por muito dinheiro, para ser dado aos pobres.
10 शिष्‍य सभक बात बुझि यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “एहि स्‍त्री केँ अहाँ सभ किएक डाँटि रहल छी? ई तँ हमरा लेल बहुत बढ़ियाँ काज कयलनि।
10 Mas Jesus, sabendo disto, lhes disse:
11 गरीब सभ तँ अहाँ सभक संग सभ दिन रहत, मुदा हम अहाँ सभक संग सभ दिन नहि रहब।
11 Porque os pobres estarão sempre com vocês, mas a mim vocês nem sempre terão.
12 ई सुगन्‍धित तेल हमरा मूड़ी पर ढारि कऽ ई स्‍त्रीगण हम जे कबर मे राखल जायब, तकर तैयारी कयलनि।
12 Porque, derramando este perfume sobre o meu corpo, ela o fez para o meu sepultamento.
13 हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, संसार भरि मे जतऽ कतौ हमर शुभ समाचारक प्रचार कयल जायत, ततऽ एहि स्‍त्रीगणक स्‍मरण मे हिनकर एहि काजक चर्चा सेहो कयल जायत।”
13 Em verdade lhes digo que, onde for pregado em todo o mundo este evangelho, também será contado o que ela fez, para memória dela.
14 तकरबाद यीशुक बारह शिष्‍य मे सँ एक जकर नाम यहूदा इस्‍करियोती छलैक से मुख्‍यपुरोहित सभ लग जा कऽ कहलकनि,
14 Então um dos doze, chamado Judas Iscariotes, foi falar com os principais sacerdotes.
15 “हम जँ यीशु केँ अहाँ सभक हाथ मे पकड़बा देब तँ अहाँ सभ हमरा की देब?” एहि पर ओ सभ तीसटा चानीक सिक्‍का ओकरा देलथिन।
15 Ele disse: — Quanto me darão para que eu o entregue a vocês? E pagaram-lhe trinta moedas de prata.
16 ओहि समय सँ यहूदा यीशु केँ पकड़बयबाक अनुकूल अवसरक ताक मे रहऽ लागल।
16 E, desse momento em diante, Judas buscava uma boa ocasião para entregar Jesus.
17 “बिनु खमीरक रोटी वला पाबनि”क पहिल दिन यीशुक शिष्‍य सभ हुनका लग आबि पुछलथिन, “फसह-पाबनिक भोजक व्‍यवस्‍था अहाँक लेल हम सभ कतऽ ठीक करू?”
17 No primeiro dia da Festa dos Pães sem Fermento, os discípulos vieram a Jesus e lhe perguntaram: — Onde quer que façamos os preparativos para que o senhor possa comer a Páscoa?
18 यीशु कहलथिन, “शहर मे फलानाक ओतऽ जाउ आ कहू, ‘गुरुजी कहलनि अछि जे हमर समय आब लगचिआ गेल अछि। हम अपन शिष्‍य सभक संग अहाँक ओतऽ फसह-भोज खायब।’ ”
18 E ele lhes respondeu:
19 शिष्‍य सभ यीशुक कथनानुसार सभ बात कऽ कऽ फसह-पाबनिक भोजक व्‍यवस्‍था ओतहि कयलनि।
19 E eles fizeram como Jesus lhes havia ordenado e prepararam a Páscoa.
20 साँझ पड़ला पर यीशु अपन बारहो शिष्‍यक संग भोजन करबाक लेल बैसलाह।
20 Ao cair da tarde, Jesus pôs-se à mesa com os doze discípulos.
21 भोजन करैत समय यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, अहाँ सभ मे सँ एक गोटे हमरा पकड़बा देब।”
21 E, enquanto comiam, Jesus disse:
22 ई सुनि शिष्‍य सभ बहुत उदास भऽ गेलाह। ओ सभ बेरा-बारी हुनका सँ पुछऽ लगलनि जे, “हे प्रभु, ओ हम तँ नहि छी?”
22 E eles, muito entristecidos, começaram um por um a perguntar-lhe: — Por acaso seria eu, Senhor?
23 यीशु उत्तर देलथिन, “हमरा संग जे बट्टा मे हाथ रखने अछि सैह हमरा पकड़बाओत।
23 Jesus respondeu:
24 मनुष्‍य-पुत्रक सम्‍बन्‍ध मे जहिना धर्मशास्‍त्र मे लिखल गेल अछि तहिना तँ ओ चलिए जायत, मुदा धिक्‍कार अछि ओहि मनुष्‍य केँ जे मनुष्‍य-पुत्र केँ पकड़बा रहल अछि। ओकरा लेल तँ नीक ई रहितैक जे ओ जन्‍मे नहि लेने रहैत।”
24 O Filho do Homem vai, como está escrito a seu respeito; mas ai daquele por quem o Filho do Homem está sendo traído! Melhor seria para ele se nunca tivesse nascido!
25 एहि पर हुनका पकड़बाबऽ वला यहूदा कहलकनि, “गुरुजी, की अहाँ हमरा बारे मे तँ नहि कहि रहल छी?” यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ स्‍वयं कहि देलहुँ।”
25 Então Judas, que o traía, perguntou: — Por acaso sou eu, Mestre? Jesus respondeu:
26 ओ सभ जखन भोजन कऽ रहल छलाह तँ यीशु रोटी लेलनि आ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। ओ रोटी केँ तोड़ि कऽ शिष्‍य सभ केँ देलथिन आ कहलथिन, “लिअ, खाउ, ई हमर देह अछि।”
26 Enquanto comiam, Jesus pegou um pão, e, abençoando-o, o partiu e deu aos discípulos, dizendo:
27 तकरबाद ओ बाटी लेलनि आ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दऽ कऽ शिष्‍य सभ केँ दैत कहलथिन, “अहाँ सभ केओ एहि मे सँ पिबू।
27 A seguir, Jesus pegou um cálice e, tendo dado graças, o deu aos seus discípulos, dizendo:
28 ई परमेश्‍वर आ मनुष्‍यक बीच विशेष सम्‍बन्‍ध स्‍थापित करऽ वला हमर खून अछि, जे बहुत लोकक पापक क्षमादानक लेल बहाओल जा रहल अछि।
28 porque isto é o meu sangue, o sangue da aliança, derramado em favor de muitos, para remissão de pecados.
29 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, ई अंगूरक रस हम आजुक बाद ताबत तक फेर नहि पीब जाबत तक हम अपन पिताक राज्‍य मे अहाँ सभक संग नवका अंगूरक रस नहि पीब।”
29 E digo a vocês que, desta hora em diante, nunca mais beberei deste fruto da videira, até aquele dia em que beberei com vocês o vinho novo, no Reino de meu Pai.
30 तकरबाद एक भजन गाबि कऽ ओ सभ जैतून पहाड़ पर चल गेलाह।
30 E, tendo cantado um hino, saíram para o monte das Oliveiras.
31 तखन यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “आइए राति अहाँ सभ गोटे हमरा कारणेँ अपना विश्‍वास मे डगमगायब, किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे परमेश्‍वर कहने छथि,
31 Então Jesus disse aos discípulos:
32 मुदा मृत्‍यु सँ फेर जीवित भऽ गेलाक बाद हम अहाँ सभ सँ पहिने गलील प्रदेश जायब।”
32 Mas, depois da minha ressurreição, irei adiante de vocês para a Galileia.
33 एहि पर पत्रुस कहलथिन, “चाहे सभ केओ अहाँक कारणेँ विश्‍वास मे डगमगायत, मुदा हम कहियो नहि डगमगायब!”
33 Mas Pedro, tomando a palavra, disse a Jesus: — Ainda que o senhor venha a ser um tropeço para todos, nunca o será para mim.
34 यीशु पत्रुस केँ कहलथिन, “हम अहाँ केँ सत्‍य कहैत छी जे, आइए राति मे मुर्गा केँ बाजऽ सँ पहिने अहाँ तीन बेर हमरा अस्‍वीकार कऽ कऽ लोक केँ कहबैक जे, हम ओकरा चिन्‍हबो नहि करैत छिऐक।”
34 Mas Jesus lhe disse:
35 मुदा पत्रुस कहलथिन, “हमरा जँ अहाँक संग मरहो पड़त तैयो हम किन्‍नहुँ नहि अहाँ केँ अस्‍वीकार करब।” आरो सभ शिष्‍य सेहो यैह बात कहलथिन।
35 Pedro insistiu: — Ainda que me seja necessário morrer com o senhor, de modo nenhum o negarei. E todos os discípulos disseram o mesmo.
36 ओहिठाम सँ यीशु अपन शिष्‍य सभक संग गतसमनी नामक एक जगह पर गेलाह। ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम किछु आगाँ जा कऽ जाबत प्रार्थना करैत छी ताबत अहाँ सभ एतऽ बैसल रहू।”
36 Em seguida, Jesus foi com eles a um lugar chamado Getsêmani. E disse aos discípulos:
37 ओ पत्रुस आ जबदीक दूनू पुत्र केँ अपना संग लऽ गेलाह। ओ बहुत व्‍यथित आ व्‍याकुल होमऽ लगलाह,
37 E, levando consigo Pedro e os dois filhos de Zebedeu, começou a sentir-se tomado de tristeza e de angústia.
38 और हुनका सभ केँ कहलथिन, “हमर मोन व्‍यथा सँ एतेक व्‍याकुल अछि—मानू जे हम दुःख सँ मरऽ पर छी। अहाँ सभ एहिठाम रहि कऽ हमरा संग जागल रहू।”
38 Então lhes disse:
39 एतेक कहि ओ कनेक आगाँ बढ़लाह आ मुँह भरे खसि कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह, “हे हमर पिता, जँ भऽ सकैत अछि तँ ई दुःखक बाटी हमरा लग सँ हटा लिअ, मुदा तैयो जेना हम चाहैत छी तेना नहि, बल्‍कि जेना अहाँ चाहैत छी तेना होअय।”
39 E, adiantando-se um pouco, prostrou-se sobre o seu rosto, orando e dizendo:
40 तकरबाद यीशु अपन तीनू शिष्‍य लग अयलाह। ओ हुनका सभ केँ सुतल देखि पत्रुस केँ पुछलथिन, “की हमरा संग एको घण्‍टा जागल रहितहुँ से अहाँ सभ केँ पार नहि लागल?
40 E, voltando para os discípulos, achou-os dormindo. E disse a Pedro:
41 परीक्षा मे नहि पड़ि जाउ ताहि लेल अहाँ सभ जागल रहू आ प्रार्थना करैत रहू। आत्‍मा तँ तत्‍पर अछि मुदा शरीर कमजोर।”
41 Vigiem e orem, para que não caiam em tentação; o espírito, na verdade, está pronto, mas a carne é fraca.
42 यीशु फेर जा कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह, “हे पिता, जँ ई बाटी बिनु पिने हमरा लग सँ नहि हटाओल जा सकैत अछि, तँ अहाँक जे इच्‍छा अछि से पूरा होअय।”
42 Retirando-se pela segunda vez, orou de novo, dizendo:
43 ओ जखन प्रार्थना कऽ कऽ शिष्‍य सभ लग अयलाह तँ ओ सभ फेर सुतल छलाह। हुनकर सभक आँखि नीन सँ भारी भऽ गेल छलनि।
43 E, voltando, achou-os outra vez dormindo; porque os olhos deles estavam pesados.
44 यीशु हुनका सभ केँ सुतले छोड़ि कऽ फेर गेलाह आ तेसरो बेर ओही तरहेँ प्रार्थना कयलनि।
44 Deixando-os novamente, foi orar pela terceira vez, repetindo as mesmas palavras.
45 तकरबाद ओ शिष्‍य सभ लग अयलाह आ कहलथिन, “की अहाँ सभ एखनो तक सुतिए रहल छी आ आरामे कऽ रहल छी? देखू, ओ समय आब आबि गेल, मनुष्‍य-पुत्र पापी सभक हाथ मे पकड़बाओल जा रहल अछि।
45 Então voltou para os discípulos e lhes disse:
46 उठू-उठू! चलू! देखू, हमरा पकड़बाबऽ वला आबि गेल अछि!”
46 Levantem-se, vamos embora! Eis que o traidor se aproxima.
47 यीशु ई बात कहिए रहल छलाह कि यहूदा, जे बारह शिष्‍य मे सँ एक छल, ओतऽ पहुँचि गेल। ओकरा संग लोकक बड़का भीड़ छलैक, और सभक हाथ मे तरुआरि आ लाठी छल। ओकरा सभ केँ मुख्‍यपुरोहित सभ आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनि पठौने छलाह।
47 E enquanto Jesus ainda falava, eis que chegou Judas, um dos doze, e, com ele, grande multidão com espadas e porretes, vinda da parte dos principais sacerdotes e dos anciãos do povo.
48 यीशु केँ पकड़बाबऽ वला ओकरा सभ केँ ई संकेत देने छलैक जे, “हम जकरा चुम्‍मा लेब, वैह होयत। अहाँ सभ ओकरे पकड़ि लेब।”
48 Ora, o traidor tinha dado a eles um sinal: “Aquele que eu beijar, é esse; prendam-no.”
49 यहूदा तुरत यीशुक लग मे जा कऽ कहलकनि, “गुरुजी, प्रणाम!” आ हुनका चुम्‍मा लेलकनि।
49 E logo, aproximando-se de Jesus, Judas disse: — Salve, Mestre! E o beijou.
50 यीशु कहलथिन, “हौ मित्र, तोँ जाहि काजक लेल आयल छह, से कऽ लैह।” तखन लोक सभ आगाँ बढ़ि कऽ यीशु केँ पकड़ि लेलकनि आ बन्‍दी बना लेलकनि।
50 Jesus, porém, lhe disse: Nisto, aproximando-se eles, agarraram Jesus e o prenderam.
51 ई देखि यीशुक एक शिष्‍य अपन तरुआरि निकालि कऽ महापुरोहितक टहलू पर चला देलनि जाहि सँ ओकर एकटा कान छपटा गेलैक।
51 E eis que um dos que estavam com Jesus, estendendo a mão, sacou da espada e, golpeando o servo do sumo sacerdote, cortou-lhe a orelha.
52 यीशु अपना शिष्‍य केँ कहलथिन, “अपन तरुआरि म्‍यान मे राखि लिअ। जे केओ तरुआरि चलबैत अछि से तरुआरि सँ मारल जायत।
52 Então Jesus lhe disse:
53 की अहाँ ई सोचैत छी, जे हम अपन पिता सँ एहि बातक लेल निवेदन नहि कऽ सकैत छी जे ओ एही क्षण हमरा सहायताक लेल स्‍वर्गदूतक बारह सेना सँ बेसिओ पठबथि?
53 Ou você acha que não posso pedir a meu Pai, e ele me mandaria neste momento mais de doze legiões de anjos?
54 मुदा तखन धर्मशास्‍त्रक जे लेख अछि, जे ई सभ भेनाइ जरूरी अछि, से कोना पूरा होइत?”
54 Mas como, então, se cumpririam as Escrituras, que dizem que assim deve acontecer?
55 तकरबाद यीशु अपना चारू भागक भीड़क लोक केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ हमरा विद्रोह मचाबऽ वला बुझि कऽ लाठी और तरुआरि लऽ कऽ पकड़ऽ अयलहुँ? हम तँ सभ दिन मन्‍दिर मे बैसि कऽ लोक केँ उपदेश दैत छलिऐक, ततऽ अहाँ सभ हमरा नहि पकड़लहुँ।
55 Naquele momento, Jesus disse às multidões:
56 मुदा ई सभ एना एहि लेल भेल जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक लिखल बात सभ पूरा होअय।” तकरबाद हुनकर सभ शिष्‍य हुनका छोड़ि कऽ पड़ा गेलनि।
56 Tudo isto, porém, aconteceu para que se cumprissem as Escrituras dos profetas. Então todos os discípulos o deixaram e fugiram.
57 यीशु केँ पकड़ऽ वला सभ हुनका महापुरोहित काइफाक ओतऽ लऽ गेलनि। ओहिठाम धर्मशिक्षक आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जमा भेल छलाह।
57 E os que prenderam Jesus o levaram à casa de Caifás, o sumo sacerdote, onde se haviam reunido os escribas e os anciãos.
58 पत्रुस सेहो कनेक दूरे रहि कऽ यीशुक पाछाँ लागल महापुरोहितक आङन तक गेलाह। ओ एहि घटनाक अन्‍त देखबाक उद्देश्‍य सँ नोकर सभक संग भीतर जा कऽ बैसि रहलाह।
58 Pedro o seguia de longe até o pátio do sumo sacerdote. E, tendo entrado, assentou-se entre os servos, para ver como aquilo ia terminar.
59 ओम्‍हर मुख्‍यपुरोहित सभ आ सम्‍पूर्ण धर्म-महासभाक सदस्‍य सभ यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक योग्‍य बनयबाक लेल हुनका विरोध मे झूठ-फूसक प्रमाण सभ जमा करबाक कोशिश मे लागल छलाह।
59 E os principais sacerdotes e todo o Sinédrio procuravam algum testemunho falso contra Jesus, a fim de o condenarem à morte.
60 मुदा बहुतो झुट्ठा गवाह सभक वयान लेलाक बादो कोनो पकिया प्रमाण हुनका सभ केँ नहि भेटलनि। अन्‍त मे दू गोटे आगाँ आबि कऽ बाजल,
60 E não acharam, apesar de terem sido apresentadas muitas testemunhas falsas. Mas, afinal, compareceram duas, afirmando:
61 “ई आदमी कहने छल जे, ‘हम परमेश्‍वरक मन्‍दिर केँ तोड़ि कऽ तीन दिन मे फेर ओकर निर्माण कऽ सकैत छी’।”
61 — Este disse: “Posso destruir o santuário de Deus e reconstruí-lo em três dias.”
62 एहि पर महापुरोहित ठाढ़ होइत यीशु केँ पुछलथिन, “की अहाँ कोनो उत्तर नहि देब? ई गवाह सभ अहाँक विरोध मे केहन बात सभ कहि रहल अछि?”
62 E, levantando-se o sumo sacerdote, perguntou a Jesus: — Você não diz nada em resposta ao que estes depõem contra você?
63 मुदा यीशु चुपे रहलाह। महापुरोहित फेर कहलथिन, “अहाँ जीवित परमेश्‍वरक सपत खा कऽ कहू जे, की अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह, परमेश्‍वरक पुत्र छी?”
63 Jesus, porém, guardou silêncio. E o sumo sacerdote lhe disse: — Eu exijo que nos diga, tendo o Deus vivo por testemunha, se você é o Cristo, o Filho de Deus.
64 यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि देलहुँ। और हम अहाँ सभ केँ इहो बात कहैत छी जे, भविष्‍य मे अहाँ सभ मनुष्‍य-पुत्र केँ सर्वशक्‍तिमान परमेश्‍वरक दहिना कात बैसल आ आकाशक मेघ मे अबैत देखब।”
64 Jesus respondeu:
65 ई बात सुनिते महापुरोहित अपन वस्‍त्र फाड़ैत बजलाह, “ई आदमी अपना केँ परमेश्‍वरक बराबरि बुझैत अछि! की अपना सभ केँ एखनो गवाह सभक आवश्‍यकता अछि? अहाँ सभ स्‍वयं अपन कान सँ सुनलहुँ जे ई परमेश्‍वरक निन्‍दा कयलक।
65 Então o sumo sacerdote rasgou as suas vestes e disse: — Blasfemou! Por que ainda precisamos de testemunhas? Eis que agora mesmo vocês ouviram a blasfêmia!
66 आब अहाँ सभक की विचार अछि?” ओ सभ उत्तर देलथिन, “ई मृत्‍युदण्‍डक जोगरक अछि।”
66 O que vocês acham? E eles responderam: — É réu de morte.
67 तकरबाद ओहिठाम उपस्‍थित लोक सभ यीशु केँ मुँह पर थूक फेकऽ लगलनि, हुनका मुक्‍का मारलकनि। किछु लोक हुनका थप्‍पड़ मारैत कहलकनि,
67 Então alguns cuspiram no rosto de Jesus e bateram nele. E outros o esbofeteavam, dizendo:
68 “यौ अन्‍तर्यामी मसीह! कहल जाओ, अपने केँ के मारलक?”
68 — Profetize para nós, ó Cristo! Quem foi que bateu em você?
69 पत्रुस ओहि समय धरि बाहर आङन मे बैसल छलाह। तखन एक टहलनी हुनका लग आबि कऽ कहलकनि, “अहूँ तँ गलील निवासी यीशुक संग छलहुँ।”
69 Pedro estava sentado fora no pátio. Uma empregada se aproximou e lhe disse: — Você também estava com Jesus, o galileu.
70 मुदा पत्रुस सभक सामने मे अस्‍वीकार करैत ओकरा कहलथिन, “तोँ की बाजि रहल छेँ से हमरा बुझहे मे नहि अबैत अछि।”
70 Mas ele negou diante de todos e disse: — Não sei o que você está dizendo.
71 ई बात कहि पत्रुस ओहिठाम सँ हटि कऽ आङनक मुँह पर चल गेलाह। तखन एक दोसर टहलनी हुनका देखि ओतऽ ठाढ़ लोक सभ केँ कहलक, “ई आदमी नासरत नगरक यीशुक संग छल।”
71 Quando se dirigia para a porta, Pedro foi visto por outra empregada, que disse aos que estavam ali: — Este também estava com Jesus, o Nazareno.
72 पत्रुस सपत खाइत फेर अस्‍वीकार कयलनि जे, “हम ओहि आदमी केँ नहि चिन्‍हैत छी!”
72 E ele negou outra vez, com juramento: — Não conheço esse homem.
73 किछु कालक बाद ओहिठाम ठाढ़ लोक सभ पत्रुस लग आबि कऽ कहलकनि, “निश्‍चय तोँ ओकरे सभ मे सँ छह। तोहर बोलिए एहि बात केँ स्‍पष्‍ट कऽ रहल छह।”
73 Pouco depois, aproximando-se os que estavam ali, disseram a Pedro: — Com certeza você também é um deles, porque o seu modo de falar o denuncia.
74 तखन पत्रुस सपत खा कऽ अपना केँ सरापऽ लगलाह आ कहलथिन जे, “हम ओहि आदमी केँ चिन्‍हिते नहि छी!” ठीक ओही क्षण मे मुर्गा बाजि उठल।
74 Então ele começou a praguejar e a jurar: — Não conheço esse homem! E no mesmo instante o galo cantou.
75 तखन पत्रुस केँ यीशुक कहल ओ बात मोन पड़ि गेलनि जे, “मुर्गा केँ बाजऽ सँ पहिने अहाँ हमरा तीन बेर अस्‍वीकार करब।” ओ ओहिठाम सँ बाहर भऽ भोकासी पाड़ि कऽ कानऽ लगलाह।
75 Então Pedro se lembrou da palavra que Jesus lhe tinha dito: “Antes que o galo cante, você me negará três vezes.” E Pedro, saindo dali, chorou amargamente.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 26, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.