Mateus 23

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 तकरबाद यीशु जमा भेल लोकक भीड़ केँ आ अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन,
1 Então, falou Jesus às multidões e aos seus discípulos:
2 “मूसाक धर्म-नियमक बात सिखयबाक अधिकार धर्मशिक्षक आ फरिसी सभक हाथ मे छनि।
2 Na cadeira de Moisés, se assentaram os escribas e os fariseus.
3 तेँ ओ सभ जे किछु कहैत छथि, तकरा मानू आ करू, मुदा जे ओ सभ करैत छथि से नहि करू, कारण ओ सभ लोक सभ केँ जे सिखबैत छथि से अपने नहि करैत छथि।
3 Fazei e guardai, pois, tudo quanto eles vos disserem, porém não os imiteis nas suas obras; porque dizem e não fazem.
4 ओ सभ भारी बोझ बान्‍हि कऽ लोकक कान्‍ह पर लादि दैत छथि मुदा तकरा उठयबाक लेल ओ सभ स्‍वयं अपन आङुरो नहि भिड़बऽ चाहैत छथि।
4 Atam fardos pesados [e difíceis de carregar] e os põem sobre os ombros dos homens; entretanto, eles mesmos nem com o dedo querem movê-los.
5 ओ लोकनि सभ काज मात्र लोकक ध्‍यान आकर्षित करबाक लेल करैत छथि। अपन तावीज सभ नमहर आकारक बनबबैत छथि आ पहिरऽ वला वस्‍त्र सभ मे लम्‍बा-लम्‍बा झालैर सभ लगबबैत छथि।
5 Praticam, porém, todas as suas obras com o fim de serem vistos dos homens; pois alargam os seus filactérios e alongam as suas franjas.
6 भोज-काज मे सम्‍मानित स्‍थान आ सभाघर सभ मे प्रमुख आसन पसन्‍द करैत छथि।
6 Amam o primeiro lugar nos banquetes e as primeiras cadeiras nas sinagogas,
7 हाट-बजार मे लोक सभ हुनका सभ केँ प्रणाम-पात करैत रहनि आ ‘गुरुजी’ कहि कऽ सम्‍बोधन करैत रहनि, से बात सभ हुनका सभ केँ बहुत नीक लगैत छनि।
7 as saudações nas praças e o serem chamados mestres pelos homens.
8 “मुदा अहाँ सभ ‘गुरु’ नहि कहाउ, कारण अहाँ सभक गुरु एकेटा छथि आ अहाँ सभ आपस मे भाइ-भाइ छी।
8 Vós, porém, não sereis chamados mestres, porque um só é vosso Mestre, e vós todos sois irmãos.
9 पृथ्‍वी पर किनको अपन धर्म-पिता नहि मानू, कारण अहाँ सभक एकेटा पिता छथि जे स्‍वर्ग मे रहैत छथि।
9 A ninguém sobre a terra chameis vosso pai; porque só um é vosso Pai, aquele que está nos céus.
10 आ अहाँ सभ ‘आचार्य’ नहि कहाउ, कारण अहाँ सभक आचार्य सेहो एके गोटे छथि, अर्थात् उद्धारकर्ता-मसीह।
10 Nem sereis chamados guias, porque um só é vosso Guia, o Cristo.
11 अहाँ सभ मे जे सभ सँ पैघ होइ से सभक सेवक बनू।
11 Mas o maior dentre vós será vosso servo.
12 कारण, जे केओ अपना केँ पैघ बुझत से छोट बनाओल जायत, मुदा जे केओ अपना केँ छोट बुझत से पैघ बनाओल जायत।
12 Quem a si mesmo se exaltar será humilhado; e quem a si mesmo se humilhar será exaltado.
13 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ स्‍वर्गक राज्‍यक द्वारि लोक सभक लेल बन्‍द कऽ दैत छी। ने अपने ओहि मे प्रवेश करैत छी आ ने तकरा सभ केँ प्रवेश करऽ दैत छिऐक जे सभ प्रवेश करऽ चाहैत अछि।
13 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque fechais o reino dos céus diante dos homens; pois vós não entrais, nem deixais entrar os que estão entrando!
14 [“यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ विधवा सभक घर-द्वारि सभ हड़पि लैत छिऐक। लोक सभ केँ देखयबाक लेल लम्‍बा-लम्‍बा प्रार्थना करैत छी। तेँ अहाँ सभ केँ बेसी दण्‍ड भेटत।]
14 [Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque devorais as casas das viúvas e, para o justificar, fazeis longas orações; por isso, sofrereis juízo muito mais severo!]
15 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ एक गोटे केँ अपना धर्म मे अनबाक लेल पृथ्‍वी आ आकाश एकटार कऽ दैत छी, मुदा जखन ओ आबि जाइत अछि तँ ओकरा अपनो सँ दोबर नरक जयबाक जोगरक बना दैत छिऐक।
15 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque rodeais o mar e a terra para fazer um prosélito; e, uma vez feito, o tornais filho do inferno duas vezes mais do que vós!
16 “यौ आन्‍हर पथ-प्रदर्शक सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ लोक सभ केँ सिखबैत छी जे, ‘जँ केओ मन्‍दिरक नाम लऽ कऽ सपत खायत, तँ तकर कोनो महत्‍व नहि अछि, मुदा जँ मन्‍दिर मे लगाओल सोनक नाम लऽ कऽ सपत खायत, तँ ओकरा अपन सपत केँ पूरा करऽ पड़तैक।’
16 Ai de vós, guias cegos, que dizeis: Quem jurar pelo santuário, isso é nada; mas, se alguém jurar pelo ouro do santuário, fica obrigado pelo que jurou!
17 अहाँ सभ आन्‍हर छी! मूर्ख छी! कोन बात पैघ अछि, लगाओल सोन वा ओ मन्‍दिर, जकरा सँ ओ सोन पवित्र भेल अछि?
17 Insensatos e cegos! Pois qual é maior: o ouro ou o santuário que santifica o ouro?
18 अहाँ सभ सिखबैत छी जे, ‘जँ केओ बलि-वेदीक नाम लऽ कऽ सपत खयलक तँ से कोनो बात नहि, मुदा वेदी पर चढ़ाओल चढ़ौनाक नाम लऽ कऽ सपत खयलक तँ से पकिया बात भेल।’
18 E dizeis: Quem jurar pelo altar, isso é nada; quem, porém, jurar pela oferta que está sobre o altar fica obrigado pelo que jurou.
19 यौ आन्‍हर सभ! कोन बात पैघ अछि, चढ़ौना वा ओ वेदी, जाहि पर अर्पण कयला सँ ओ चढ़ौना पवित्र भेल अछि?
19 Cegos! Pois qual é maior: a oferta ou o altar que santifica a oferta?
20 तेँ, जे केओ वेदीक सपत खाइत अछि से ओहि वेदी आ ओहि पर जे किछु अछि, सभक सपत खाइत अछि।
20 Portanto, quem jurar pelo altar jura por ele e por tudo o que sobre ele está.
21 तहिना, जे केओ मन्‍दिरक सपत खाइत अछि से मन्‍दिर आ ओहि मे जे वास करैत छथि, दूनूक सपत खाइत अछि,
21 Quem jurar pelo santuário jura por ele e por aquele que nele habita;
22 और जे केओ स्‍वर्गक सपत खाइत अछि, से परमेश्‍वरक सिंहासन आ ओहि पर जे विराजमान छथि तिनको सपत खाइत अछि।
22 e quem jurar pelo céu jura pelo trono de Deus e por aquele que no trono está sentado.
23 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी! अहाँ सभ पुदीना, सोंफ आ जीरक दसम भाग तँ परमेश्‍वर केँ अर्पण करैत छी, मुदा धर्म-नियमक मुख्‍य बात सभ, जेना न्‍याय, करुणा आ विश्‍वसनियता सँ कोनो मतलब नहि रखैत छी। होयबाक तँ ई चाहैत छल जे अहाँ सभ बिनु ओ बात सभ छोड़ने इहो बात सभ करितहुँ।
23 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque dais o dízimo da hortelã, do endro e do cominho e tendes negligenciado os preceitos mais importantes da Lei: a justiça, a misericórdia e a fé; devíeis, porém, fazer estas coisas, sem omitir aquelas!
24 यौ आन्‍हर पथ-प्रदर्शक सभ, अहाँ सभ तँ मच्‍छर केँ छानि कऽ फेकि दैत छी, मुदा ऊँट केँ घोँटि लैत छी।
24 Guias cegos, que coais o mosquito e engolis o camelo!
25 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ थारी-बाटी सभ केँ बाहर सँ तँ मँजैत छी, मुदा ओहि मे लूट-पाट आ स्‍वार्थ द्वारा प्राप्‍त कयल वस्‍तु सभ रखैत छी।
25 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque limpais o exterior do copo e do prato, mas estes, por dentro, estão cheios de rapina e intemperança!
26 यौ आन्‍हर फरिसी, थारी-बाटी केँ पहिने भीतर सँ साफ करू, तखन ओ बाहर सँ सेहो साफ रहत।
26 Fariseu cego, limpa primeiro o interior do copo, para que também o seu exterior fique limpo!
27 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ चून सँ पोतल कबरक चबुतरा जकाँ छी, जे बाहर सँ तँ सुन्‍दर देखाइ दैत रहैत अछि, मुदा ओकरा भीतर मे लासक हाड़ आ सभ तरहक सड़ल वस्‍तु भरल रहैत छैक।
27 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque sois semelhantes aos sepulcros caiados, que, por fora, se mostram belos, mas interiormente estão cheios de ossos de mortos e de toda imundícia!
28 तहिना अहूँ सभ बाहर सँ लोक सभ केँ धार्मिक बुझाइत छिऐक, मुदा भीतर मे पाखण्‍ड आ अधर्म सँ भरल छी।
28 Assim também vós exteriormente pareceis justos aos homens, mas, por dentro, estais cheios de hipocrisia e de iniquidade.
29 “यौ धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ, धिक्‍कार अछि अहाँ सभ केँ! अहाँ सभ पाखण्‍डी छी। अहाँ सभ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक कबर पर चबुतराक निर्माण करैत छी, धर्मी लोकक स्‍मारक केँ सजबैत छी,
29 Ai de vós, escribas e fariseus, hipócritas, porque edificais os sepulcros dos profetas, adornais os túmulos dos justos
30 और कहैत छी जे, ‘हम सभ जँ अपना पुरखा सभक समय मे रहल रहितहुँ तँ हम सभ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक हत्‍या मे ओकरा सभ केँ साथ नहि देने रहितहुँ।’
30 e dizeis: Se tivéssemos vivido nos dias de nossos pais, não teríamos sido seus cúmplices no sangue dos profetas!
31 एहि तरहेँ अहाँ सभ अपने साक्षी दऽ रहल छी जे अहाँ सभ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक हत्‍या कयनिहारक सन्‍तान छी।
31 Assim, contra vós mesmos, testificais que sois filhos dos que mataram os profetas.
32 तँ पूरा करू अपन पुरखाक काज! पापक घैल केँ भरि दिअ!
32 Enchei vós, pois, a medida de vossos pais.
33 “है साँप सभ! है बिषधर साँपक सन्‍तान सभ! अहाँ सभ नरकक दण्‍ड सँ कोना बाँचब?
33 Serpentes, raça de víboras! Como escapareis da condenação do inferno?
34 एहि कारणेँ, सुनू अहाँ सभ, हम अहाँ सभ लग अपन प्रवक्‍ता, बुद्धिमान लोकनि आ शिक्षक सभ केँ पठा रहल छी। अहाँ सभ ओहि मे सँ कतेक गोटे केँ जान सँ मारि देबनि, क्रूस पर लटका देबनि, कतेक गोटे केँ अपन सभाघर सभ मे कोड़ा सँ मारबनि आ एक नगर सँ दोसर नगर तक खिहारैत रहबनि।
34 Por isso, eis que eu vos envio profetas, sábios e escribas. A uns matareis e crucificareis; a outros açoitareis nas vossas sinagogas e perseguireis de cidade em cidade;
35 एहि तरहेँ पृथ्‍वी पर धर्मी लोकक जतेक खून बहाओल गेल—धर्मी हाबिलक खून सँ लऽ कऽ बिरिकयाहक पुत्र जकरयाहक खून धरि, जिनका अहाँ सभ मन्‍दिरक ‘पवित्र स्‍थान’ आ बलि-वेदीक बीच हत्‍या कऽ देलियनि, तकर भार अहाँ सभक मूड़ी पर पड़त।
35 para que sobre vós recaia todo o sangue justo derramado sobre a terra, desde o sangue do justo Abel até ao sangue de Zacarias, filho de Baraquias, a quem matastes entre o santuário e o altar.
36 हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, ई सभ बातक लेखा-जोखा एही पीढ़ीक लोक सभ सँ लेल जायत।
36 Em verdade vos digo que todas estas coisas hão de vir sobre a presente geração.
37 “हे यरूशलेम! हे यरूशलेम! तोँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक हत्‍या करैत छह आ जिनका परमेश्‍वर तोरा लग पठबैत छथुन, तिनका सभ केँ तोँ पथरबाहि कऽ कऽ मारि दैत छहुन। हम कतेको बेर चाहलिअह जे जहिना मुर्गी अपना बच्‍चा सभ केँ अपन पाँखिक तर मे नुकबैत अछि, तहिना हमहूँ तोहर सन्‍तान सभ केँ जमा कऽ लिअह। मुदा तोँ ई नहि चाहलह!
37 Jerusalém, Jerusalém, que matas os profetas e apedrejas os que te foram enviados! Quantas vezes quis eu reunir os teus filhos, como a galinha ajunta os seus pintinhos debaixo das asas, e vós não o quisestes!
38 देखह, आब तोहर घर उजड़ल पड़ल छह।
38 Eis que a vossa casa vos ficará deserta.
39 हम तोरा कहैत छिअह, तोँ हमरा फेर ताबत तक नहि देखबह जाबत तक ओ समय नहि आओत जहिया तोँ ई कहबह जे, ‘धन्‍य छथि ओ जे प्रभुक नाम सँ अबैत छथि!’”
39 Declaro-vos, pois, que, desde agora, já não me vereis, até que venhais a dizer:

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 23, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.