Mateus 21
jivən səndesh (MAI) vs NTLH
1 यीशु आ हुनकर शिष्य सभ जखन यरूशलेम नगरक लग मे जैतून पहाड़ पर बेतफगे गाम मे पहुँचलाह तखन यीशु दूटा शिष्य केँ ई कहि कऽ पठौलथिन जे,
1 Quando Jesus e os discípulos estavam chegando a Jerusalém, pararam no povoado de Betfagé, que fica perto do monte das Oliveiras. Dali Jesus enviou dois discípulos na frente,
2 “सामने मे जे गाम अछि, ताहि मे जाउ। ओतऽ पहुँचिते एक गदही अपन बच्चाक संग बान्हल भेटत। ओकरा सभ केँ खोलि कऽ हमरा लग नेने आउ।
2 com a seguinte ordem:
3 जँ केओ अहाँ सभ केँ किछु कहय तँ कहबैक जे, ‘प्रभु केँ एकर आवश्यकता छनि।’ ई सुनैत देरी ओ अहाँ सभ केँ आनऽ देत।”
3 Se alguém falar alguma coisa, digam que o Mestre precisa deles. Assim deixarão vocês trazerem logo os animais.
4 ई एहि लेल भेल जे परमेश्वरक प्रवक्ताक कहल ई वचन पूरा होअय जे,
4 Isso aconteceu para se cumprir o que o profeta tinha dito:
5 “सियोन नगर केँ कहक,
5 “Digam ao povo de Jerusalém: Agora o seu rei está chegando. Ele é humilde e está montado num jumento e num jumentinho, filho de jumenta.”
6 शिष्य सभ जा कऽ यीशुक कहल अनुसार कयलनि।
6 Então os discípulos foram e fizeram o que Jesus havia mandado.
7 ओ सभ गदही आ ओकर बच्चा केँ लऽ आनि ओकरा पीठ पर अपन कपड़ा सभ राखि देलनि। यीशु ओहि पर बैसि गेलाह।
7 Levaram a jumenta e o jumentinho, jogaram as suas capas sobre eles, e Jesus montou.
8 भीड़ मे सँ बहुतो लोक सभ सेहो अपन-अपन वस्त्र आ ओढ़नी सभ बाट पर ओछौलक। दोसर लोक सभ गाछ-वृक्षक ठाढ़ि-पात काटि-काटि कऽ ओछौलक।
8 Da grande multidão que ia com eles, alguns estendiam as suas capas no chão, e outros espalhavam no chão ramos que tinham cortado das árvores.
9 यीशुक आगाँ-पाछाँ चलऽ वला लोकक भीड़ एहि तरहेँ जयजयकार करऽ लागल जे,
9 Tanto os que iam na frente como os que vinham atrás começaram a gritar: — Que Deus abençoe aquele que vem em nome do Senhor! Hosana a Deus nas alturas do céu!
10 जखन यीशु यरूशलेम मे प्रवेश कयलनि तँ सम्पूर्ण नगर मे हलचल सन होमऽ लागल। सभ पुछैत छल, “ई के छथि?”
10 Quando Jesus entrou em Jerusalém, toda a cidade ficou agitada, e o povo perguntava: — Quem é ele?
11 आगाँ-पाछाँ चलऽ वला भीड़क लोक सभ ओकरा सभ केँ कहलकैक, “ई गलील प्रदेशक नासरत-निवासी परमेश्वरक प्रवक्ता यीशु छथि।”
11 A multidão respondia: — Este é o
12 यीशु मन्दिरक आङन मे अयलाह आ बेचऽ वला और किनऽ वला सभ केँ ओतऽ सँ बाहर भगाबऽ लगलाह। ओ पाइ भजौनिहार सभक टेबुल आ परबा-पेउरकी बेचनिहार सभक पीढ़ी-बैसकी सभ केँ उनटा-पुनटा देलथिन।
12 Jesus entrou no pátio do Templo e expulsou todos os que compravam e vendiam naquele lugar. Derrubou as mesas dos que trocavam dinheiro e as cadeiras dos que vendiam pombas.
13 ओ ओकरा सभ केँ कहलथिन, “धर्मशास्त्र मे लिखल अछि जे, ‘हमर घर प्रार्थनाक घर कहाओत’ मुदा तोँ सभ एकरा ‘चोर-डाकूक अड्डा’ बना देने छह।”
13 Ele lhes disse:
14 मन्दिर मे यीशु लग आन्हर आ नाङड़ व्यक्ति सभ अयलनि आ यीशु ओकरा सभ केँ स्वस्थ कऽ देलथिन।
14 Cegos e coxos iam encontrar Jesus no pátio do Templo, e ele os curava.
15 यीशुक चमत्कार वला काज सभ देखि आ मन्दिर मे बच्चा सभक द्वारा जे “दाऊदक पुत्र”क जयजयकार भऽ रहल छल, तकरा सुनि मुख्यपुरोहित आ धर्मशिक्षक सभ बहुत खिसिआ गेलाह।
15 Os chefes dos sacerdotes e os mestres da Lei ficaram zangados quando viram as coisas maravilhosas que ele fazia e ouviram as crianças gritando no pátio do Templo: —
16 ओ सभ यीशु केँ कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनैत छी जे ई सभ की कहि रहल अछि?” यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हँ, और की अहाँ सभ नहि पढ़ने छी जे,
16 E eles disseram a Jesus: — Você está ouvindo o que estão dizendo? Jesus respondeu:
17 एतेक कहि यीशु हुनका सभ केँ ओतहि छोड़ि नगर सँ बहरा गेलाह आ बेतनिया गाम मे जा कऽ राति भरि ओतऽ रहलाह।
17 Então Jesus os deixou, saiu da cidade e foi para o povoado de Betânia. E passou a noite ali.
18 भोर मे फेर नगर दिस अबैत समय मे यीशु केँ भूख लगलनि।
18 No dia seguinte, quando estava voltando para a cidade, Jesus teve fome.
19 रस्ताक कात मे एक अंजीरक गाछ देखि ओ गाछ लग गेलाह। मुदा ओहि पर पात छोड़ि आओर किछु नहि भेटलनि। यीशु ओहि गाछ केँ कहलथिन, “जो, आब कहियो तोरा पर फल नहि लटकतौ!” गाछ ओही क्षण सुखा गेल।
19 Ele viu uma figueira na beira da estrada e foi até lá, mas não encontrou nada; só folhas. Aí disse para a figueira: E na mesma hora a figueira secou.
20 ई देखि शिष्य सभ आश्चर्यित भऽ कहलथिन, “ई अंजीरक गाछ तुरत कोना सुखा गेल?”
20 Os discípulos viram isso, ficaram muito admirados e disseram: — Como a figueira secou depressa!
21 एहि पर यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी जे, जँ अहाँ सभ बिनु सन्देह कऽ विश्वास करब, तँ अहाँ सभ मात्र एतबे नहि करब जे एहि अंजीरक गाछक संग भेल, बल्कि जँ अहाँ सभ एहि पहाड़ केँ आज्ञा देबैक जे, ‘एतऽ सँ हट आ समुद्र मे जो,’ तँ सेहो भऽ जायत।
21 Então Jesus disse:
22 अहाँ सभ जे किछु प्रार्थना मे विश्वासक संग माँगब, से अहाँ सभ केँ प्राप्त होयत।”
22 Se crerem, receberão tudo o que pedirem em oração.
23 यीशु जखन मन्दिर मे जा कऽ उपदेश दऽ रहल छलाह तखन मुख्यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्ठित सभ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “अहाँ कोन अधिकार सँ ई सभ बात कऽ रहल छी? अहाँ केँ ई अधिकार के देलनि?”
23 Jesus chegou ao Templo, e, quando já estava ensinando, alguns chefes dos sacerdotes e alguns líderes judeus chegaram perto dele e perguntaram: — Com que autoridade você faz essas coisas? Quem lhe deu essa autoridade?
24 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “हमहूँ अहाँ सभ सँ एकटा बात पुछैत छी। जँ अहाँ सभ हमरा तकर जबाब देब तँ हमहूँ अहाँ सभ केँ कहब जे कोन अधिकार सँ हम ई सभ बात कऽ रहल छी।
24 Jesus respondeu:
25 यूहन्ना केँ बपतिस्मा देबाक अधिकार कतऽ सँ भेटल छलनि? परमेश्वर सँ वा मनुष्य सँ?” ई सुनि ओ सभ अपना मे तर्क-वितर्क करऽ लगलाह जे, “जँ अपना सभ कहबैक जे ‘परमेश्वर सँ’, तँ ओ पुछत जे, तखन अहाँ सभ हुनकर बातक विश्वास किएक नहि कयलहुँ?
25 Respondam: quem deu autoridade a João para batizar? Foi Deus ou foram pessoas? Aí eles começaram a dizer uns aos outros: — Se dissermos que foi Deus, ele vai perguntar: “Então por que vocês não creram em João?”
26 मुदा जँ कहबैक जे, ‘मनुष्य सँ’ तँ अपना सभ केँ जनता सँ डर अछि, कारण सभ लोक यूहन्ना केँ परमेश्वरक प्रवक्ता मानैत अछि।”
26 Mas, se dissermos que foram pessoas, temos medo do que o povo pode fazer, pois todos acham que João era profeta .
27 तेँ ओ सभ यीशु केँ उत्तर देलथिन जे, “हम सभ नहि जनैत छी।” एहि पर यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “तखन हमहूँ अहाँ सभ केँ नहि कहब जे कोन अधिकार सँ हम ई काज कऽ रहल छी।
27 Por isso responderam: — Não sabemos.
28 “अच्छा, अहाँ सभक की विचार अछि? एक गोटे केँ दूटा बेटा छलनि। ओ जेठका केँ कहलथिन, ‘बौआ, आइ अंगूरक बाड़ी मे काज करऽ जाह।’
28 Jesus continuou:
29 बेटा कहलकनि, ‘हम नहि जायब,’ मुदा बाद मे ओकरा पछतावा भेलैक आ ओ काज करबाक लेल गेल।
29 — Ele respondeu: “Eu não quero ir.” Mas depois mudou de ideia e foi.
30 तखन बाबू दोसरो बेटा लग जा कऽ यैह बात कहलथिन। ओ उत्तर देलकनि, ‘ठीक अछि, बाबूजी, हम जाइत छी।’ मुदा ओ नहि गेल।
30 — O pai foi e deu ao outro filho a mesma ordem. E este disse: “Sim, senhor.” Mas depois não foi.
31 आब कहू, एकरा सभ मे सँ के अपन बाबूक इच्छानुरूप कयलक?” ओ सभ कहलथिन, “पहिल वला।” यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी, कर असूल कयनिहार आ वेश्या सभ परमेश्वरक राज्य मे अहाँ सभ सँ आगाँ प्रवेश कऽ रहल अछि।
31 — Qual deles fez o que o pai queria? — perguntou Jesus. E eles responderam: — O filho mais velho. Então Jesus disse a eles:
32 यूहन्ना धार्मिकताक बाट देखबैत अहाँ सभ लग अयलाह और अहाँ सभ हुनकर बातक विश्वास नहि कयलहुँ, मुदा कर असूल कयनिहार आ वेश्या सभ विश्वास कयलक। अहाँ सभ ई बात देखलाक बादो अपना पापक लेल पश्चात्ताप और हृदय-परिवर्तन कऽ कऽ हुनकर बातक विश्वास नहि कयलहुँ।
32 Pois João Batista veio para mostrar a vocês o caminho certo, e vocês não creram nele; mas os cobradores de impostos e as prostitutas creram. Porém, mesmo tendo visto isso, vocês não se arrependeram e não creram nele.
33 “एक आओर दृष्टान्त सुनू। एक गृहस्थ लोक छलाह। ओ एक अंगूरक बगान लगौलनि आ चारू कात सँ ओकरा घेरि देलनि। अंगूरक रस जमा करबाक लेल ओ एक रसकुण्ड बनौलनि आ रखबारीक लेल मचान बनौलनि। तकरबाद किसान सभ केँ बटाइ पर दऽ कऽ परदेश चल गेलाह।
33 Jesus disse:
34 फलक समय अयला पर ओ अपन हिस्सा लेबाक लेल नोकर सभ केँ बटाइदार सभ लग पठौलथिन।
34 Quando chegou o tempo da colheita, o dono mandou alguns empregados a fim de receber a parte dele.
35 मुदा बटाइदार सभ हुनकर नोकर सभ केँ पकड़ि, एकटा केँ पिटलक, एकटाक हत्या कऽ देलक और एकटा केँ पथरबाहि कयलक।
35 Mas os lavradores agarraram os empregados, bateram num, assassinaram outro e mataram ainda outro a pedradas.
36 तखन मालिक पहिल बेर सँ बेसी, आरो नोकर सभ केँ पठौलथिन। मुदा बटाइदार सभ ओकरो सभक संग वैह व्यवहार कयलक।
36 Aí o dono mandou mais empregados do que da primeira vez. E os lavradores fizeram a mesma coisa.
37 अन्त मे मालिक अपना बेटा केँ ओकरा सभ लग पठौलथिन, ई सोचि जे, ओ सभ हमरा बेटाक आदर करत।
37 Depois de tudo isso, ele mandou o seu próprio filho, pensando: “O meu filho eles vão respeitar.”
38 “मुदा बटाइदार सभ जखन मालिकक बेटा केँ देखलक तँ ओ सभ अपना मे कहऽ लागल जे, ‘ई अपन बापक उत्तराधिकारी अछि। चलू एकरा मारि कऽ समाप्त कऽ दी, और ई सम्पत्ति जे एकरा भेटऽ वला छैक ताहि पर अधिकार कऽ ली।’
38 Mas, quando os lavradores viram o filho, disseram uns aos outros: “Este é o filho do dono; ele vai herdar a plantação. Vamos matá-lo, e a plantação será nossa.”
39 एना सोचि ओ सभ हुनका पकड़ि लेलकनि आ बगान सँ बाहर लऽ जा कऽ जान सँ मारि देलकनि।
39 — Então agarraram o filho, e o jogaram para fora da plantação, e o mataram.
40 “आब कहू, बगानक मालिक जहिया औताह तँ ओ एहि बटाइदार सभ केँ की करथिन?”
40 Aí Jesus perguntou:
41 ओ सभ उत्तर देलथिन, “ओ ओहि दुष्ट बटाइदार सभक सर्वनाश करताह आ अंगूरक बगान ओहन बटाइदार सभ केँ दऽ देथिन जे फलक समय अयला पर हुनकर हिस्सा देतनि।”
41 Eles responderam: — Com certeza ele vai matar aqueles lavradores maus e vai arrendar a plantação a outros. E estes lhe darão a parte da colheita no tempo certo.
42 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ धर्मशास्त्र मे ई कहियो नहि पढ़ने छी?—
42 Jesus então perguntou:
43 एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, परमेश्वरक राज्यक अधिकार अहाँ सभ सँ छिनि लेल जायत आ ताहि समूहक लोक सभक जिम्मा मे देल जयतैक जे एकर उचित फल लाओत।
43 E Jesus terminou:
44 [जे केओ एहि पाथर पर खसत से चकना-चूर भऽ जायत, और जकरा पर ई पाथर खसतैक से थकुचा-थकुचा भऽ जायत।]”
44 Quem cair em cima dessa pedra ficará em pedaços. E, se a pedra cair sobre alguém, essa pessoa vai virar pó.
45 मुख्यपुरोहित आ फरिसी सभ हुनकर दृष्टान्त सभ सुनि कऽ बुझि गेलाह जे, ई हमरे सभक सम्बन्ध मे ई सभ बात कहि रहल अछि।
45 Os chefes dos sacerdotes e os fariseus ouviram as parábolas que Jesus contou e sabiam que ele estava falando a respeito deles.
46 ओ सभ यीशु केँ बन्दी कोना बनाओल जाय तकर उपाय सोचऽ लगलाह। मुदा हुनका सभ केँ डर होइत छलनि, कारण जनता यीशु केँ परमेश्वरक प्रवक्ता मानैत छलनि।
46 Por isso queriam prendê-lo, mas tinham medo da multidão porque o povo achava que Jesus era profeta .
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 21, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.