Mateus 19

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 ई सभ बात जखन कहल भऽ गेलनि तँ यीशु गलील प्रदेश सँ विदा भऽ कऽ यरदन नदीक दोसर कात यहूदिया प्रदेश मे गेलाह।
1 Quando Jesus acabou de proferir estas palavras, deixou a Galileia e foi para o território da Judeia, além do Jordão.
2 लोकक बड़का भीड़ हुनका पाछाँ आबि गेलनि। यीशु ओहिठाम ओकरा सभक रोग-बिमारी सभ केँ ठीक कऽ देलनि।
2 Grandes multidões o seguiram, e ele as curou ali.
3 ओहिठाम किछु फरिसी सभ यीशु लग अयलाह आ हुनका जँचबाक लेल पुछलथिन, “की धर्म-नियमक अनुसार पुरुष केँ केहनो कारण सँ अपना स्‍त्री केँ तलाक देनाइ उचित अछि?”
3 Alguns fariseus se aproximaram de Jesus e, testando-o, perguntaram: — É lícito ao homem repudiar a sua mulher por qualquer motivo?
4 यीशु उत्तर देलथिन, “की अहाँ सभ नहि पढ़ने छी जे, सृष्‍टि कयनिहार शुरुए सँ मनुष्‍य केँ ‘पुरुष आ स्‍त्री बनौलनि’,
4 Jesus respondeu:
5 और कहलनि,
5 e que disse: “Por isso o homem deixará o seu pai e a sua mãe e se unirá à sua mulher, tornando-se os dois uma só carne”?
6 एहि तरहेँ ओ सभ आब दू नहि अछि, एके भऽ गेल। तेँ जकरा परमेश्‍वर जोड़ि देलथिन, तकरा मनुष्‍य अलग नहि करओ।”
6 De modo que já não são mais dois, porém uma só carne. Portanto, que ninguém separe o que Deus ajuntou.
7 फरिसी सभ पुछलथिन, “तखन तलाकनामा दऽ कऽ तलाक देबाक आज्ञा मूसा किएक देलनि?”
7 Os fariseus perguntaram: — Então por que Moisés ordenou dar uma carta de divórcio e repudiar a mulher?
8 यीशु कहलथिन, “अहाँ सभक मोनक कठोरताक कारणेँ मूसा अहाँ सभ केँ स्‍त्री केँ तलाक देबाक अनुमति देलनि, मुदा शुरू सँ एहन नहि छल।
8 Jesus respondeu:
9 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, जे केओ एहि कारण केँ छोड़ि जे ओकर स्‍त्री दोसराक संग गलत शारीरिक सम्‍बन्‍ध रखने अछि, कोनो आन कारण सँ अपना स्‍त्री केँ तलाक दऽ कऽ दोसर सँ विवाह करैत अछि, से परस्‍त्रीगमन करैत अछि।”
9 Eu, porém, lhes digo: quem repudiar a sua mulher, não sendo por causa de relações sexuais ilícitas, e casar com outra comete adultério.
10 यीशुक शिष्‍य सभ हुनका कहलथिन, “जँ स्‍त्री-पुरुषक सम्‍बन्‍ध एहन अछि, तँ विवाह नहिए कयनाइ नीक बात।”
10 Os discípulos de Jesus disseram: — Se essa é a situação do homem em relação à sua mulher, não convém casar.
11 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “सभ केओ एहि बात केँ स्‍वीकार नहि कऽ सकैत अछि, मात्र ओ सभ जकरा एहि बातक लेल वरदान भेटल छैक।
11 Jesus, porém, lhes respondeu:
12 किएक तँ किछु लोक मे जन्‍मे सँ विवाह करबाक योग्‍यता नहि अछि, किछु लोक केँ दोसर मनुष्‍य अयोग्‍य बनबैत अछि, और किछु लोक एहनो अछि जे स्‍वर्गक राज्‍यक लेल विवाह कयनाइ त्‍यागि देने अछि। जे केओ एहि बात केँ स्‍वीकार कऽ सकैत अछि से एकरा स्‍वीकार करओ।”
12 Porque há eunucos de nascença; há outros a quem os homens fizeram tais; e há outros que se fizeram eunucos, por causa do Reino dos Céus. Quem é apto para aceitar isto, que aceite.
13 तकरबाद किछु गोटे बच्‍चा सभ केँ यीशु लग अनलकनि जाहि सँ ओ ओकरा सभ पर हाथ राखि कऽ ओकरा सभक लेल प्रार्थना कऽ देथिन, मुदा हुनकर शिष्‍य सभ ओकरा सभ केँ डाँटि देलथिन।
13 Então trouxeram algumas crianças a Jesus para que ele lhes impusesse as mãos e orasse, mas os discípulos os repreendiam.
14 यीशु कहलथिन, “बच्‍चा सभ केँ हमरा लग आबऽ दिऔक, ओकरा सभ केँ नहि रोकिऔक, किएक तँ स्‍वर्गक राज्‍य एहने सभक अछि।”
14 Jesus, porém, disse:
15 यीशु ओहि बच्‍चा सभक माथ पर हाथ राखि कऽ आशीर्वाद देलथिन आ ओतऽ सँ विदा भऽ गेलाह।
15 E, tendo-lhes imposto as mãos, retirou-se dali.
16 यीशु लग एक युवक अयलनि आ कहलकनि, “यौ गुरुजी, हम कोन उत्तम काज करू, जाहि सँ हमरा अनन्‍त जीवन भेटत?”
16 E eis que alguém, aproximando-se de Jesus, lhe perguntou: — Mestre, que farei de bom para alcançar a vida eterna?
17 यीशु कहलथिन, “अहाँ हमरा सँ उत्तमक विषय मे किएक पुछैत छी? उत्तम तँ मात्र एकेटा छथि। जँ अहाँ अनन्‍त जीवन मे प्रवेश करऽ चाहैत छी तँ परमेश्‍वरक आज्ञा सभक पालन करू।”
17 Jesus respondeu:
18 ओ पुछलकनि, “कोन आज्ञा सभ?” एहि पर यीशु कहलथिन, “ ‘हत्‍या नहि करह, परस्‍त्रीगमन नहि करह, चोरी नहि करह, झूठ गवाही नहि दैह,
18 E ele lhe perguntou: — Quais? Jesus respondeu:
19 अपन माय-बाबूक आदर करह’ आ ‘अपना पड़ोसी सँ अपने जकाँ प्रेम करह।’”
19 honre o seu pai e a sua mãe e ame o seu próximo como você ama a si mesmo.”
20 ओ युवक उत्तर देलकनि, “एहि सभ आज्ञाक पालन तँ हम कऽ रहल छी, तखन फेर हमरा मे कोन बातक कमी रहि गेल?”
20 O jovem disse: — Tudo isso tenho observado. O que me falta ainda?
21 यीशु ओकरा कहलथिन, “अहाँ जँ पूर्ण सिद्ध बनऽ चाहैत छी, तँ अपन धन-सम्‍पत्ति बेचि कऽ ओकरा गरीब सभ मे बाँटि दिअ; अहाँ केँ स्‍वर्ग मे धन भेटत। तकरबाद आउ आ हमरा पाछाँ चलू।”
21 Jesus respondeu:
22 ई बात सुनि युवक उदास भऽ ओतऽ सँ चल गेल, कारण, ओकरा बहुत धन-सम्‍पत्ति छलैक।
22 Mas o jovem, ouvindo esta palavra, retirou-se triste, porque era dono de muitas propriedades.
23 एहि पर यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, धनिक सभक लेल स्‍वर्गक राज्‍य मे प्रवेश कयनाइ कठिन अछि।
23 Então Jesus disse aos seus discípulos:
24 हम अहाँ सभ केँ फेर कहैत छी जे, धनिक केँ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश कयनाइ सँ ऊँट केँ सुइक भूर दऽ कऽ निकलनाइ आसान अछि।”
24 E ainda lhes digo que é mais fácil um camelo passar pelo fundo de uma agulha do que um rico entrar no Reino de Deus.
25 ई सुनि हुनकर शिष्‍य सभ अवाक भऽ कऽ कहलथिन, “तखन उद्धार ककर भऽ सकैत छैक?!”
25 Ouvindo isto, os discípulos ficaram muito admirados e perguntaram: — Sendo assim, quem pode ser salvo?
26 यीशु हुनका सभक दिस एकटक देखैत कहलथिन, “मनुष्‍यक लेल तँ ई असम्‍भव अछि, मुदा परमेश्‍वरक लेल सभ किछु सम्‍भव अछि।”
26 Jesus, olhando para eles, disse:
27 एहि पर पत्रुस कहलथिन, “देखू, हम सभ तँ सभ किछु त्‍यागि कऽ अहाँक पाछाँ आयल छी। हमरा सभ केँ की भेटत?”
27 Então Pedro, tomando a palavra, disse: — Eis que nós deixamos tudo e seguimos o senhor; que será, pois, de nós?
28 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, नव सृष्‍टि मे, जहिया मनुष्‍य-पुत्र अपन महिमामय सिंहासन पर विराजमान होयत, तहिया अहूँ सभ, जे सभ हमरा पाछाँ आयल छी, बारहटा सिंहासन पर बैसब आ इस्राएलक बारहो कुलक न्‍याय करब।
28 Jesus lhes respondeu:
29 जे केओ हमरा कारणेँ अपन घर, भाय, बहिन, माय-बाबू, बाल-बच्‍चा वा जमीन-जालक त्‍याग कयने अछि, से तकर सय गुना पाओत और अनन्‍त जीवनक अधिकारी होयत।
29 E todo aquele que tiver deixado casas, irmãos, irmãs, pai, mãe, filhos ou campos, por causa do meu nome, receberá muitas vezes mais e herdará a vida eterna.
30 मुदा बहुतो लोक जे एखन आगाँ अछि से पाछाँ भऽ जायत, आ जे एखन पाछाँ अछि से आगाँ भऽ जायत।
30 Porém muitos primeiros serão últimos; e os últimos serão primeiros.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 19, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.