Mateus 17
jivən səndesh (MAI) vs NTLH
1 छओ दिनक बाद यीशु अपना संग पत्रुस, याकूब आ हुनकर भाय यूहन्ना केँ लऽ कऽ एक ऊँच पहाड़ पर एकान्त मे गेलाह।
1 Seis dias depois, Jesus foi para um monte alto, levando consigo somente Pedro e os irmãos Tiago e João.
2 हुनका सभक सामने मे यीशुक रूप बदलि गेलनि। हुनकर मुँह सूर्य जकाँ चमकऽ लगलनि आ हुनकर वस्त्र इजोत सन उज्जर भऽ गेलनि।
2 Ali, eles viram a aparência de Jesus mudar: o seu rosto ficou brilhante como o sol, e as suas roupas ficaram brancas como a luz.
3 एकाएक शिष्य सभ केँ मूसा आ एलियाह यीशु सँ बात-चीत करैत देखाइ देलथिन।
3 E os três discípulos viram Moisés e Elias conversando com Jesus.
4 एहि पर पत्रुस यीशु केँ कहलथिन, “यौ प्रभु, हमरा सभक लेल ई कतेक नीक बात अछि जे हम सभ एतऽ छी! जँ अपनेक आज्ञा होअय तँ हम एहिठाम तीनटा मण्डप बनायब—एकटा अपनेक लेल, एकटा मूसाक लेल आ एकटा एलियाहक लेल।”
4 Então Pedro disse a Jesus: — Como é bom estarmos aqui, Senhor! Se o senhor quiser, eu armarei três barracas neste lugar: uma para o senhor, outra para Moisés e outra para Elias.
5 पत्रुस ई सभ बाजिए रहल छलाह, तखने एकटा चमकैत मेघ आबि हुनका सभ केँ झाँपि देलकनि आ मेघ मे सँ ई आवाज आयल जे, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि। हिनका सँ हम अति प्रसन्न छी, हिनका बात पर ध्यान दिअ!”
5 Enquanto Pedro estava falando, uma nuvem brilhante os cobriu, e dela veio uma voz, que disse: — Este é o meu Filho querido, que me dá muita alegria. Escutem o que ele diz!
6 ई सुनि शिष्य सभ अति भयभीत भऽ कऽ मुँहे भरेँ खसलाह।
6 Quando os discípulos ouviram a voz, ficaram com tanto medo, que se ajoelharam e encostaram o rosto no chão.
7 तखन लग आबि यीशु हुनका सभ केँ छुबि कऽ कहलथिन, “उठू, नहि डेराउ।”
7 Jesus veio, tocou neles e disse:
8 ओ सभ जखन अपन नजरि ऊपर उठौलनि तँ ओतऽ यीशु केँ छोड़ि आओर किनको नहि देखलनि।
8 Então eles olharam em volta e não viram ninguém, a não ser Jesus.
9 पहाड़ पर सँ नीचाँ उतरैत समय मे यीशु शिष्य सभ केँ आज्ञा देलथिन जे, “जाबत तक मनुष्य-पुत्र मृत्यु सँ फेर जीबि कऽ नहि उठत ताबत तक जे बात अहाँ सभ देखलहुँ से ककरो नहि कहिऔक।”
9 Quando estavam descendo do monte, ele lhes deu esta ordem:
10 एहि पर हुनकर शिष्य सभ हुनका सँ पुछलथिन, “धर्मशिक्षक सभ किएक कहैत छथि जे पहिने एलियाह केँ अयनाइ आवश्यक अछि?”
10 Então os discípulos perguntaram: — Por que os
11 यीशु उत्तर देलथिन, “ई बात एकदम ठीक अछि। एलियाहक अयनाइ आवश्यक अछि, और ओ सभ बातक सुधार करताह।
11 Ele respondeu:
12 मुदा हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे एलियाह तँ आबि गेल छथि। लोक सभ हुनका चिन्हि नहि सकलनि और ओकरा सभ केँ जे मोन भेलैक, से हुनका संग कयलकनि। एहि तरहेँ मनुष्य-पुत्र केँ सेहो ओकरा सभक हाथेँ कष्ट भोगऽ पड़तनि।”
12 porém eu afirmo a vocês que Elias já veio, e não o reconheceram, mas o maltrataram como quiseram. Assim também maltratarão o Filho do Homem.
13 तखन शिष्य सभ केँ बुझऽ मे अयलनि जे यीशु हमरा सभ केँ बपतिस्मा देनिहार यूहन्नाक सम्बन्ध मे कहि रहल छथि।
13 Então os discípulos entenderam que Jesus estava falando a respeito de João Batista.
14 ओ सभ जखन लोकक भीड़ जतऽ जमा छल ततऽ पहुँचलाह तँ एक गोटे यीशु लग आबि ठेहुनिया दऽ कऽ कहऽ लगलनि,
14 Quando eles chegaram perto da multidão, um homem foi até perto de Jesus, ajoelhou-se diante dele
15 “यौ प्रभु, हमरा बेटा पर दया कयल जाओ, एकरा मिर्गी अबैत छैक आ बहुत कष्ट होइत छैक। ई कखनो आगि मे खसि पड़ैत अछि तँ कखनो पानि मे।
15 e disse: — Senhor, tenha pena do meu filho! Ele é epilético e tem ataques tão fortes, que muitas vezes cai no fogo ou na água.
16 हम एकरा अपनेक शिष्य सभ लग अनने छलहुँ, लेकिन ओ सभ एकरा ठीक नहि कऽ सकलथिन।”
16 Eu o trouxe para os seus discípulos a fim de que eles o curassem, mas eles não conseguiram.
17 यीशु उत्तर देलथिन, “है अविश्वासी आ भ्रष्ट पीढ़ीक लोक सभ, हम कहिया तक तोरा सभक संग रहिअह? हम कहिया तक तोरा सभ केँ सहैत रहिअह? आनह लड़का केँ हमरा लग।”
17 Jesus respondeu:
18 जे दुष्टात्मा ओकरा मे पैसि गेल छल, तकरा यीशु फटकारलथिन। दुष्टात्मा ओकरा मे सँ निकलि गेलैक, आ ओ तखने ठीक भऽ गेल।
18 Então deu uma ordem, o demônio saiu, e no mesmo instante o menino ficou curado.
19 बाद मे शिष्य सभ एकान्त मे यीशु लग आबि कऽ पुछलथिन, “हम सभ ओहि दुष्टात्मा केँ किएक नहि निकालि सकलहुँ?”
19 Depois os discípulos chegaram perto de Jesus, em particular, e perguntaram: — Por que foi que nós não pudemos expulsar aquele demônio?
20 ओ उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ मे विश्वासक कमी अछि, तेँ। हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी जे, जँ अहाँ सभ मे सरिसोक दानो बराबरि विश्वास रहत आ एहि पहाड़ केँ कहब जे, ‘एहिठाम सँ हटि कऽ ओतऽ जो’ तँ हटि जायत। एहन कोनो बात नहि अछि जे अहाँ सभक लेल असम्भव होयत।
20 Jesus respondeu:
21 [मुदा एहि तरहक दुष्टात्मा प्रार्थना आ उपास केँ छोड़ि आओर कोनो दोसर उपाय सँ नहि निकालल जा सकैत अछि।]”
21 [Mas esse tipo de demônio só pode ser expulso com oração e jejum.]
22 एक दिन यीशु आ शिष्य सभ जखन गलील मे एक संग छलाह, तखन यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “मनुष्य-पुत्र पकड़बा कऽ लोकक हाथ मे सौंपल जायत।
22 Um dia os discípulos estavam se reunindo na Galileia, e Jesus disse a eles:
23 ओ सभ ओकरा मारि देतैक, मुदा तेसर दिन ओ जिआओल जायत।” ई बात सुनि शिष्य सभ बहुत उदास भऽ गेलाह।
23 e eles vão matá-lo; mas três dias depois ele será ressuscitado. E os discípulos ficaram muito tristes.
24 तकरबाद यीशु आ हुनकर शिष्य सभ जखन कफरनहूम नगर मे पहुँचलाह, तखन मन्दिरक कर असूल कयनिहार सभ पत्रुस लग आबि कऽ पुछलकनि, “की अहाँ सभक गुरुजी मन्दिरक कर नहि चुकबैत छथि?”
24 Quando Jesus e os discípulos chegaram à cidade de Cafarnaum, os cobradores do imposto do Templo foram perguntar a Pedro: — O mestre de vocês não paga o imposto do Templo?
25 पत्रुस कहलथिन, “हँ, चुकबैत छथि।” तकरबाद पत्रुस जखन घर मे अयलाह तँ यीशुए हुनका सँ पुछलथिन, “यौ सिमोन, अहाँक की विचार अछि? संसारक राजा सभ सीमा-शुल्क वा व्यक्ति-कर ककरा सभ सँ लैत अछि? अपन पुत्र सभ सँ वा आन लोक सभ सँ?”
25 — Paga, sim! — respondeu Pedro. Depois Pedro entrou em casa, mas, antes que falasse alguma coisa, Jesus disse:
26 पत्रुस कहलथिन, “आन लोक सँ।” तखन यीशु कहलथिन, “एकर मतलब, पुत्र कर-मुक्त अछि।
26 — São os estrangeiros! — respondeu Pedro.
27 मुदा एक बात, अपना सभ ओकरा सभ केँ सिकायत करबाक अवसर नहि दी, तेँ अहाँ झील पर जा कऽ बंसी थापू। जे माछ पहिने फँसत तकरा निकालू। ओकरा मुँह मे अहाँ केँ एकटा चानीक सिक्का भेटत। अहाँ ओ सिक्का लऽ कऽ अपना दूनू गोटेक कर ओकरा सभ केँ दऽ कऽ चुका दिऔक।”
27 Mas nós não queremos ofender essa gente. Por isso vá até o lago, jogue o anzol e puxe o primeiro peixe que você fisgar. Na boca dele você encontrará uma moeda. Então vá e pague com ela o meu imposto e o seu.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 17, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.