Mateus 16

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 फरिसी आ सदुकी सभ यीशु लग आबि कऽ आग्रह कयलथिन जे, “हमरा सभ केँ स्‍वर्ग सँ कोनो चमत्‍कार वला चिन्‍ह देखाउ।” ई बात ओ सभ हुनका जाँच करबाक लेल कहलथिन।
1 Os fariseus e os saduceus aproximaram-se de Jesus e o puseram à prova, pedindo-lhe que lhes mostrasse um sinal do céu.
2 ताहि पर यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “साँझ पड़ला पर आकाश केँ लाल देखि अहाँ सभ कहैत छी, ‘काल्‍हिक मौसम नीक रहत,’
2 Ele respondeu: "Quando a tarde vem, vocês dizem: ‘Vai fazer bom tempo, porque o céu está vermelho’,
3 और भोरखन कऽ आकाश केँ लाल आ झँपौन सन देखि कहैत छी जे, ‘आइ अन्‍हड़-बिहारि आओत।’ अहाँ सभ आकाश मे मौसमक लक्षण केँ चिन्‍हऽ जनैत छी, मुदा आइ-काल्‍हिक समय मे अहाँ सभक सामने की भऽ रहल अछि, से कोन बातक लक्षण अछि, तकरा नहि चिन्‍हैत छी।
3 e de manhã: ‘Hoje haverá tempestade, porque o céu está vermelho e nublado’. Vocês sabem interpretar o aspecto do céu, mas não sabem interpretar os sinais dos tempos!
4 एहि पीढ़ीक लोक सभ कतेक दुष्‍ट आ विश्‍वासघाती अछि जे चमत्‍कार वला चिन्‍ह मँगैत अछि! मुदा जे घटना परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता योनाक संग भेल छलनि, से चिन्‍ह छोड़ि एकरा सभ केँ आओर कोनो चिन्‍ह नहि देखाओल जयतैक।” एतेक बात कहि यीशु हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ आगाँ बढ़ि गेलाह।
4 Uma geração perversa e adúltera pede um sinal miraculoso, mas nenhum sinal lhe será dado, a não ser o sinal de Jonas". Então Jesus os deixou e retirou-se.
5 यीशुक शिष्‍य सभ जखन झील केँ पार कयलनि, तँ ओ सभ रोटी अननाइ बिसरि गेल छलाह।
5 Indo os discípulos para o outro lado do mar, esqueceram-se de levar pão.
6 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “सावधान, फरिसी आ सदुकी सभक रोटी फुलाबऽ वला खमीर सँ होसियार रहू।”
6 Disse-lhes Jesus: "Estejam atentos e tenham cuidado com o fermento dos fariseus e dos saduceus".
7 शिष्‍य सभ एक-दोसर सँ बात करऽ लगलाह जे, “अपना सभ रोटी आनब बिसरि गेलहुँ, तेँ एना कहि रहल छथि।”
7 E eles discutiam entre si, dizendo: "É porque não trouxemos pão".
8 यीशु हुनकर सभक बात बुझि कहलथिन, “अहाँ सभक विश्‍वास एतेक कमजोर किएक अछि? अहाँ सभ आपस मे एहि पर बात किएक कऽ रहल छी जे अपना सभ लग रोटी नहि अछि?
8 Percebendo a discussão, Jesus lhes perguntou: "Homens de pequena fé, por que vocês estão discutindo entre si sobre não terem pão?
9 की अहाँ सभ एखनो नहि बुझैत छी? की ओ पाँच हजार लोक आ पाँच रोटी वला बात, और ओहि दिन अहाँ सभ उबरल टुकड़ा कतेक पथिया जमा कऽ कऽ उठौने छलहुँ, से अहाँ सभ केँ स्‍मरण नहि अछि?
9 Ainda não compreendem? Não se lembram dos cinco pães para os cinco mil e de quantos cestos vocês recolheram?
10 वा चारि हजार लोकक लेल ओ सातटा रोटी, आ कतेक टोकरी जमा कयलहुँ, से?
10 Nem dos sete pães para os quatro mil e de quantos cestos recolheram?
11 अहाँ सभ हमर एहि बात केँ बुझि किएक नहि रहल छी जे, ‘फरिसी आ सदुकी सभक रोटी फुलाबऽ वला खमीर सँ होसियार रहू,’ से बात हम रोटीक सम्‍बन्‍ध मे नहि कहने छलहुँ?”
11 Como é que vocês não entendem que não era de pão que eu estava lhes falando? Mas tomem cuidado com o fermento dos fariseus e dos saduceus".
12 तखन शिष्‍य सभ केँ बुझऽ मे अयलनि जे यीशु रोटी फुलयबाक लेल प्रयोग होमऽ वला खमीरक सम्‍बन्‍ध मे नहि, बल्‍कि फरिसी आ सदुकी सभक शिक्षा सँ होसियार रहबाक लेल कहने छलाह।
12 Então entenderam que não estava lhes dizendo que tomassem cuidado com o fermento de pão, mas com o ensino dos fariseus e dos saduceus.
13 कैसरिया-फिलिप्‍पी क्षेत्र मे आबि कऽ यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ पुछलथिन, “मनुष्‍य-पुत्र के अछि, एहि सम्‍बन्‍ध मे लोक सभ की कहैत अछि?”
13 Chegando Jesus à região de Cesaréia de Filipe, perguntou aos seus discípulos: "Quem os homens dizem que o Filho do homem é? "
14 ओ सभ उत्तर देलथिन, “किछु लोक कहैत अछि जे अहाँ बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना छी, किछु लोक जे एलियाह छी, दोसर लोक सभ जे यर्मियाह वा प्राचीन कालक परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ मे सँ आओर केओ छी, से कहैत अछि।”
14 Eles responderam: "Alguns dizem que é João Batista; outros, Elias; e, ainda outros, Jeremias ou um dos profetas".
15 यीशु शिष्‍य सभ सँ पुछलथिन, “आ अहाँ सभ? अहाँ सभ की कहैत छी जे हम के छी?”
15 "E vocês? ", perguntou ele. "Quem vocês dizem que eu sou? "
16 सिमोन पत्रुस उत्तर देलथिन, “अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह छी, जीवित परमेश्‍वरक पुत्र छी।”
16 Simão Pedro respondeu: "Tu és o Cristo, o Filho do Deus vivo".
17 यीशु हुनका कहलथिन, “हे सिमोन, योनाक पुत्र, अहाँ धन्‍य छी! कारण, एहि बातक ज्ञान अहाँ केँ कोनो मनुष्‍य सँ नहि, बल्‍कि हमर पिता जे स्‍वर्ग मे छथि, तिनका सँ भेटल।
17 Respondeu Jesus: "Feliz é você, Simão, filho de Jonas! Porque isto não lhe foi revelado por carne ou sangue, mas por meu Pai que está nos céus.
18 हम अहाँ केँ कहैत छी जे, अहाँ ‘पत्रुस’ छी। हम एहि चट्टान पर अपन मण्‍डलीक स्‍थापना करब आ मृत्‍युक सामर्थ्‍य एहि पर विजयी नहि होयत।
18 E eu lhe digo que você é Pedro, e sobre esta pedra edificarei a minha igreja, e as portas do Hades não poderão vencê-la.
19 हम अहाँ केँ स्‍वर्गक राज्‍यक कुंजी देब। जे किछु अहाँ पृथ्‍वी पर बान्‍हब से स्‍वर्ग मे बान्‍हल गेल रहत आ जे किछु अहाँ पृथ्‍वी पर खोलब से स्‍वर्ग मे खोलल गेल रहत।”
19 Eu lhe darei as chaves do Reino dos céus; o que você ligar na terra terá sido ligado nos céus, e o que você desligar na terra terá sido desligado nos céus".
20 तकरबाद यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ दृढ़तापूर्बक आदेश देलथिन जे, “ई बात ककरो नहि कहिऔक जे हम उद्धारकर्ता-मसीह छी।”
20 Então advertiu a seus discípulos que não contassem a ninguém que ele era o Cristo.
21 ओही दिन सँ यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ स्‍पष्‍ट जानकारी देबऽ लगलथिन जे, “ई आवश्‍यक अछि जे हम यरूशलेम जाइ, ओतऽ बूढ़-प्रतिष्‍ठित, मुख्‍यपुरोहित आ धर्मशिक्षक सभ सँ हमरा बहुत कष्‍ट देल जाय, हम जान सँ मारल जाइ, आ तेसर दिन हम फेर जिआओल जाइ।”
21 Desde aquele momento Jesus começou a explicar aos seus discípulos que era necessário que ele fosse para Jerusalém e sofresse muitas coisas nas mãos dos líderes religiosos, dos chefes dos sacerdotes e dos mestres da lei, e fosse morto e ressuscitasse no terceiro dia.
22 ई बात सुनि पत्रुस हुनका अलग बजा कऽ डँटैत कहलथिन, “यौ प्रभु, परमेश्‍वर एना नहि करथि! अहाँक संग एहन बात कहियो नहि होयत!”
22 Então Pedro, chamando-o à parte, começou a repreendê-lo, dizendo: "Nunca, Senhor! Isso nunca te acontecerá! "
23 ताहि पर यीशु पत्रुस केँ कहलथिन, “है शैतान, तोँ हमरा सोझाँ सँ दूर होअह! हमरा लेल तोँ ठेस लगबाक कारण छह। तोँ परमेश्‍वरक विचार नहि, बल्‍कि मनुष्‍यक विचार मोन मे रखैत छह।”
23 Jesus virou-se e disse a Pedro: "Para trás de mim, Satanás! Você é uma pedra de tropeço para mim, e não pensa nas coisas de Deus, mas nas dos homens".
24 तकरबाद यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “जँ केओ हमर शिष्‍य बनऽ चाहैत अछि, तँ ओ अपना केँ त्‍यागि हमरा कारणेँ दुःख उठयबाक आ प्राणो देबाक लेल तैयार रहओ आ हमरा पाछाँ चलओ।
24 Então Jesus disse aos seus discípulos: "Se alguém quiser acompanhar-me, negue-se a si mesmo, tome a sua cruz e siga-me.
25 कारण, जे केओ अपन जीवन बचाबऽ चाहैत अछि, से ओकरा गमाओत, मुदा जे केओ हमरा लेल अपन जीवन गमबैत अछि, से ओकरा पाओत।
25 Pois quem quiser salvar a sua vida, a perderá, mas quem perder a vida por minha causa, a encontrará.
26 जँ कोनो मनुष्‍य सम्‍पूर्ण संसार केँ पाबि लय और अपन आत्‍मा गमा लय, तँ ओकरा की लाभ भेलैक? अथवा मनुष्‍य अपन आत्‍माक बदला मे की दऽ सकत?
26 Pois, que adiantará ao homem ganhar o mundo inteiro e perder a sua alma? Ou, o que o homem poderá dar em troca de sua alma?
27 किएक तँ मनुष्‍य-पुत्र अपन स्‍वर्गदूत सभक संग अपना पिताक महिमा मे आओत, तखन ओ प्रत्‍येक मनुष्‍य केँ ओकर काजक अनुसार प्रतिफल देतैक।
27 Pois o Filho do homem virá na glória de seu Pai, com os seus anjos, e então recompensará a cada um de acordo com o que tenha feito.
28 हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, एतऽ किछु एहनो लोक सभ ठाढ़ अछि जे जाबत तक मनुष्‍य-पुत्र केँ अपना राज्‍य मे अबैत नहि देखि लेत ताबत तक नहि मरत।”
28 Garanto-lhes que alguns dos que aqui se acham não experimentarão a morte antes de verem o Filho do homem vindo em seu Reino".

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.