Mateus 13
jivən səndesh (MAI) vs NTLH
1 ओही दिन यीशु घर सँ बहरा कऽ झीलक कछेर पर जा कऽ बैसलाह।
1 Naquele mesmo dia Jesus saiu de casa, foi para a beira do lago da Galileia, sentou-se ali e começou a ensinar.
2 हुनका लग लोकक एतेक विशाल भीड़ आबि कऽ जमा भऽ गेल जे ओ नाव पर चढ़ि कऽ बैसलाह आ लोकक भीड़ झीलक कछेर पर ठाढ़ रहल।
2 A multidão que se ajuntou em volta dele era tão grande, que ele entrou num barco e sentou-se; e o povo ficou em pé na praia.
3 यीशु विभिन्न तरहक दृष्टान्त सभक द्वारा लोक सभ केँ बहुतो बात सभ कहलथिन।
3 Jesus usou parábolas para ensinar muitas coisas. Ele disse:
4 बीया बाउग करैत काल किछु बीया रस्ताक कात मे खसल आ चिड़ै सभ आबि ओकरा खा लेलकैक।
4 Quando estava espalhando as sementes, algumas caíram na beira do caminho, e os passarinhos comeram tudo.
5 किछु बीया पथराह जमीन पर खसल जतऽ बेसी माटि नहि होयबाक कारणेँ ओ जल्दी जनमि गेल।
5 Outra parte das sementes caiu num lugar onde havia muitas pedras e pouca terra. As sementes brotaram logo porque a terra não era funda.
6 मुदा रौद लगिते ओ झरकि गेल आ जड़ि नहि पकड़ि सकबाक कारणेँ सुखा गेल।
6 Mas, quando o sol apareceu, queimou as plantas, e elas secaram porque não tinham raízes.
7 फेर दोसर बीया काँट-कुशक बीच मे खसल मुदा काँट-कुश बढ़ि कऽ ओकरा दबा देलकैक।
7 Outras sementes caíram no meio de espinhos, que cresceram e sufocaram as plantas.
8 किछु बीया नीक जमीन पर पड़ल आ फड़ल-फुलायल, कोनो सय गुना फसिल देलक, कोनो साठि गुना आ कोनो तीस गुना।
8 Mas as sementes que caíram em terra boa produziram na base de cem, de sessenta e de trinta grãos por um.
9 जकरा कान होइक, से सुनओ।”
9 E Jesus terminou, dizendo:
10 यीशुक शिष्य सभ हुनका लग आबि कऽ पुछलथिन, “अहाँ लोक सभ सँ दृष्टान्त सभ मे किएक बात करैत छी?”
10 Então os discípulos chegaram perto de Jesus e perguntaram: — Por que é que o senhor usa
11 यीशु उत्तर देलथिन, “स्वर्गक राज्य जे अछि तकर रहस्यक ज्ञान तँ अहाँ सभ केँ देल गेल अछि, मुदा एकरा सभ केँ नहि देल गेल छैक।
11 Jesus respondeu:
12 तेँ जकरा छैक तकरा आओर देल जयतैक आ ओकरा लग बहुते भऽ जयतैक। मुदा जकरा नहि छैक तकरा सँ जेहो छैक सेहो लऽ लेल जयतैक।
12 Pois quem tem receberá mais, para que tenha mais ainda. Mas quem não tem, até o pouco que tem lhe será tirado.
13 हम एकरा सभ सँ दृष्टान्त सभ मे एहि लेल बात करैत छी जे,
13 É por isso que eu uso parábolas para falar com essas pessoas. Porque elas olham e não enxergam; escutam e não ouvem, nem entendem.
14 एकरा सभ मे यशायाहक ई भविष्यवाणी पूरा होइत अछि जे,
14 E assim acontece com essas pessoas o que disse o
15 ‘कारण, एहि लोक सभक मोन मे ठेला पड़ि गेल छैक,
15 Pois a mente deste povo está fechada:
16 “मुदा धन्य छी अहाँ सभ जे आँखि सँ देखैत छी आ कान सँ सुनैत छी।
16 Jesus continuou, dizendo:
17 हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी जे, अपना समय मे परमेश्वरक एहन बहुतो प्रवक्ता आ धार्मिक लोक सभ रहथि जे सभ चाहलनि जे, जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ देखि रहल छी, तकरा देखी, मुदा नहि देखलनि; और जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ सुनि रहल छी, से सुनी, मुदा नहि सुनलनि।
17 Eu afirmo a vocês que isto é verdade: muitos profetas e muitas outras pessoas do povo de Deus gostariam de ver o que vocês estão vendo, mas não puderam; e gostariam de ouvir o que vocês estão ouvindo, mas não ouviram.
18 “आब अहाँ सभ बाउग कयनिहार वला दृष्टान्तक अर्थ सुनू।
18 — Então escutem e aprendam o que a
19 जखन केओ परमेश्वरक राज्यक शुभ समाचार सुनैत अछि मुदा बुझैत नहि अछि, तखन शैतान आबि कऽ जे किछु ओकरा हृदय मे बाउग कयल गेल रहैत अछि से ओकरा सँ छिनि कऽ लऽ लैत अछि। ई वैह बीया भेल जे रस्ताक कात मे बाउग कयल गेल छल।
19 As pessoas que ouvem a mensagem do vem e tira o que foi semeado no coração delas.
20 पथराह जमीन पर बाउग कयल बीया ओ व्यक्ति भेल जे परमेश्वरक शुभ समाचार सुनि कऽ तुरत आनन्दपूर्बक ओकरा ग्रहण कऽ लैत अछि,
20 As sementes que foram semeadas onde havia muitas pedras são as pessoas que ouvem a mensagem e a aceitam logo com alegria,
21 मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक आ ओ कनेके काल स्थिर रहैत अछि। जखन शुभ समाचारक कारणेँ ओकरा कष्ट सहऽ पड़ैत छैक वा ओकरा संग अत्याचार होमऽ लगैत छैक तँ ओ तुरत विश्वास केँ छोड़ि दैत अछि।
21 mas duram pouco porque não têm raiz. E, quando por causa da mensagem chegam os sofrimentos e as perseguições, elas logo abandonam a sua fé.
22 काँट-कुशक बीच खसल बीया ओ मनुष्य भेल जे शुभ समाचार केँ सुनैत अछि मुदा सांसारिक चिन्ता आ धन-सम्पत्तिक मोह-माया ओहि शुभ समाचार केँ दबा दैत छैक और ओ वचन ओकरा जीवन मे कोनो फल नहि दैत अछि।
22 Outras pessoas são parecidas com as sementes que foram semeadas no meio dos espinhos. Elas ouvem a mensagem, mas as preocupações deste mundo e a ilusão das riquezas sufocam a mensagem, e essas pessoas não produzem frutos.
23 नीक जमीन मे बाउग कयल बीया ओ सभ अछि जे सभ शुभ समाचार सुनैत अछि और बुझैत अछि। ओ फड़ि-फुला कऽ फसिल दैत अछि, केओ सय गुना, केओ साठि गुना आ केओ तीस गुना।”
23 E as sementes que foram semeadas em terra boa são aquelas pessoas que ouvem, e entendem a mensagem, e produzem uma grande colheita: umas, cem; outras, sessenta; e ainda outras, trinta vezes mais do que foi semeado.
24 यीशु लोक सभक समक्ष दोसर दृष्टान्त रखलनि जे, “स्वर्गक राज्यक तुलना ओहि मनुष्य सँ कयल जा सकैत अछि जे अपना खेत मे नीक बीया बाउग कयलनि।
24 Jesus contou outra parábola . Ele disse ao povo:
25 मुदा जखन सभ केओ सुति रहल छल तखन हुनकर दुश्मन अयलनि आ ओहि बाउग कयल गहुमक खेत मे जंगली बीया बाउग कऽ चल गेल।
25 Certa noite, quando todos estavam dormindo, veio um inimigo, semeou no meio do trigo uma erva ruim, chamada joio, e depois foi embora.
26 जखन बाउग कयल गहुमक बीया जनमल आ ओहि मे बालि निकलल तखन जंगलिआ घास सेहो देखाइ देलक।
26 Quando as plantas cresceram, e se formaram as espigas, o joio apareceu.
27 ई देखि नोकर सभ मालिक केँ कहलकनि, ‘मालिक, की अपने अपना खेत मे बढ़ियाँ बीया बाउग नहि कयने छलहुँ? तँ एहि मे जंगलिआ घास कतऽ सँ आबि गेल?’
27 Aí os empregados do dono das terras chegaram e disseram: “Patrão, o senhor semeou sementes boas nas suas terras. De onde será que veio este joio?”
28 मालिक कहलथिन, ‘ई कोनो दुश्मनक काज अछि!’ नोकर सभ कहलकनि, ‘तँ की, ओकरा उखाड़ि दिऐक?’
28 — “Foi algum inimigo que fez isso!”, respondeu ele.
29 ओ कहलथिन, ‘नहि। कतौ एना नहि भऽ जाओ जे जंगलिआ घास उखाड़ैत काल तोँ सभ गहुमोक गाछ सभ केँ उखाड़ि दहक।
29 — “Não”, respondeu ele, “porque, quando vocês forem tirar o joio, poderão arrancar também o trigo.
30 गहुम कटयबाक समय तक दूनू केँ संग-संग बढ़ऽ दहक। कटनी करयबाक समय मे हम कटनिहार सभ केँ कहबैक जे, पहिने जंगलिआ घासक गाछ सभ केँ जमा कऽ कऽ जरयबाक लेल बोझ बान्हि लैह, तखन गहुम केँ हमरा बखारी मे जमा करह।’ ”
30 Deixem o trigo e o joio crescerem juntos até o tempo da colheita. Então eu direi aos trabalhadores que vão fazer a colheita: ‘Arranquem primeiro o joio e amarrem em feixes para ser queimado. Depois colham o trigo e ponham no meu depósito.’ ”
31 यीशु लोक सभ केँ एक आओर दृष्टान्त दैत कहलथिन, “स्वर्गक राज्य सरिसोक दाना जकाँ अछि, जकरा केओ लेलक आ अपना खेत मे बाउग कऽ देलक।
31 Jesus contou outra parábola . Ele disse ao povo:
32 दाना सभ मे सरिसोक दाना सभ सँ छोट होइत अछि मुदा जनमि कऽ बढ़लाक बाद सभ साग-पात सँ पैघ भऽ तेहन गाछ भऽ जाइत अछि जे आकाशक चिड़ै सभ आबि कऽ ओकरा ठाढ़ि-पात मे अपन खोंता बना लैत अछि।”
32 Ela é a menor de todas as sementes; mas, quando cresce, torna-se a maior de todas as plantas. Ela até chega a ser uma árvore, de modo que os passarinhos vêm e fazem ninhos nos seus ramos.
33 यीशु एकटा आओर दृष्टान्त ओकरा सभ केँ देलथिन—“स्वर्गक राज्य रोटी फुलाबऽ वला खमीर जकाँ अछि, जकरा एक स्त्री तीन पसेरी आँटा मे मिला कऽ सनलक; बाद मे खमीरक शक्ति सँ पूरा आँटा फुलि गेलैक।”
33 Jesus contou mais esta parábola para o povo:
34 यीशु अपना लग जमा भेल लोकक भीड़ केँ ई सभ बात दृष्टान्त दऽ-दऽ कऽ कहलथिन। बिनु दृष्टान्त देने ओ ओकरा सभ केँ किछु नहि कहलथिन।
34 Jesus usava parábolas para dizer tudo isso ao povo. Ele não dizia nada a eles sem ser por meio de parábolas.
35 ओ एहि लेल एना बात कयलनि जे परमेश्वरक प्रवक्ता द्वारा कहल वचन पूरा होअय—
35 Isso aconteceu para se cumprir o que o profeta tinha dito: “Usarei parábolas quando falar com esse povo e explicarei coisas desconhecidas desde a criação do mundo.”
36 तकरबाद यीशु लोकक भीड़ केँ छोड़ि कऽ घर मे चल अयलाह। शिष्य सभ हुनका लग आबि कऽ कहलथिन, “खेत मे बाउग कयल जंगलिआ बीयाक दृष्टान्त वला बात केँ हमरा सभ केँ बुझा दिअ।”
36 Então Jesus deixou a multidão e voltou para casa. Os discípulos chegaram perto dele e perguntaram: — Conte para nós o que quer dizer a
37 ओ हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “नीक बीया बाउग कयनिहार छथि मनुष्य-पुत्र।
37 Jesus respondeu:
38 खेत अछि संसार, आ नीक बीया अछि परमेश्वरक राज्यक सन्तान सभ। जंगलिआ बीया अछि दुष्ट शैतानक सन्तान सभ।
38 O terreno é o mundo. As sementes boas são as pessoas que pertencem ao .
39 जंगलिआ बीया बाउग करऽ वला दुश्मन अछि शैतान। कटनीक समय अछि संसारक अन्त आ कटनी कयनिहार सभ छथि स्वर्गदूत सभ।
39 O inimigo que semeia o joio é o próprio Diabo. A colheita é o fim dos tempos, e os que fazem a colheita são os anjos.
40 “जाहि तरहेँ जंगलिआ घास केँ जमा कऽ कऽ आगि मे जराओल जाइत अछि तहिना संसारक अन्त मे सेहो कयल जायत।
40 Assim como o joio é ajuntado e jogado no fogo, assim também será no fim dos tempos.
41 मनुष्य-पुत्र अपना स्वर्गदूत सभ केँ पठौताह आ ओ सभ हुनका राज्य मे सँ सभ प्रकारक पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ केँ उखाड़ि कऽ आ कुकर्मी सभ केँ जमा कऽ कऽ
41 O Filho do Homem mandará os seus anjos, e eles ajuntarão e tirarão do seu Reino todos os que fazem com que os outros pequem e também todos os que praticam o mal.
42 आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।
42 Depois os anjos jogarão essas pessoas na fornalha de fogo, onde vão chorar e ranger os dentes de desespero.
43 तखन धर्मी सभ अपना पिताक राज्य मे सूर्य जकाँ चमकताह। जकरा कान होइक, से सुनओ।
43 Então o povo de Deus brilhará como o sol no Reino do seu Pai. Se vocês têm ouvidos para ouvir, então ouçam.
44 “स्वर्गक राज्य खेत मे गाड़ल धन जकाँ अछि, जकरा कोनो मनुष्य पौलक आ फेर माटि सँ झाँपि देलक। ओ एतेक खुश भेल जे ओ अपन सभ धन-सम्पत्ति बेचि कऽ ओहि खेत केँ किनि लेलक।
44 — O
45 “फेर, स्वर्गक राज्य ओहि व्यापारी सन अछि जे नीक मोतीक खोज मे छल।
45 — O
46 जखन ओकरा एक बहुत बहुमूल्य मोती भेटलैक तँ जा कऽ अपन सभ किछु बेचि देलक आ ओहि मोती केँ किनि लेलक।
46 Quando encontra uma pérola que é mesmo de grande valor, ele vai, vende tudo o que tem e compra a pérola.
47 “फेर दोसर दृष्टिएँ स्वर्गक राज्य ओहि महाजाल सन अछि जे समुद्र मे खसाओल गेल आ सभ प्रकारक माछ ओहि मे घेरायल।
47 — O
48 जखन जाल भरि गेल तँ लोक सभ ओकरा कछेर पर अनलक आ बैसि कऽ नीक माछ सभ केँ डाली मे जमा कयलक मुदा खराब माछ सभ केँ फेकि देलक।
48 E, quando está cheia, os pescadores a arrastam para a praia e sentam para separar os peixes: os que prestam são postos dentro dos cestos, e os que não prestam são jogados fora.
49 एहि संसारक अन्त मे सेहो एहिना होयतैक। स्वर्गदूत सभ आबि कऽ दुष्ट सभ केँ धर्मी सभ सँ अलग करताह
49 No fim dos tempos também será assim: os anjos sairão, e separarão as pessoas más das boas,
50 आ आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।”
50 e jogarão as pessoas más na fornalha de fogo. E ali elas vão chorar e ranger os dentes de desespero.
51 तखन यीशु शिष्य सभ सँ पुछलथिन, “की अहाँ सभ ई बात सभ बुझलहुँ?” ओ सभ उत्तर देलथिन, “हँ।”
51 Então Jesus perguntou aos discípulos: — Sim! — responderam eles.
52 ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “तेँ प्रत्येक व्यक्ति जे धर्मशास्त्र केँ बुझैत अछि आ जे स्वर्गक राज्यक शिष्य बनल अछि, से ओहि गृहस्थ जकाँ अछि जे अपन भण्डार घर मे सँ नव आ पुरान दूनू तरहक किमती वस्तु सभ निकालि सकैत अछि।”
52 Jesus disse:
53 यीशु ई दृष्टान्त सभ देलाक बाद ओतऽ सँ चल गेलाह।
53 Quando Jesus acabou de contar essas parábolas , saiu dali
54 ओ अपना गाम मे आबि कऽ सभाघर मे लोक सभ केँ उपदेश देबऽ लगलाह। लोक सभ हुनकर उपदेशक बात सभ सुनि आश्चर्यित भऽ गेल आ बाजल जे, “एकरा एहि तरहक बुद्धि आ चमत्कार करबाक सामर्थ्य कतऽ सँ भेटलैक?
54 e voltou para a cidade de Nazaré, onde ele tinha morado. Ele ensinava na sinagoga , e os que o ouviam ficavam admirados e perguntavam: — De onde vêm a sabedoria dele e o poder que ele tem para fazer milagres?
55 की ई लकड़ी मिस्तिरीक बेटा नहि अछि? की एकर मायक नाम मरियम नहि छैक? आ एकर भाय सभ याकूब, यूसुफ, सिमोन, आ यहूदा नहि अछि?
55 Por acaso ele não é o filho do carpinteiro? A sua mãe não é Maria? Ele não é irmão de Tiago, José, Simão e Judas?
56 की एकर बहिन सभ अपना सभक बीच नहि रहैत अछि? तखन एकरा ई बात सभ भेटलैक कतऽ सँ?”
56 Todas as suas irmãs não moram aqui? De onde é que ele consegue tudo isso?
57 एहि तरहेँ लोक यीशु सँ डाह करऽ लागल। तखन यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “मात्र अपने गाम आ अपने घर मे परमेश्वरक प्रवक्ताक अनादर होइत छैक।”
57 Por isso ficaram desiludidos com ele. Mas Jesus disse:
58 और ओकरा सभक अविश्वासक कारणेँ यीशु ओतऽ बहुत कम चमत्कार वला काज सभ कयलनि।
58 Jesus não pôde fazer muitos milagres ali porque eles não tinham fé.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.