Mateus 12

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 करीब ओही समय मे यीशु विश्राम-दिन कऽ अपन शिष्‍य सभक संग खेत दऽ कऽ जा रहल छलाह। हुनका शिष्‍य सभ केँ भूख लगलनि तँ ओ सभ अन्‍नक बालि तोड़ि-तोड़ि कऽ खाय लगलाह।
1 Atravessava Jesus os campos de trigo num dia de sábado. Seus discípulos, tendo fome, começaram a arrancar as espigas para comê-las.
2 ई देखि फरिसी सभ यीशु केँ कहलथिन, “देखू, अहाँक शिष्‍य सभ ओ काज कऽ रहल अछि जे विश्राम-दिन मे करब धर्म-नियमक अनुसार मना अछि।”
2 Vendo isto, os fariseus disseram-lhe: Eis que teus discípulos fazem o que é proibido no dia de sábado.
3 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “की अहाँ सभ नहि पढ़ने छी जे दाऊद आ हुनकर संगी सभ जखन भुखायल छलाह तँ ओ की कयलनि?
3 Jesus respondeu-lhes: Não lestes o que fez Davi num dia em que teve fome, ele e seus companheiros,
4 ओ परमेश्‍वरक भवन मे प्रवेश कयलनि आ अपना संगी सभक संग परमेश्‍वर केँ चढ़ाओल रोटी खयलनि, जकरा खायब हुनका सभक लेल मना छल, कारण खयबाक अधिकार मात्र पुरोहिते केँ छलनि।
4 como entrou na casa de Deus e comeu os pães da proposição? Ora, nem a ele nem àqueles que o acompanhavam era permitido comer esses pães reservados só aos sacerdotes.
5 अथवा की अहाँ सभ धर्म-नियम मे नहि पढ़ने छी जे पुरोहित मन्‍दिर मे विश्राम-दिन कऽ मन्‍दिरक काज सभ कऽ कऽ विश्राम-दिनक आज्ञा केँ तोड़ैत छथि आ तैयो निर्दोष रहैत छथि?
5 Não lestes na lei que, nos dias de sábado, os sacerdotes transgridem no templo o descanso do sábado e não se tornam culpados?
6 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे एतऽ केओ एहन अछि जे मन्‍दिरो सँ पैघ अछि।
6 Ora, eu vos declaro que aqui está quem é maior que o templo.
7 की अहाँ सभ धर्मशास्‍त्र मे लिखल परमेश्‍वरक बात नहि बुझैत छी जतऽ कहैत छथि जे, ‘हम अहाँ सभक द्वारा अर्पित चढ़ौना वा बलि-प्रदान नहि चाहैत छी, बल्‍कि अहाँ सभ दयालु बनू, से चाहैत छी।’? ई जँ बुझितहुँ तँ निर्दोष केँ दोषी नहि कहने रहितहुँ।
7 Se compreendêsseis o sentido destas palavras: Quero a misericórdia e não o sacrifício... não condenaríeis os inocentes.
8 किएक तँ मनुष्‍य-पुत्र विश्रामो-दिनक मालिक छथि।”
8 Porque o Filho do Homem é senhor também do sábado.
9 ओतऽ सँ आगाँ बढ़ि यीशु हुनका सभक सभाघर मे गेलाह।
9 Partindo dali, Jesus entrou na sinagoga.
10 ओहिठाम एक व्‍यक्‍ति छल, जकर एकटा हाथ सुखायल छलैक। फरिसी सभ यीशु पर दोष लगयबाक उद्देश्‍य राखि हुनका सँ प्रश्‍न कयलनि जे, “की विश्राम-दिन मे रोगी केँ स्‍वस्‍थ करब धर्म-नियमक अनुसार उचित अछि?”
10 Encontrava-se lá um homem que tinha a mão seca. Alguém perguntou a Jesus: É permitido curar no dia de sábado? Isto para poder acusá-lo.
11 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ मे एहन के छी, जकरा लग एकटा भेँड़ा होइक आ ओ विश्राम-दिन कऽ जँ खधिया मे खसि पड़ैक तँ ओकरा पकड़ि कऽ बाहर नहि निकालब?
11 Jesus respondeu-lhe: Há alguém entre vós que, tendo uma única ovelha e se esta cair num poço no dia de sábado, não a irá procurar e retirar?
12 आ भेँड़ा सँ मनुष्‍य कतेक मूल्‍यवान अछि! तेँ विश्राम-दिन मे भलाइक काज करब उचित अछि।”
12 Não vale o homem muito mais que uma ovelha? É permitido, pois, fazer o bem no dia de sábado.
13 तकरबाद यीशु ओहि व्‍यक्‍ति केँ कहलथिन, “अपन हाथ बढ़ाबह।” ओ हाथ बढ़ौलक आ ओकर हाथ दोसर हाथ जकाँ एकदम ठीक भऽ गेलैक।
13 Disse, então, àquele homem: Estende a mão. Ele a estendeu e ela tornou-se sã como a outra.
14 एहि पर फरिसी सभ बाहर चल गेलाह आ यीशु केँ कोना मारल जाय, तकर षड्‌यन्‍त्र रचऽ लगलाह।
14 Os fariseus saíram dali e deliberaram sobre os meios de o matar.
15 मुदा यीशु से बात बुझि ओतऽ सँ चल गेलाह। बहुतो लोक हुनका पाछाँ भऽ गेलनि आ यीशु सभ रोगी केँ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन।
15 Jesus soube disso e afastou-se daquele lugar. Uma grande multidão o seguiu, e ele curou todos os seus doentes.
16 ओ ओकरा सभ केँ कड़गर आदेश देलथिन जे, “हमरा बारे मे प्रचार नहि करिहह।”
16 Proibia-lhes formalmente falar disso,
17 ई एहि लेल भेल जे परमेश्‍वरक ई वचन पूर्ण होअय जे ओ अपन प्रवक्‍ता यशायाहक माध्‍यम सँ कहने छलाह—
17 para que se cumprisse o anunciado pelo profeta Isaías:
18 “हमर सेवक केँ देखू, जिनका हम चुनने छी,
18 Eis o meu servo a quem escolhi, meu bem-amado em quem minha alma pôs toda sua a afeição. Farei repousar sobre ele o meu Espírito e ele anunciará a justiça aos pagãos.
19 ने ओ कोनो तरहक विवाद करताह
19 Ele não disputará, não elevará sua voz; ninguém ouvirá sua voz nas praças públicas.
20 ओ थुरायल खड़ही केँ नहि तोड़ताह,
20 Não quebrará o caniço rachado, nem apagará a mecha que ainda fumega, até que faça triunfar a justiça.
21 पृथ्‍वीक सभ जातिक लोक हुनके पर आशा राखत।”
21 Em seu nome as nações pagãs porão sua esperança {Is 42,1-4}.
22 तखन लोक सभ दुष्‍टात्‍मा सँ ग्रसित एक आदमी केँ, जे आन्‍हर आ बौक छल, तकरा यीशु लग अनलकनि। यीशु ओकरा स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन और ओ तखने बाजऽ आ देखऽ लागल।
22 Apresentaram-lhe, depois, um possesso cego e mudo. Jesus o curou de tal modo, que este falava e via.
23 एहि पर ओतऽ जमा भेल लोकक भीड़ आश्‍चर्यित भऽ कहऽ लागल जे, “कतौ ई दाऊदक पुत्र तँ नहि छथि?!”
23 A multidão, admirada, dizia: Não será este o filho de Davi?
24 मुदा फरिसी सभ जखन लोकक ई बात सुनलनि तँ ओ सभ कहऽ लगलाह, “ओ तँ मात्र दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”
24 Mas, ouvindo isto, os fariseus responderam: É por Beelzebul, chefe dos demônios, que ele os expulsa.
25 यीशु हुनकर सभक मोनक विचार जानि कहलथिन, “जाहि राज्‍य मे फूट पड़ि जाय से नष्‍ट भऽ जायत, आ जाहि नगर वा घर मे फूट भऽ जाय से नहि टिकत।
25 Jesus, porém, penetrando nos seus pensamentos, disse: Todo reino dividido contra si mesmo será destruído. Toda cidade, toda casa dividida contra si mesma não pode subsistir.
26 जँ शैताने शैतान केँ निकालऽ लागत तँ मतलब भेल जे ओकरा मे फूट भऽ गेलैक, तखन ओकर राज्‍य कोना टिकल रहतैक?
26 Se Satanás expele Satanás, está dividido contra si mesmo. Como, pois, subsistirá o seu reino?
27 ठीक अछि, जँ हम बालजबूलक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत छी तँ अहाँ सभक लोक ककरा शक्‍ति सँ निकालैत अछि? वैह सभ अहाँ सभक फैसला करत।
27 E se eu expulso os demônios por Beelzebul, por quem é que vossos filhos os expulsam? Por isso, eles mesmos serão vossos juízes.
28 मुदा जँ हम परमेश्‍वरक आत्‍माक शक्‍ति सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत छी तँ परमेश्‍वरक राज्‍य अहाँ सभक बीच आबि गेल अछि, से जानि लिअ।
28 Mas, se é pelo Espírito de Deus que expulso os demônios, então chegou para vós o Reino de Deus.
29 “वा कोनो डकैत, बलगर आदमीक घर मे पैसि कऽ जाबत तक ओ ओकरा बान्‍हि कऽ काबू मे नहि कऽ लेत, की ताबत तक ओकर सम्‍पत्ति लुटि कऽ लऽ जा सकत? बान्‍हि कऽ काबू मे कयलाक बादे ओकरा लुटि सकैत अछि।
29 Como pode alguém penetrar na casa de um homem forte e roubar-lhe os bens, sem ter primeiro amarrado este homem forte? Só então pode roubar sua casa.
30 “जे केओ हमरा संग नहि अछि, से हमरा विरोध मे अछि। आ जे केओ हमरा संग जमा नहि करैत अछि, से छिड़िअबैत अछि।
30 Quem não está comigo está contra mim; e quem não ajunta comigo, espalha.
31 तेँ हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जे मनुष्‍यक सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बात क्षमा कयल जयतैक मुदा पवित्र आत्‍माक विरोध मे कयल निन्‍दाक बात क्षमा नहि कयल जयतैक।
31 Por isso, eu vos digo: todo pecado e toda blasfêmia serão perdoados aos homens, mas a blasfêmia contra o Espírito não lhes será perdoada.
32 मनुष्‍य-पुत्रक विरोध मे जँ केओ किछु बाजत, तँ ओकरा क्षमा कयल जयतैक। मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक विरोध मे बाजत, तँ ओकरा ने एहि युग मे आ ने आबऽ वला युग मे क्षमा भेटतैक।
32 Todo o que tiver falado contra o Filho do Homem será perdoado. Se, porém, falar contra o Espírito Santo, não alcançará perdão nem neste século nem no século vindouro.
33 “कोनो गाछ केँ नीक बुझैत छी तँ ओकर फल केँ सेहो नीक बुझू, अथवा ओकरा खराब बुझैत छी तँ ओकर फल केँ सेहो खराब बुझू, किएक तँ गाछ अपन फले सँ चिन्‍हल जाइत अछि।
33 Ou dizeis que a árvore é boa e seu fruto bom, ou dizeis que é má e seu fruto, mau; porque é pelo fruto que se conhece a árvore.
34 “है साँपक सन्‍तान सभ, अहाँ सभ दुष्‍ट भऽ नीक बात बाजि कोना सकैत छी? कारण, जे किछु ककरो हृदय मे भरल अछि, सैह मुँह सँ बहराइत छैक।
34 Raça de víboras, maus como sois, como podeis dizer coisas boas? Porque a boca fala do que lhe transborda do coração.
35 नीक मनुष्‍यक मोन मे नीके बातक भण्‍डार रहैत छैक आ ओ अपन भण्‍डार मे सँ नीक वस्‍तु सभ बाहर करैत अछि। अधलाह मनुष्‍यक मोन मे अधलाहे बातक भण्‍डार रहैत छैक आ ओ अपन भण्‍डार मे सँ अधलाह वस्‍तु सभ बाहर करैत अछि।
35 O homem de bem tira boas coisas de seu bom tesouro. O mau, porém, tira coisas más de seu mau tesouro.
36 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, मनुष्‍य जे कोनो व्‍यर्थक बात बाजत, न्‍यायक दिन मे ओकरा तकर हिसाब देबऽ पड़तैक,
36 Eu vos digo: no dia do juízo os homens prestarão contas de toda palavra vã que tiverem proferido.
37 किएक तँ अहाँ अपन कहल बातक द्वारा निर्दोष और अपन कहल बातक द्वारा दोषी ठहराओल जायब।”
37 É por tuas palavras que serás justificado ou condenado.
38 एहि पर किछु धर्मशिक्षक आ फरिसी सभ यीशु केँ कहलथिन, “यौ गुरुजी, हम सभ अहाँ सँ कोनो चमत्‍कार वला चिन्‍ह देखऽ चाहैत छी।”
38 Então alguns escribas e fariseus tomaram a palavra: Mestre, quiséramos ver-te fazer um milagre.
39 यीशु उत्तर देलथिन, “एहि पीढ़ीक लोक सभ कतेक दुष्‍ट आ विश्‍वासघाती अछि जे चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह मँगैत अछि! मुदा जे घटना परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता योनाक संग भेल छलनि, से चिन्‍ह छोड़ि एकरा सभ केँ आओर कोनो चिन्‍ह नहि देखाओल जयतैक।
39 Respondeu-lhes Jesus: Esta geração adúltera e perversa pede um sinal, mas não lhe será dado outro sinal do que aquele do profeta Jonas:
40 जाहि तरहेँ योना तीन दिन आ तीन राति विशाल माछक पेट मे रहलाह, तहिना मनुष्‍य-पुत्र तीन दिन आ तीन राति पृथ्‍वीक पेट मे रहत।
40 do mesmo modo que Jonas esteve três dias e três noites no ventre do peixe, assim o Filho do Homem ficará três dias e três noites no seio da terra.
41 निनवे नगरक लोक सभ न्‍यायक दिन मे एहि पीढ़ीक लोकक संग ठाढ़ भऽ एकरा सभ केँ दोषी ठहराओत, किएक तँ निनवे नगरक लोक सभ योनाक प्रचारक बात सुनि अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयलक, आ देखू, एतऽ एखन केओ एहन अछि जे योनो सँ महान्‌ अछि।
41 No dia do juízo, os ninivitas se levantarão com esta raça e a condenarão, porque fizeram penitência à voz de Jonas. Ora, aqui está quem é mais do que Jonas.
42 न्‍यायक दिन मे दक्षिण देशक रानी एहि पीढ़ीक लोकक संग ठाढ़ भऽ एकरा सभ केँ दोषी ठहरौतीह, किएक तँ ओ सुलेमान राजाक बुद्धिक बात सुनबाक लेल पृथ्‍वीक दोसर कात सँ अयलीह, आ देखू, एतऽ एखन केओ अछि जे सुलेमानो सँ महान्‌ अछि।
42 No dia do juízo, a rainha do Sul se levantará com esta raça e a condenará, porque veio das extremidades da terra para ouvir a sabedoria de Salomão. Ora, aqui está quem é mais do que Salomão.
43 “दुष्‍टात्‍मा जखन कोनो मनुष्‍य मे सँ बहरा जाइत अछि तँ ओ निर्जन-स्‍थान मे आराम करबाक स्‍थानक खोज मे घुमैत रहैत अछि, मुदा ओकरा भेटैत नहि छैक।
43 Quando o espírito impuro sai de um homem, ei-lo errante por lugares áridos à procura de um repouso que não acha.
44 तखन ओ कहैत अछि जे, ‘हम अपन पहिलुके घर मे, जतऽ सँ बहरा कऽ आयल छलहुँ, ततहि फेर जायब।’ तँ ओ जखन ओहिठाम पहुँचैत अछि तँ देखैत अछि जे ओहि घर मे केओ नहि अछि, घर झाड़ल-बहारल अछि, आ सभ वस्‍तु ढंग सँ राखल अछि।
44 Diz ele, então: Voltarei para a casa donde saí. E, voltando, encontra-a vazia, limpa e enfeitada.
45 तखन ओ जा कऽ अपनो सँ दुष्‍टाह सातटा आरो दुष्‍टात्‍मा केँ अपना संग लऽ अनैत अछि आ ओहि घर मे अपन डेरा खसा लैत अछि। एहि तरहेँ ओहि मनुष्‍यक ई दशा पहिलुको दशा सँ खराब भऽ जाइत छैक। एहि भ्रष्‍ट पीढ़ीक लोकक संग सेहो तहिना होयतैक।”
45 Vai, então, buscar sete outros espíritos piores que ele, e entram nessa casa e se estabelecem aí; e o último estado daquele homem torna-se pior que o primeiro. Tal será a sorte desta geração perversa.
46 यीशु लोकक भीड़ सँ बात करिते छलाह कि हुनकर माय आ भाय सभ ओतऽ पहुँचलाह आ हुनका सँ गप्‍प करबाक लेल बाहर ठाढ़ रहलाह।
46 Jesus falava ainda à multidão, quando veio sua mãe e seus irmãos e esperavam do lado de fora a ocasião de lhe falar.
47 केओ यीशु केँ कहलकनि जे, “देखू, अहाँक माय आ भाय सभ बाहर ठाढ़ छथि आ अहाँ सँ बात करऽ चाहैत छथि।”
47 Disse-lhe alguém: Tua mãe e teus irmãos estão aí fora, e querem falar-te.
48 यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “के छथि हमर माय? के सभ छथि हमर भाय?”
48 Jesus respondeu-lhe: Quem é minha mãe e quem são meus irmãos?
49 तखन अपना शिष्‍य सभक दिस हाथ सँ इसारा करैत कहलनि, “देखू, यैह सभ हमर माय आ हमर भाय सभ छथि।
49 E, apontando com a mão para os seus discípulos, acrescentou: Eis aqui minha mãe e meus irmãos.
50 जे केओ हमर पिता, जे स्‍वर्ग मे छथि, तिनकर इच्‍छाक अनुसार चलैत छथि, वैह हमर भाय, हमर बहिन, हमर माय छथि।”
50 Todo aquele que faz a vontade de meu Pai que está nos céus, esse é meu irmão, minha irmã e minha mãe.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Mateus 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.