Marcos 6

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 यीशु ओहिठाम सँ अपन गाम अयलाह। हुनकर शिष्‍यो सभ हुनका संग छलनि।
1 Depois, ele partiu dali e foi para a sua pátria, seguido de seus discípulos.
2 विश्राम-दिन अयला पर ओ सभाघर मे उपदेश देबऽ लगलाह। हुनकर शिक्षा सुनि कऽ सभाक लोक आश्‍चर्य-चकित भऽ गेल और कहऽ लागल जे, “अरे! एकरा ई सभ बात कतऽ सँ भेटि गेलैक? ई कोन ज्ञान अछि जे एकरा देल गेल छैक? ई एहन चमत्‍कार सभ कोना करैत अछि!
2 Quando chegou o dia de sábado, começou a ensinar na sinagoga. Muitos o ouviam e, tomados de admiração, diziam: Donde lhe vem isso? Que sabedoria é essa que lhe foi dada, e como se operam por suas mãos tão grandes milagres?
3 की ई लकड़ी मिस्‍तिरी नहि अछि? की ई मरियमक बेटा और याकूब, योसेस, यहूदा और सिमोनक भाय नहि अछि? की एकर बहिन सभ अपना सभक बीच नहि रहैत अछि?” ओ सभ यीशु सँ डाह करऽ लागल।
3 Não é ele o carpinteiro, o filho de Maria, o irmão de Tiago, de José, de Judas e de Simão? Não vivem aqui entre nós também suas irmãs? E ficaram perplexos a seu respeito.
4 यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “मात्र अपने गाम, कुटुम्‍ब-परिवार, आ अपने घर मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ताक अनादर होइत छैक।”
4 Mas Jesus disse-lhes: Um profeta só é desprezado na sua pátria, entre os seus parentes e na sua própria casa.
5 ओ ओहिठाम कोनो चमत्‍कार नहि कऽ सकलाह, मात्र किछु रोगी पर हाथ राखि कऽ ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कयलथिन।
5 Não pôde fazer ali milagre algum. Curou apenas alguns poucos enfermos, impondo-lhes as mãos.
6 लोकक अविश्‍वास पर ओ चकित छलाह।
6 Admirava-se ele da desconfiança deles. E ensinando, percorria as aldeias circunvizinhas.
7 ओ अपन बारहो शिष्‍य केँ बजा कऽ, हुनका सभ केँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालबाक अधिकार दऽ कऽ, दू-दू गोटेक समूह मे बाहर पठौलथिन।
7 Então chamou os Doze e começou a enviá-los, dois a dois; e deu-lhes poder sobre os espíritos imundos.
8 ओ हुनका सभ केँ ई आज्ञा देलथिन जे, “बाटक लेल लाठी छोड़ि आरो किछु नहि लऽ जाउ—ने रोटी, ने झोरा और ने जेबी मे पैसा।
8 Ordenou-lhes que não levassem coisa alguma para o caminho, senão somente um bordão; nem pão, nem mochila, nem dinheiro no cinto;
9 चप्‍पल पहिरि लिअ और एकेटा अंगा लिअ।”
9 como calçado, unicamente sandálias, e que se não revestissem de duas túnicas.
10 तखन हुनका सभ केँ कहलथिन, “जाहि घर मे अहाँ सभ ठहरी, जाबत धरि ओहि गाम सँ विदा नहि होइ ताबत धरि ओही घर मे रूकू।
10 E disse-lhes: Em qualquer casa em que entrardes, ficai nela, até vos retirardes dali.
11 जतऽ कतौ लोक सभ अहाँ सभक स्‍वागत नहि करय और अहाँ सभ जे कहऽ चाहैत छी, से नहि सुनय, ताहि गाम सँ विदा होइत काल अपन पयरक गर्दा झाड़ि लेब। ई ओकरा सभक विरोधक गवाही रहत।”
11 Se em algum lugar não vos receberem nem vos escutarem, saí dali e sacudi o pó dos vossos pés em testemunho contra ele.
12 ओ सभ विदा भेलाह और लोकक बीच प्रचार करऽ लगलाह जे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू।
12 Eles partiram e pregaram a penitência.
13 बहुत लोक मे सँ दुष्‍टात्‍मा निकाललनि और बहुत रोगी पर तेल लगा कऽ ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कयलनि।
13 Expeliam numerosos demônios, ungiam com óleo a muitos enfermos e os curavam.
14 राजा हेरोद एहि घटना सभक विषय मे सुनलनि किएक तँ यीशुक यश खूब पसरि गेल छल। किछु लोक कहैत छल जे, “बपतिस्‍मा देबऽ वला यूहन्‍ना मुइल सभ मे सँ जिआओल गेल छथि, तेँ चमत्‍कार करबाक एहन सामर्थ्‍य हुनका मे क्रियाशील अछि।”
14 O rei Herodes ouviu falar de Jesus, cujo nome se tornara célebre. Dizia-se: João Batista ressurgiu dos mortos e por isso o poder de fazer milagres opera nele.
15 दोसर लोक सभ कहैत छल जे, “ओ तँ एलियाह छथि।” आरो सभ कहैत छल जे, “ओ प्राचीन कालक परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ मे सँ केओ छथि।”
15 Uns afirmavam: É Elias! Diziam outros: É um profeta como qualquer outro.
16 मुदा हेरोद यीशुक बारे मे सुनि कऽ कहलनि जे, “ई अवश्‍य यूहन्‍ना अछि जकर मूड़ी हम कटबा देने छलिऐक—ओ फेर जीबि उठल अछि!” यूहन्‍ना हेरोद द्वारा कोना मरबाओल गेल छलाह से एहि प्रकारेँ अछि—
16 Ouvindo isto, Herodes repetia: É João, a quem mandei decapitar. Ele ressuscitou!
17 राजा हेरोद यूहन्‍ना केँ पकड़बा कऽ बन्‍हबौने आ जहल मे राखि देने छलथिन। ओ अपन स्‍त्री हेरोदियासक कारणेँ एना कयलनि। हेरोदियास, हेरोदक भाय फिलिपुसक स्‍त्री छलीह, मुदा हेरोद अपन भायक स्‍त्री केँ रखने छलाह,
17 Pois o próprio Herodes mandara prender João e acorrentá-lo no cárcere, por causa de Herodíades, mulher de seu irmão Filipe, com a qual ele se tinha casado.
18 और यूहन्‍ना हेरोद केँ कहने छलाह जे, “धर्म-नियमक अनुसार अपन भायक स्‍त्री केँ राखब उचित नहि।”
18 João tinha dito a Herodes: Não te é permitido ter a mulher de teu irmão.
19 एहि कारणेँ हेरोदियास यूहन्‍ना सँ दुश्‍मनी रखने छलीह और हुनका मरबा देबऽ चाहैत छलीह। मुदा ओ ई काज नहि करबा सकलीह
19 Por isso Herodíades o odiava e queria matá-lo, não o conseguindo, porém.
20 किएक तँ राजा हेरोद यूहन्‍ना केँ धार्मिक और नीक व्‍यक्‍ति बुझि कऽ हुनकर डर मानैत छलथिन और तेँ जहल मे राखि कऽ सुरक्षित रखलथिन। जखन कखनो हुनकर बात सुनैत छलाह तखन ओ घबड़ा जाइत छलाह, मुदा तैयो हुनकर बात सुनब ओ बहुत पसन्‍द करैत छलाह।
20 Pois Herodes respeitava João, sabendo que era um homem justo e santo; protegia-o e, quando o ouvia, sentia-se embaraçado. Mas, mesmo assim, de boa mente o ouvia.
21 तखन एक दिन हेरोदियास केँ मौका भेटिए गेलनि। राजा हेरोद अपन जन्‍म दिनक अवसर पर मन्‍त्री सभ, सेनापति सभ और गलील प्रदेशक प्रतिष्‍ठित व्‍यक्‍ति सभ केँ भोजक निमन्‍त्रण देलथिन।
21 Chegou, porém, um dia favorável em que Herodes, por ocasião do seu natalício, deu um banquete aos grandes de sua corte, aos seus oficiais e aos principais da Galiléia.
22 ओहि भोज मे हेरोदियासक बेटी भीतर आबि नचलनि जाहि सँ हेरोद और हुनकर आमन्‍त्रित लोक सभ बहुत प्रसन्‍न भेलाह। राजा लड़की केँ कहलथिन, “तोँ जे किछु चाहैत छह से हमरा सँ माँगह, हम तोरा देबह।”
22 A filha de Herodíades apresentou-se e pôs-se a dançar, com grande satisfação de Herodes e dos seus convivas. Disse o rei à moça: Pede-me o que quiseres, e eu to darei.
23 ओ लड़की केँ सपत खा कऽ वचन देलथिन जे, “जे किछु तोँ मँगबह से तोरा हम देबह, जँ तोँ हमर आधा राज्‍यो मँगबह तँ हम तोरा देबह।”
23 E jurou-lhe: Tudo o que me pedires te darei, ainda que seja a metade do meu reino.
24 लड़की निकलि कऽ अपन माय सँ पुछलक जे, “कहू! हम की माँगू?” ओकर माय कहलथिन जे, “बपतिस्‍मा देबऽ वला यूहन्‍नाक मूड़ी माँग!”
24 Ela saiu e perguntou à sua mãe: Que hei de pedir? E a mãe respondeu: A cabeça de João Batista.
25 ओ तुरत भीतर राजा लग झटकारि कऽ आयल और हुनका अपन माँग सुनौलकनि, “हम चाहैत छी जे अहाँ हमरा बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍नाक मूड़ी एखने थारी मे अनबा दिअ!”
25 Tornando logo a entrar apressadamente à presença do rei, exprimiu-lhe seu desejo: Quero que sem demora me dês a cabeça de João Batista.
26 राजा बहुत दुखी भेलाह। मुदा अपन सपतक कारणेँ और उपस्‍थित आमन्‍त्रित सभक कारणेँ ओ ओकर माँग अस्‍वीकार नहि करऽ चाहैत छलाह।
26 O rei entristeceu-se; todavia, por causa da sua promessa e dos convivas, não quis recusar.
27 ओ तुरत एकटा जल्‍लाद सिपाही केँ बजा कऽ आज्ञा दऽ कऽ पठौलथिन जे, “यूहन्‍नाक मूड़ी काटि कऽ आनि दैह।” सिपाही जहल मे जा कऽ यूहन्‍नाक मूड़ी काटि
27 Sem tardar, enviou um carrasco com a ordem de trazer a cabeça de João. Ele foi, decapitou João no cárcere,
28 थारी मे नेने आयल आ लड़की केँ देलक और लड़की अपन माय केँ देलकैक।
28 trouxe a sua cabeça num prato e a deu à moça, e esta a entregou à sua mãe.
29 जखन यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ ई सुनलनि तखन ओ सभ आबि हुनकर लास लऽ गेलनि और कबर मे राखि देलनि।
29 Ouvindo isto, os seus discípulos foram tomar o seu corpo e o depositaram num sepulcro.
30 पठाओल गेल दूत सभ यीशु लग फिरि कऽ अयला पर, जे काज ओ सभ कयने छलाह और जे शिक्षा देने छलाह, से सभ बात यीशु केँ कहि सुनौलथिन।
30 Os apóstolos voltaram para junto de Jesus e contaram-lhe tudo o que haviam feito e ensinado.
31 हुनका सभ लग ततेक लोक अबैत-जाइत छल जे हुनका सभ केँ भोजनो करबाक फुरसति नहि भेटैत छलनि। तखन यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “आउ! अपना सभ कोनो एकान्‍त स्‍थान मे जा कऽ भीड़ सँ अलग किछु आराम करी।”
31 Ele disse-lhes: Vinde à parte, para algum lugar deserto, e descansai um pouco. Porque eram muitos os que iam e vinham e nem tinham tempo para comer.
32 ओ सभ नाव मे बैसि कऽ एकान्‍त स्‍थानक लेल विदा भऽ गेलाह
32 Partiram na barca para um lugar solitário, à parte.
33 मुदा बहुत लोक हुनका सभ केँ जाइत देखलकनि और चिन्‍हि गेलनि। लोक सभ, नगर-नगर सँ निकलि हुनका सभक पाछू झीलक कछेरे-कछेर दौड़ल आ हुनका सभ सँ पहिने ओतऽ पहुँचि गेल।
33 Mas viram-nos partir. Por isso, muitos deles perceberam para onde iam, e de todas as cidades acorreram a pé para o lugar aonde se dirigiam, e chegaram primeiro que eles.
34 यीशु जखन नाव सँ उतरलाह आ लोकक बड़का भीड़ केँ जमा देखलनि तँ हुनका ओहि लोक सभ पर दया आबि गेलनि किएक तँ ओ सभ एहन भेँड़ी जकाँ छल जकर केओ चरबाह नहि होइक। यीशु ओकरा सभ केँ बहुत बात सिखाबऽ लगलथिन।
34 Ao desembarcar, Jesus viu uma grande multidão e compadeceu-se dela, porque era como ovelhas que não têm pastor. E começou a ensinar-lhes muitas coisas.
35 जखन साँझ पड़ऽ लागल तँ हुनकर शिष्‍य सभ हुनका लग आबि कहलथिन, “ई स्‍थान बस्‍ती सँ दूर अछि और साँझ पड़ऽ वला छैक।
35 A hora já estava bem avançada quando se achegaram a ele os seus discípulos e disseram: Este lugar é deserto, e já é tarde.
36 लोक सभ केँ एखन जाय दिऔक जाहि सँ लगक गाम-बजार सँ अपना लेल किछु खयबाक वस्‍तु किनि सकत।”
36 Despede-os, para irem aos sítios e aldeias vizinhas a comprar algum alimento.
37 मुदा यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहीं सभ एकरा सभ केँ भोजन करबिऔक।” शिष्‍य सभ हुनका कहलथिन जे, “तकरा लेल तँ दू सय दिनार लगैत। की हम सभ ओतेक खर्च कऽ कऽ रोटी आनि कऽ एकरा सभ केँ खुअबिऔक?”
37 Mas ele respondeu-lhes: Dai-lhes vós mesmos de comer. Replicaram-lhe: Iremos comprar duzentos denários de pão para dar-lhes de comer?
38 यीशु हुनका सभ केँ जबाब देलथिन जे, “अहाँ सभ जा कऽ देखू जे अहाँ सभ लग कयटा रोटी अछि।” ओ सभ देखि कऽ हुनका कहलथिन जे, “पाँचटा रोटी आ दूटा माछ।”
38 Ele perguntou-lhes: Quantos pães tendes? Ide ver. Depois de se terem informado, disseram: Cinco, e dois peixes.
39 तखन यीशु सभ लोक केँ हरियर घास पर पाँति-पाँति मे बैसयबाक आज्ञा शिष्‍य सभ केँ देलथिन।
39 Ordenou-lhes que mandassem todos sentar-se, em grupos, na relva verde.
40 लोक सभ सय-सय आ पचास-पचासक पाँति मे बैसैत गेल।
40 E assentaram-se em grupos de cem e de cinqüenta.
41 यीशु ओहि पाँचटा रोटी और दूटा माछ केँ हाथ मे लऽ कऽ, स्‍वर्ग दिस तकैत परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। ओ रोटी केँ तोड़ि-तोड़ि, लोक सभ मे परसबाक लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन। तखन ओहि दूटा माछो केँ हुनका सभ केँ लोक सभ मे परसबाक लेल देलथिन।
41 Então tomou os cinco pães e os dois peixes e, erguendo os olhos ao céu, abençoou-os, partiu-os e os deu a seus discípulos, para que lhos distribuíssem, e repartiu entre todos os dois peixes.
42 सभ केओ भरि इच्‍छा भोजन कयलक।
42 Todos comeram e ficaram fartos.
43 शिष्‍य सभ जखन रोटी आ माछक उबरल टुकड़ी सभ बिछलनि तँ बारह छिट्टा भेल।
43 Recolheram do que sobrou doze cestos cheios de pedaços, e os restos dos peixes.
44 भोजन करऽ वला मे मात्र पुरुषक संख्‍या पाँच हजार छल।
44 Foram cinco mil os homens que haviam comido daqueles pães.
45 तकरबाद यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ तुरत नाव पर चढ़ि कऽ अपना सँ पहिने झीलक ओहि पार बेतसैदा नगर चल जयबाक लेल आज्ञा देलथिन आ अपने ओतहि रहि कऽ भीड़क लोक सभ केँ विदा करऽ लगलाह।
45 Imediatamente ele obrigou os seus discípulos a subirem para a barca, para que chegassem antes dele à outra margem, em frente de Betsaida, enquanto ele mesmo despedia o povo.
46 ओकरा सभ केँ विदा करा कऽ ओ प्रार्थना करऽ लेल पहाड़ पर चल गेलाह।
46 E despedido que foi o povo, retirou-se ao monte para orar.
47 साँझ बितला पर नाव झीलक बीच मे छलैक और यीशु किनार पर असगरे छलाह।
47 À noite, achava-se a barca no meio do lago e ele, a sós, em terra.
48 ओ देखलनि जे शिष्‍य सभ केँ नाव खेबऽ मे बहुत परिश्रम भऽ रहल छनि, किएक तँ हवा विपरीत दिस सँ बहि रहल छलैक। लगभग रातिक चारिम पहर मे ओ झीलक पानि पर चलैत हुनका सभक दिस गेलाह। यीशु हुनका सभ सँ आगू बढ़ि जाय चाहैत छलाह।
48 Vendo-os se fatigarem em remar, sendo-lhes o vento contrário, foi ter com eles pela quarta vigília da noite, andando por cima do mar, e fez como se fosse passar ao lado deles.
49 शिष्‍य सभ हुनका पानि पर चलैत देखि, हुनका भूत बुझि चिचियाय लगलाह।
49 À vista de Jesus, caminhando sobre o mar, pensaram que fosse um fantasma e gritaram;
50 सभ गोटे हुनका देखि भयभीत भऽ गेलाह।
50 pois todos o viram e se assustaram. Mas ele logo lhes falou: Tranqüilizai-vos, sou eu; não vos assusteis!
51 ओ हुनका सभक संग नाव मे चढ़ि गेलाह और हुनका चढ़िते अन्‍हड़-बिहारि थम्‍हि गेल। शिष्‍य सभ एकदम अवाक भऽ गेलाह
51 E subiu para a barca, junto deles, e o vento cessou. Todos se achavam tomados de um extremo pavor,
52 किएक तँ ओ सभ रोटी वला घटना सेहो नहि बुझि सकल छलाह—हुनका सभक बुद्धि बन्‍द छलनि।
52 pois ainda não tinham compreendido o caso dos pães; os seus corações estavam insensíveis.
53 ओ सभ झील केँ पार कऽ कऽ गन्‍नेसरत क्षेत्र मे पहुँचलाह और नाव केँ किनार लगा देलनि।
53 Navegaram para o outro lado e chegaram à região de Genesaré, onde aportaram.
54 जखन यीशु नाव पर सँ उतरलाह तखन लोक सभ हुनका चिन्‍हि लेलकनि।
54 Assim que saíram da barca, o povo o reconheceu.
55 लोक सभ पूरा क्षेत्र मे जा कऽ रोगी सभ केँ खाट पर लादि जाहि ठाम लोक कहैत छल जे यीशु छथि ओहि ठाम रोगी सभ केँ पहुँचाबऽ लागल।
55 Percorrendo toda aquela região, começaram a levar, em leitos, os que padeciam de algum mal, para o lugar onde ouviam dizer que ele se encontrava.
56 जाहि गाम, शहर, अथवा बस्‍ती मे ओ जाइत छलाह ताहि ठामक लोक रोगी सभ केँ हाट-बजार मे सुता दैत छल। ओ सभ यीशु सँ प्रार्थना करैत छल जे, “अहाँ अपन कपड़ाक खूटो रोगी सभ केँ छुबऽ दिऔक।” जे सभ हुनकर कपड़ा छुलक से सभ स्‍वस्‍थ भऽ गेल।
56 Onde quer que ele entrasse, fosse nas aldeias ou nos povoados, ou nas cidades, punham os enfermos nas ruas e pediam-lhe que os deixassem tocar ao menos na orla de suas vestes. E todos os que tocavam em Jesus ficavam sãos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.