Marcos 5

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ झीलक ओहि पार गिरासेनी सभक क्षेत्र मे पहुँचलाह।
1 Passaram à outra margem do lago, ao território dos gerasenos.
2 नाव पर सँ उतरैत काल एक दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी कबरिस्‍तान दिस सँ हुनका भेँट करऽ लेल अयलनि।
2 Assim que saíram da barca, um homem possesso do espírito imundo saiu do cemitério
3 ओ आदमी कबरिस्‍तान मे रहैत छल। केओ आब ओकरा जंजीरो लऽ कऽ बान्‍हि नहि सकैत छल।
3 onde tinha seu refúgio e veio-lhe ao encontro. Não podiam atá-lo nem com cadeia, mesmo nos sepulcros,
4 कतेको बेर लोक ओकरा जंजीर सँ हाथ-पयर बान्‍हि देने रहैक मुदा ओ सभ जंजीर केँ तोड़ि देने रहय। ककरो एतेक शक्‍ति नहि छल जे ओकरा सम्‍हारि कऽ राखि सकय।
4 pois tinha sido ligado muitas vezes com grilhões e cadeias, mas os despedaçara e ninguém o podia subjugar.
5 दिन-राति कबरिस्‍तान और पहाड़ मे ओ सदिखन चिचियाइत रहैत छल और पाथर सँ अपना देह केँ कटैत रहैत छल।
5 Sempre, dia e noite, andava pelos sepulcros e nos montes, gritando e ferindo-se com pedras.
6 यीशु केँ दूर सँ देखि ओ दौड़ैत आयल और हुनका पयर पर खसि कऽ
6 Vendo Jesus de longe, correu e prostrou-se diante dele, gritando em alta voz:
7 जोर सँ चिचिया लागल जे, “यौ परम परमेश्‍वरक पुत्र यीशु! अपने केँ हमरा सँ कोन काज? अपने केँ परमेश्‍वरक सपत अछि—हमरा दुःख नहि दिअ।”
7 Que queres de mim, Jesus, Filho do Deus Altíssimo?Conjuro-te por Deus, que não me atormentes.
8 ई बात ओ एहि द्वारे कहलक कि यीशु ओहि दुष्‍टात्‍मा केँ कहैत छलाह जे, “हे दुष्‍टात्‍मा! एहि आदमी मे सँ निकल!”
8 É que Jesus lhe dizia: Espírito imundo, sai deste homem!
9 तखन यीशु ओकरा सँ पुछलथिन जे, “तोहर नाम की छह?” ओ कहलक जे, “हमर नाम अछि ‘सेना’, किएक तँ हम सभ बहुत गोटे छी।”
9 Perguntou-lhe Jesus: Qual é o teu nome? Respondeu-lhe: Legião é o meu nome, porque somos muitos.
10 तखन ओ हुनका सँ विनती करऽ लागल जे, “हमरा सभ केँ एहि इलाका सँ बाहर नहि निकालू।”
10 E pediam-lhe com instância que não os lançasse fora daquela região.
11 ओहीठाम लग मे पहाड़ पर सुगरक बड़का झुण्‍ड चरि रहल छल।
11 Ora, uma grande manada de porcos andava pastando ali junto do monte.
12 दुष्‍टात्‍मा सभ यीशु सँ विनती कयलकनि जे, “हमरा सभ केँ ओहि सुगर सभ मे पठा दिअ, ओकरा सभ मे हमरा सभ केँ पैसऽ दिअ।”
12 E os espíritos suplicavam-lhe: Manda-nos para os porcos, para entrarmos neles.
13 यीशु ओकरा सभ केँ अनुमति दऽ देलथिन। ओ सभ ओहि आदमी मे सँ निकलि आयल और सुगर सभ मे प्रवेश कऽ गेल। पूरा झुण्‍ड—लगभग दू हजार सुगर—बताह भऽ पहाड़ पर सँ धरफरा कऽ झील मे खसल और सभ पानि मे डुबि कऽ मरि गेल।
13 Jesus lhos permitiu. Então os espíritos imundos, tendo saído, entraram nos porcos; e a manada, de uns dois mil, precipitou-se no mar, afogando-se.
14 सुगर चराबऽ वला तुरत भागि एहि घटनाक बारे मे नगर आ देहातो मे सुनौलक। एहि घटना केँ देखऽ लेल बहुतो लोक आयल।
14 Fugiram os pastores e narraram o fato na cidade e pelos arredores. Então saíram a ver o que tinha acontecido.
15 यीशु लग पहुँचि कऽ ओहि आदमी केँ जकरा मे दुष्‍टात्‍मा पहिने रहैत छलैक कपड़ा पहिरने आ स्‍वस्‍थ मोने यीशु लग बैसल देखलक। ई देखि लोक सभ भयभीत भऽ गेल।
15 Aproximaram-se de Jesus e viram o possesso assentado, coberto com seu manto e calmo, ele que tinha sido possuído pela Legião. E o pânico apoderou-se deles.
16 जे सभ ई घटना देखने छल से सभ विस्‍तारपूर्बक लोक सभ केँ कहि देलक जे कोना दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी नीक भेल और सुगर सभ केँ की भेलैक।
16 As testemunhas do fato contaram-lhes como havia acontecido isso ao endemoninhado, e o caso dos porcos.
17 तखन लोक सभ यीशु सँ ओहि इलाका सँ चल जयबाक लेल विनती करऽ लगलनि।
17 Começaram então a rogar-lhe que se retirasse da sua região.
18 यीशु जखन नाव पर चढ़ऽ लगलाह तखन ओ आदमी जकरा मे पहिने दुष्‍टात्‍मा सभ रहैत छलैक से हुनका सँ विनती कयलकनि जे, “अपना संग हमरो चलऽ देल जाओ।”
18 Quando ele subia para a barca, veio o que tinha sido possesso e pediu-lhe permissão de acompanhá-lo.
19 मुदा यीशु ओकरा मना करैत कहलथिन, “तोँ अपना घर जाह, और प्रभु तोरा पर कतेक पैघ दया कयलथुन अछि से अपना आदमी सभ केँ सुनबहक।”
19 Jesus não o admitiu, mas disse-lhe: Vai para casa, para junto dos teus e anuncia-lhes tudo o que o Senhor fez por ti, e como se compadeceu de ti.
20 ओ आदमी “दस नगर” क्षेत्र मे जा कऽ, यीशु ओकरा लेल जे-जतेक कयने रहथिन से सुनाबऽ लागल। जे सभ ई बात सुनलक से सभ बहुत आश्‍चर्य-चकित भेल।
20 Foi-se ele e começou a publicar, na Decápole, tudo o que Jesus lhe havia feito. E todos se admiravam.
21 यीशु नाव मे झीलक एहि पार अयलाह। हुनकर चारू कात बड़का भीड़ जमा भऽ गेल। जखन यीशु झीलक कात मे ठाढ़ छलाह,
21 Tendo Jesus navegado outra vez para a margem oposta, de novo afluiu a ele uma grande multidão. Ele se achava à beira do mar, quando
22 ओही समय मे सभाघरक याइरस नामक एक अधिकारी ओहिठाम अयलाह। यीशु केँ देखि कऽ हुनकर पयर पर खसैत
22 um dos chefes da sinagoga, chamado Jairo, se apresentou e, à sua vista, lançou-se-lhe aos pés,
23 निवेदन कयलथिन जे, “हमर बेटी मरि रहल अछि। हमरा घर चलि कऽ ओकरा पर हाथ राखि कऽ ठीक कऽ देल जाओ, जाहि सँ ओ जीबय।” यीशु हुनका संग विदा भऽ गेलाह।
23 rogando-lhe com insistência: Minha filhinha está nas últimas. Vem, impõe-lhe as mãos para que se salve e viva.
24 हुनका संग बड़का भीड़ चलल। चारू कात सँ लोक सभ यीशु केँ पिचऽ लगलनि।
24 Jesus foi com ele e grande multidão o seguia, comprimindo-o.
25 भीड़ मे एक स्‍त्री छलि जकरा बारह वर्ष सँ खून खसऽ वला बिमारी छलैक।
25 Ora, havia ali uma mulher que já por doze anos padecia de um fluxo de sangue.
26 ओ बहुतो वैद्य सँ इलाज कराबऽ मे बड्ड कष्‍ट सहल छलि और अपन सभ सम्‍पत्ति खर्च कऽ देने छलि। मुदा तैयो ओकरा कनेको गुण नहि कयलकैक। बल्‍कि ओकर अवस्‍था आओर अधलाहे होइत गेलैक।
26 Sofrera muito nas mãos de vários médicos, gastando tudo o que possuía, sem achar nenhum alívio; pelo contrário, piorava cada vez mais.
27 यीशुक बारे मे ओ सुनने छलि। ओ हुनका पाछू आबि, हुनकर वस्‍त्रक कोर छुबि
27 Tendo ela ouvido falar de Jesus, veio por detrás, entre a multidão, e tocou-lhe no manto.
28 मोन मे सोचलक जे, “जँ हम हुनकर वस्‍त्रो केँ छुबि लेब तँ हम ठीक भऽ जायब।”
28 Dizia ela consigo: Se tocar, ainda que seja na orla do seu manto, estarei curada.
29 हुनकर वस्‍त्र छुबिते ओकर खून बहनाइ बन्‍द भऽ गेलैक। ओकरा अपनो अनुभव भेलैक जे हम रोग सँ मुक्‍त भऽ गेल छी।
29 Ora, no mesmo instante se lhe estancou a fonte de sangue, e ela teve a sensação de estar curada.
30 यीशु केँ सेहो तुरत अनुभव भेलनि जे हमरा मे सँ सामर्थ्‍य निकलि गेल अछि। ओ भीड़ दिस घूमि कऽ पुछलथिन जे, “हमरा वस्‍त्र केँ के छुलक?”
30 Jesus percebeu imediatamente que saíra dele uma força e, voltando-se para o povo, perguntou: Quem tocou minhas vestes?
31 हुनकर शिष्‍य सभ हुनका कहलकनि जे, “अहाँ देखिते छी जे कतेक लोक अहाँ केँ दबा रहल अछि, तँ कोना पुछैत छी जे हमरा के छुलक?”
31 Responderam-lhe os seus discípulos: Vês que a multidão te comprime e perguntas: Quem me tocou?
32 मुदा यीशु ई बुझबाक लेल जे ई के कयलक, चारू दिस अपन नजरि खिरौलनि।
32 E ele olhava em derredor para ver quem o fizera.
33 तखन ओ स्‍त्री ई बुझि जे हमरा संग की भेल, डर सँ कँपैत आगू आयल आ यीशुक पयर पर खसैत हुनका सभ बात सत्‍य-सत्‍य कहि देलकनि।
33 Ora, a mulher, atemorizada e trêmula, sabendo o que nela se tinha passado, veio lançar-se-lhe aos pés e contou-lhe toda a verdade.
34 यीशु ओकरा कहलथिन, “बेटी! तोहर विश्‍वास तोरा स्‍वस्‍थ कऽ देलकह। शान्‍तिपूर्बक जाह और अपन रोग सँ मुक्‍त रहह!”
34 Mas ele lhe disse: Filha, a tua fé te salvou. Vai em paz e sê curada do teu mal.
35 यीशु ई बात कहिए रहल छलथिन कि अधिकारी याइरसक घर सँ किछु गोटे आबि कऽ याइरस केँ कहलकनि जे, “अहाँक बेटी मरि गेल। आब गुरुजी केँ आरो कष्‍ट देला सँ कोन लाभ?”
35 Enquanto ainda falava, chegou alguém da casa do chefe da sinagoga, anunciando: Tua filha morreu. Para que ainda incomodas o Mestre?
36 यीशु ई बात सुनि लेलथिन और सभाघरक अधिकारी केँ कहलथिन, “अहाँ डेराउ नहि! मात्र विश्‍वास राखू!”
36 Ouvindo Jesus a notícia que era transmitida, dirigiu-se ao chefe da sinagoga: Não temas; crê somente.
37 ओ अपना संग पत्रुस, याकूब और याकूबक भाय यूहन्‍ना केँ छोड़ि आरो ककरो नहि आबऽ देलथिन।
37 E não permitiu que ninguém o acompanhasse, senão Pedro, Tiago e João, irmão de Tiago.
38 सभाघरक अधिकारीक घर पहुँचि कऽ ओ लोक सभ केँ बहुत कनैत आ जोर सँ विलाप करैत देखलनि।
38 Ao chegar à casa do chefe da sinagoga, viu o alvoroço e os que estavam chorando e fazendo grandes lamentações.
39 घर मे अबिते यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ हल्‍ला किएक करैत छी और कनैत किएक छी? बच्‍ची मरल नहि अछि—ओ सुतल अछि।” मुदा लोक सभ हुनका पर हँसऽ लागल।
39 Ele entrou e disse-lhes: Por que todo esse barulho e esses choros? A menina não morreu. Ela está dormindo.
40 तखन यीशु सभ लोक केँ बाहर हटा कऽ बच्‍चीक माय-बाबू केँ और अपन शिष्‍य सभ केँ अपना संग लऽ कऽ ओहि घर मे गेलाह जाहिठाम ओ बच्‍ची छल।
40 Mas riam-se dele. Contudo, tendo mandado sair todos, tomou o pai e a mãe da menina e os que levava consigo, e entrou onde a menina estava deitada.
41 यीशु ओकर हाथ पकड़ि ओकरा कहलथिन, “तलीथा कूम!” जकर अर्थ अछि, “हे बच्‍ची! हम तोरा कहैत छिऔक, तोँ उठ!”
41 Segurou a mão da menina e disse-lhe: Talita cumi, que quer dizer: Menina, ordeno-te, levanta-te!
42 बच्‍ची तुरत उठि गेल और बुलऽ लागल—ओ तँ बारह वर्षक छल। ओ सभ बहुत आश्‍चर्य-चकित भेलाह।
42 E imediatamente a menina se levantou e se pôs a caminhar {pois contava doze anos}. Eles ficaram assombrados.
43 यीशु एहि घटना केँ केओ नहि बुझय ताहि लेल दृढ़तापूर्बक आदेश देलथिन, आ कहलथिन जे बच्‍ची केँ किछु खयबाक लेल देल जाय।
43 Ordenou-lhes severamente que ninguém o soubesse, e mandou que lhe dessem de comer.Jesus de Nazaré

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.