Marcos 3

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 दोसर बेर यीशु सभाघर गेलाह। एक गोटे जकर हाथ सुखायल छलैक सेहो ओहिठाम छल।
1 E outra vez entrou na sinagoga, e estava ali um homem que tinha uma das mãos mirrada.
2 किछु लोक सभ यीशु पर दोष लगयबाक आधारक लेल हुनका पर नजरि गड़ौने छल जे, देखी ओ विश्राम-दिन मे एकरा स्‍वस्‍थ करताह वा नहि।
2 E estavam observando-o securaria no sábado, para o acusarem.
3 यीशु सुखल हाथ वला आदमी केँ कहलथिन, “उठह! सभक आगाँ मे ठाढ़ होअह।”
3 E disse ao homem que tinha a mão mirrada: Levanta-te e vem para o meio.
4 तखन लोक सभ दिस घूमि कऽ पुछलथिन जे, “विश्राम-दिन मे की उचित? नीक काज करब अथवा अधलाह? ककरो जीवनक रक्षा करब अथवा नष्‍ट करब?” केओ किछु नहि बाजल।
4 E perguntou-lhes: É lícito no sábado fazer bem, ou fazer mal? salvar a vida, ou matar? E eles calaram-se.
5 यीशु तमसा कऽ चारू दिस लोक सभ पर नजरि दौड़ौलनि। ओ लोक सभक जिद्दीपनक कारणेँ उदास भऽ गेलाह और ओहि आदमी केँ कहलथिन जे, “अपन हाथ बढ़ाबह।” ओ हाथ बढ़ौलक और ओकर हाथ एकदम ठीक भऽ गेलैक।
5 E, olhando para eles em redor com indignação, condoendo-se da dureza do seu coração, disse ao homem: Estende a tua mão. E ele a estendeu, e foi-lhe restituída a sua mão, sã como a outra.
6 फरिसी सभ तुरत निकलि कऽ हेरोद-दलक संग मिलि कऽ यीशु केँ कोना मारल जाय, तकर षड्‌यन्‍त्र रचऽ लगलाह।
6 E, tendo saído os fariseus, tomaram logo conselho com os herodianos contra ele, procurando ver como o matariam.
7 यीशु अपन शिष्‍य सभक संग झीलक कात मे चल गेलाह, और गलील प्रदेशक लोक सभक बड़का भीड़ हुनका सभक पाछाँ-पाछाँ गेलनि।
7 E retirou-se Jesus com os seus discípulos para o mar, e seguia-o uma grande multidão da Galiléia e da Judéia,
8 यीशु द्वारा कयल गेल काजक विषय मे सुनि कऽ यहूदिया प्रदेश, यरूशलेम, इदूमिया, यरदन नदीक ओहि पारक क्षेत्र, सूर और सीदोन नगरक क्षेत्र सँ बहुत लोक हुनका ओहिठाम आयल।
8 E de Jerusalém, e da Iduméia, e de além do Jordão, e de perto de Tiro e de Sidom; uma grande multidão que, ouvindo quão grandes coisas fazia, vinha ter com ele.
9 यीशु अपन शिष्‍य सभ केँ कछेर पर एकटा नाव तैयार राखऽ लेल कहलथिन जाहि सँ लोकक भीड़ हुनका दबा नहि देनि।
9 E ele disse aos seus discípulos que lhe tivessem sempre pronto um barquinho junto dele, por causa da multidão, para que o não oprimisse,
10 ओ ततेक लोक केँ नीक कयने रहथिन जे विभिन्‍न प्रकारक रोगी सभ हुनका शरीर मे भिड़बाक लेल ठेलम-ठेल कऽ रहल छल।
10 Porque tinha curado a muitos, de tal maneira que todos quantos tinham algum mal se arrojavam sobre ele, para lhe tocarem.
11 जखन दुष्‍टात्‍मा सभ हुनका देखैत छल तँ हुनका समक्ष खसि कऽ चिचिया लगैत छल जे, “अहाँ परमेश्‍वरक पुत्र छी।”
11 E os espíritos imundos vendo-o, prostravam-se diante dele, e clamavam, dizendo: Tu és o Filho de Deus.
12 मुदा यीशु ओकरा सभ केँ मना कयलथिन जे, “लोक केँ ई नहि कहिअहक जे हम के छी।”
12 E ele os ameaçava muito, para que não o manifestassem.
13 तकर बाद यीशु पहाड़ पर चल गेलाह और जिनका सभ केँ ओ चुनलथिन तिनका सभ केँ अपना लग बजौलथिन। ओ सभ हुनका लग अयलनि।
13 E subiu ao monte, e chamou para si os que ele quis; e vieram a ele.
14 — ausente —
14 E nomeou doze para que estivessem com ele e os mandasse a pregar,
15 — ausente —
15 E para que tivessem o poderde curar as enfermidades e expulsar os demônios:
16 बारह शिष्‍य जिनका सभ केँ ओ चुनलनि से यैह सभ छथि—सिमोन, जिनका ओ “पत्रुस” नाम देलथिन,
16 A Simão, a quem pôs o nome de Pedro,
17 जबदीक बेटा याकूब और हुनकर भाय यूहन्‍ना, जिनका सभ केँ ओ बुअनेरगिस, अर्थात्‌ “ठनकाक पुत्र सभ” नाम देलथिन,
17 E a Tiago, filho de Zebedeu, e a João, irmão de Tiago, aos quais pôs o nome de Boanerges, que significa: Filhos do trovão;
18 अन्‍द्रेयास, फिलिपुस, बरतुल्‍मै, मत्ती, थोमा, अल्‍फेयासक बेटा याकूब, तद्दै, सिमोन “देश-भक्‍त”,
18 E a André, e a Filipe, e a Bartolomeu, e a Mateus, e a Tomé, e a Tiago, filho de Alfeu, e a Tadeu, e a Simão, o Cananita,
19 और यहूदा इस्‍करियोती जे बाद मे यीशुक संग विश्‍वासघात कयलकनि।
19 E a Judas Iscariotes, o que o entregou.
20 तखन यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ एकटा घर मे गेलाह। ओहिठाम ततेक लोक फेर जमा भऽ गेल जे हुनका सभ केँ भोजनो करबाक समय नहि भेटलनि।
20 E foram para uma casa. E afluiu outra vez a multidão, de tal maneira que nem sequer podiam comer pão.
21 हुनकर घरक लोक जखन ई बात सुनलनि तँ हुनका जबरदस्‍ती लऽ अयबाक लेल विदा भेलाह, ई सोचि जे यीशु पागल भऽ गेल छथि।
21 E, quando os seus ouviram isto, saíram para o prender; porque diziam: Está fora de si.
22 यरूशलेम सँ आयल धर्मशिक्षक सभ कहऽ लगलाह जे, “यीशु मे दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूल छैक। तकरे शक्‍ति सँ ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”
22 E os escribas, que tinham descido de Jerusalém, diziam: Tem Belzebu, e pelo príncipe dos demônios expulsa os demônios.
23 हुनका सभ केँ अपना लग बजा कऽ यीशु उदाहरण द्वारा उत्तर देलथिन जे, “शैतान कोना शैतान केँ भगा सकत?
23 E, chamando-os a si, disse-lhes por parábolas: Como pode Satanás expulsar Satanás?
24 जँ कोनो राज्‍य मे फूट पड़ि जाय तँ ओ नहि टिकि सकत।
24 E, se um reino se dividir contra si mesmo, tal reino não pode subsistir;
25 तहिना जँ कोनो परिवार मे फूट भऽ गेल अछि तँ ओ नहि टिकि सकैत अछि।
25 E, se uma casa se dividir contra si mesma, tal casa não pode subsistir.
26 जँ शैतान अपने केँ विरोध करय और ओकरा अपने मे फूट भऽ जाइक तँ ओ टिकि नहि सकैत अछि। ओकर विनाश निश्‍चित छैक।
26 E, se Satanás se levantar contra si mesmo, e for dividido, não pode subsistir; antes tem fim.
27 केओ कोनो बलगर आदमीक घर मे ढुकि कऽ ओकर चीज-वस्‍तु ताबत तक नहि लुटि सकैत छैक, जाबत तक पहिने ओहि बलगर आदमी केँ बान्‍हि कऽ काबू मे नहि कऽ लैत अछि। ओकरा बान्‍हि लेलाक बादे ओकर वस्‍तु लुटि सकैत अछि।
27 Ninguém pode roubar os bens do valente, entrando-lhe em sua casa, se primeiro não maniatar o valente; e então roubará a sua casa.
28 अहाँ सभ केँ हम विश्‍वास दिअबैत छी जे, मनुष्‍य केँ सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बातक क्षमा भेटि सकैत छैक,
28 Na verdade vos digo que todos os pecados serão perdoados aos filhos dos homens, e toda a sorte de blasfêmias, com que blasfemarem;
29 मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक निन्‍दा करैत अछि तँ ओकरा कहियो क्षमा नहि भेटतैक। ओ अनन्‍त पापक दोषी होयत।”
29 Qualquer, porém, que blasfemar contra o Espírito Santo, nunca obterá perdão, mas será réu do eterno juízo
30 यीशु ई बात एहि लेल कहलथिन जे ओ सभ कहैत छलाह जे हुनका मे दुष्‍टात्‍मा छनि।
30 (Porque diziam: Tem espírito imundo).
31 ओहि समय मे यीशुक माय आ भाय लोकनि ओतऽ पहुँचलाह। सभ गोटे बाहर रहि कऽ, यीशु केँ बाहर अयबाक लेल खबरि पठौलनि।
31 Chegaram, então, seus irmãos e sua mãe; e, estando fora, mandaram-no chamar.
32 यीशुक चारू कात लोक सभ बैसल छल। एक गोटे आबि कऽ हुनका कहलकनि जे, “सुनू! अहाँक माय और भाय लोकनि बाहर ठाढ़ छथि आ अहाँ केँ बजबैत छथि।”
32 E a multidão estava assentada ao redor dele, e disseram-lhe: Eis que tua mãe e teus irmãos te procuram, e estão lá fora.
33 ओ कहलथिन, “के छथि हमर माय? के सभ छथि हमर भाय?”
33 E ele lhes respondeu, dizendo: Quem é minha mãe e meus irmãos?
34 ओ चारू कात बैसल लोकक दिस ताकि कहलनि जे, “देखू! यैह सभ हमर माय और भाय लोकनि छथि!
34 E, olhando em redor para os que estavam assentados junto dele, disse: Eis aqui minha mãe e meus irmãos.
35 जे केओ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार चलैत छथि वैह हमर भाय, हमर बहिन, हमर माय छथि।”
35 Porquanto, qualquer que fizer a vontade de Deus, esse é meu irmão, e minha irmã, e minha mãe.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.