Marcos 1

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 परमेश्‍वरक पुत्र यीशु मसीहक शुभ समाचार एहि तरहेँ शुरू होइत अछि—
1 Princípio da boa nova de Jesus Cristo, Filho de Deus. Conforme está escrito no profeta Isaías:
2 परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाह द्वारा लिखल पुस्‍तक मे भविष्‍यवाणी कयल गेल अछि जे,
2 Eis que envio o meu anjo diante de ti: ele preparará o teu caminho.
3 “निर्जन क्षेत्र मे केओ जोर सँ आवाज दऽ रहल अछि जे,
3 Uma voz clama no deserto: Traçai o caminho do Senhor, aplanai as suas veredas {Mal 3,1; Is 40,3}.
4 तहिना यूहन्‍ना नामक दूत निर्जन क्षेत्र मे अयलाह और लोक केँ बपतिस्‍मा दैत प्रचार करऽ लगलाह जे, “पापक क्षमा पयबाक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू और बपतिस्‍मा लिअ।”
4 João Batista apareceu no deserto e pregava um batismo de conversão para a remissão dos pecados.
5 यहूदिया प्रदेशक और यरूशलेम शहरक सभ लोक बाहर निकलि कऽ हुनका लग गेल और अपन पाप स्‍वीकार करैत यरदन नदी मे हुनका सँ बपतिस्‍मा लेलक।
5 E saíam para ir ter com ele toda a Judéia, toda Jerusalém, e eram batizados por ele no rio Jordão, confessando os seus pecados.
6 यूहन्‍ना ऊँटक रोंइयाँ सँ बनल वस्‍त्र पहिरने रहैत छलाह और अपना डाँड़ मे चमड़ाक पट्टी बन्‍हने रहैत छलाह। भोजन मे फनिगा आ वन वला मधु खाइत छलाह।
6 João andava vestido de pêlo de camelo e trazia um cinto de couro em volta dos rins, e alimentava-se de gafanhotos e mel silvestre.
7 ओ एहि तरहेँ प्रचार करैत छलाह, “हमरा बाद मे एक गोटे आबि रहल छथि जे हमरा सँ शक्‍तिशाली छथि। हम झुकि कऽ हुनकर जुत्तो खोलऽ जोगरक नहि छी।
7 Ele pôs-se a proclamar: "Depois de mim vem outro mais poderoso do que eu, ante o qual não sou digno de me prostrar para desatar-lhe a correia do calçado.
8 हम तँ अहाँ सभ केँ पानि सँ बपतिस्‍मा दैत छी लेकिन ओ अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा सँ बपतिस्‍मा देताह।”
8 Eu vos batizei com água; ele, porém, vos batizará no Espírito Santo."
9 ओहि समय मे यीशु गलील प्रदेशक नासरत नगर सँ अयलाह और यूहन्‍ना सँ यरदन नदी मे बपतिस्‍मा लेलनि।
9 Ora, naqueles dias veio Jesus de Nazaré, da Galiléia, e foi batizado por João no Jordão.
10 पानि सँ बाहर होइत काल यीशु आकाश केँ फटैत और परबाक रूप मे पवित्र आत्‍मा केँ अपना पर उतरैत देखलनि।
10 No momento em que Jesus saía da água, João viu os céus abertos e descer o Espírito em forma de pomba sobre ele.
11 स्‍वर्ग सँ आवाज आयल जे, “अहाँ हमर प्रिय पुत्र छी। अहाँ सँ हम बहुत प्रसन्‍न छी।”
11 E ouviu-se dos céus uma voz: "Tu és o meu Filho muito amado; em ti ponho minha afeição."
12 तखन पवित्र आत्‍मा तुरत यीशु केँ निर्जन क्षेत्र मे पठौलथिन
12 E logo o Espírito o impeliu para o deserto.
13 जतऽ चालिस दिन धरि शैतान हुनका सँ पाप करयबाक कोशिश कयलकनि। ओ जंगली जानबर सभक बीच मे रहैत छलाह और स्‍वर्गदूत सभ हुनकर सेवा करैत छलनि।
13 Aí esteve quarenta dias. Foi tentado pelo demônio e esteve em companhia dos animais selvagens. E os anjos o serviam.
14 बाद मे, यूहन्‍ना केँ जहल मे राखि देल गेलाक बाद, यीशु गलील प्रदेश गेलाह और परमेश्‍वरक शुभ समाचारक प्रचार कयलनि जे,
14 Depois que João foi preso, Jesus dirigiu-se para a Galiléia. Pregava o Evangelho de Deus, e dizia:
15 “समय आबि गेल अछि, परमेश्‍वरक राज्‍य लग मे अछि! अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ शुभ समाचार पर विश्‍वास करू।”
15 "Completou-se o tempo e o Reino de Deus está próximo; fazei penitência e crede no Evangelho."
16 एक दिन यीशु गलील झीलक कात चलैत काल मे सिमोन और हुनकर भाय अन्‍द्रेयास केँ झील मे जाल फेकैत देखलनि। ओ सभ मछबार छलाह।
16 Passando ao longo do mar da Galiléia, viu Simão e André, seu irmão, que lançavam as redes ao mar, pois eram pescadores.
17 यीशु हुनका सभ केँ बजौलथिन और कहलथिन, “यौ! हमरा पाछाँ आउ। हम अहाँ सभ केँ मनुष्‍य केँ पकड़ऽ वला मछबार बना देब।”
17 Jesus disse-lhes: "Vinde após mim; eu vos farei pescadores de homens."
18 ओ सभ अपन जाल छोड़ि कऽ हुनका पाछाँ लागि गेलनि।
18 Eles, no mesmo instante, deixaram as redes e seguiram-no.
19 किछु आगू बढ़लाक बाद यीशु याकूब और यूहन्‍ना दूनू भाय केँ अपन बाबू जबदीक संग नाव मे जाल तैयार करैत देखलथिन।
19 Uns poucos passos mais adiante, viu Tiago, filho de Zebedeu, e João, seu irmão, que estavam numa barca, consertando as redes. E chamou-os logo.
20 ओ तुरत हुनका सभ केँ बजौलथिन, और ओ सभ अपन बाबू जबदी केँ जऽन-बोनिहारक संग नाव मे छोड़ि हुनका संग भऽ गेलनि।
20 Eles deixaram na barca seu pai Zebedeu com os empregados e o seguiram.
21 ओ सभ कफरनहूम नगर गेलाह। विश्रामक दिन मे यीशु सभाघर मे जा कऽ उपदेश देबऽ लगलाह।
21 Dirigiram-se para Cafarnaum. E já no dia de sábado, Jesus entrou na sinagoga e pôs-se a ensinar.
22 हुनकर शिक्षा सुनि लोक सभ चकित भेल किएक तँ ओ धर्मशिक्षक सभ जकाँ नहि, बल्‍कि अधिकारपूर्बक शिक्षा दैत छलाह।
22 Maravilhavam-se da sua doutrina, porque os ensinava como quem tem autoridade e não como os escribas.
23 एकाएक सभाघर मे एकटा दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी हल्‍ला करऽ लागल जे,
23 Ora, na sinagoga deles achava-se um homem possesso de um espírito imundo, que gritou:
24 “यौ नासरतक निवासी यीशु! अहाँ केँ हमरा सभ सँ कोन काज? हमरा सभ केँ नष्‍ट करऽ अयलहुँ की? हम अहाँ केँ चिन्‍हैत छी। अहाँ परमेश्‍वरक पवित्र दूत छी।”
24 "Que tens tu conosco, Jesus de Nazaré? Vieste perder-nos? Sei quem és: o Santo de Deus!
25 यीशु दुष्‍टात्‍मा केँ डाँटि कऽ कहलथिन, “चुप रह! तोँ एकरा मे सँ निकल!”
25 Mas Jesus intimou-o, dizendo: "Cala-te, sai deste homem!"
26 दुष्‍टात्‍मा ओहि आदमी केँ झकझोड़ैत आ जोर सँ चिचियाइत ओकरा मे सँ निकलि गेल।
26 O espírito imundo agitou-o violentamente e, dando um grande grito, saiu.
27 ई देखि सभ आदमी ततेक आश्‍चर्य-चकित भेल जे एक-दोसर केँ कहऽ लागल जे, “ई की बात? ई कोन प्रकारक नव उपदेश अछि? ई आदमी तँ अधिकारपूर्बक दुष्‍टात्‍मा सभ केँ सेहो आज्ञा दैत छथि और ओ सभ हिनकर बात मानैत छनि!”
27 Ficaram todos tão admirados, que perguntavam uns aos outros: "Que é isto? Eis um ensinamento novo, e feito com autoridade; além disso, ele manda até nos espíritos imundos e lhe obedecem!"
28 एहि सभ सँ यीशुक चर्चा बहुत जल्‍दी सम्‍पूर्ण गलील प्रदेश मे चारू कात पसरि गेलनि।
28 A sua fama divulgou-se logo por todos os arredores da Galiléia.
29 यीशु सभाघर सँ बाहर भऽ कऽ तुरत सिमोन और अन्‍द्रेयासक घर गेलाह। हुनका संग यूहन्‍ना और याकूब सेहो छलाह।
29 Assim que saíram da sinagoga, dirigiram-se com Tiago e João à casa de Simão e André.
30 सिमोनक सासु बोखार सँ पीड़ित ओछायन पर पड़ल छलीह। लोक सभ हुनका विषय मे यीशु केँ कहलकनि।
30 A sogra de Simão estava de cama, com febre; e sem tardar, falaram-lhe a respeito dela.
31 यीशु हुनका लग जा आ हुनकर हाथ पकड़ि कऽ उठौलथिन। हुनकर बोखार तुरत उतरि गेलनि और ओ हिनका सभक सेवा-सत्‍कार मे लागि गेलीह।
31 Aproximando-se ele, tomou-a pela mão e levantou-a; imediatamente a febre a deixou e ela pôs-se a servi-los.
32 ओही दिनक साँझ मे सूर्यास्‍‍तक बाद लोक सभ रोगी और दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी सभ केँ हुनका लग अनलकनि।
32 À tarde, depois do pôr-do-sol, levaram-lhe todos os enfermos e possessos do demônio.
33 ओहि नगरक सभ लोक घरक सामने जमा भऽ गेल।
33 Toda a cidade estava reunida diante da porta.
34 यीशु अनेक प्रकारक बिमारी सँ पीड़ित बहुत लोक सभ केँ नीक कयलनि, और बहुत लोक मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ सेहो निकाललनि। मुदा ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ बाजऽ नहि देलथिन किएक तँ यीशु के छथि से ओकरा सभ केँ बुझल छलैक।
34 Ele curou muitos que estavam oprimidos de diversas doenças, e expulsou muitos demônios. Não lhes permitia falar, porque o conheciam.
35 दोसर दिन यीशु अन्‍हरोखे उठि बाहर गेलाह और एकान्‍त स्‍थान मे जा कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह।
35 De manhã, tendo-se levantado muito antes do amanhecer, ele saiu e foi para um lugar deserto, e ali se pôs em oração.
36 सिमोन और हुनकर संगी सभ हुनका ताकऽ लेल गेलनि।
36 Simão e os seus companheiros saíram a procurá-lo.
37 भेँट भेला पर हुनका कहलथिन, “सभ केओ अहाँ केँ खोजि रहल अछि।”
37 Encontraram-no e disseram-lhe: "Todos te procuram."
38 तखन ओ उत्तर देलथिन जे, “अपना सभ कोनो दोसर ठाम चलू। लग-पासक आरो गाम-बजार सभ मे सेहो हम परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनायब, किएक तँ हम एही लेल आयल छी।”
38 E ele respondeu-lhes: "Vamos às aldeias vizinhas, para que eu pregue também lá, pois, para isso é que vim."
39 तेँ ओ पूरा गलील प्रदेश मे घुमलाह और ओकरा सभक सभाघर सभ मे जा कऽ उपदेश देलनि, और लोक सभ मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकाललथिन।
39 Ele retirou-se dali, pregando em todas as sinagogas e por toda a Galiléia, e expulsando os demônios.
40 एक बेर एकटा कुष्‍ठ-रोगी हुनका लग आबि ठेहुनिया रोपि कऽ हुनका सँ निवेदन कयलकनि जे, “अपने जँ चाही तँ हमरा शुद्ध कऽ सकैत छी।”
40 Aproximou-se dele um leproso, suplicando-lhe de joelhos: "Se queres, podes limpar-me."
41 यीशु केँ ओकरा पर दया आबि गेलनि और ओ अपन हाथ बढ़ा कऽ ओकरा छुबि कऽ कहलथिन, “हम अवश्‍य चाहैत छिअह! तोँ शुद्ध भऽ जाह।”
41 Jesus compadeceu-se dele, estendeu a mão, tocou-o e lhe disse: "Eu quero, sê curado."
42 तुरत्ते ओकर कुष्‍ठ-रोग ठीक भऽ गेलैक और ओ शुद्ध भऽ गेल।
42 E imediatamente desapareceu dele a lepra e foi purificado.
43 यीशु ओकरा ई कड़ा आदेश दऽ कऽ विदा कयलथिन जे,
43 Jesus o despediu imediatamente com esta severa admoestação:
44 “ई बात ककरो नहि कहिअहक। पुरोहित लग जा कऽ अपना केँ देखाबह। शुद्ध होयबाक विषय मे मूसाक लिखल नियमक अनुसार, जे बलिदान चढ़यबाक अछि से चढ़ाबह। एहि तरहेँ सभक लेल गवाही रहत जे तोँ शुद्ध भऽ गेल छह।”
44 "Vê que não o digas a ninguém; mas vai, mostra-te ao sacerdote e apresenta, pela tua purificação, a oferenda prescrita por Moisés para lhe servir de testemunho."
45 मुदा ओ एहि घटनाक विषय मे सभ केँ जा कऽ कहि देलकैक, जकर फल ई भेल जे यीशु आब खुलि कऽ कोनो नगर मे नहि जा सकैत छलाह। ओ शहर सँ बाहर एकान्‍त मे रहऽ लगलाह मुदा तैयो लोक सभ चारू दिस सँ हुनका लग अबैत-जाइत छलनि।
45 Este homem, porém, logo que se foi, começou a propagar e divulgar o acontecido, de modo que Jesus não podia entrar publicamente numa cidade. Conservava-se fora, nos lugares despovoados; e de toda parte vinham ter com ele.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.