Marcos 16

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 विश्रामक दिन बितला पर मरियम मग्‍दलीनी, याकूबक माय मरियम, और सलोमी जा कऽ सुगन्‍धित तेल किनलनि, जाहि सँ यीशुक लास पर लगबथि।
1 Passado o sábado, Maria Madalena, Maria, mãe de Tiago, e Salomé compraram óleos aromáticos para ungir o corpo de Jesus.
2 तखन प्रात भेने जे कि सप्‍ताहक पहिल दिन छल, भोरगरे सुर्योदय काल मे ओ सभ कबर पर गेलीह।
2 E, bem cedo, no primeiro dia da semana, ao nascer do sol, foram ao túmulo.
3 रस्‍ता मे एक-दोसर केँ कहैत छलीह जे, “अपना सभक लेल कबरक मुँह पर सँ पाथर केँ के हटा देत?”
3 Diziam umas às outras: — Quem nos removerá a pedra da entrada do túmulo?
4 ओ पाथर तँ बहुत बड़का छल। तखन कबर दिस तकैत ओ सभ देखलनि जे पाथर हटाओल गेल अछि।
4 E, olhando, viram que a pedra já estava removida. É que a pedra era muito grande.
5 ओ सभ कबर मे पैसि कऽ दहिना कात मे एक युवक केँ बैसल देखलनि, जे लम्‍बा उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने छलाह। ओ सभ एकदम आश्‍चर्य-चकित भऽ गेलीह।
5 Entrando no túmulo, viram um jovem sentado ao lado direito, vestido de branco, e ficaram atemorizadas.
6 युवक हुनका सभ केँ कहलथिन जे “चकित नहि होउ! अहाँ सभ नासरतक निवासी यीशु केँ खोजैत छिऐन, जिनका क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलनि। ओ जीबि उठलाह! एतऽ नहि छथि! देखू, एही जगह पर हुनका राखल गेल छलनि।
6 Ele, porém, lhes disse: — Não tenham medo! Vocês procuram Jesus, o Nazareno, que foi crucificado; ele ressuscitou, não está aqui; vejam o lugar onde o tinham colocado.
7 मुदा अहाँ सभ जाउ, और शिष्‍य सभ केँ—पत्रुस केँ सेहो—ई कहि देबनि जे, ‘ओ अहाँ सभ सँ पहिने, जहिना अहाँ सभ केँ कहने छलाह, गलील जा रहल छथि, ओतऽ हुनका सँ भेँट होयत।’ ”
7 Mas vão e digam aos discípulos dele e a Pedro que ele vai adiante de vocês para a Galileia; lá vocês o verão, como ele disse.
8 ओ स्‍त्रीगण सभ आश्‍चर्य सँ कँपैत कबर मे सँ निकलि कऽ भगलीह। ओ सभ डर सँ ककरो किछु नहि कहलथिन।
8 E, saindo elas, fugiram do sepulcro, porque estavam tomadas de temor e assombro. E não contaram nada a ninguém, porque estavam com medo.
9 [यीशु सप्‍ताहक पहिल दिन भोरे मृत्‍यु सँ जीबि उठि कऽ सभ सँ पहिने मरियम मग्‍दलीनी केँ देखाइ देलथिन, जकरा मे सँ ओ सातटा दुष्‍टात्‍मा निकालने रहथिन।
9 [Havendo Jesus ressuscitado de manhã cedo no primeiro dia da semana, apareceu primeiro a Maria Madalena, da qual tinha expulsado sete demônios.
10 ओ जा कऽ, यीशुक संगी सभ केँ, जे शोक सँ कनैत छलाह, ई समाचार कहलथिन।
10 E, partindo ela, foi anunciá-lo àqueles que, tendo sido companheiros de Jesus, estavam tristes e choravam.
11 मुदा मरियमक बात सुनि कऽ जे यीशु फेर जीबि उठलाह और ओ हमरा भेँट भेलाह, से बात ओ सभ नहि पतिअयलाह।
11 Estes, ouvindo que ele vivia e que tinha sido visto por ela, não acreditaram.
12 एकरा बाद जखन हुनका सभ मे सँ दू व्‍यक्‍ति गाम दिस जा रहल छलाह, तखन यीशु हुनका सभ केँ दोसर रूप मे दर्शन देलथिन।
12 Depois disso, Jesus manifestou-se em outra forma a dois deles que estavam a caminho do campo.
13 ई सभ घूमि आबि कऽ आरो शिष्‍य सभ केँ एहि घटनाक बारे मे सुनौलनि, लेकिन हुनको सभक बात ओ सभ नहि पतिअयलाह।
13 E, indo, eles o anunciaram aos demais, mas também a estes dois eles não deram crédito.
14 बाद मे एगारहो शिष्‍य सभ केँ भोजन करैत काल यीशु हुनका सभ केँ दर्शन देलथिन। ओ हुनका सभक अविश्‍वास और मोनक कठोरताक कारणेँ हुनका सभ केँ डँटलथिन, किएक तँ ओ सभ ओहि व्‍यक्‍ति सभक बात केँ नहि पतिआयल छलाह जे व्‍यक्‍ति सभ यीशु केँ मृत्‍युक बाद जीवित देखने छलाह।
14 Finalmente, Jesus apareceu aos onze, quando estavam à mesa, e censurou-lhes a incredulidade e a dureza de coração, porque não deram crédito aos que o tinham visto já ressuscitado.
15 ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “पूरा संसार मे जा कऽ सभ मनुष्‍य केँ शुभ समाचार सुनबिऔक।
15 E disse-lhes:
16 जे व्‍यक्‍ति विश्‍वास करत और बपतिस्‍मा लेत तकरा उद्धार होयतैक, मुदा जे व्‍यक्‍ति विश्‍वास नहि करत से दोषी ठहराओल जायत।
16 Quem crer e for batizado será salvo; quem, porém, não crer será condenado.
17 जे सभ विश्‍वास करत से सभ ई चिन्‍ह सभ देखाओत—हमरा नाम सँ दुष्‍टात्‍मा केँ निकालत, अनजान भाषा मे बाजत,
17 Estes sinais acompanharão aqueles que creem: em meu nome, expulsarão demônios; falarão novas línguas;
18 जँ साँप उठा लेत वा विष पी लेत तँ ओकरा सभ केँ कोनो हानि नहि होयतैक। बिमार आदमी सभ पर हाथ राखत तँ ओ स्‍वस्‍थ भऽ जायत।”
18 pegarão em serpentes; e, se beberem alguma coisa mortífera, não lhes fará mal; se impuserem as mãos sobre enfermos, eles ficarão curados.
19 तखन प्रभु यीशु शिष्‍य सभ सँ बात कयलाक बाद स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह, और परमेश्‍वरक दहिना कात बैसलाह।
19 De fato, o Senhor Jesus, depois de lhes ter falado, foi recebido no céu e sentou-se à direita de Deus.
20 शिष्‍य सभ बाहर जा कऽ सभ जगह मे शुभ समाचारक प्रचार कयलनि। प्रभु हुनका सभक सहायता करैत रहलथिन, और प्रचारक संगे-संग जे चमत्‍कार देखाओल गेल तकरा द्वारा ओ अपन शुभ समाचारक सत्‍यता प्रमाणित कयलथिन।]
20 E eles foram e pregaram por toda parte, cooperando com eles o Senhor e confirmando a palavra por meio de sinais, que se seguiam.]

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.