Marcos 15

jivən səndesh (MAI) vs ARA

Sair da comparação
ARA Almeida Revista e Atualizada 1993
1 प्रात भेने भोरे-भोर मुख्‍यपुरोहित, बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ, धर्मशिक्षक सभ, और धर्म-महासभाक आरो सभ सदस्‍य निर्णय कऽ कऽ, यीशु केँ बान्‍हि देलथिन, और हुनका लऽ जा कऽ राज्‍यपाल पिलातुसक जिम्‍मा मे लगा देलथिन।
1 Logo pela manhã, entraram em conselho os principais sacerdotes com os anciãos, os escribas e todo o Sinédrio; e, amarrando a Jesus, levaram-no e o entregaram a Pilatos.
2 पिलातुस हुनका सँ पुछलथिन जे, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?” यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि रहल छी।”
2 Pilatos o interrogou: És tu o rei dos judeus? Respondeu Jesus: Tu o dizes.
3 तखन मुख्‍यपुरोहित सभ हुनका पर बहुत बातक दोष लगाबऽ लगलाह।
3 Então, os principais sacerdotes o acusavam de muitas coisas.
4 पिलातुस हुनका सँ फेर पुछलथिन जे, “की अहाँ कोनो उत्तर नहि देब? देखू, ई सभ अहाँ पर कतेक आरोप लगा रहल छथि!”
4 Tornou Pilatos a interrogá-lo: Nada respondes? Vê quantas acusações te fazem!
5 मुदा यीशु तैयो कोनो उत्तर नहि देलथिन। एहि सँ पिलातुस केँ बहुत आश्‍चर्य लगलनि।
5 Jesus, porém, não respondeu palavra, a ponto de Pilatos muito se admirar.
6 प्रत्‍येक साल फसह-पाबनिक अवसर पर राज्‍यपाल जनताक माँगक अनुसार एक कैदी केँ छोड़ि दैत छलाह।
6 Ora, por ocasião da festa, era costume soltar ao povo um dos presos, qualquer que eles pedissem.
7 एहि बेर आरो क्रान्‍तिकारी सभक संग जहल मे एक बरब्‍बा नामक कैदी छल जे आन्‍दोलन मे हत्‍या कयने छल।
7 Havia um, chamado Barrabás, preso com amotinadores, os quais em um tumulto haviam cometido homicídio.
8 भीड़ पिलातुसक लग मे आबि कऽ हुनका सँ माँग कयलकनि जे ओ अपन प्रथाक अनुसार ओकरा सभक लेल एक कैदी केँ छोड़ि देथि।
8 Vindo a multidão, começou a pedir que lhes fizesse como de costume.
9 ओ ओकरा सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “की अहाँ सभ चाहैत छी जे हम अहाँ सभक लेल ‘यहूदी सभक राजा’ केँ छोड़ि दी?”
9 E Pilatos lhes respondeu, dizendo: Quereis que eu vos solte o rei dos judeus?
10 ओ जनैत छलाह जे मुख्‍यपुरोहित सभ यीशु केँ ईर्ष्‍याक कारणेँ पकड़बौने छथि।
10 Pois ele bem percebia que por inveja os principais sacerdotes lho haviam entregado.
11 मुदा मुख्‍यपुरोहित सभ भीड़क लोक केँ एहि बातक लेल भड़कौलनि जे ओ सभ यीशु केँ नहि, बल्‍कि बरब्‍बा केँ छोड़ि देबाक लेल पिलातुस सँ माँग करय।
11 Mas estes incitaram a multidão no sentido de que lhes soltasse, de preferência, Barrabás.
12 पिलातुस ओकरा सभ केँ फेर कहलथिन, “तखन एकरा लऽ कऽ हम की करिऔक जकरा अहाँ सभ ‘यहूदी सभक राजा’ कहैत छी?”
12 Mas Pilatos lhes perguntou: Que farei, então, deste a quem chamais o rei dos judeus?
13 एहि पर ओ सभ बहुत जोर-जोर सँ हल्‍ला करऽ लागल जे, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
13 Eles, porém, clamavam: Crucifica-o!
14 मुदा पिलातुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “किएक? ओ कोन अपराध कयने अछि?” लेकिन ओ सभ आरो जोर-जोर सँ चिचियाय लागल जे, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
14 Mas Pilatos lhes disse: Que mal fez ele? E eles gritavam cada vez mais: Crucifica-o!
15 तखन पिलातुस लोक सभ केँ खुश करबाक उद्देश्‍य सँ ओकरा सभक लेल बरब्‍बा केँ छोड़ि देलथिन और यीशु केँ कोड़ा सँ पिटबा कऽ क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्‍मा लगा देलथिन।
15 Então, Pilatos, querendo contentar a multidão, soltou-lhes Barrabás; e, após mandar açoitar a Jesus, entregou-o para ser crucificado.
16 तखन सैनिक सभ हुनका राजभवनक आङन मे, जकरा “प्राईटोरियम” कहल जाइत छैक, लऽ गेलनि। ओहिठाम पूरा सैनिक-दल बजाओल गेल।
16 Então, os soldados o levaram para dentro do palácio, que é o pretório, e reuniram todo o destacamento.
17 ओ सभ हुनका बैगनी रंगक राजसी वस्‍त्र पहिरा देलकनि, और काँटक मुकुट बना कऽ हुनका माथ पर रखलकनि।
17 Vestiram-no de púrpura e, tecendo uma coroa de espinhos, lha puseram na cabeça.
18 ओ सभ हुनका कहऽ लगलनि जे, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!”
18 E o saudavam, dizendo: Salve, rei dos judeus!
19 ओ सभ छड़ी लऽ कऽ बेर-बेर हुनका मूड़ी पर मारलकनि, हुनका पर थूक फेकलकनि, और ठेहुनिया दऽ कऽ गोड़ लगलकनि।
19 Davam-lhe na cabeça com um caniço, cuspiam nele e, pondo-se de joelhos, o adoravam.
20 ओ सभ एहि तरहेँ यीशुक मजाक उड़ौलाक बाद हुनका देह पर सँ बैगनी रंग वला वस्‍त्र निकालि लेलकनि आ हुनकर अपन कपड़ा फेर पहिरा देलकनि। तकरबाद ओ सभ हुनका क्रूस पर लटकयबाक लेल शहर सँ बाहर लऽ गेलनि।
20 Depois de o terem escarnecido, despiram-lhe a púrpura e o vestiram com as suas próprias vestes. Então, conduziram Jesus para fora, com o fim de o crucificarem.
21 रस्‍ता मे कुरेन नगरक रहऽ वला सिमोन नामक एक आदमी, जे सिकन्‍दर और रूफुसक पिता छल, गाम सँ शहर दिस आबि रहल छल। ओकरा सिपाही सभ बलजोरी पकड़लक जे ओ यीशुक क्रूस उठा कऽ लऽ चलय।
21 E obrigaram a Simão Cireneu, que passava, vindo do campo, pai de Alexandre e de Rufo, a carregar-lhe a cruz.
22 यीशु केँ ओ सभ गुलगुता नामक जगह, जकर अर्थ अछि “खप्‍पड़ वला स्‍थान”, पर लऽ गेलनि।
22 E levaram Jesus para o Gólgota, que quer dizer Lugar da Caveira.
23 ओतऽ केओ मूर्र नामक तीत दवाइ दारू मे मिला कऽ हुनका पिबाक लेल देबऽ लगलनि मुदा ओ नहि लेलनि।
23 Deram-lhe a beber vinho com mirra; ele, porém, não tomou.
24 तखन यीशु केँ हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि। सिपाही सभ ककरा कोन कपड़ा भेटतैक ताहि लेल यीशुक कपड़ा पर चिट्ठा खसौलक। एहि तरहेँ ओ सभ हुनकर कपड़ा अपना मे बाँटि लेलक।
24 Então, o crucificaram e repartiram entre si as vestes dele, lançando-lhes sorte, para ver o que levaria cada um.
25 जखन ओ सभ यीशु केँ क्रूस पर चढ़ौलकनि तखन नौ बजे दिन छल।
25 Era a hora terceira quando o crucificaram.
26 हुनका विरोध मे जे दोष-पत्र लिखि कऽ टाँगल गेल ताहि पर ई लिखल छल, “यहूदी सभक राजा”।
26 E, por cima, estava, em epígrafe, a sua acusação: O Rei dos Judeus .
27 हुनका संगे दूटा डाकू केँ सेहो क्रूस पर चढ़ाओल गेल, एकटा हुनकर दहिना कात और दोसर बामा कात।
27 Com ele crucificaram dois ladrões, um à sua direita, e outro à sua esquerda.
28 [तहिना धर्मशास्‍त्रक वचन पूरा भऽ गेल जाहि मे लिखल अछि जे, “ओ अपराधी सभ मे सँ बुझल गेलाह।”]
28 [E cumpriu-se a Escritura que diz: Com malfeitores foi contado. ]
29 ओहि बाटे आबऽ-जाय वला लोक सभ माथ हिला-हिला कऽ हुनकर निन्‍दा करैत छलनि जे, “रे मन्‍दिर केँ तोड़ऽ वला और तीन दिन मे ओकरा बनाबऽ वला—
29 Os que iam passando, blasfemavam dele, meneando a cabeça e dizendo: Ah! Tu que destróis o santuário e, em três dias, o reedificas!
30 आब क्रूस पर सँ उतरि कऽ अपना केँ बचा!”
30 Salva-te a ti mesmo, descendo da cruz!
31 तहिना मुख्‍यपुरोहित लोकनि और धर्मशिक्षक सभ सेहो अपना मे यीशुक हँसी उड़बैत कहलनि, “ई आन लोक सभ केँ बचबैत रहल मुदा अपना केँ नहि बचा सकैत अछि!
31 De igual modo, os principais sacerdotes com os escribas, escarnecendo, entre si diziam: Salvou os outros, a si mesmo não pode salvar-se;
32 ई उद्धारकर्ता-मसीह, इस्राएलक राजा, एखन क्रूस पर सँ उतरि आबओ जाहि सँ हम सभ देखिऐक और विश्‍वास करिऐक!” यीशुक संग जे सभ क्रूस पर चढ़ाओल गेल छल, सेहो सभ हुनकर निन्‍दा करऽ लगलनि।
32 desça agora da cruz o Cristo, o rei de Israel, para que vejamos e creiamos. Também os que com ele foram crucificados o insultavam.
33 बारह बजे दिन मे पूरा देश अन्‍हार-कुप्‍प भऽ गेल, और तीन बजे तक ओहिना रहल।
33 Chegada a hora sexta, houve trevas sobre toda a terra até a hora nona.
34 लगभग तीन बजे मे यीशु बहुत जोर सँ बजलाह जे, “एली, एली, लामा सबक्‍तनी?” जकर अर्थ ई अछि, “हे हमर परमेश्‍वर, हे हमर परमेश्‍वर, हमरा अहाँ किएक छोड़ि देलहुँ?”
34 À hora nona, clamou Jesus em alta voz: Eloí, Eloí, lamá sabactâni? Que quer dizer: Deus meu, Deus meu, por que me desamparaste?
35 लग मे ठाढ़ किछु लोक ई सुनि कहलक जे, “सुनू!—ओ एलियाह केँ बजा रहल अछि।”
35 Alguns dos que ali estavam, ouvindo isto, diziam: Vede, chama por Elias!
36 एक आदमी दौड़ि कऽ गेल आ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से लऽ कऽ तिताह दारू मे डुबा लेलक, तखन ओकरा लाठीक हूर पर अटका कऽ ऊपर हुनका मुँह लग पिबाक लेल देलकनि आ बाजल, “आब अपना सभ देखी जे एलियाह एकरा क्रूस पर सँ उतारबाक लेल अबैत छथि कि नहि।”
36 E um deles correu a embeber uma esponja em vinagre e, pondo-a na ponta de um caniço, deu-lhe de beber, dizendo: Deixai, vejamos se Elias vem tirá-lo!
37 तकरबाद यीशु बहुत जोर सँ आवाज दैत अपन प्राण त्‍यागि देलनि।
37 Mas Jesus, dando um grande brado, expirou.
38 मन्‍दिर मे जे परदा छलैक से ऊपर सँ नीचाँ तक चिरा कऽ दू भाग मे फाटि गेल।
38 E o véu do santuário rasgou-se em duas partes, de alto a baixo.
39 रोमी कप्‍तान जे यीशुक सामने मे ठाढ़ छल, ई देखि जे यीशु कोना मरलाह बाजल, “सत्‍ये ई आदमी परमेश्‍वरक पुत्र छलाह!”
39 O centurião que estava em frente dele, vendo que assim expirara, disse: Verdadeiramente, este homem era o Filho de Deus.
40 किछु स्‍त्रीगण सभ छलीह जे दूरे सँ देखि रहल छलीह। हुनका सभ मे मरियम मग्‍दलीनी, छोटका याकूब और योसेसक माय मरियम, और सलोमी सेहो छलीह।
40 Estavam também ali algumas mulheres, observando de longe; entre elas, Maria Madalena, Maria, mãe de Tiago, o menor, e de José, e Salomé;
41 ई सभ गलील प्रदेश मे यीशुक संगे-संग घूमि कऽ हुनकर सेवा कयने छलीह। ओहिठाम आरो बहुत स्‍त्रीगण सेहो छलि जे हुनका संग यरूशलेम आयल छलि।
41 as quais, quando Jesus estava na Galileia, o acompanhavam e serviam; e, além destas, muitas outras que haviam subido com ele para Jerusalém.
42 ई सभ घटना विश्रामक दिन सँ एक दिन पहिने भेल छल, जाहि दिन विश्राम-दिनक लेल तैयारी कयल जाइत अछि। तेँ साँझ भेला पर
42 Ao cair da tarde, por ser o dia da preparação, isto é, a véspera do sábado,
43 अरिमतिया नगरक यूसुफ नामक महासभाक एक प्रतिष्‍ठित सदस्‍य, जे परमेश्‍वरक राज्‍यक बाट सेहो तकैत छलाह, से साहसक संग पिलातुसक ओहिठाम जा कऽ यीशुक लास मँगलनि।
43 vindo José de Arimateia, ilustre membro do Sinédrio, que também esperava o reino de Deus, dirigiu-se resolutamente a Pilatos e pediu o corpo de Jesus.
44 पिलातुस केँ आश्‍चर्य लगलनि जे यीशु एतेक जल्‍दी कोना मरि गेलाह, तेँ सेनाक कप्‍तान केँ बजबा कऽ ओकरा सँ पुछलथिन जे, “की यीशु एखने मरि गेल अछि?”
44 Mas Pilatos admirou-se de que ele já tivesse morrido. E, tendo chamado o centurião, perguntou-lhe se havia muito que morrera.
45 कप्‍तान सँ एहि बातक पता लगा कऽ पिलातुस यूसुफ केँ यीशुक लास लऽ जयबाक अनुमति दऽ देलथिन।
45 Após certificar-se, pela informação do comandante, cedeu o corpo a José.
46 यूसुफ मलमलक कपड़ा किनि कऽ यीशुक लास क्रूस पर सँ उतारि लेलनि और ओहि कपड़ा मे लपेटि देलथिन। तखन पाथर मे काटि कऽ बनाओल कबर मे लास केँ राखि देलथिन, और कबरक मुँह पर एक पाथर गुड़का कऽ लगा देलनि।
46 Este, baixando o corpo da cruz, envolveu-o em um lençol que comprara e o depositou em um túmulo que tinha sido aberto numa rocha; e rolou uma pedra para a entrada do túmulo.
47 मरियम मग्‍दलीनी आ योसेसक माय मरियम देखलनि जे यीशु कतऽ राखल गेलाह।
47 Ora, Maria Madalena e Maria, mãe de José, observaram onde ele foi posto.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Marcos 15, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.