Lucas 7

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 यीशु ई सभ उपदेश लोक सभ केँ सुनौलाक बाद कफरनहूम नगर मे अयलाह।
1 Quando Jesus acabou de dizer essas coisas ao povo, foi para a cidade de Cafarnaum.
2 ओतऽ रोमी सेनाक एकटा कप्‍तान छलाह जिनकर अति प्रिय नोकर बिमार भऽ कऽ मरऽ पर छलनि।
2 Havia ali um oficial romano que tinha um empregado a quem estimava muito. O empregado estava gravemente doente, quase morto.
3 ओ कप्‍तान यीशुक बारे मे सुनि कऽ हुनका लग किछु यहूदी बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ केँ निवेदन करबाक लेल पठौलथिन जे ओ आबि कऽ हुनका नोकर केँ स्‍वस्‍थ कऽ देथि।
3 Quando o oficial ouviu falar de Jesus, enviou alguns líderes judeus para pedirem a ele que viesse curar o seu empregado.
4 ओ सभ यीशु लग पहुँचि कऽ बहुत आग्रहपूर्बक विनती कयलथिन जे, “ओ आदमी एहि जोगरक छथि जे अहाँ हुनकर ई काज कऽ दियनि।
4 Eles foram falar com Jesus e lhe pediram com insistência: — Esse homem merece, de fato, a sua ajuda,
5 ओ अपना सभक जाति सँ प्रेम करैत छथि, और हमरा सभक सभाघर वैह बनबा देने छथि।”
5 pois estima muito o nosso povo e até construiu uma sinagoga para nós.
6 यीशु हुनका सभक संग विदा भऽ गेलथिन। ओ जखन कप्‍तानक घरक लग मे पहुँचलाह तँ कप्‍तान अपन किछु संगी सभ केँ हुनका लग ई कहबाक लेल पठौलथिन जे, “यौ प्रभु, अपने आरो कष्‍ट नहि कयल जाओ। हम एहि जोगरक नहि छी जे अपने हमरा घर मे आबी,
6 Então Jesus foi com eles. Porém, quando já estava perto da casa, o oficial romano mandou alguns amigos dizerem a Jesus: — Senhor, não se incomode, pois eu não mereço que entre na minha casa.
7 आ ने हम अपना केँ एहू जोगरक बुझलहुँ जे हम अपने लग जाइ। तेँ मात्र आज्ञा देल जाओ और हमर नोकर स्‍वस्‍थ भऽ जायत।
7 E acho também que não mereço a honra de falar pessoalmente com o senhor. Dê somente uma ordem, e o meu empregado ficará bom.
8 कारण हमहूँ शासनक अधीन मे छी, और हमरा अधीन मे सैनिक सभ अछि। हम एकटा केँ कहैत छिऐक, ‘जाह,’ तँ ओ जाइत अछि; दोसर केँ कहैत छिऐक, ‘आबह,’ तँ ओ अबैत अछि। अपना नोकर केँ कहैत छिऐक, ‘ई काज करह,’ तँ ओ करैत अछि।”
8 Eu também estou debaixo da autoridade de oficiais superiores e tenho soldados que obedecem às minhas ordens. Digo para um: “Vá lá”, e ele vai. Digo para outro: “Venha cá”, e ele vem. E digo também para o meu empregado: “Faça isto”, e ele faz.
9 कप्‍तानक एहि बात सभ सँ यीशु केँ आश्‍चर्य लगलनि। ओ भीड़क लोक सभ जे हुनका पाछाँ चलि रहल छल तकरा सभक दिस घूमि कऽ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एहन विश्‍वास हमरा कतौ नहि भेटल अछि—इस्राएलिओ सभ मे नहि।”
9 Jesus ficou muito admirado quando ouviu isso. Então virou-se e disse para a multidão que o seguia:
10 कप्‍तानक पठाओल संगी सभ जखन घुरि कऽ अयलाह तँ देखलनि जे नोकर एकदम स्‍वस्‍थ भऽ गेल अछि।
10 Aí os amigos do oficial voltaram para a casa dele e encontraram o empregado curado.
11 किछु दिनक बाद यीशु नाइन नामक नगर गेलाह। हुनका संग हुनकर शिष्‍य सभ और बहुत बड़का भीड़ सेहो छलनि।
11 Pouco tempo depois Jesus foi para uma cidade chamada Naim. Os seus discípulos e uma grande multidão foram com ele.
12 यीशु जखन नगरक फाटक लग पहुँचलाह तँ देखैत छथि जे लोक सभ एक मुइल आदमी केँ नगर सँ बाहर लऽ जा रहल अछि। ओ मुइल आदमी अपना मायक एकमात्र बेटा छल और ओकर माय विधवा छलैक। विधवाक संग नगरक बहुते लोक सभ छलैक।
12 Quando ele estava chegando perto do portão da cidade, ia saindo um enterro. O defunto era filho único de uma viúva, e muita gente da cidade ia com ela.
13 ओकरा देखि कऽ प्रभु केँ बहुत दया लगलनि, और ओ कहलथिन, “नहि कानह।”
13 Quando o Senhor a viu, ficou com muita pena dela e disse:
14 तकरबाद ओ आगाँ बढ़ि कऽ अर्थी केँ छुलनि। ताहि पर कान्‍ह देनिहार सभ ठाढ़ भऽ गेल। ओ कहलथिन, “हौ युवक, हम तोरा कहैत छिअह, उठह!”
14 Então ele chegou mais perto e tocou no caixão. E os que o estavam carregando pararam. Então Jesus disse:
15 मुइल आदमी उठि बैसल, और बाजऽ लागल। यीशु ओकरा मायक जिम्‍मा मे लगा देलथिन।
15 O moço sentou-se no caixão e começou a falar, e Jesus o entregou à mãe.
16 ई देखि लोक सभ केँ बड़का डर सन्‍हिया गेलैक। ओ सभ परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत कहऽ लागल, “हमरा सभक बीच मे परमेश्‍वरक एक पैघ प्रवक्‍ता आबि गेल छथि! परमेश्‍वर अपना लोक पर दया करबाक लेल उतरि आयल छथि!”
16 Todos ficaram com muito medo e louvavam a Deus, dizendo: — Que grande
17 यीशुक सम्‍बन्‍ध मे ई खबरि सौंसे यहूदिया प्रदेश मे और लग-पासक सभ क्षेत्र मे पसरि गेल।
17 Essas notícias a respeito de Jesus se espalharam por todo o país e pelas regiões vizinhas.
18 यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ हुनका एहि सभ बातक बारे मे कहि सुनौलथिन। एहि पर यूहन्‍ना अपना शिष्‍य सभ मे सँ दू गोटे केँ बजा कऽ ई बात पुछबाक लेल प्रभु लग पठौलथिन जे,
18 Os discípulos de João Batista contaram tudo isso a ele. Aí João chamou dois deles
19 “ओ जे आबऽ वला छलाह, से की अहीं छी, वा हम सभ दोसराक बाट ताकू?”
19 e os enviou ao Senhor Jesus para perguntarem: “O senhor é aquele que ia chegar ou devemos esperar outro?”
20 ओ सभ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना हमरा सभ केँ अहाँ सँ ई पुछबाक लेल पठौलनि अछि जे, ओ जे आबऽ वला छलाह, से की अहीं छी, वा हम सभ दोसराक बाट ताकू?”
20 Então eles foram até o lugar onde Jesus estava e disseram: — João Batista nos mandou perguntar o seguinte: o senhor é aquele que ia chegar ou devemos esperar outro?
21 ओही काल मे यीशु बहुत लोक केँ बिमारी, पीड़ा और दुष्‍टात्‍मा सभ सँ मुक्‍त कऽ देलथिन, और बहुत आन्‍हर सभ केँ देखबाक शक्‍ति देलथिन।
21 Naquele momento Jesus curou muitas pessoas das suas doenças e dos seus sofrimentos, expulsou espíritos maus e também curou muitos cegos.
22 तखन ओ यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ केँ उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ जे किछु देखलहुँ और सुनलहुँ से सभ बात जा कऽ यूहन्‍ना केँ सुना दिऔन—आन्‍हर सभ देखि रहल अछि, नाङड़ सभ चलि-फिरि रहल अछि, कुष्‍ठ-रोगी सभ स्‍वस्‍थ कयल जा रहल अछि, बहीर सभ सुनि रहल अछि, मुइल सभ जिआओल जा रहल अछि, और असहाय सभ केँ शुभ समाचार सुनाओल जा रहल छैक।
22 Depois respondeu aos discípulos de João:
23 धन्‍य अछि ओ जे हमरा कारणेँ अपना विश्‍वास केँ नहि छोड़ैत अछि।”
23 E felizes são as pessoas que não duvidam de mim!
24 यूहन्‍ना द्वारा पठाओल शिष्‍य सभ जखन चल गेलाह तँ यीशु यूहन्‍नाक बारे मे भीड़क संग बात करैत पुछलथिन, “अहाँ सभ निर्जन क्षेत्र मे की देखबाक लेल गेल छलहुँ? हवा सँ हिलैत खड़ही केँ?...
24 Quando os discípulos de João foram embora, Jesus começou a dizer ao povo o seguinte a respeito de João:
25 तखन की देखऽ लेल निकलल छलहुँ? बढ़ियाँ-बढ़ियाँ वस्‍त्र पहिरने कोनो मनुष्‍य केँ? नहि, कारण जे सभ नीक-नीक वस्‍त्र पहिरैत अछि और सुख-विलासक जीवन बितबैत अछि, से सभ राजभवन मे भेटैत अछि।
25 O que foram ver? Um homem bem-vestido? Ora, os que se vestem bem e vivem no luxo moram nos palácios!
26 तँ फेर की देखबाक लेल गेल छलहुँ? परमेश्‍वरक एकटा प्रवक्‍ता केँ? हँ! हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, प्रवक्‍तो सँ पैघ व्‍यक्‍ति केँ देखलहुँ!
26 Então me digam: o que foram ver? Um
27 ई वैह दूत छथि जिनका सम्‍बन्‍ध मे धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
27 Porque João é aquele a respeito de quem as
28 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, मनुष्‍य सभ मे यूहन्‍ना सँ पैघ केओ कहियो जन्‍म नहि लेने अछि। तैयो परमेश्‍वरक राज्‍य मे जे सभ सँ छोट अछि, से हुनका सँ पैघ अछि।
28 — Eu digo a vocês que de todos os homens que já nasceram João é o maior. Porém quem é o menor no
29 “सभ लोक—कर असूल करऽ वला सभ सेहो—यूहन्‍नाक बात सुनि कऽ ई मानि लेलक जे परमेश्‍वरक बात ठीक अछि, कारण ओ सभ यूहन्‍ना सँ बपतिस्‍मा लेलक।
29 Os cobradores de impostos e todo o povo ouviram isso. Eles eram aqueles que haviam obedecido às ordens justas de Deus e tinham sido batizados por João.
30 मुदा फरिसी और धर्म-नियमक पंडित सभ हुनका सँ बपतिस्‍मा नहि लऽ कऽ हुनका सभक लेल जे परमेश्‍वरक योजना छलनि, तकरा ओ सभ व्‍यर्थ कऽ लेलनि।”
30 Mas os fariseus e os mestres da Lei não quiseram ser batizados por João e assim rejeitaram o plano de Deus para eles.
31 यीशु आगाँ कहलथिन, “तँ एहि पीढ़ीक लोकक तुलना हम कोन बात सँ करू जे ई सभ केहन अछि?
31 E Jesus terminou, dizendo:
32 ई सभ बजार मे बैसल ओहि बच्‍चा सभ सनक अछि जे, एक-दोसर केँ सोर पारि कऽ कहैत अछि,
32 Elas são como crianças sentadas na praça. Um grupo grita para o outro:
33 कारण, बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना अयलाह, और लोक सभ जकाँ रोटी नहि खाइत छथि, मदिरा नहि पिबैत छथि तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ‘ओकरा मे दुष्‍टात्‍मा छैक।’
33 João Batista jejua e não bebe vinho, e vocês dizem: “Ele está dominado por um demônio.”
34 मनुष्‍य-पुत्र आयल, और खाइत-पिबैत अछि, तँ अहाँ सभ कहैत छी जे, ‘यैह देखू! केहन पेटू आ पिअक्‍कड़! कर असूल करऽ वला आ पापी सभक संगी!’
34 O
35 मुदा परमेश्‍वरक बुद्धि ठीक अछि, से बात तेहन लोक द्वारा प्रमाणित होइत अछि जे सभ ओहि बुद्धिक अनुसार चलैत अछि।”
35 Mas aqueles que aceitam a sabedoria de Deus mostram que ela é verdadeira.
36 एक फरिसी यीशु केँ अपना संग भोजन करबाक निमन्‍त्रण देलथिन। यीशु हुनका घर गेलाह, और भोजन करबाक लेल बैसलाह।
36 Um fariseu convidou Jesus para jantar. Jesus foi até a casa dele e sentou-se para comer.
37 ओहि नगर मे रहऽ वाली एकटा स्‍त्रीगण, जे पापी जीवन बितबैत छलि, जखन सुनलक जे यीशु ओहि फरिसीक घर मे भोजन पर बैसल छथि, तँ ओ संगमरमरक बर्तन मे सुगन्‍धित तेल लऽ कऽ आयल।
37 Naquela cidade morava uma mulher de má fama. Ela soube que Jesus estava jantando na casa do fariseu. Então pegou um frasco feito de alabastro , cheio de perfume,
38 कनैत-कनैत ओ यीशुक पाछाँ पयर लग ठाढ़ भेलि, और ओकर नोर हुनकर पयर पर खसैत छलैक। ओ हुनकर पयर अपना केश सँ पोछऽ लगलनि, और पयरक चुम्‍मा लैत ओहि पर तेल लगाबऽ लगलनि।
38 e ficou aos pés de Jesus, por trás. Ela chorava e as suas lágrimas molhavam os pés dele. Então ela os enxugou com os seus próprios cabelos. Ela beijava os pés de Jesus e derramava o perfume neles.
39 ओ फरिसी जे हुनका बजौने छलथिन से ई देखि अपना मोन मे सोचलनि, “ई आदमी जँ वास्‍तव मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता रहैत तँ केहन स्‍त्री ओकरा छुबि रहल छैक, से ओ जनने रहैत—ओ बुझि जाइत जे ई केहन पापिनि अछि!”
39 Quando o fariseu viu isso, pensou assim: “Se este homem fosse, de fato, um profeta , saberia quem é esta mulher que está tocando nele e a vida de pecado que ela leva.”
40 यीशु जबाब देलथिन, “सिमोन, हमरा अहाँ केँ किछु कहबाक अछि।” ओ कहलथिन, “गुरुजी, बाजू ने।”
40 Jesus então disse ao fariseu: — Fale, Mestre! — respondeu Simão.
41 “कोनो महाजन केँ दूटा ऋणी छलनि। ओहि मे सँ एकटा पर पाँच सय ‘दिनार’ ऋण छलनि, आ दोसर पर पचास ‘दिनार’।
41 Jesus disse:
42 दूनू लग अपन ऋण चुकयबाक लेल किछु नहि छलैक, तँ महाजन दूनू केँ माफ कऽ देलथिन। आब ओहि दूनू मे सँ कोन हुनका बेसी मानतनि?”
42 mas nenhum dos dois podia pagar ao homem que havia emprestado. Então ele perdoou a dívida de cada um. Qual deles vai estimá-lo mais?
43 सिमोन उत्तर देलथिन, “हमरा होइत अछि जे ओ, जकर बेसी ऋण माफ भेलैक।”
43 — Eu acho que é aquele que foi mais perdoado! — respondeu Simão.
44 तखन ओहि स्‍त्रीगणक दिस घूमि कऽ ओ सिमोन केँ कहलथिन, “एहि स्‍त्री केँ देखैत छिऐक? हम अहाँक घर मे अयलहुँ, तँ अहाँ हमरा पयर धोबाक लेल पानि नहि देलहुँ, मुदा ई हमर पयर अपन नोर सँ धोलक आ केश सँ पोछलक।
44 Então virou-se para a mulher e disse a Simão:
45 अहाँ चुम्‍मा लऽ कऽ हमर स्‍वागत नहि कयलहुँ, मुदा जखने हम घर मे अयलहुँ तखने सँ ई हमर पयरक चुम्‍मा लैते अछि।
45 Você não me beijou quando cheguei; ela, porém, não para de beijar os meus pés desde que entrei.
46 अहाँ हमर माथ मे तेल नहि लगौलहुँ, मुदा ई हमर पयर पर सुगन्‍धित तेल लगौलक।
46 Você não pôs azeite perfumado na minha cabeça , porém ela derramou perfume nos meus pés.
47 तेँ, हम अहाँ केँ कहैत छी जे, एकर पाप, जे बहुते अछि, से सभ माफ कयल गेल अछि, कारण देखू—कतेक प्रेम कयलक! मुदा जकरा कम माफ भेल छैक, से कम प्रेम करैत अछि।”
47 Eu afirmo a você, então, que o grande amor que ela mostrou prova que os seus muitos pecados já foram perdoados. Mas onde pouco é perdoado, pouco amor é mostrado.
48 तखन ओ स्‍त्री केँ कहलथिन, “तोहर पाप माफ भेलह।”
48 Então Jesus disse à mulher:
49 जे सभ हुनका संग भोजन पर बैसल छल, से सभ अपना मे कहऽ लागल, “ई के छथि जे पापो माफ करैत छथि?”
49 Os que estavam sentados à mesa começaram a perguntar: — Que homem é esse que até perdoa pecados?
50 यीशु स्‍त्री केँ कहलथिन, “तोहर विश्‍वास तोरा उद्धार देलकह। शान्‍ति सँ जाह।”
50 Mas Jesus disse à mulher:

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 7, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.