Lucas 4

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 यीशु पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ यरदन नदी सँ घुमलाह। तखन पवित्र आत्‍मा हुनका निर्जन क्षेत्र मे लऽ गेलथिन,
1 Jesus, pois, cheio do Espírito Santo, voltou do Jordão; e era levado pelo Espírito no deserto,
2 जतऽ चालिस दिन धरि शैतान हुनका सँ पाप करयबाक प्रयत्‍न कयलकनि। एहि चालिस दिन मे ओ किछु नहि खयलनि, और एतेक दिन बितला पर हुनका बहुत भूख लागल छलनि।
2 durante quarenta dias, sendo tentado pelo Diabo. E naqueles dias não comeu coisa alguma; e terminados eles, teve fome.
3 तँ शैतान हुनका कहलकनि, “तोँ जँ परमेश्‍वरक पुत्र छह तँ एहि पाथर केँ रोटी बनि जयबाक आज्ञा दहक।”
3 Disse-lhe então o Diabo: Se tu és Filho de Deus, manda a esta pedra que se torne em pão.
4 यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, मनुष्‍य मात्र रोटिए सँ नहि जीवित रहत।”
4 Jesus, porém, lhe respondeu: Está escrito: Nem só de pão viverá o homem.
5 तखन शैतान हुनका ऊँच स्‍थान मे लऽ जा कऽ एके क्षण मे संसारक सभ राज्‍य देखा देलकनि
5 Então o Diabo, levando-o a um lugar elevado, mostrou-lhe num relance todos os reinos do mundo.
6 आ कहलकनि, “हम तोरा एहि सभ राज्‍यक अधिकार आ वैभव दऽ देबह, कारण ई सभ हमरे जिम्‍मा मे दऽ देल गेल अछि, आ हम जकरा ककरो चाहबैक तकरा दऽ सकैत छिऐक।
6 E disse-lhe: Dar-te-ei toda a autoridade e glória destes reinos, porque me foi entregue, e a dou a quem eu quiser;
7 तेँ तोँ जँ हमर उपासना करबह तँ ई सभ तोहर भऽ गेलह।”
7 se tu, me adorares, será toda tua.
8 यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, ‘तोँ अपना प्रभु-परमेश्‍वरेक उपासना करहुन और मात्र हुनके सेवा करहुन।’”
8 Respondeu-lhe Jesus: Está escrito: Ao Senhor teu Deus adorarás, e só a ele servirás.
9 शैतान हुनका यरूशलेम लऽ जा कऽ मन्‍दिरक सभ सँ ऊँच स्‍थान पर ठाढ़ कऽ कऽ कहलकनि, “तोँ जँ परमेश्‍वरक पुत्र छह, तँ एतऽ सँ नीचाँ कुदि जाह,
9 Então o levou a Jerusalém e o colocou sobre o pináculo do templo e lhe disse: Se tu és Filho de Deus, lança-te daqui abaixo;
10 कारण धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
10 porque está escrito: Aos seus anjos ordenará a teu respeito, que te guardem;
11 और ओ सभ अपना कोरा मे तोरा लोकि लेथुन,
11 e: eles te susterão nas mãos, para que nunca tropeces em alguma pedra.
12 यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्रक कथन इहो अछि, ‘अपन प्रभु-परमेश्‍वरक जाँच नहि करहुन।’”
12 Respondeu-lhe Jesus: Dito está: Não tentarás o Senhor teu Deus.
13 शैतान जखन हुनका सँ सभ ढंग सँ पाप करयबाक प्रयत्‍न कऽ चुकल तँ ओ ओतऽ सँ चल गेल आ दोसर उपयुक्‍त अवसरक ताक मे रहऽ लागल।
13 Assim, tendo o Diabo acabado toda sorte de tentação, retirou-se dele até ocasião oportuna.
14 यीशु गलील प्रदेश मे घूमि कऽ चल अयलाह, और पवित्र आत्‍माक सामर्थ्‍य हुनका संग छलनि। ओहि क्षेत्रक सभ ठाम हुनकर चर्चा पसरि गेलनि।
14 Então voltou Jesus para a Galiléia no poder do Espírito; e a sua fama correu por toda a circunvizinhança.
15 ओ सभाघर सभ मे शिक्षा दैत छलथिन, आ सभ लोक हुनकर प्रशंसा करैत छलनि।
15 Ensinava nas sinagogas deles, e por todos era louvado.
16 एक दिन यीशु नासरत नगर अयलाह, जतऽ हुनकर पालन-पोषण भेल छलनि। ओ अपना आदतक अनुसार विश्राम-दिन सभाघर मे गेलाह। ओ धर्मशास्‍त्रक पाठ पढ़बाक लेल ठाढ़ भेलाह,
16 Chegando a Nazaré, onde fora criado; entrou na sinagoga no dia de sábado, segundo o seu costume, e levantou-se para ler.
17 तँ हुनका परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाहक पुस्‍तक देल गेलनि। ओ पुस्‍तक खोलि कऽ ओहि ठाम सँ पढ़ऽ लगलाह जतऽ लिखल अछि जे,
17 Foi-lhe entregue o livro do profeta Isaías; e abrindo-o, achou o lugar em que estava escrito:
18 “प्रभुक आत्‍मा हमरा पर छथि;
18 O Espírito do Senhor está sobre mim, porquanto me ungiu para anunciar boas novas aos pobres; enviou-me para proclamar libertação aos cativos, e restauração da vista aos cegos, para pôr em liberdade os oprimidos,
19 और एहि बातक घोषणा करी जे,
19 e para proclamar o ano aceitável do Senhor.
20 ई पाठ पढ़लाक बाद यीशु पुस्‍तक बन्‍द कऽ कऽ सभाघरक सेवक केँ दऽ देलथिन आ बैसि गेलाह। सभ केओ एकटक लगा कऽ हुनका दिस ताकि रहल छल।
20 E fechando o livro, devolveu-o ao assistente e sentou-se; e os olhos de todos na sinagoga estavam fitos nele.
21 तखन ओ बजलाह, “आइ धर्मशास्‍त्रक ई लेख अहाँ सभक समक्ष मे पूरा भऽ गेल।”
21 Então começou a dizer-lhes: Hoje se cumpriu esta escritura aos vossos ouvidos.
22 सभ केओ हुनकर प्रशंसा कयलकनि और आश्‍चर्यित भेल जे ओ एतेक नीक-नीक बात सभ कहैत छथि। सभ कहैत छल, “की ई यूसुफेक बेटा नहि छथि?”
22 E todos lhe davam testemunho, e se admiravam das palavras de graça que saíam da sua boca; e diziam: Este não é filho de José?
23 यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ अवश्‍य हमरा ई कहबी सुनायब जे, ‘यौ वैद्यजी, पहिने अपना केँ नीक करू!’ आ ई कहब जे ‘एतौ अपना गाम मे ओ काज सभ करू जकरा बारे मे सुनैत छी जे अहाँ कफरनहूम मे कयलहुँ।’
23 Disse-lhes Jesus: Sem dúvida me direis este provérbio: Médico, cura-te a ti mesmo; Tudo o que ouvimos teres feito em Cafarnaum, faze-o também aqui na tua terra.
24 हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, परमेश्‍वरक कोनो प्रवक्‍ता केँ अपना गाम मे स्‍वीकार नहि कयल जाइत छैक।
24 E prosseguiu: Em verdade vos digo que nenhum profeta é aceito na sua terra.
25 हमर बात सुनू! अहूँ सभ तँ जनिते छी जे एलियाहक समय मे जखन साढ़े तीन वर्ष धरि वर्षा नहि भेल आ सौंसे देश मे भयंकर अकाल पड़ि गेल, तँ ओहि समय मे इस्राएल मे बहुते विधवा रहय,
25 Em verdade vos digo que muitas viúvas havia em Israel nos dias de Elias, quando céu se fechou por três anos e seis meses, de sorte que houve grande fome por toda a terra;
26 मुदा परमेश्‍वर एलियाह केँ ओकरा सभ मे सँ ककरो लग मदति देबाक लेल वा लेबाक लेल नहि पठौलथिन—ओ हुनका सीदोन क्षेत्रक सारफत गाम मे रहऽ वाली एकटा विधवाक ओहिठाम पठौलथिन।
26 e a nenhuma delas foi enviado Elias, senão a uma viúva em Serepta de Sidom.
27 फेर परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता एलीशाक समय मे इस्राएल मे बहुते कुष्‍ठ-रोगी छल, मुदा ओकरा सभ मे सँ ककरो नीक नहि कयल गेलैक—मात्र सीरिया प्रदेशक निवासी नामान केँ।”
27 Também muitos leprosos havia em Israel no tempo do profeta Elizeu, mas nenhum deles foi purificado senão Naamã, o sírio.
28 ई बात सुनि सभाघरक लोक सभ तिलमिला उठल।
28 Todos os que estavam na sinagoga, ao ouvirem estas coisas, ficaram cheios de ira.
29 ओ सभ उठि कऽ यीशु केँ नगर सँ बाहर अनलकनि, और जाहि पहाड़ पर ओ नगर बसल छल, तकर कनगी पर लऽ गेलनि जे एहि ठाम सँ एकरा नीचाँ धकेलि दी।
29 e, levantando-se, expulsaram-no da cidade e o levaram até o despenhadeiro do monte em que a sua cidade estava edificada, para dali o precipitarem.
30 मुदा ओ ओहि भीड़ मे सँ बहरा कऽ चल जाइत रहलाह।
30 Ele, porém, passando pelo meio deles, seguiu o seu caminho.
31 तखन यीशु कफरनहूम गेलाह, जे गलील प्रदेशक एक नगर अछि, और विश्राम-दिन मे लोक सभ केँ उपदेश देबऽ लगलथिन।
31 Então desceu a Cafarnaum, cidade da Galiléia, e os ensinava no sábado.
32 हुनकर शिक्षा सँ लोक सभ चकित भेल, कारण, ओ अधिकारक संग शिक्षा दैत छलाह।
32 e maravilharam-se da sua doutrina, porque a sua palavra era com autoridade.
33 सभाघर मे एक आदमी छल जे दुष्‍टात्‍मा, अर्थात्‌ अशुद्ध आत्‍मा, सँ ग्रसित छल। ओ जोर सँ चिकरि कऽ बाजल,
33 Havia na sinagoga um homem que tinha o espírito de um demônio imundo; e gritou em alta voz:
34 “यौ! नासरतक निवासी यीशु! अहाँ केँ हमरा सभ सँ कोन काज? हमरा सभ केँ नष्‍ट करऽ अयलहुँ की? हम अहाँ केँ चिन्‍हैत छी। अहाँ परमेश्‍वरक पवित्र दूत छी।”
34 Ah! que temos nós contigo, Jesus, nazareno? vieste destruir-nos? Bem sei quem é: o Santo de Deus.
35 यीशु दुष्‍टात्‍मा केँ डाँटि कऽ कहलथिन, “चुप रह! तोँ एकरा मे सँ निकल!” तखन ओ दुष्‍टात्‍मा ओहि आदमी केँ सभक सामने मे पटकि देलकैक आ बिनु हानि पहुँचौने ओकरा मे सँ निकलि गेल।
35 Mas Jesus o repreendeu, dizendo: Cala-te, e sai dele. E o demônio, tendo-o lançado por terra no meio do povo, saiu dele sem lhe fazer mal algum.
36 एहि पर सभ लोक चकित होइत एक-दोसर केँ कहऽ लागल जे, “ई केहन उपदेश अछि? ई आदमी शक्‍ति आ अधिकारक संग दुष्‍टात्‍मा सभ केँ आज्ञा दैत छथि और ओ सभ निकलि जाइत अछि!”
36 E veio espanto sobre todos, e falavam entre si, perguntando uns aos outros: Que palavra é esta, pois com autoridade e poder ordena aos espíritos imundos, e eles saem?
37 एहि सभ सँ हुनकर चर्चा ओहि क्षेत्रक चारू कात पसरि गेलनि।
37 E se divulgava a sua fama por todos os lugares da circunvizinhança.
38 यीशु सभाघर सँ बाहर भऽ कऽ सिमोनक ओहिठाम गेलाह। सिमोनक सासु केँ बहुत जोर बोखार छलनि। लोक सभ हुनका मदति करबाक लेल यीशु सँ विनती कयलकनि।
38 Ora, levantando-se Jesus, saiu da sinagoga e entrou em casa de Simão; e estando a sogra de Simão enferma com muita febre, rogaram-lhe por ela.
39 सिमोनक सासुक लग मे जा कऽ यीशु बोखार केँ उतरि जयबाक आज्ञा देलथिन, तँ हुनकर बोखार उतरि गेलनि। ओ तुरत उठि कऽ हिनका सभक सेवा-सत्‍कार करऽ मे लागि गेलीह।
39 E ele, inclinando-se para ela, repreendeu a febre, e esta a deixou. Imediatamente ela se levantou e os servia.
40 सूर्यास्‍त भेला पर जकरा-जकरा ओहिठाम विभिन्‍न बिमारी सँ पीड़ित लोक सभ छलैक, से सभ ओकरा सभ केँ यीशु लग आनऽ लागल। प्रत्‍येक पर हाथ राखि कऽ ओ ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन।
40 Ao pôr do sol, todos os que tinham enfermos de várias doenças lhos traziam; e ele punha as mãos sobre cada um deles e os curava.
41 बहुत लोक मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ सेहो एना चिकरि कऽ कहैत निकलि आयल जे, “अहाँ परमेश्‍वरक पुत्र छी!” मुदा ओ ओहि दुष्‍टात्‍मा सभ केँ डँटलथिन आ बाजऽ नहि देलथिन, कारण ओ सभ जनैत छल जे ई उद्धारकर्ता-मसीह छथि।
41 Também de muitos saíam demônios, gritando e dizendo: Tu és o Filho de Deus. Ele, porém, os repreendia, e não os deixava falar; pois sabiam que ele era o Cristo.
42 भोर भेला पर यीशु कोनो एकान्‍त स्‍थान मे चल गेलाह। लोक सभ तकैत-तकैत हुनका लग पहुँचल आ हुनका रोकलकनि जे, अहाँ हमरा सभ केँ छोड़ि कऽ नहि जाउ।
42 Ao romper do dia saiu, e foi a um lugar deserto; e as multidões procuravam-no e, vindo a ele, queriam detê-lo, para que não se ausentasse delas.
43 मुदा ओ उत्तर देलथिन, “हमरा तँ परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार दोसरो-दोसरो नगर मे सुनयबाक अछि, किएक तँ हम एही लेल पठाओल गेल छी।”
43 Ele, porém, lhes disse: É necessário que também às outras cidades eu anuncie o evangelho do reino de Deus; porque para isso é que fui enviado.
44 अतः ओ यहूदिया प्रदेशक सभाघर सभ मे प्रचारक काज करैत रहलाह।
44 E pregava nas sinagogas da Judéia.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.