Lucas 2

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 ओहि समय मे कैसर औगुस्‍तुस आदेश देलनि जे सम्‍पूर्ण रोम साम्राज्‍‍यक जनगणना कयल जाय।
1 Naqueles dias César Augusto publicou um decreto ordenando o recenseamento de todo o império romano.
2 एहि तरहक ई पहिल जनगणना छल, आ ई ताहि समय मे भेल जखन क्‍विरीनियुस सीरिया प्रदेशक राज्‍यपाल छलाह।
2 Este foi o primeiro recenseamento feito quando Quirino era governador da Síria.
3 सभ केओ नाम लिखयबाक लेल अपन-अपन पैतृक नगर जाय लागल।
3 E todos iam para a sua cidade natal, a fim de alistar-se.
4 यूसुफ राजा दाऊदक खानदान आ वंशक छलाह, तेँ ओ अपन नाम लिखयबाक लेल गलील प्रदेशक नासरत नगर सँ यहूदिया प्रदेशक बेतलेहम गाम गेलाह, जे दाऊदक गाम छल।
4 Assim, José também foi da cidade de Nazaré da Galiléia para a Judéia, para Belém, cidade de Davi, porque pertencia à casa e à linhagem de Davi.
5 ओ संग मे मरियम केँ सेहो लऽ गेलाह, जिनका संग हुनकर विवाहक निश्‍चय कयल गेल छलनि और जे गर्भवती छलीह।
5 Ele foi a fim de alistar-se, com Maria, que lhe estava prometida em casamento e esperava um filho.
6 ओतहि रहैत मरियम केँ बच्‍चाक जन्‍म देबाक समय आबि गेलनि,
6 Enquanto estavam lá, chegou o tempo de nascer o bebê,
7 आ ओ अपन पहिल पुत्र केँ जन्‍म देलनि। ओ बच्‍चा केँ कपड़ाक टुकड़ा मे लपेटि कऽ नादि मे राखि देलथिन, कारण हुनका सभ केँ रहबाक लेल सराय मे कोनो स्‍थान नहि भेटल छलनि।
7 e ela deu à luz o seu primogênito. Envolveu-o em panos e o colocou numa manjedoura, porque não havia lugar para eles na hospedaria.
8 ओहि इलाका मे चरबाह सभ छल जे बाध मे रहि कऽ राति मे अपन भेँड़ाक रखबारी कऽ रहल छल।
8 Havia pastores que estavam nos campos próximos e durante a noite tomavam conta dos seus rebanhos.
9 एकाएक परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत ओकरा सभक सामने मे ठाढ़ भऽ गेलाह आ प्रभुक तेज प्रकाश सँ ओकरा सभक चारू कात इजोत भऽ गेलैक। एहि सँ ओ सभ बहुत डेरा गेल।
9 E aconteceu que um anjo do Senhor apareceu-lhes e a glória do Senhor resplandeceu ao redor deles; e ficaram aterrorizados.
10 मुदा स्‍वर्गदूत कहलथिन, “डेराह नहि! हम तोरा सभ केँ बड़का आनन्‍दक खुस खबरी सुनबैत छिअह, जे सभ लोकक लेल होयत।
10 Mas o anjo lhes disse: "Não tenham medo. Estou lhes trazendo boas novas de grande alegria, que são para todo o povo:
11 आइ दाऊदक नगर मे तोरा सभक लेल एक उद्धारकर्ता जन्‍म लेलथुन अछि। ओ छथि प्रभु, परमेश्‍वरक पठाओल मसीह।
11 Hoje, na cidade de Davi, lhes nasceu o Salvador que é Cristo, o Senhor.
12 तोरा सभक लेल एकटा ई चेन्‍ह रहतह—तोँ सभ बच्‍चा केँ कपड़ाक टुकड़ा सँ लपेटल आ नादि मे राखल पयबह।”
12 Isto lhes servirá de sinal: encontrarão o bebê envolto em panos e deitado numa manjedoura".
13 तखन एकाएक ओहि स्‍वर्गदूतक संग असंख्‍य स्‍वर्गदूतक एक झुण्‍ड देखाइ पड़ल, जे परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा कऽ रहल छलाह जे,
13 De repente, uma grande multidão do exército celestial apareceu com o anjo, louvando a Deus e dizendo:
14 “सर्वोच्‍च स्‍वर्ग मे परमेश्‍वरक स्‍तुति-गान होनि,
14 "Glória a Deus nas alturas, e paz na terra aos homens aos quais ele concede o seu favor".
15 जखन स्‍वर्गदूत सभ ओकरा सभक लग सँ चल गेलाह, तखन चरबाह सभ एक-दोसर केँ कहलक, “अपना सभ चल! बेतलेहम जा कऽ एहि घटना केँ देखि ली जाहि दऽ प्रभु अपना सभ केँ कहबौलनि अछि।”
15 Quando os anjos os deixaram e foram para o céu, os pastores disseram uns aos outros: "Vamos a Belém, e vejamos isso que aconteceu, e que o Senhor nos deu a conhecer".
16 ओ सभ जल्‍दी सँ गेल, आ ओतऽ पहुँचि कऽ मरियम आ यूसुफ केँ और नादि मे राखल बच्‍चा केँ पौलक।
16 Então correram para lá e encontraram Maria e José, e o bebê deitado na manjedoura.
17 बच्‍चा केँ देखि कऽ ओ सभ ओहि बातक विषय मे सभ केँ कहऽ लागल जे बात बच्‍चाक सम्‍बन्‍ध मे स्‍वर्गदूत ओकरा सभ केँ कहने छलथिन।
17 Depois de o verem, contaram a todos o que lhes fora dito a respeito daquele menino,
18 एकरा सभक बात जे सभ सुनलक, से सभ ओहि पर आश्‍चर्य कयलक।
18 e todos os que ouviram o que os pastores diziam ficaram admirados.
19 मुदा मरियम ई सभ बात अपना मोन मे राखि कऽ ओहि पर विचार करैत रहलीह।
19 Maria, porém, guardava todas essas coisas e sobre elas refletia em seu coração.
20 चरबाह सभ जे किछु देखने आ सुनने छल, ताहि सभ बातक लेल परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा गबैत घूमि गेल। जहिना स्‍वर्गदूत ओकरा सभ केँ कहने छलथिन, ठीक ओहिना सभ बात ओकरा सभ केँ भेटलो छलैक।
20 Os pastores voltaram glorificando e louvando a Deus por tudo o que tinham visto e ouvido, como lhes fora dito.
21 आठम दिन बालक केँ खतनाक विधि करबाक समय मे हुनकर नाम यीशु राखल गेलनि, जे नाम मायक गर्भ मे अयबा सँ पहिने स्‍वर्गदूत द्वारा राखल गेल छलनि।
21 Completando-se os oito dias para a circuncisão do menino, foi-lhe posto o nome de Jesus, o qual lhe tinha sido dado pelo anjo antes de ele nascer.
22 मूसाक धर्म-नियमक अनुसार हुनका सभक शुद्धीकरणक दिन जखन आबि गेलनि, तँ मरियम आ यूसुफ बच्‍चा केँ प्रभु केँ अर्पित करबाक लेल यरूशलेम लऽ गेलथिन,
22 Completando-se o tempo da purificação deles, de acordo com a Lei de Moisés, José e Maria o levaram a Jerusalém para apresentá-lo ao Senhor
23 जेना कि प्रभुक नियम मे लिखल अछि जे, “प्रत्‍येक जेठ पुत्र प्रभुक मानल जायत।”
23 ( como está escrito na Lei do Senhor: "Todo primogênito do sexo masculino será consagrado ao Senhor" )
24 प्रभुक नियमक अनुसार शुद्धीकरणक वास्‍ते बलि चढ़यबाक लेल सेहो गेलाह, जेना कि लिखल अछि, “एक जोड़ा पउड़की वा परवाक दू बच्‍चा।”
24 e para oferecer um sacrifício, de acordo com o que diz a Lei do Senhor: "duas rolinhas ou dois pombinhos".
25 यरूशलेम मे सिमियोन नामक एक आदमी छलाह, जे परमेश्‍वरक भय मानऽ वला एक धर्मी लोक छलाह। ओ “इस्राएल केँ शान्‍ति देनिहारक” बाट तकैत छलाह, आ पवित्र आत्‍मा हुनका संग छलथिन।
25 Havia em Jerusalém um homem chamado Simeão, que era justo e piedoso, e que esperava a consolação de Israel; e o Espírito Santo estava sobre ele.
26 पवित्र आत्‍मा द्वारा हुनका ई कहल गेल छलनि जे, जा धरि अहाँ प्रभुक पठाओल उद्धारकर्ता-मसीह केँ नहि देखि लेबनि, ता धरि अहाँ नहि मरब।
26 Fora-lhe revelado pelo Espírito Santo que ele não morreria antes de ver o Cristo do Senhor.
27 पवित्र आत्‍माक प्रेरणा सँ ओ मन्‍दिर मे गेलाह। मरियम-यूसुफ जखन बेटाक लेल धर्म-नियमक विधि सभ पूरा करबाक हेतु बालक यीशु केँ मन्‍दिरक भीतर अनलथिन,
27 Movido pelo Espírito, ele foi ao templo. Quando os pais trouxeram o menino Jesus para lhe fazer conforme requeria o costume da lei,
28 तँ सिमियोन हुनका कोरा मे लेलथिन, आ परमेश्‍वरक स्‍तुति कऽ कऽ बजलाह,
28 Simeão o tomou nos braços e louvou a Deus, dizendo:
29 “हे परम प्रभु, अहाँ जहिना वचन देलहुँ
29 "Ó Soberano, como prometeste, agora podes despedir em paz o teu servo.
30 किएक तँ हम अपना आँखि सँ अहाँक उद्धार केँ देखि लेलहुँ,
30 Pois os meus olhos já viram a tua salvação,
31 जाहि उद्धार केँ अहाँ सभ जातिक लोकक सम्‍मुख प्रस्‍तुत कयलहुँ।
31 que preparaste à vista de todos os povos:
32 हँ, ई उद्धार आन जाति सभ केँ बाट देखौनिहार
32 luz para revelação aos gentios e para a glória de Israel, teu povo".
33 बच्‍चाक माय-बाबू सिमियोनक एहि कथन सँ चकित भेलाह।
33 O pai e a mãe do menino estavam admirados com o que fora dito a respeito dele.
34 — ausente —
34 E Simeão os abençoou e disse a Maria, mãe de Jesus: "Este menino está destinado a causar a queda e o soerguimento de muitos em Israel, e a ser um sinal de contradição,
35 — ausente —
35 de modo que o pensamento de muitos corações será revelado. Quanto a você, uma espada atravessará a sua alma".
36 ओतऽ हन्‍नाह नामक परमेश्‍वरक एक बड्ड बुढ़ि प्रवक्‍तिनि सेहो छलीह, जे आशेर-कुलक फनुएलक बेटी छलीह। विवाहक बाद ओ सात वर्ष धरि सुहागिन रहलीह,
36 Estava ali a profetisa Ana, filha de Fanuel, da tribo de Aser. Era muito idosa; havia vivido com seu marido sete anos depois de se casar
37 तकरा बाद विधवा भऽ गेलीह, और आब ओ चौरासी वर्षक छलीह। ओ मन्‍दिर केँ नहि छोड़ि कऽ दिन-राति उपास आ प्रार्थनाक संग परमेश्‍वरक सेवा मे लागल रहैत छलीह।
37 e então permanecera viúva até a idade de oitenta e quatro anos. Nunca deixava o templo: adorava a Deus jejuando e orando dia e noite.
38 ठीक ओही क्षण मरियम और यूसुफ लग आबि कऽ ओ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद देबऽ लगलीह आ जे लोक सभ यरूशलेमक छुटकाराक बाट ताकि रहल छल, तकरा सभ सँ बच्‍चाक विषय मे बात करऽ लगलीह।
38 Tendo chegado ali naquele exato momento, deu graças a Deus e falava a respeito do menino a todos os que esperavam a redenção de Jerusalém.
39 मरियम आ यूसुफ प्रभुक धर्म-नियमक अनुसार जे करबाक छलनि से सभ पूरा कऽ कऽ गलील प्रदेश मे अपन नगर नासरत घूमि अयलाह।
39 Depois de terem feito tudo o que era exigido pela Lei do Senhor, voltaram para a sua própria cidade, Nazaré, na Galiléia.
40 बच्‍चा बढ़ि कऽ बलिष्‍ठ आ नीक बुद्धि सँ परिपूर्ण होइत गेलाह, और हुनका पर परमेश्‍वरक आशीर्वाद छलनि।
40 O menino crescia e se fortalecia, enchendo-se de sabedoria; e a graça de Deus estava sobre ele.
41 यीशुक माय-बाबू प्रत्‍येक साल फसह-पाबनिक समय मे यरूशलेम जाइत छलाह।
41 Todos os anos seus pais iam a Jerusalém para a festa da Páscoa.
42 यीशु जखन बारह वर्षक छलाह तँ ओ सभ आने बेर जकाँ पाबनि मनयबाक लेल यरूशलेम गेलाह।
42 Quando ele completou doze anos de idade, eles subiram à festa, conforme o costume.
43 पूरा पाबनि बिति गेला पर जखन ओ सभ विदा भेलाह तँ बालक यीशु यरूशलेमे मे रहि गेलाह, मुदा ई बात हुनकर माय-बाबू केँ नहि बुझल छलनि।
43 Terminada a festa, voltando seus pais para casa, o menino Jesus ficou em Jerusalém, sem que eles percebessem.
44 ओ सभ ई बुझि जे यीशु यात्री सभ मे कतौ होयताह एक दिनक रस्‍ता आगाँ बढ़ि गेलाह। तखन ओ सभ अपना सम्‍बन्‍धी आ संगी-साथी सभ मे हुनकर खोजबीन करऽ लगलथिन।
44 Pensando que ele estava entre os companheiros de viagem, caminharam o dia todo. Então começaram a procurá-lo entre os seus parentes e conhecidos.
45 मुदा ओ जखन नहि भेटलथिन तँ ओ सभ हुनका तकबाक लेल फेर यरूशलेम गेलाह।
45 Não o encontrando, voltaram a Jerusalém para procurá-lo.
46 तेसर दिन यीशु हुनका सभ केँ मन्‍दिर मे धर्मगुरु सभक बीच बैसल, हुनका सभक बात सुनैत आ हुनका सभ सँ प्रश्‍न करैत, भेटलथिन।
46 Depois de três dias o encontraram no templo, sentado entre os mestres, ouvindo-os e fazendo-lhes perguntas.
47 जे सभ यीशुक बात सुनलथिन, से सभ हुनकर बुद्धि और उत्तर सभ सँ चकित छलाह।
47 Todos os que o ouviam ficavam maravilhados com o seu entendimento e com as suas respostas.
48 यीशु केँ ओतऽ देखि कऽ हुनकर माय-बाबू आश्‍चर्यित भेलाह। हुनकर माय कहलथिन, “बौआ, हमरा सभक संग एना किएक कयलह? देखह, तोहर बाबूजी आ हम तोरा तकैत-तकैत परेसान भऽ गेल छलहुँ।”
48 Quando seus pais o viram, ficaram perplexos. Sua mãe lhe disse: "Filho, por que você nos fez isto? Seu pai e eu estávamos aflitos, à sua procura".
49 ओ उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ हमरा तकैत किएक छलहुँ? अहाँ सभ केँ नहि बुझल छल जे हमरा अपना पिताक घर मे होयब आवश्‍यक अछि?”
49 Ele perguntou: "Por que vocês estavam me procurando? Não sabiam que eu devia estar na casa de meu Pai? "
50 मुदा ओ सभ हुनकर कहबाक अर्थ नहि बुझि सकलाह।
50 Mas eles não compreenderam o que lhes dizia.
51 तखन ओ हुनका सभक संग नासरत घूमि अयलाह, आ हुनकर सभक कहल मे रहलाह। हुनकर माय ई सभ बात अपना मोन मे राखि लेलनि।
51 Então foi com eles para Nazaré, e era-lhes obediente. Sua mãe, porém, guardava todas essas coisas em seu coração.
52 यीशु बुद्धि आ शरीर मे बढ़ैत गेलाह, और परमेश्‍वर आ लोक दूनू हुनका सँ प्रसन्‍न रहलथिन।
52 Jesus ia crescendo em sabedoria, estatura e graça diante de Deus e dos homens.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.