Lucas 21

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यीशु नजरि उठा कऽ देखलनि जे धनिक सभ मन्‍दिरक दान-पात्र मे अपन दान चढ़ा रहल अछि।
1 E, olhando ele, viu os ricos lançarem as suas ofertas na arca do tesouro;
2 एकटा गरीब विधवा केँ सेहो तामक दूटा पाइ दान-पात्र मे दैत देखलनि।
2 e viu também uma pobre viúva lançar ali duas pequenas moedas;
3 ई देखि ओ बजलाह, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, ई गरीब विधवा ओहि सभ आदमी सँ बेसी चढ़ौलक।
3 e disse: Em verdade vos digo que lançou mais do que todos esta pobre viúva,
4 ओ सभ तँ अपना फाजिल धन मे सँ दान चढ़ौलक, मुदा ई अपन गरीबी मे सँ अपन पूरा जीविके चढ़ा देलक।”
4 porque todos aqueles deram como ofertas de Deus do que lhes sobeja; mas esta, da sua pobreza, deu todo o sustento que tinha.
5 किछु शिष्‍य सभ मन्‍दिरक बारे मे बाजि रहल छलाह जे कतेक नीक सँ सुन्‍दर-सुन्‍दर पाथर और परमेश्‍वर केँ अर्पित कयल वस्‍तु सभ सँ बनाओल अछि। एहि पर यीशु कहलथिन,
5 E, dizendo alguns a respeito do templo, que estava ornado de formosas pedras e dádivas, disse:
6 “ई सभ वस्‍तु जे एतऽ देखैत छी—तेहन समय आओत जहिया एतऽ एकोटा पाथर एक-दोसर पर नहि रहत। सभ ढाहल जायत।”
6 Quanto a estas que se não deixará pedra sobre pedra que não seja derribada.
7 ओ सभ हुनका सँ पुछलथिन, “गुरुजी, ई घटना कहिया होयत? और कोन चिन्‍ह होयतैक जाहि सँ बुझि सकी जे ई बात सभ आब होयत?”
7 E perguntaram-lhe, dizendo: Mestre, quando serão, pois, essas coisas? E que sinal haverá quando isso estiver para acontecer?
8 ओ उत्तर देलथिन, “होसियार रहू जाहि सँ बहकाओल नहि जायब। कारण, बहुतो लोक हमर नाम लऽ कऽ आओत आ कहत जे, ‘हम वैह छी,’ आ ‘समय लगचिआ गेल अछि।’ ओकरा सभक पाछाँ नहि जाउ!
8 Disse, então, ele: Vede que não vos enganem, porque virão muitos em meu nome, dizendo: Sou eu, e o tempo está próximo; não vades, portanto, após eles.
9 जखन अनेक लड़ाइ और अन्‍दोलनक खबरि सुनब, तँ भयभीत नहि होउ। ई सभ तँ पहिने होयब आवश्‍यक अछि, मुदा संसारक अन्‍त तुरत नहि होयत।”
9 E, quando ouvirdes de guerras e sedições, não vos assusteis. Porque é necessário que isso aconteça primeiro, mas o fim não
10 आगाँ ओ कहलथिन, “एक देश दोसर देश सँ लड़ाइ करत, और एक राज्‍य दोसर राज्‍य सँ।
10 Então, lhes disse: Levantar-se-á nação contra nação, e reino, contra reino;
11 बड़का-बड़का भूकम्‍‍प होयत, विभिन्‍न ठाम अकाल पड़त और अनेक स्‍थान मे महामारी होयत। आकाश मे भयंकर घटना सभ होयत और आश्‍चर्यजनक चिन्‍ह सभ देखाइ देत।
11 e haverá, em vários lugares, grandes terremotos, e fomes, e pestilências; haverá também coisas espantosas e grandes sinais do céu.
12 “मुदा एहि सभ बात सँ पहिने हमरा कारणेँ लोक सभ अहाँ सभ केँ पकड़ि कऽ अहाँ सभ पर अत्‍याचार करत। अहाँ सभ केँ सभाघर सभ मे सौंपि देत, जहल मे बन्‍द कऽ देत, और राजा आ राज्‍यपाल सभक समक्ष लऽ जायत।
12 Mas, antes de todas essas coisas, lançarão mão de vós e às prisões e conduzindo-vos à presença de reis e governadores, por amor do meu nome.
13 ई बात सभ अहाँ सभक लेल गवाही देबाक अवसर होयत।
13 E vos acontecerá
14 मुदा अहाँ सभ अपना मोन मे ई निश्‍चय कऽ लिअ जे हमरा पर लगाओल अभियोगक उत्तर मे हम की बाजू तकर चिन्‍ता पहिने सँ हम नहि करब।
14 Proponde, pois, em vosso coração não premeditar como haveis de responder,
15 कारण, अहाँ सभ केँ बजबाक लेल हम तेहन शब्‍द और बुद्धि देब जे कोनो विरोधी ने तकरा सामने मे टिकि सकत आ ने तकरा काटि सकत।
15 porque eu vos darei boca e sabedoria a que não poderão resistir, nem contradizer todos quantos se vos opuserem.
16 माय-बाबू, भाय, कुटुम्‍ब-परिवार और साथी-संगी सभ अहाँ सभक संग विश्‍वासघात कऽ कऽ पकड़बाओत, और अहाँ सभ मे सँ कतेको केँ मारिओ देत।
16 E até pelos pais, e irmãos, e parentes, e amigos sereis entregues; e matarão
17 अहाँ सभ सँ सभ केओ एहि लेल घृणा करत जे अहाँ सभ हमर लोक छी।
17 E de todos sereis odiados por causa do meu nome.
18 मुदा अहाँ सभक माथक एकटा केशो नहि टुटत।
18 Mas não perecerá um único cabelo da vossa cabeça.
19 विश्‍वास मे दृढ़ रहला सँ अहाँ सभ जीवन प्राप्‍त करब।
19 Na vossa paciência, possuí a vossa alma.
20 “जखन यरूशलेम केँ सेना सभ सँ घेराइत देखब, तँ ई बुझि लिअ जे ओकर विनाश लग आबि गेल।
20 Mas, quando virdes Jerusalém cercada de exércitos, sabei, então, que é chegada a sua desolação.
21 ओहि समय मे जे सभ यहूदिया प्रदेश मे होअय, से सभ पहाड़ पर भागि जाय। जे यरूशलेम मे होअय, से बाहर निकलि जाय, और जे लग-पासक देहात मे होअय, से शहर मे नहि जाय।
21 Então, os que estiverem na Judeia, que fujam para os montes; os que estiverem no meio da
22 कारण ओ महादण्‍डक समय होयत जाहि समय मे धर्मशास्‍त्र मे लिखल सभ बात पूरा होयत।
22 Porque dias de vingança são estes, para que se cumpram todas as
23 ओहि समय मे जे स्‍त्रीगण सभ गर्भवती होयत वा जकरा दूधपीबा बच्‍चा होयतैक, तकरा सभ केँ कतेक कष्‍ट होयतैक! किएक तँ एहि देश मे भयंकर संकट औतैक, और एहि लोक सभ पर परमेश्‍वरक प्रकोप पड़तैक।
23 Mas ai das grávidas e das que criarem naqueles dias! Porque haverá grande aflição na terra e ira sobre este povo.
24 ओ सभ तरुआरि सँ मारल जायत, और बन्‍दी बनि कऽ विश्‍वक प्रत्‍येक राष्‍ट्र मे लऽ गेल जायत। यरूशलेम गैर-यहूदी सभ द्वारा तहिया धरि लतखुर्दन भऽ पिचाइत रहत जहिया धरि गैर-यहूदी सभ केँ देल गेल समय पूरा बिति नहि जायत।
24 E cairão a fio de espada e para todas as nações serão levados cativos; e Jerusalém será pisada pelos gentios, até que os tempos dos gentios se completem.
25 “सूर्य, चन्‍द्रमा और तारा सभ मे आश्‍चर्यजनक चिन्‍ह सभ देखाइ देत। पृथ्‍वी पर सभ जातिक लोक समुद्रक लहरि देखि आ ओकर गर्जन सुनि घबड़ा जायत और व्‍याकुल भऽ उठत।
25 E haverá sinais no sol, e
26 पृथ्‍वी पर जे बात सभ घटऽ वला अछि, तकर डर-भय सँ लोक सभ बेहोस भऽ जायत। कारण, आकाशक शक्‍ति सभ हिलाओल जायत।
26 homens desmaiando de terror, na expectação das coisas que sobrevirão ao mundo, porquanto os poderes do céu serão abalados.
27 तकरबाद लोक मनुष्‍य-पुत्र केँ सामर्थ्‍य और अपार महिमाक संग मेघ मे अबैत देखत।
27 E, então, verão vir o Filho do Homem numa nuvem, com poder e grande glória.
28 ई सभ बात जखन होमऽ लागत तँ अहाँ सभ ठाढ़ भऽ जाउ और मूड़ी उठाउ, किएक तँ अहाँ सभक छुटकारा लगचिआ गेल रहत।”
28 Ora, quando essas porque a vossa redenção está próxima.
29 तखन ओ हुनका सभ केँ ई दृष्‍टान्‍त देलथिन, “अंजीरक गाछ वा कोनो गाछ केँ लिअ।
29 E disse-lhes uma parábola: Olhai para a figueira e para todas as árvores.
30 जखने नव पात निकलऽ लगैत छैक तँ अपने सँ जानि लैत छी जे गर्मीक समय आबि रहल अछि।
30 Quando já começam a brotar, vós sabeis por vós mesmos, vendo-as, que perto está já o verão.
31 तहिना, जखन अहाँ सभ ई बात सभ होइत देखब तँ बुझू जे परमेश्‍वरक राज्‍य लग आबि गेल अछि।
31 Assim também vós, quando virdes acontecer essas
32 “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे एहि पीढ़ी केँ समाप्‍त होमऽ सँ पहिने ई सभ घटना निश्‍चित घटत।
32 Em verdade vos digo que não passará esta geração até que tudo aconteça.
33 आकाश और पृथ्‍वी समाप्‍त भऽ जायत, मुदा हमर वचन अनन्‍त काल तक रहत।
33 Passará o céu e a terra, mas as minhas palavras não hão de passar.
34 “सावधान रहू! नहि तँ अहाँ सभक मोन भोग-विलास, नशा और जीवनक चिन्‍ता मे ओझरायल रहत, और ओ दिन अहाँ सभ पर अचानक आबि कऽ फन्‍दा जकाँ पकड़ि लेत।
34 E olhai por vós, para que não aconteça que o vosso coração se carregue de glutonaria, de embriaguez, e dos cuidados da vida, e venha sobre vós de improviso aquele dia.
35 कारण ओ दिन सम्‍पूर्ण पृथ्‍वी पर रहऽ वला सभ लोक पर अचानक आबि जायत।
35 Porque virá como um laço sobre todos os que habitam na face de toda a terra.
36 एहि लेल सदिखन सचेत रहू, और प्रार्थना करू जे, जे घटना सभ होमऽ वला अछि ताहि मे बाँचि सकी और मनुष्‍य-पुत्रक सम्‍मुख ठाढ़ रहि सकी।”
36 Vigiai, pois, em todo o tempo, orando, para que sejais havidos por dignos de evitar todas essas pé diante do Filho do Homem.
37 यीशु दिन कऽ मन्‍दिर मे उपदेश दैत छलाह, और जैतून पहाड़ नामक परवत पर जा कऽ राति बितबैत छलाह।
37 E, de dia, ensinava no templo e, à noite, saindo, ficava no monte chamado das Oliveiras.
38 लोक सभ हुनकर उपदेश सुनबाक लेल सभ दिन भोरे-भोर मन्‍दिर अबैत छल।
38 E todo o povo ia ter com ele ao templo, de manhã cedo, para o ouvir.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 21, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.