Lucas 20

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 एक दिन यीशु मन्‍दिर मे लोक सभ केँ शिक्षा दैत छलाह और शुभ समाचार सुनबैत छलाह, तँ मुख्‍यपुरोहित और धर्मशिक्षक सभ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनिक संग हुनका लग आबि कऽ कहलथिन,
1 Num desses dias, quando Jesus ensinava o povo no templo, e anunciava o evangelho, sobrevieram os principais sacerdotes e os escribas, com os anciãos.
2 “कहू! अहाँ ई सभ बात जे करैत छी, से कोन अधिकार सँ? ई अधिकार अहाँ केँ के देलनि?”
2 e falaram-lhe deste modo: Dize-nos, com que autoridade fazes tu estas coisas? Ou, quem é o que te deu esta autoridade?
3 ओ उत्तर देलथिन, “हमहूँ अहाँ सभ सँ एकटा बात पुछैत छी—
3 Respondeu-lhes ele: Eu também vos farei uma pergunta; dizei-me, pois:
4 यूहन्‍ना केँ बपतिस्‍मा देबाक अधिकार परमेश्‍वर सँ भेटल छलनि वा मनुष्‍य सँ? कहू!”
4 O batismo de João era do céu ou dos homens?
5 ई सुनि ओ सभ अपना मे तर्क-वितर्क करऽ लगलाह जे, जँ अपना सभ कहबैक जे परमेश्‍वर सँ, तँ ओ कहत जे, तखन हुनकर बातक विश्‍वास किएक नहि कयलहुँ?
5 Ao que eles arrazoavam entre si: Se dissermos: do céu, ele dirá: Por que não crestes?
6 मुदा जँ ई कहबैक जे, मनुष्‍य सँ, तँ समस्‍त जनता हमरा सभ पर पथरबाहि करत, कारण ओकरा सभ केँ पूरा विश्‍वास छैक जे यूहन्‍ना परमेश्‍वरक एकटा प्रवक्‍ता छलाह।
6 Mas, se dissermos: Dos homens, todo o povo nos apedrejará; pois está convencido de que João era profeta.
7 तेँ ओ सभ उत्तर देलथिन जे, “हम सभ नहि जनैत छी जे कतऽ सँ भेटल छलनि।”
7 Responderam, pois, que não sabiam donde era.
8 एहि पर यीशु कहलथिन, “तँ हमहूँ अहाँ सभ केँ नहि कहब जे हम कोन अधिकार सँ ई काज करैत छी।”
8 Replicou-lhes Jesus: Nem eu vos digo com que autoridade faço estas coisas.
9 तखन ओ लोक सभ केँ ई दृष्‍टान्‍त सुनाबऽ लगलथिन, “एक आदमी अंगूरक बगान लगौलनि। तकरबाद किसान सभ केँ बटाइ पर दऽ कऽ बहुत दिनक लेल परदेश चल गेलाह।
9 Começou então a dizer ao povo esta parábola: Um homem plantou uma vinha, arrendou-a a uns lavradores, e ausentou-se do país por muito tempo.
10 फलक समय अयला पर ओ अपन हिस्‍सा लेबाक लेल बटाइदार सभ लग एक नोकर केँ पठौलथिन। मुदा ओ सभ ओकरा पिटलकैक आ खाली हाथ लौटा देलकैक।
10 No tempo próprio mandou um servo aos lavradores, para que lhe dessem dos frutos da vinha; mas os lavradores, espancando-o, mandaram-no embora de mãos vazias.
11 मालिक फेर दोसर नोकर केँ पठौलथिन, मुदा ओकरो ओ सभ मारि-पिटि कऽ और अपमानित कऽ कऽ खाली हाथ लौटा देलकैक।
11 Tornou a mandar outro servo; mas eles espancaram também a este e, afrontando-o, mandaram-no embora de mãos vazias.
12 मालिक तेसरो नोकर केँ पठौलथिन, और ओकरो ओ सभ घायल कऽ कऽ भगा देलकैक।
12 E mandou ainda um terceiro; mas feriram também a este e lançaram-no fora.
13 तखन मालिक विचारलनि, ‘हम की करू? हम अपन प्रिय बेटा केँ पठयबैक, एकरा ओ सभ शायद मानतैक।’
13 Disse então o senhor da vinha: Que farei? Mandarei o meu filho amado; a ele talvez respeitarão.
14 मुदा बटाइदार सभ हुनका अबैत देखि एक-दोसराक संग विचारऽ लागल जे, ‘ई तँ अपन बापक उत्तराधिकारी अछि! चलू, एकरा मारि दिऐक, तखन ई सम्‍पत्ति अपने सभक भऽ जायत!’
14 Mas quando os lavradores o viram, arrazoaram entre si, dizendo: Este é o herdeiro; matemo-lo, para que a herança seja nossa.
15 एना सोचि ओ सभ हुनका बगान सँ बाहर लऽ जा कऽ हुनका जान सँ मारि देलकनि।
15 E lançando-o fora da vinha, o mataram. Que lhes fará, pois, o senhor da vinha?
16 ओ आबि कऽ ओहि बटाइदार सभक सर्वनाश करथिन, और बगान दोसर बटाइदार सभ केँ दऽ देथिन।” ई सुनि लोक सभ बाजि उठल, “एना कहियो नहि होअय!”
16 Virá e destruirá esses lavradores, e dará a vinha a outros. Ouvindo eles isso, disseram: Tal não aconteça!
17 यीशु ओकरा सभक दिस एकटक लगा कऽ देखैत कहलथिन, “तखन धर्मशास्‍त्र मे लिखल एहि बातक की अर्थ अछि जे,
17 Mas Jesus, olhando para eles, disse: Pois, que quer dizer isto que está escrito: A pedra que os edificadores rejeitaram, essa foi posta como pedra angular?
18 जे केओ ओहि पाथर पर खसत, से चकना-चूर भऽ जायत, और जकरा पर ई पाथर खसतैक से थकुचा-थकुचा भऽ जायत।”
18 Todo o que cair sobre esta pedra será despedaçado; mas aquele sobre quem ela cair será reduzido a pó.
19 धर्मशिक्षक और मुख्‍यपुरोहित सभ हुनका तुरत पकड़ऽ चाहैत छलाह, कारण ओ सभ बुझि गेलाह जे ई हमरे सभक बारे मे ई कथा कहलक अछि। मुदा जनता सँ डेराइत छलाह।
19 Ainda na mesma hora os escribas e os principais sacerdotes, percebendo que contra eles proferira essa parábola, procuraram deitar-lhe as mãos, mas temeram o povo.
20 धर्मशिक्षक आ मुख्‍यपुरोहित सभ अवसरक ताक मे छलाह। ओ सभ हुनका लग किछु भेदिया सभ केँ सोझिया आदमीक रूप मे पठा देलनि, एहि आशा मे जे यीशुक कोनो ने कोनो कहल बातक द्वारा हुनका पकड़ि सकी आ राज्‍यपाल-शासनक अधिकार मे रखबा दी।
20 E, aguardando oportunidade, mandaram espias, os quais se fingiam justos, para o apanharem em alguma palavra, e o entregarem à jurisdição e à autoridade do governador.
21 भेदिया सभ हुनका सँ प्रश्‍न कयलकनि, “गुरुजी, हम सभ जनैत छी जे अपने ठीक-ठीक बात सभ बजैत आ सिखबैत छी, अपने ककरो मुँह देखि कऽ किछु नहि कहैत छिऐक, बल्‍कि सत्‍यक अनुसार परमेश्‍वरक बाटक शिक्षा दैत छी।
21 Estes, pois, o interrogaram, dizendo: Mestre, sabemos que falas e ensinas retamente, e que não consideras a aparência da pessoa, mas ensinas segundo a verdade o caminho de Deus;
22 आब हमरा सभ केँ एकटा बात कहल जाओ—धर्म-नियमक अनुसार अपना सभक लेल रोमी सम्राट-कैसर केँ कर देनाइ उचित अछि वा नहि?”
22 é-nos lícito dar tributo a César, ou não?
23 मुदा ओ ओकर सभक कपट बुझि गेलथिन आ कहलथिन,
23 Mas Jesus, percebendo a astúcia deles, disse-lhes:
24 “हमरा एकटा सिक्‍का देखाउ। एहि पर किनकर चित्र छनि आ किनकर नाम लिखल छनि?”
24 Mostrai-me um denário. De quem é a imagem e a inscrição que ele tem? Responderam: De César.
25 ओ सभ उत्तर देलकनि, “सम्राट-कैसरक।” तखन यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “तँ जे सम्राटक छनि से सम्राट केँ दिऔन, और जे परमेश्‍वरक छनि, से परमेश्‍वर केँ दिऔन।”
25 Disse-lhes então: Dai, pois, a César o que é de César, e a Deus o que é de Deus.
26 एहि तरहेँ ओ सभ जनताक सामने हुनकर कहल कोनो बात मे हुनका नहि पकड़ि सकल। हुनकर उत्तर सँ चकित भऽ गुम्‍म रहि गेल।
26 E não puderam apanhá-lo em palavra alguma diante do povo; e admirados da sua resposta, calaram-se.
27 सदुकी पंथक लोक, जे सभ एहि बात केँ नहि मानैत अछि जे मृत्‍यु मे सँ मनुष्‍य फेर जिआओल जायत, से सभ एकटा प्रश्‍न लऽ कऽ यीशु लग आयल।
27 Chegaram então alguns dos saduceus, que dizem não haver ressurreição, e perguntaram-lhe:
28 ओ सभ कहलकनि, “गुरुजी, मूसा हमरा सभक लेल लिखलनि जे, जँ ककरो भाय निःसन्‍तान मरि जाइक आ ओकर स्‍त्री जीविते होइक तँ ओकरा ओहि स्‍त्री सँ विवाह कऽ अपना भायक लेल सन्‍तान उत्‍पन्‍न करबाक चाही।
28 Mestre, Moisés nos deixou escrito que se morrer alguém, tendo mulher mas não tendo filhos, o irmão dele case com a viúva, e suscite descendência ao irmão.
29 आब, केओ सात भाय रहय। जेठका विवाह कयलक आ निःसन्‍तान मरि गेल।
29 Havia, pois, sete irmãos. O primeiro casou-se e morreu sem filhos;
30 — ausente —
30 então o segundo, e depois o terceiro, casaram com a viúva;
31 — ausente —
31 e assim todos os sete, e morreram, sem deixar filhos.
32 अन्‍त मे स्‍त्रिओ मरि गेलि।
32 Depois morreu também a mulher.
33 आब कहल जाओ, ओहि समय मे जहिया मुइल सभ केँ जिआओल जयतैक, तँ ओ स्‍त्री एहि भाय सभ मे सँ ककर स्‍त्री होयतैक? ओकरा सँ तँ सातो विवाह कयने छलैक।”
33 Portanto, na ressurreição, de qual deles será ela esposa, pois os sete por esposa a tiveram?
34 यीशु उत्तर देलथिन, “एही दुनियाक लोक विवाह करैत अछि आ विवाह मे देल जाइत अछि।
34 Respondeu-lhes Jesus: Os filhos deste mundo casaram-se e dão-se em casamento;
35 मुदा जे लोक सभ ओहि दुनिया मे जाय जोगरक ठहरि कऽ जीबि उठत, से ओहि दुनिया मे जा कऽ विवाह नहि करत।
35 mas os que são julgados dignos de alcançar o mundo vindouro, e a ressurreição dentre os mortos, nem se casam nem se dão em casamento;
36 ओ सभ फेर मरि नहि सकैत अछि, ओ सभ तँ एहि विषय मे स्‍वर्गदूत सभ जकाँ अछि, और जीबि उठलाक कारणेँ ओ सभ परमेश्‍वरक सन्‍तान अछि।
36 porque já não podem mais morrer; pois são iguais aos anjos, e são filhos de Deus, sendo filhos da ressurreição.
37 मुदा मुइल सभ जीबि उठैत अछि वा नहि, ताहि प्रश्‍नक सम्‍बन्‍ध मे मूसा जरैत झाड़ीक विवरण मे स्‍पष्‍ट कयलनि जे अवश्‍य जीबि उठैत अछि, कारण ओ प्रभु केँ ‘अब्राहमक परमेश्‍वर, इसहाकक परमेश्‍वर और याकूबक परमेश्‍वर’ कहने छथि।
37 Mas que os mortos hão de ressurgir, o próprio Moisés o mostrou, na passagem a respeito da sarça, quando chama ao Senhor; Deus de Abraão, e Deus de Isaque, e Deus de Jacó.
38 ओ मुइल सभक नहि, बल्‍कि जीवित सभक परमेश्‍वर छथि। परमेश्‍वरक नजरि मे सभ केओ जीवित अछि।”
38 Ora, ele não é Deus de mortos, mas de vivos; porque para ele todos vivem.
39 एहि पर धर्मशिक्षक सभ मे सँ किछु गोटे कहलथिन, “गुरुजी, अपने बड्ड नीक उत्तर देलहुँ।”
39 Responderam alguns dos escribas: Mestre, disseste bem.
40 और ककरो हुनका सँ आरो बात पुछबाक साहस नहि भेलैक।
40 Não ousavam, pois, perguntar-lhe mais coisa alguma.
41 तखन यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे ई कोना कहल जाइत अछि जे उद्धारकर्ता-मसीह दाऊदक पुत्र छथि?
41 Jesus, porém, lhes perguntou: Como dizem que o Cristo é filho de Davi?
42 जखन कि दाऊद अपने भजन-संग्रहक पुस्‍तक मे कहैत छथि,
42 Pois o próprio Davi diz no livro dos Salmos: Disse o Senhor ao meu Senhor: Assenta-te à minha direita,
43 और हम अहाँक शत्रु सभ केँ अहाँक पयरक तर मे कऽ देब।’
43 até que eu ponha os teus inimigos por escabelo dos teus pés.
44 दाऊद ‘उद्धारकर्ता-मसीह’ केँ ‘प्रभु’ कहैत छथिन। तँ ओ फेर हुनकर पुत्र कोना भेलाह?”
44 Logo Davi lhe chama Senhor como, pois, é ele seu filho?
45 सभ लोक हुनकर बात सभ सुनि रहल छलनि तखन ओ अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन,
45 Enquanto todo o povo o ouvia, disse Jesus aos seus discípulos:
46 “धर्मशिक्षक सभ सँ सावधान रहू। धर्मगुरु वला लम्‍बा-लम्‍बा कपड़ा पहिरि कऽ घुमब, हाट-बजार मे लोक हुनका सभ केँ प्रणाम करनि, सभाघर सभ मे प्रमुख आसन पर बैसब और भोज-काज मे सम्‍मानित स्‍थान भेटय हुनका सभ केँ बहुत नीक लगैत छनि।
46 Guardai-vos dos escribas, que querem andar com vestes compridas, e gostam das saudações nas praças, dos primeiros assentos nas sinagogas, e dos primeiros lugares nos banquetes;
47 विधवा सभक घर-द्वारि हड़पि लैत छथि, और लोक सभ केँ देखयबाक लेल लम्‍बा-लम्‍बा प्रार्थना करैत छथि। ओहन लोक केँ बेसी दण्‍ड भेटतैक।”
47 que devoram as casas das viúvas, fazendo, por pretexto, longas orações; estes hão de receber maior condenação.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 20, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.