Lucas 18

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 तखन यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ ई बुझयबाक लेल जे निराश नहि भऽ कऽ प्रार्थना करैत रहबाक अछि, एक दृष्‍टान्‍त देलथिन।
1 Propôs-lhes Jesus uma parábola para mostrar que é necessário orar sempre sem jamais deixar de fazê-lo.
2 ओ कहलथिन, “कोनो शहर मे एक न्‍यायाधीश रहैत छल जे ने परमेश्‍वरक डर मानैत छल आ ने कोनो मनुष्‍य केँ मोजर दैत छल।
2 Havia em certa cidade um juiz que não temia a Deus, nem respeitava pessoa alguma.
3 ओहि शहर मे एक विधवा सेहो रहैत छलि जे बेर-बेर ओकरा लग आबि कऽ कहैत छलैक जे, ‘हमर उचित न्‍याय कऽ दिअ और हमरा संग जे अपराध कऽ रहल अछि, तकरा सँ हमरा बचाउ।’
3 Na mesma cidade vivia também uma viúva que vinha com freqüência à sua presença para dizer-lhe: Faze-me justiça contra o meu adversário.
4 “किछु दिन धरि ओ नहि मानलक, मुदा बाद मे ओ मोने-मोन सोचऽ लागल जे, ‘ओना तँ हम ने परमेश्‍वरक डर मानैत छी आ ने मनुष्‍य केँ मोजर दैत छी,
4 Ele, porém, por muito tempo não o quis. Por fim, refletiu consigo: Eu não temo a Deus nem respeito os homens;
5 तैयो ई विधवा हमरा ततेक तंग कऽ देने अछि जे हम एकर उचित न्‍याय अवश्‍य कऽ देबैक। नहि तँ ई बेर-बेर आबि कऽ हमरा अकछ कऽ देत!’ ”
5 todavia, porque esta viúva me importuna, far-lhe-ei justiça, senão ela não cessará de me molestar.
6 तखन प्रभु कहलथिन, “ओ अधर्मी न्‍यायाधीश की कहलक, से सुनलहुँ?
6 Prosseguiu o Senhor: Ouvis o que diz este juiz injusto?
7 तँ की परमेश्‍वर अपन चुनल लोक, जे हुनका सँ दिन-राति विनती करैत छनि, तकरा सभक लेल उचित न्‍याय नहि करथिन? की ओकरा सभक लेल न्‍याय करऽ मे देरी करताह?
7 Por acaso não fará Deus justiça aos seus escolhidos, que estão clamando por ele dia e noite? Porventura tardará em socorrê-los?
8 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, ओ ओकरा सभक लेल उचित न्‍याय करथिन, और शीघ्र करथिन। मुदा मनुष्‍य-पुत्र जहिया औताह, तँ की एहन विश्‍वास हुनका ककरो लग भेटतनि?”
8 Digo-vos que em breve lhes fará justiça. Mas, quando vier o Filho do Homem, acaso achará fé sobre a terra?
9 तखन यीशु एहन लोक सभक लेल जे अपना केँ धर्मी मानि कऽ अपना धार्मिकता पर भरोसा रखैत छल और आन लोक सभ केँ हेय दृष्‍टि सँ देखैत छल, तकरा सभक लेल ई दृष्‍टान्‍त सुनौलनि,
9 Jesus lhes disse ainda esta parábola a respeito de alguns que se vangloriavam como se fossem justos, e desprezavam os outros:
10 “दू आदमी मन्‍दिर मे प्रार्थना करऽ गेल। एक गोटे फरिसी रहय और दोसर कर असूल करऽ वला।
10 Subiram dois homens ao templo para orar. Um era fariseu; o outro, publicano.
11 फरिसी ठाढ़ भऽ कऽ एहि तरहेँ अपना विषय मे प्रार्थना कऽ कऽ कहऽ लागल, ‘हे परमेश्‍वर, हम अहाँ केँ धन्‍यवाद दैत छी जे हम आन लोक सभ जकाँ ठकहारा, दुष्‍कर्मी, वा परस्‍त्रीगमन करऽ वला नहि छी, आ ने एहि कर असूल करऽ वला सन छी।
11 O fariseu, em pé, orava no seu interior desta forma: Graças te dou, ó Deus, que não sou como os demais homens: ladrões, injustos e adúlteros; nem como o publicano que está ali.
12 हम सप्‍ताह मे दू दिन उपास करैत छी, और जे किछु हमरा भेटैत अछि, ताहि मे सँ हम दसम अंश अहाँ केँ चढ़बैत छी।’
12 Jejuo duas vezes na semana e pago o dízimo de todos os meus lucros.
13 “मुदा कर असूल करऽ वला फराके सँ ठाढ़ भऽ कऽ स्‍वर्ग दिस अपन आँखि उठयबाक साहसो नहि कयलक, बल्‍कि छाती पिटैत बाजल, ‘हे परमेश्‍वर, हम पापी छी, हमरा पर दया करू।’
13 O publicano, porém, mantendo-se à distância, não ousava sequer levantar os olhos ao céu, mas batia no peito, dizendo: Ó Deus, tem piedade de mim, que sou pecador!
14 “हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, ओ पहिल आदमी नहि, बल्‍कि ई दोसर आदमी परमेश्‍वरक नजरि मे धर्मी ठहरि कऽ अपना घर गेल। कारण, जे केओ अपना केँ पैघ बुझैत अछि, से तुच्‍छ कयल जायत, और जे अपना केँ तुच्‍छ मानैत अछि से पैघ कयल जायत।”
14 Digo-vos: este voltou para casa justificado, e não o outro. Pois todo o que se exaltar será humilhado, e quem se humilhar será exaltado.
15 लोक सभ यीशु लग अपन छोट-छोट धिआ-पुता सभ केँ सेहो अनैत छलनि जे ओ ओकरा सभ पर हाथ राखि आशीर्वाद देथिन। शिष्‍य सभ ई देखि कऽ लोक सभ केँ डाँटऽ लगलनि।
15 Trouxeram-lhe também criancinhas, para que ele as tocasse. Vendo isto, os discípulos as repreendiam.
16 मुदा यीशु धिआ-पुता सभ केँ अपना लग बजौलनि, और शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “बच्‍चा सभ केँ हमरा लग आबऽ दिऔक, ओकरा सभ केँ नहि रोकिऔक। किएक तँ, परमेश्‍वरक राज्‍य एहने सभक अछि।
16 Jesus, porém, chamou-as e disse: Deixai vir a mim as criancinhas e não as impeçais, porque o Reino de Deus é daqueles que se parecem com elas.
17 हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जे केओ बच्‍चा जकाँ परमेश्‍वरक राज्‍य ग्रहण नहि करत, से ओहि मे कहियो नहि प्रवेश करत।”
17 Em verdade vos declaro: quem não receber o Reino de Deus como uma criancinha, nele não entrará.
18 एकटा ऊँच अधिकारी यीशु सँ पुछलथिन, “यौ उत्तम गुरुजी! अनन्‍त जीवन प्राप्‍त करबाक लेल हम की करू?”
18 Um homem de posição perguntou então a Jesus: Bom Mestre, que devo fazer para possuir a vida eterna?
19 यीशु कहलथिन, “अहाँ हमरा ‘उत्तम’ किएक कहैत छी? परमेश्‍वर केँ छोड़ि आरो केओ उत्तम नहि अछि।
19 Jesus respondeu-lhe: Por que me chamas bom? Ninguém é bom senão só Deus.
20 अहाँ धर्म-नियमक आज्ञा सभ तँ जनैत छी—‘परस्‍त्रीगमन नहि करह, हत्‍या नहि करह, चोरी नहि करह, झूठ गवाही नहि दैह, अपन माय-बाबूक आदर करह।’”
20 Conheces os mandamentos: não cometerás adultério; não matarás; não furtarás; não dirás falso testemunho; honrarás pai e mãe.
21 ओ उत्तर देलथिन, “एहि सभ आज्ञाक पालन हम बचपने सँ करैत छी।”
21 Disse ele: Tudo isso tenho guardado desde a minha mocidade.
22 यीशु ई सुनि हुनका कहलथिन, “एक बातक कमी अहाँ मे एखनो अछि। अहाँ अपन सभ किछु बेचि कऽ ओकरा गरीब सभ मे बाँटि दिअ, अहाँ केँ स्‍वर्ग मे धन भेटत। तकरबाद आउ आ हमरा पाछाँ चलू।”
22 A estas palavras, Jesus lhe falou: Ainda te falta uma coisa: vende tudo o que tens, dá-o aos pobres e terás um tesouro no céu; depois, vem e segue-me.
23 ई बात सुनि ओ बहुत उदास भेलाह, किएक तँ हुनका बहुत धन-सम्‍पत्ति छलनि।
23 Ouvindo isto, ele se entristeceu, pois era muito rico.
24 यीशु हुनका दिस तकैत बजलाह, “धनिक सभक लेल परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश कयनाइ कतेक कठिन अछि!
24 Vendo-o entristecer-se, disse Jesus: Como é difícil aos ricos entrar no Reino de Deus!
25 धनिक केँ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश कयनाइ सँ ऊँट केँ सुइक भूर दऽ कऽ निकलनाइ आसान अछि।”
25 É mais fácil passar o camelo pelo fundo duma agulha do que um rico entrar no Reino de Deus.
26 एहि पर सुनऽ वला लोक सभ पुछलकनि, “तखन उद्धार ककर भऽ सकैत छैक?!”
26 Perguntaram os ouvintes: Quem então poderá salvar-se?
27 यीशु उत्तर देलथिन, “जे बात मनुष्‍यक लेल असम्‍भव अछि, से परमेश्‍वरक लेल सम्‍भव अछि।”
27 Respondeu Jesus: O que é impossível aos homens é possível a Deus.
28 पत्रुस हुनका कहलथिन, “देखू, हम सभ अपन सभ किछु त्‍यागि कऽ अहाँक पाछाँ आयल छी।”
28 Pedro então disse: Vê, nós abandonamos tudo e te seguimos.
29 यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति जे घर, घरवाली, भाय, माय-बाबू वा धिआ-पुता केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक लेल त्‍याग करैत अछि,
29 Jesus respondeu: Em verdade vos declaro: ninguém há que tenha abandonado, por amor do Reino de Deus, sua casa, sua mulher, seus irmãos, seus pais ou seus filhos,
30 तकरा एहि युग मे ओकर कतेको गुना भेटतैक, और आबऽ वला युग मे अनन्‍त जीवन।”
30 que não receba muito mais neste mundo e no mundo vindouro a vida eterna.
31 यीशु बारहो शिष्‍य केँ एक कात लऽ जा कऽ कहलथिन, “सुनू, अपना सभ यरूशलेम जा रहल छी। ओतऽ जा कऽ जे किछु प्रभुक प्रवक्‍ता सभक द्वारा मनुष्‍य-पुत्रक विषय मे लिखल गेल अछि, से सभ बात पूरा होयत।
31 Em seguida, Jesus tomou à parte os Doze e disse-lhes: Eis que subimos a Jerusalém. Tudo o que foi escrito pelos profetas a respeito do Filho do Homem será cumprido.
32 ओ गैर-यहूदी सभक हाथ मे सौंपल जायत, लोक ओकर हँसी उड़ौतैक, बेइज्‍जति करतैक, ओकरा पर थुकतैक, कोड़ा लगौतैक, और जान सँ मारि देतैक।
32 Ele será entregue aos pagãos. Hão de escarnecer dele, ultrajá-lo, desprezá-lo;
33 मुदा तेसर दिन ओ फेर जीबि उठत।”
33 bater-lhe-ão com varas e o farão morrer; e ao terceiro dia ressurgirá.
34 मुदा शिष्‍य सभ एहि बात सभ सँ किछु नहि बुझि सकलाह। हुनकर सम्‍पूर्ण कथन हुनका सभक लेल रहस्‍ये बनल रहल। बुझऽ मे नहि अयलनि जे हुनकर कहबाक तात्‍पर्य की छनि।
34 Mas eles nada disto compreendiam, e estas palavras eram-lhes um enigma cujo sentido não podiam entender.
35 यीशु जखन यरीहो नगर लग पहुँचलाह, तँ एकटा आन्‍हर आदमी रस्‍ताक कात मे भीख मँगैत बैसल छल।
35 Ao aproximar-se Jesus de Jericó, estava um cego sentado à beira do caminho, pedindo esmolas.
36 लोकक भीड़ ओहि दने जाइत सुनि ओ पुछऽ लागल जे, की भऽ रहल अछि?
36 Ouvindo o ruído da multidão que passava, perguntou o que havia.
37 लोक ओकरा कहलकैक, “नासरत-निवासी यीशु एहि दऽ कऽ जा रहल छथि।”
37 Responderam-lhe: É Jesus de Nazaré, que passa.
38 तखन ओ सोर पारऽ लागल, “यौ दाऊदक पुत्र यीशु, हमरा पर दया करू!”
38 Ele então exclamou: Jesus, filho de Davi, tem piedade de mim!
39 आगाँ-आगाँ चलऽ वला लोक सभ ओकरा डँटैत चुप रहबाक लेल कहलकैक, मुदा ओ आओर जोर सँ हल्‍ला कऽ कऽ कहऽ लागल, “यौ दाऊदक पुत्र, हमरा पर दया करू!”
39 Os que vinham na frente repreendiam-no rudemente para que se calasse. Mas ele gritava ainda mais forte: Filho de Davi, tem piedade de mim!
40 यीशु ठाढ़ भऽ गेलाह आ अपना लग ओकरा अनबाक आदेश देलथिन। आन्‍हर आदमी जखन हुनका लग आयल तँ ओ पुछलथिन,
40 Jesus parou e mandou que lho trouxessem. Chegando ele perto, perguntou-lhe:
41 “तोँ की चाहैत छह, हम तोरा लेल की करिअह?”
41 Que queres que te faça? Respondeu ele: Senhor, que eu veja.
42 यीशु ओकरा कहलथिन, “आब तोँ देखि सकैत छह! तोहर विश्‍वास तोरा नीक कऽ देलकह।”
42 Jesus lhe disse: Vê! Tua fé te salvou.
43 ओ तुरत देखऽ लागल और परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत यीशुक पाछाँ चलऽ लागल। ई देखि सभ लोक सेहो परमेश्‍वरक स्‍तुति करऽ लागल।
43 E imediatamente ficou vendo e seguia a Jesus, glorificando a Deus. Presenciando isto, todo o povo deu glória a Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 18, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.